परेरित 19
19
पबितर आत्माके समबन्धमे सिक्छा
1जखुन अपोल्लोस कोरिन्थ सहरमे छेलै तखुन पावल एसिया इलाकाके बिच रस्ता हैत एफिसस सहरमे पुग्लै। ओते उ बिस्बासीके भेटलै। 2उ ओकरासबके पुछल्कै, “कि तुसब परभुमे बिस्बास कैरके पबितर आत्मा पाबलिही?” तब उसब कहल्कै, “नै, हमसब त सुनन्हु नै चियै कि पबितर आत्मा हैछै।” 3फेनो पावल पुछल्कै, “तब, कोन बातमे बिस्बास कैरके तोरौरके बप्तिस्मा लेल्ही?” उसब जबाब देल्कै, “युहन्नाके सिख्याल बप्तिस्मा।” 4तकरबाद पावल ओकरौरके बुझ्हाके कहल्कै, “युहन्नाके सिख्याल बप्तिस्मा पापसे पस्चाताव करैबला बप्तिस्मा चियै। उ लोकसबके कहने छेलै ‘हमरसे पाछे आबैबला येसु खिरिस्टमे बिस्बास कर।’”
5यि बात सुइनके उसब परभु येसुके नाममे बप्तिस्मा लेल्कै। 6जब पावल उसबके उपरमे आपन हाथ राखल्कै तब उसब उपर पबितर आत्मा एलै। तब उसब दोसर भसामे बोले लाग्लै आ अगमबानी करे लाग्लै। 7उसब करिब बारह गोरा छेलै।
8तब पावल यहुदी सभाघरमे गेलै आ साहसके साथ तिन महिनातक परमेस्वरके राजके बारेमे परचार आ बात-चित करैत लोकसबके बुझाइत रहलै। 9महज जब कोइ-कोइ थेथर भ्याके बिस्बास नै करल्कै आ लोकसबके सामने परभुके बाटमे चलैबलासबके बिरोध करे लाग्लै। तैल्याके पावल सभाघर छोइरके चैलगेलै आ कुछ बिस्बासीसबके साथमे ल्याके टुरान्नस नामके सिक्छा दैबला घरमे सबदिन बात-चित करे लाग्लै। 10दुइ बरिसतक अहिनङे चलैत रहलै आ एसिया परान्तके सब बासिसब, यहुदी आ गिरिक दुनु परभुके बचन सुनल्कै।
11परमेस्वर पावलके हाथसे अदभुत आस्चरजके कामसब करल्कै। 12हैते-हैते लोकसब रुमाल या गम्छा ओकर देहमे छुब्याँके बिमारीसब लग लजाइछेलै आ उ बिमारीसब निक हैछेलै आ भुतो आत्मासब निकैलके जाइछेलै।
13महज कुछ अने-ओने घुमफिर करैबला यहुदी झार-फुक करैबलासब भुत-आत्मा लागलसबके परभु येसुके नाम लैत एहेन कहै, “पावलके परचार करल येसुके नाममे हम तोरा आग्या करैचियौ।” 14ओते एक गोरे इस्केवास नामके यहुदी परधान पुजारीके सात बेटासब अहिनङे काम करैछेलै। 15महज एक दिन भुत आत्मा ओकरासबके कहल्कै, “हम येसुके चिन्हैचियै, पावलोके चिन्हैचियै, महज तुसब के चिही?” 16तखुन्ते भुत आत्मा लाग्ल लोक उसबके उपर आकरमन करल्कै आ सबकोइके पटकल्कै आ उसब नङटे आ घाहिल भ्याके उ घरसे भाग्लै।
17यि बात एफिसस बासि, यहुदी आ गिरिक जातीके सबलोक सुनल्कै। तब उसबके डर भ्यागेलै आ परभु येसुके नामके परसन्सा भेलै। 18बहुतो बिस्बास करैबलासब एलै आ खुलस्त रुपमे आपन-आपन करल खराब कामसब सुइकार करल्कै। 19ओइसबमेसे बहुतो गोरे, जेसब जादु-मन्तर, टुनामुना करैछेलै, आपन-आपन किताबसब जम्मा कैरके आनल्कै आ सबके अगामे जरादेल्कै। जब ओकर मोल अनुमान करल्कै त पचास हजार चानीके टका बराबर भेलै। 20अहिनङे परभुके बचन फैलैत आ परभाबसाली हैतगेलै।
एफिससमे हुलदङा
21तकरबाद पावल पबितर आत्माके अगुवाइमे माकेडोनिया आ अखैया इलाका हैत यरुसलेम जाइके निरनय करल्कै। उ कहल्कै, “ओते पुग्लाकेबाद हमरा रोम सहरमे जाइए परतै।” 22तब पावल आपन दुइ सहकरमी, तिमोथी आ इरास्तसके उ माकेडोनियामे पठाइल्कै, महज आपने कुछदिन एसियेमे रहलै।
