मती 14
14
बप्तिस्मा दैबला युहन्नाके मरन
(मरकुस ६:१४-१९, लुका ९:७-९)
1ओइ बखत गालिल परदेसके सासक हेरोद येसुके करल असल कामसबके चरचा सुनल्कै। 2उ आपन सहजोगिसबके कहल्कै, “यि बप्तिस्मा दैबला युहन्ने चियै! उ फेनो मुरदासे जिके उठल छै। तब त यि एहेन अजगुत-अजगुतके कामसब करैछै।”
3कथिलेत पैहनिए हेरोद आपन भाइ फिलिपके घरबाली हेरोदियासके रखलाके खातिर, युहन्नाके पकैरके जहलमे ढोइकदेने रहै।#लुका ३:१९-२० 4युहन्ना हेरोदके बहौत बेर कहने रहै, “अहाँ आपन भाबोके घरबालीके रुपमे राखनाइ धरम-नियमके अनुसार उचित नै छै।”#लेबी १८:१६, २०:२१ 5अहै कारन हेरोद युहन्नाके मारैले बिचार करने रहै, महज उ लोकसबसे डराइछेलै, कथिलेत उ लोकसब युहन्नाके अगमबक्ता मानैछेलै।
6महज जब हेरोदके जलम दिन एलै तब हेरोदियासके बेटी ओकर मेजमानसबके अगारी नाइचके हेरोदके एकदम खुस करल्कै। 7तब उ किरिया खाइत ओकरा कहल्कै, “तु जे कुछ हमरसे माङबिही, से हम तोरा देबौ।” 8महज ओकर माँ सिख्या-परह्याके कहैले लगाइल्कै, “बप्तिस्मा दैबला युहन्नाके मुर हमरा अहै थारीमे दिय।” 9यि बात सुइनके हेरोद एकदम दुखित भेलै, महज तैयो उ आपन मेजमानसबके अगामे ख्याल किरियाके कारन उ ओहिनङे करैले हुकुम देल्कै। 10उ जहलमे युहन्नाके मुरी काटैले लगाइल्कै। 11तब ओकर मुरी थारीमे आइनके ओइ छौरीके हाथमे देल्कै। उ आइनके आपन माँ के देल्कै। 12तकरबाद युहन्नाके चेलासब ओकर लहासके लज्याके गाइर देल्कै। तब उसब ज्याके येसुके यि बात सुना देल्कै।
येसु पाँच हजार लोकसबके खियाइल्कै
(मरकुस ६:३०-४४, लुका ९:१०-१७, युहन्ना ६:१-१४)
13जब येसु यि बात सुनल्कै तब एकटा नाहमे चहैरके चुप-चाप सुन-सान ठाममे चैलगेलै। महज येसु जाइले लागल छै सुइनके बहुतो लोकसब सहर-सहरसे पैदले चैलके ओकर पछा गेलै। 14येसु जब नाहसे उतरलै तब लोकसबके बरका भिरके देखल्कै। भिरके देखैत मातर ओइलोकसब उपर दया लाइगगेलै आ ओइसबके बिचमे रहल रोगी-बिमारीसबके निक कैरदेल्कै।
15जब साँझ हेबे लाग्लै तब चेलासब आइबके येसुके कहल्कै, “यि ठाम बस्तीसे बहौत दुर छै आ साँझ परे लाग्लै। भिरके बिदाह कैरदिय आ उसब लग-पासके गामसबमे ज्याके आपन लेल कुछ खाइबला चिजसब किनके खेतै।” 16महज येसु चेलासबके कहल्कै, “ओइसबके जाइके जरुरी नै छै। तुहिसब अकरासबके खाइले दहै।” 17तब चेलासब कहल्कै, “हमरासबसङे पाँचटा रोटी आ दुइटा माछ मातरे छै।” 18तब येसु कहल्कै, “उ रोटी आ माछ हमरलग आन।”
