मती 13
13
बिचहन छिटैबलाके खिसा
(मरकुस ४:१-१९, लुका ८:४-८)
1ओहै दिन येसु घरसे बाहर निकैलके तालके कातमे ज्याके बैठलछेलै। 2ओकर कात-करौतमे लोकसबके बरका भिर आइबके जम्मा भ्यागेलै, तब उ नाहमे चहरलै आ लोकसबके भिर तालके कातमे ठार भेलै।#लुका ५:१-३ 3येसु ओइ लोकसबके बहौत बातसब खिसामे कहल्कै।
“सुन! एकटा किसान बिचहन छिटैले गेलै। 4तब उ बिचहन छिटैतखिना कुछ बिचहन रस्ताके कातमे परलै आ चिरै-चुरगुनसब बिछके ख्यालेल्कै। 5कुछ बिया पथलबला जमिनमे परलै, जते बेसी माटी नै रहै आ माटीके गहिराइ नै भेलासे बिया जल्दीए जलमलै। 6महज टह-टह रौद उग्लाके बाद टुसासब मौरागेलै आ सिर नै लग्लाके कारन उ सुइखगेलै। 7कुछ बिया काँटसबके झारमे परलै। काँटके झारसब बरहैत गेलै आ जलमल बियाके दाइब देल्कै। 8महज कुछ बिचहन हलगर जमिनमे परलै आ बैरहके कोनो सय गुना, कोनो साठी गुना आ कोनो तिस गुना फल फरलै। 9जकरा कान छै, उ धियानसे सुइनके बुझ।”
10तब चेलासब आइबके येसुसे पुछल्कै, “अहाँ लोकसबसङे कथिले खिसामे बात करैचियै?” 11उ आपन चेलासबके जबाफ देल्कै, “तोरासबके त स्वरगके राजके भितरी भेद जानैले देने छौ, महज ओकरासबके नै देने छै। 12कथिलेत जकरसङे छै तकरा औरो देलजेतै आ ओकरा परसस्त भ्याजेतै। महज जकरा नै छै तकरसे भेल्होल्यालेतै।#मती २५:२९, मरकुस ४:२५, लुका ८:१८, १९:२६ 13अहैसे हम ओकरासबसङे खिसामे बात करैचियै: ‘कथिलेत उसब ताकैले त ताकैछै, महज नै देखैछै, सुनैले त सुनैछै, महज नै बुझैछै।’ 14यसैया अगमबक्ताके करल भबिसबानी तोरासबमे पुरा भेलछौ:
तुसब सुनैले त सुनैचिही, महज कहियो नै बुझैचिही,
ताकैले त ताकैचिही, महज कहियो नै देखैचिही। #
यसैया ६:९-१०
15 ‘कथिलेत यि लोकसबके मन कठोर भ्यागेलछै
आ ओइ लोकसबके कान बैहर भ्यागेल्छै,
उसब आपन आँख मुइन लेने छै,
नै त उसब आँखसे देखतियै, कानसे सुनतियै
आ मनसे बुझतियै
आ घुइमके हमरलग एतियै
आ हम ओइसबके निक करतियै।’
16 “महज तुसब धैनके चिही, कथिलेत तुसब आपन आँखसे देखैचिही आ कानसे सुनैचिही। #
लुका १०:२३-२४ 17हम तोरासबके साँचोके कहैचियौ, तोरासबके देखलहा आ सुनलहा बातसब बहुतो अगमबक्ता आ धरमी लोकसब देखैके आ सुनैके इक्छा करने छेलै। महज उसब देखैयोले आ सुनैयोले नै पाबल्कै।
बिचहन छिटैबला खिसाके अरथ
(मरकुस ४:१३-२०, लुका ८:११-१५)
