मती किताबके परिचय
किताबके परिचय
यि मतीके लिखल सुसमाचार चियै।
यि पहिनेसे परतिग्या करल मुक्तीदाता येसुवे चियै से बातके जाहेर करैछै।
पुरन्का समयमे परमेस्वर आपन परजा यहुदीसबके एकटा मुक्तीदाता पठाइबौ कैहके बाचा करने छेलै।
उ बाचा परमेस्वर येसुके सन्सारमे पठ्याके पुरा करल्कै।
यि सुसमाचार यहुदी जातीके लेल मातरे नै भ्याके पुरे सन्सारके लेल सेहो छै।
मतीके लिखल सुसमाचार असलसे मिल्याके राखल छै। अइमे येसुके जलमसे ल्याके मरन आ येसु फेनो जिबित भ्याके उठल छै तैके बरनन करल छै। अइमे येसुके जलम, बप्तिस्मा, सताबट आ ओकर गालिलमे करल परचार, सिक्छा आ चङगाइ करैबला कामसबके बारेमे कहल छै। येसु यरुसलेम गेल, ओते उ अन्तिम हप्ता बित्याल, कुरूसमे टाङलगेल आ फेनो मैरके जिबित भ्याके उठल बातसब कहलगेल छै।
यि सुसमाचार येसुके नियम आ स्वरगिय राजके भेद खोलैके अधिकार मिलल महान गुरु कैहके पेस करने छै। ओकर बहौत सिक्छा एहेन बिसयसबमे छै।
१) पहारके उपदेस- स्वरग-राजके लोकसबके आबसक्ताके गुनसब, बिसेस अधिकारके बिसयमे अनङ कहैछै: अध्याय ५-७
२) बारह चेलासबके परचारके आग्या: अध्याय १०
३) स्वरग-राजके कथासब: अध्याय १३
४) चेलापनके अरथ: अध्याय १८
५) यि युगके अन्त आ खिरिस्टके दोसर आगमनके बिसयमे सिक्छा: अध्याय २४-२५
बिसय-सुची
येसु खिरिस्टके बंसाबली आ जलम १:१-२:२३
बप्तिस्मा दैबला युहन्नाके सेबा-काम ३:१-१२
येसुके बप्तिस्मा आ परिक्छा ३:१३-४:११
येसुके गालिलमे सेबा-काम ४:१२-१८:३५
गालिलसे यरुसलेमतक १९:१-२०:३४
यरुसलेममे येसुके अन्तिम हप्ता २१:१-२७:६६
येसु मैरके जि उठलै आ चेलासबके बिचमे परगट भेलै २८:१-२०
Obecnie wybrane:
मती किताबके परिचय: MTH
Podkreślenie
Udostępnij
Kopiuj

Chcesz, aby twoje zakreślenia były zapisywane na wszystkich twoich urządzeniach? Zarejestruj się lub zaloguj
© 2024 (Active), Wycliffe Bible Translators, Inc. All rights reserved.