YouVersion Logo
Search Icon

परेरित 20

20
पावल माकेडोनिया आ गिरिसमे
1जब ओते हुलदङा सान्‍त भेलै तब पावल बिस्‍बासीसबके बोलाइल्‍कै आ उत्‍साहके बचनसब कैहके उसबसे बिदा भ्‍याके माकेडोनिया इलाका दिसन गेलै। 2ओइ इलाकामे पुग्‍लाकेबाद ओतेका बिस्‍बासीसबके उत्‍साह द्‍याके फेनो ओतेसे उ गिरिस देसमे गेलै। 3उ ओते तिन महिना तक रहलै आ जब उ पानी जहादसे सिरियाके लेल निक्‍ले लाग्‍लै तब यहुदीसब हमर बिरोधमे जाल-झेल रैच रहल छै तैके बारेमे थाह भेलै। तैल्‍याके उ फेनो माकेडोनिये हैत घुइमके आबैले निरनय करल्‍कै। 4तब ओकरसाथमे बेरिया बासि पुरसके बेटा सोपातरोस, थेसलोनिकेसे अरिस्‍तारखस आ सिकन्‍दस, डरबीके गायस आ तिमोथी तब एसियाके तुखिकस आ तरोफिमस छेलै। 5महज उसब हमरासबसे पैहनैये गेलै आ तरोआस सहरमे असियाल छेलै। 6तब हमसब अखमिरी रोटी पाबैनके बाद फिलिप्‍पी सहरसे बिदा भ्‍याके पानी जहादके यातरा कैरके पाँच दिनमे तरोआस सहरमे पहुचलियै आ ओते हमसब सात दिनतक रहलियै।
युटिकस जिबित भेलै
7जब हमसब हप्‍ताके पहिन्‍का दिनमे परभु-भोज खाइले जम्‍मा भेलियै। तब पावल बिहान सबेरे जाइके इक्‍छा करलाके कारन, उसबसङे बात-चित करैत-करैत अधा रात बित्‍लै। 8हमसब जते जम्‍मा भेल छेलियै तकर उपरका कोठलीमे बहुत चिरखासब नेसल छेलै। 9युटिकस नामके एकटा युबक झालमे बैठल छेलै। पावलके बात सुनैत-सुनैत उ निनसे माइतके तिन महला उपरसे खैसपरलै। ओकरा उठाइले गेलै त उ मैरगेल छेलै।
10तब पावल निचा एलै आ निहुकके ओकरा भोइर पाँज पकैरके आसपासमे भेल लोकसबके कहल्‍कै, “नै घबरा, कथिलेत यि नै मरल छै।” 11तकरबाद पावल उपरका कोठलीमे गेलै आ परभु भोज खेल्‍कै। उ बिहान तक ओइसबसे बातचित करल्‍कै आ ओतेसे बिदा भेलै। 12तब चेलासब उ युबकके जिबिते अबस्‍थामे घर पुगा देल्‍कै आ उसब एकदम खुसी भेलै।
तरोआससे मितिलेनेतक
13तब हमसब पावलके छोइरके पैहनैये पानी जहादसे अस्‍सोस सहरमे गेलियै। पावलके अस्‍सोस सहर तक पैदल चैलके जाइले इछा करलाके कारन उ अपने आपके अस्‍सोस सहरमे मातरे पानी जहादमे चरहैके तालमेल मिलाइने छेलै। 14जब हमसब अस्‍सोसमे पहुचलियै तब ओकरा भेटके जहादमे चरहाइलियै, तब सबकोइ मिलके मितिलेने सहरमे गेलियै। 15बिहान ओतेसे बिदा भ्‍याके खियस टपुके लगमे पहुचलियै आ परसु सामोस टपुमे तब चरमा दिन मिलेटस सहरमे पहुचलियै। 16एसिया परदेसमे देर हेतै से बिचार कैरके पावल एफिससमे नै जाइके निरनय करल्‍कै। कथिलेत उ सकभर पेन्‍तिकोस पाबैनके दिनमे यरुसलेममे पुगैले हतार छेलै।
एफिससके अगुवासबसे पावलके बिदा
