YouVersion लोगो
खोज आइकन

मरकुस 5

5
दुष्‍टात्‍मा पर यीशुक अधिकार
(मत्ती 8:28-34; लूका 8:26-39)
1यीशु और हुनकर शिष्‍य सभ झीलक ओहि पार गिरासेनी सभक क्षेत्र मे पहुँचलाह। 2नाव पर सँ उतरैत काल एक दुष्‍टात्‍मा#5:2 मूल मे “अशुद्ध आत्‍मा”। तहिना पद 8 और 13 मे सेहो लागल आदमी कबरिस्‍तान दिस सँ हुनका भेँट करऽ लेल अयलनि। 3ओ आदमी कबरिस्‍तान मे रहैत छल। केओ आब ओकरा जंजीरो लऽ कऽ बान्‍हि नहि सकैत छल। 4कतेको बेर लोक ओकरा जंजीर सँ हाथ-पयर बान्‍हि देने रहैक मुदा ओ सभ जंजीर केँ तोड़ि देने रहय। ककरो एतेक शक्‍ति नहि छल जे ओकरा सम्‍हारि कऽ राखि सकय। 5दिन-राति कबरिस्‍तान और पहाड़ मे ओ सदिखन चिचियाइत रहैत छल और पाथर सँ अपना देह केँ कटैत रहैत छल।
6यीशु केँ दूर सँ देखि ओ दौड़ैत आयल और हुनका पयर पर खसि कऽ 7जोर सँ चिचिया लागल जे, “यौ परम परमेश्‍वरक पुत्र यीशु! अपने केँ हमरा सँ कोन काज? अपने केँ परमेश्‍वरक सपत अछि—हमरा दुःख नहि दिअ।” 8ई बात ओ एहि द्वारे कहलक कि यीशु ओहि दुष्‍टात्‍मा केँ कहैत छलाह जे, “हे दुष्‍टात्‍मा! एहि आदमी मे सँ निकल!”
9तखन यीशु ओकरा सँ पुछलथिन जे, “तोहर नाम की छह?” ओ कहलक जे, “हमर नाम अछि ‘सेना’, किएक तँ हम सभ बहुत गोटे छी।” 10तखन ओ हुनका सँ विनती करऽ लागल जे, “हमरा सभ केँ एहि इलाका सँ बाहर नहि निकालू।”
11ओहीठाम लग मे पहाड़ पर सुगरक बड़का झुण्‍ड चरि रहल छल। 12दुष्‍टात्‍मा सभ यीशु सँ विनती कयलकनि जे, “हमरा सभ केँ ओहि सुगर सभ मे पठा दिअ, ओकरा सभ मे हमरा सभ केँ पैसऽ दिअ।” 13यीशु ओकरा सभ केँ अनुमति दऽ देलथिन। ओ सभ ओहि आदमी मे सँ निकलि आयल और सुगर सभ मे प्रवेश कऽ गेल। पूरा झुण्‍ड—लगभग दू हजार सुगर—बताह भऽ पहाड़ पर सँ धरफरा कऽ झील मे खसल और सभ पानि मे डुबि कऽ मरि गेल।
14सुगर चराबऽ वला तुरत भागि एहि घटनाक बारे मे नगर आ देहातो मे सुनौलक। एहि घटना केँ देखऽ लेल बहुतो लोक आयल। 15यीशु लग पहुँचि कऽ ओहि आदमी केँ जकरा मे दुष्‍टात्‍मा पहिने रहैत छलैक कपड़ा पहिरने आ स्‍वस्‍थ मोने यीशु लग बैसल देखलक। ई देखि लोक सभ भयभीत भऽ गेल। 16जे सभ ई घटना देखने छल से सभ विस्‍तारपूर्बक लोक सभ केँ कहि देलक जे कोना दुष्‍टात्‍मा लागल आदमी नीक भेल और सुगर सभ केँ की भेलैक। 17तखन लोक सभ यीशु सँ ओहि इलाका सँ चल जयबाक लेल विनती करऽ लगलनि।