18 “आब तुसब बिचहन छिटैबला खिसाके अरथ सुन। 19जे लोक परमेस्वरके राजके बचन सुइनके नै बुझैछै, उ लोक रस्ताकातमे परल बिचहन जखा चियै। तब सैतान आइबके ओकर हिरदयमे भेल्हा बचन छिनके ल्याजाइछै। 20पथले-पथल जमिनमे परल उ लोक जखा चियै, जे परमेस्वरके बचन सुनैत मातर खुसिसाथ गरहन करैछै। 21महज उ बचन ओकर हिरदयमे नै गरलाके कारन कुछदेर मातरे रहैछै। तब परमेस्वरके बचनमे बिस्बास करलाके कारन जब दुख आ सताबट आबैछै तब बिस्बाससे पछा हैट जाइछै। 22काँटके झारमे परल बिचहन उ लोक जखा चियै, जे बचन सुनैछै, महज सन्सारके चिन्ता आ धन-सम्पतीके मोह-मायासे बचनके दाइब दैछै। उ बचन ओकर जिबनमे कोनो परकारके फल नै फराबैछै। 23महज असल जमिनमे परल बिचहन उ लोकसब जखा चियै, जे बचन सुनैछै, बुझैछै आ साँचोके फल फराइछै। उ छिटल बिचहनसे सय गुना, साइठ गुना आ तिस गुना फल फराइछै।”
झर बिचहनके खिसा
24येसु लोकसबके दोसर खिसा सुनाइल्कै, “देख, स्वरगके राज एकटा एहेन लोकसे तुलना करल जाइछै जे आपन खेतमे असल बिचहन छिटैछै। 25महज राइतमे लोकसब सुतल बखत ओकर दुस्मन एलै आ गहुम छिटल खेतमे झरके बिचहनसब छिटके चैलगेलै। 26जब गहुम पलाइलै आ ओइमे सिंस लाग्लै तब झर सेहो देखाबे लाग्लै।
27 “यि देखके नोकरसब आइबके मालिकके कहल्कै, ‘मालिक, कि अहाँ आपन खेतमे असल बिचहन नै छिटने रहियै? ओइमे झर कतेसे एलै?’ 28मालिक कहल्कै, ‘यि कोनो दुस्मनके काम चियै!’ नोकरसब कहल्कै, ‘कि हमसब ज्याके ओकरा उखाइरके फेकदियै?’
29 “महज मालिक कहल्कै, ‘नै’, अखुन नै उखार, कथिलेत झर सङे गहुमो उखैर जेतौ। 30बाली काटै बखत तक दुनुके सङे-सङे बरहेदहै। गहुम काटै बखत हम काटैबलासबके कहबै, ‘पहिने झरके ढेरिया आ डाहैले बोझा बान्ह, तब गहुमके हमर बेखारीमे राख।’”
रायके बियाके खिसा
(मरकुस ४:३०-३२, लुका १३:१८-१९)
31येसु फेनो ओइसबके दोसर खिसा कहल्कै, “स्वरगके राज रायके बिया जखा चियै, जे एकटा लोक लज्याके आपन बारीमे रोपल्कै। 32रायके बिया सब बियासबसे छोट हैछै, महज जब बरहैछै, तब उ सब सागपातसे बरका भ्याके गाछ भ्याजाइछै। अकासके चिरै-चुरगुनसब आइबके ओकर ठाइरमे खोता लगाइछै।”
33तब येसु फेन ओइसबके दोसर खिसा कहल्कै, “स्वरगके राज रोटी फुलाइबला खमिर जखाछै, जे एकटा जनी पच्चिस किलो आँटामे मिल्याके सानल्कै आ उ जम्मे अँटा फुइल जाइछै।”
34येसु यि सब बात लोकसबके खिसामे कहल्कै, उ ओइसबके बिना खिसा कुछो नै कहल्कै। 35तब अहिनङे अगमबक्ताके कहल बचन पुरा भेल छै-
“हम तोरासबसे खिसामे बात करबौ
आ सन्सार सिरिस्टीके सुरुवेसे जे बातसब झापल छेलौ से बात हम कहबौ”।#भजनसङगरह ७८:२
झरके खिसाके अरथ
36तकरबाद येसु भिर लागल लोकसबके छोइरके घरमे चैलगेलै। चेलासब ओकरलग आइबके कहल्कै, “हमरासबके झरके खिसाके अरथ बुझादिय।” 37तब येसु ओइसबके जबाब देल्कै, “असल बिचहन छिटैबला मानबके पुतर हम्ही चियै। 38खेत सन्सार चियै। असल बिचहन परमेस्वरके राजके लोकसब चियै आ झर सैतानके लोकसब चियै। 39झर छिटैबला सैतान चियै। बाली काटैबला समय जुगके अन्त चियै। काइटके जमा करैबलासब स्वरगदुतसब चियै। 