23ओहै बखत “परभुके बाटके” बारेमे परचार भेलासे हुलदङा मच्लै। 24कथिलेत डेमेतेरियस नामके एकटा सोनार, जे आरतेमिस देबिके चानीके मन्दिरसब बनाके कारिगरसबके बहुतो काम देने छेलै। 25तब आपन कारिगरसबके आ अहिनङे काममे लागलसबके एक ठाममे भेला करल्कै आ कहल्कै, “हौ भैयारीसब, तोरासबके थाहे छौ कि, एह्या बेपारसे अपनासबके बन्हिया कमाइ हैछौ। 26तुसब देखैचिही आ सुनैचिही, कि एफिससमे मातरे नै महज एसियाके पुरे परान्तमे हाथसे बन्याल देबिदेबता कुछो नै चियौ कैहके पावल बहुत लोकसबके बहक्याके लगेलछै। 27तै खातिर अपनासबके बेपारके इजत मातरे नै, महज महान देबि आरतेमिसके मन्दिरो बेकामके हेतौ। तब एसिया आ सन्सार भैरके लोकसब पुजा कैरते आइबरहल देबिके गौरब नास भ्या जेतौ।”
28जब उसब यि बात सुनल्कै तब उसब एकदम खिस्याइलै आ जोरसे हल्ला करे लाग्लै, “एफिसीसबके आरतेमिस देबि महान छै!” 29तब पुरे सहरमे हुलदङा मच्लै आ उसब एकमत भ्याके पावलके सहकरमी माकेडोनिया बासि गायस आ अरिस्तारखसके पकैरके रङसालामे घिस्याइते ल्यागेलै। 30पावल लोकसबके भिरमे जाइले चाहल्कै, महज ओतेका बिस्बासीसब ओकरा जाइले नै देल्कै। 31एसियाके कतहेक अधिकारीसब पावलके सङी छेलै। उसब पावलके रंगसला भितर नै जाउ कैहके समाध पठेल्कै।
32एम्हर रंगसला भिरत एतहेक नै होहल्ला हैतरहै कि कोइ कुछ कहैक त कोइ कुछ। महज बहुतो लोकसबके कथिले हमसब जम्मा भेलचियै सेहो नै थाह छेलै। 33तखुन्ते भिरके कुछ लोकसब अलेक्जेन्डरके अगारी लाबल्कै, जकरा यहुदीसब खरा करेने छेलै। तब अलेक्जेन्डर हाथसे इसरा करल्कै आ लोकसबके अगा बचाउके लेल कुछ बोलैके इक्छा करल्कै। 34महज जब उसब यि त यहुदी चियौ कैहके थाह पाबल्कै तब सबकोइ एके अबाजमे करिब दुइ घन्टा तक हल्ला करैत रहलै, “एफिसीसबके आरतेमिस देबि महान छै!”
35अन्तमे सहरके हाकिम लोकसबके सान्त करल्कै आ कहल्कै, “हे एफिससके लोकसब, एफिसीसबके सहर महान आरतेमिसके मन्दिर आ अकाससे खसल ओकर मुरुतके रक्छक चियै, से के नै जानैछै? 36तोरासबके थाहे छौ कि यि बात सत चियै, तैल्याके तुसब सान्त हो आ बेकारके कामसब नै कर। 37कथिलेत जे लोकसबके तुसब पकैरके आन्नेचिही, उसब नै त मन्दिर लुटने छै, नै त अपनासबके देबिके अपमान करने छै। 38तै खातिर डेमेतेरियस आ ओकर सोनारसबके बिरोधमे कुछो बात कहनेछौ त अदालत छेबे करौ आ नियाइधिसोसब छेबे करौ। उसब एक-दोसरके बिरोधमे मुदा लरौक। 39यदी औरो दोसर सबाल छौ त तकर फैसला नियमित सभामे हेतौ, 40कथिलेत यि हुलदङगाके दोस हमरासबके उपर आबैके खतरा छौ। कथिलेत बिनाकारनके हुलदङगाके बारेमे कोनो जबाफ नै छौ।” 41यि कैहके उ सभाके समापत करल्कै।
Currently Selected:
परेरित 19: MTH
Highlight
Share
Copy

Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in
© 2024 (Active), Wycliffe Bible Translators, Inc. All rights reserved.