19तकरबाद ओइ लोकसबके घासमे बैठ कैहके आग्या देल्कै आ उ रोटी आ माछ ल्याके स्वरग दिसन ताइकके परमेस्वरके धन्यबाद देल्कै, तकरबाद रोटी खाइरके चेलासबके देल्कै आ चेलासब ओइ लोकसबके परैस देल्कै। 20उ सब गोरा अग्हा-अग्हाके खेल्कै। जब चेलासब उगरल्हा खुन्डा-खुन्डीसब बिछके जम्मा करल्कै त बारह चङेरा भेलै। 21खाइबलासबमे जनिजाइत आ धियापुता बाहेक मरद-पुरुखसब मातरे पाँच हजार छेलै।
येसु पानीके उपरमे चललै
(मरकुस ६:४५-५२, युहन्ना ६:१५-२१)
22तकरबाद येसु आपन चेलासबके तुरन्त नाहमे चहैरके अपना जाइसे पहिने तालके दोसर कात चैलजाइले आग्या करल्कै आ उ अपना ओतै रैहके लोकसबके भिरके बिदाह करे लाग्लै। 23लोकसबके बिदाह करलाके बाद उ सुनसान जगहमे परथना करैले पहाड़मे गेलै। जब साँझ परलै तब उ ओते असगरे छेलै। 24महज तखुन तक नाह कातसे बहौत दुर तालमे पहुच गेल छेलै, कथिलेत हबा उल्टा दिसनसे बहैके कारन ढेहसे नाहके डगमगाइत रहै। 25भिन्सरके करिब तिन बजे दिसन येसु तालके पानी उपरमे चैलके चेलासब दिसन आबैत रहै। 26चेलासब ओकरा तालके पानी उपरमे चलैत देखल्कै, तब डरसे “आरौ बा, यि त भुत चियै!” कैहके चिच्याबे लाग्लै। 27तब तुरन्ते येसु ओइसबके कहल्कै, “नै डरा, हम्ही चियौ, साहस कर।”
28यि बात सुइनके पतरुस कहल्कै, “परभु, अहै चियै त, हमरो पानी उपरमे चैलके अहाँ लग आबैले आग्या दिय।” 29येसु कहल्कै, “या” तब पतरुस नाहसे उतैरके पानी उपरमे चलैत येसु दिसन आबे लाग्लै। 30महज हबा जोर-जोरसे बहैत आ बरका ढेहके उठैत देखके उ डराके डुबे लाग्लै, तब उ चिच्याइत कहल्कै, “हे परभु, हमरा बचाबु।” 31तब येसु तुरन्त आपन हाथ बरहाके पकैर लेल्कै आ कहल्कै, “हे बिस्बासमे कम भेल्हा, तु कथिले संखा करलिही?” 32तकरबाद जब उसब नाहमे चहरलै तब हबा आ ढेह सान्त भेलै। 33नाहमे रहल चेलासब ओकरा गोर लागैत कहल्कै, “साच्चे अहाँ परमेस्वरके बेटा चियै।”
34येसु चेलासबसङे तालके ओइकात गनेसरेत ठाममे उतरलै। 35जब ओइ ठामके लोकसब येसुके चिन्हल्कै तब उसब आपन इलाकाके कात-करौतसबमे खबर पठाइल्कै आ उसब आपन रोगी-बिमारीसबके निक करतै कैहके ओकरलग आनल्कै। 36उसब येसुके बस्तरके एकटा कोनो खुट छुबे पाबी कैहके ओकरा बिन्ती करल्कै आ जे-जे रोगी-बिमारसब येसुके बस्तर छुबल्कै उसब निक भेलै।
Markert nå:
मती 14: MTH
Marker
Del
Kopier
Vil du ha høydepunktene lagret på alle enhetene dine? Registrer deg eller logg på
© 2024 (Active), Wycliffe Bible Translators, Inc. All rights reserved.