17तब मिलेटससे पावल एफिसस सहरमे समाध पठाके मन्‍डलीके रेखदेख करैबलासबके बोलाइले पठाइल्‍कै। 18जब उसब पुग्‍लै तब पावल ओइसबके कहल्‍कै, “तोरासबके थाहे छौ कि, जै दिनसे हम एसियामे एलियै तै दिनसे तोरासबके बिचमे कनङके आपन दिन काटने छेलियौ। 19हम त धिरजके साथ आ लोर बह्‍या-बह्‍याके यहुदीसबके जालझेलके बावजुदो परभुके सेबा करतै रहलियै। 20तोरासबके सहायता हैबला कामसब सब लोकसबके बिचमे परचार करैले आ तोरासबके घर-घरमे सेहो ज्‍याके सिक्‍छा दैले नै छोरलियौ। 21हम यहुदीसब आ गिरिकसब पस्‍चाताप कैरके परमेस्‍वर दिसन घुमे आ अपनासबके परभु येसु खिरिस्‍टमे बिस्‍बास करे से बातके चेताइने चियै।
22“आब हम पबितर आत्‍माके आग्‍या अनुसार यरुसलेम ज्‍यारहल चियौ। ओते हमरा कथि-कथी हेतै, से हम नै जानैचियौ। 23महज हम अतबे जानैचियै, कि हरेक सहरमे कैद आ सताबट भोगे परतै से बात हमरा पबितर आत्‍मा गबाही देने छै। 24महज हम आपन जिबनके कोनो मोलके नै मानैचियै। अतबेहेक मातर चाहैचियै कि, परमेस्‍वर लोकसबके अनुगरह देने छै से सुसमाचार करैले हम अन्‍ततक दौरबरहा करी आ परभु येसुसे मिलल सेबाके काम पुरा करेसकी। 25आब देख, हम जानैचियै कि, अहाँसब मेसे जकर-जकर बिचमे परमेस्‍वरके राजके बारेमे परचार करैत घुमलियै, आब फेनो तुसब हमर मुह कहियो नै देखबिही। 26तै खातिर आइ हम तोरासबके गबाही दैचियौ कि, यदी तोरासबमेसे कोइगोरे नास हेबे त तकर दोसी हम नै हेबौ। 27कथिलेत हम परमेस्‍वरके सरा योजना सुनाबैले पछामाथे नै ताकलियौ। 28तैल्‍याके तोरासबके आपनो आ आपन पुरे जेरके रेखदेख करैतरह। पबितर आत्‍मा तोरासबके ओइसबके चरबाहा बनाइनेछौ कि तोरासबके परमेस्‍वरके मन्‍डलीके रेखदेख कर, जकरा परमेस्‍वर आपन बेटाके लहुसे किन्‍नेछै। 29हम जानैचियौ कि, हम चैलगेलाके बाद तोरौरके बिचमे जङली नरहियासब एतौ आ जेरके बाकी नै राख्‍तौ। 30अहैसबके बिचसे झुठ बात सिखाइबला लोकसब निकल्‍तौ, जे बिस्‍बासीसबके बहक्‍याके आपन दिसन तान्‍तौ। 31तै खातिर होसियार रह, कि हम तिन बरिसतक दिन-रात लोर बह्‍या-बह्‍याके लोकसबके समझाइते रहलियौ।
32“आब हम तोरासबके परमेस्‍वरके जिम्‍मा आ ओकर अनुगरहके बचनमे सौपदैचियौ, जैसे तोरासबके बिस्‍बासमे मजगुत बनाइले सक्‍तौ आ पबितर करल लोकसबके सङे उतराधिकार दैले सक्‍तौ। 33हम कोनो लोकके सोना-चानी या बस्‍तरसबके लोभ नै करलियै। 34तोरासबके थाहे छौ कि, हम आपन हाथके मेहनतसे आपन आ सङे रहैबला सङिसबके जरुरत पुरा करलियै। 35हम आपन सबकाम तोरासबके कैरके देखा देलियौ कि, तुहुसब अहिनङे मेहनत कैरके कमजोरसबके मदत कर आ परभु येसुके कहल बचन याद कर जे उ आपनेसे कहनेछै, ‘लेनाइ से देनाइ मे आसिस छै।’”
36तब पावल अतबेहेक कैहके ठेङहुनिया मारल्‍कै आ सबकोइ मिलके परथना करल्‍कै। 37उसब एकदम कान्‍लै आ ओकरा पजियाके चुम्‍मा लेल्‍कै। 38ओइसबके सबसे बेसी यि बातके दुख छेलै कि, “आबसे फेनो हमर मुह तुसब देखे नै पाबबिही।” तब ओकरा पानी जहादतक पहुचादेल्‍कै।

Currently Selected:

परेरित 20: MTH

Highlight

Share

Copy

None

Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in