40जनङ झर ढेरियाके आइगमे जराइछै, ओहिनङे जुगके अन्तिम दिनमे हेतै। 41तै बखत मानबके पुतर आपन दुतसबके पठेतै आ परमेस्वरके राजमे पापमे फसाइबला आ दुस्ट काम करैबलासबके निकाइलके जमा करतै, 42आ ओइसबके आइगके धिधरामे फेकदेतै। ओते लोकसब कान्तै आ दाँत किट-किटेतै। 43तब धरमी लोकसब आपन पिताके राजमे सुरुज जखा चम्कतै। जकरा कान छै, उ धियानसे सुइनके बुझ।
गारल धन आ अनमोल मोती
44 “स्वरगके राज खेतमे गारल बहुत अनमोल धन जखा चियै, जे कोनो एकटा लोकके भेटैछै, ओकरा उ माइटके तरमे गाइरके राखैछै आ खुसी हैत जाइछै आ आपन सब धन-सम्पती बेचके ओहे खेत किनैछै।
45 “फेनो परमेस्वरके राज असल मोतीसब खोजैबला एकटा बेपारी जखा चियै। 46जब ओकरा एकटा अनमोल मोती भेटैछै तब ज्याके आपनसङे भेल्हा सब धन-सम्पती बेचके उ मोती किनैछै।
जालके खिसा
47 “फेन स्वरगके राज त समुन्दरमे माछ मारैले राखल एकटा जाल जखा चियै, जैमे सब परकारके माछ परैछै। 48जब जाल भरैछै तकरबाद जाल लगाइबलासब ओकरा ताइनके कातमे आनैछै आ बैठके असल माछसबके डेलीमे राखैछै आ नै निक माछसबके फेक दैछै। 49जुगके अन्तमे अहिनङे हेतै, स्वरगदुतसब आइबके परमेस्वरके अगा धरमी लोकसबके बिचसे दुस्टसबके अलग करतै। 50आ आइगके धिधरामे झोइक देतौ। ओते उसब कान्तै-खिजतै आ दाँत किट-किटेतै।”
51तब येसु चेलासबके पुछल्कै, “कि तुसब यि सब बात बुझलिही?” उसब जबाब देल्कै, “हँ, बुझलियै।” 52तब येसु फेनो ओइसबके कहल्कै, “अहै खातिर स्वरगके राजके बारेमे जानकार भेल्हा हरेक धरमगुरु एकटा घरके मालिक जखा चियै, जे आपन बखारीसे लबका आ पुरन्का अनमोल चिजसब निकाइल सकैछै।”
नासरतमे येसुके इन्कार
(मरकुस ६:१-६, लुका ४:१६-३०)
53यि खिसासब सुनेलाके बाद येसु ओतेसे चैलगेलै। 54उ आपन गाम नासरतमे आइबके ओतेका सभाघरमे लोकसबके सिक्छा देबे लाग्लै। लोकसब ओकर बात सुइनके आस्चरज मानल्कै आ कहल्कै, “अकरा एहेन बुइध आ अजगुतके काम करैबला सक्ती कतेसे एलै? 55कि यि काठ मिस्तिरीके बेटा नै चियै? कि अकर माँ के नाम मरियम आ अकर भाइसब याकुब, योसेफ, सिमोन आ यहुदा नै चियै? 56कि अकर बहिनोसब अपनासबके बिचमे नै रहैछै? तैयो यि सब बातसब अकरा कतेसे मिलल छै?” 57ऐहेन कहैत लोकसब येसुके इन्कार करल्कै। तब येसु ओइसबके कहल्कै, “अगमबक्ताके सब दिसन आदर हैछै महज आपन कर-कुटुमबसबके बिचमे आ आपन घरमे आदर नै हैछै।”#युहन्ना ४:४४ 58तब ओइसबके अबिस्बासके कारन उ ओते औरो अजगुतके कामसब नै करल्कै।
Markert nå:
मती 13: MTH
Marker
Del
Kopier
Vil du ha høydepunktene lagret på alle enhetene dine? Registrer deg eller logg på
© 2024 (Active), Wycliffe Bible Translators, Inc. All rights reserved.