18यीशु जखन नाव पर चढ़ऽ लगलाह तखन ओ आदमी जकरा मे पहिने दुष्‍टात्‍मा सभ रहैत छलैक से हुनका सँ विनती कयलकनि जे, “अपना संग हमरो चलऽ देल जाओ।” 19मुदा यीशु ओकरा मना करैत कहलथिन, “तोँ अपना घर जाह, और प्रभु तोरा पर कतेक पैघ दया कयलथुन अछि से अपना आदमी सभ केँ सुनबहक।” 20ओ आदमी “दस नगर” क्षेत्र#5:20 यूनानी मे “दिकापुलिस”, जकर शाब्‍दिक अर्थ अछि “दस नगर”। ई यरदन नदीक दूनू कात मे पड़ऽ वला एक क्षेत्र छल, जाहि मे दसटा नगरक एक संघ छल। मे जा कऽ, यीशु ओकरा लेल जे-जतेक कयने रहथिन से सुनाबऽ लागल। जे सभ ई बात सुनलक से सभ बहुत आश्‍चर्य-चकित भेल।
मरल बच्‍ची और दुखिताहि स्‍त्री
(मत्ती 9:18-26; लूका 8:40-56)
21यीशु नाव मे झीलक एहि पार अयलाह। हुनकर चारू कात बड़का भीड़ जमा भऽ गेल। जखन यीशु झीलक कात मे ठाढ़ छलाह, 22ओही समय मे सभाघरक याइरस नामक एक अधिकारी ओहिठाम अयलाह। यीशु केँ देखि कऽ हुनकर पयर पर खसैत 23निवेदन कयलथिन जे, “हमर बेटी मरि रहल अछि। हमरा घर चलि कऽ ओकरा पर हाथ राखि कऽ ठीक कऽ देल जाओ, जाहि सँ ओ जीबय।” यीशु हुनका संग विदा भऽ गेलाह।
24हुनका संग बड़का भीड़ चलल। चारू कात सँ लोक सभ यीशु केँ पिचऽ लगलनि। 25भीड़ मे एक स्‍त्री छलि जकरा बारह वर्ष सँ खून खसऽ वला बिमारी छलैक। 26ओ बहुतो वैद्य सँ इलाज कराबऽ मे बड्ड कष्‍ट सहल छलि और अपन सभ सम्‍पत्ति खर्च कऽ देने छलि। मुदा तैयो ओकरा कनेको गुण नहि कयलकैक। बल्‍कि ओकर अवस्‍था आओर अधलाहे होइत गेलैक।
27यीशुक बारे मे ओ सुनने छलि। ओ हुनका पाछू आबि, हुनकर वस्‍त्रक कोर छुबि 28मोन मे सोचलक जे, “जँ हम हुनकर वस्‍त्रो केँ छुबि लेब तँ हम ठीक भऽ जायब।” 29हुनकर वस्‍त्र छुबिते ओकर खून बहनाइ बन्‍द भऽ गेलैक। ओकरा अपनो अनुभव भेलैक जे हम रोग सँ मुक्‍त भऽ गेल छी। 30यीशु केँ सेहो तुरत अनुभव भेलनि जे हमरा मे सँ सामर्थ्‍य निकलि गेल अछि। ओ भीड़ दिस घूमि कऽ पुछलथिन जे, “हमरा वस्‍त्र केँ के छुलक?”
31हुनकर शिष्‍य सभ हुनका कहलकनि जे, “अहाँ देखिते छी जे कतेक लोक अहाँ केँ दबा रहल अछि, तँ कोना पुछैत छी जे हमरा के छुलक?” 32मुदा यीशु ई बुझबाक लेल जे ई के कयलक, चारू दिस अपन नजरि खिरौलनि। 33तखन ओ स्‍त्री ई बुझि जे हमरा संग की भेल, डर सँ कँपैत आगू आयल आ यीशुक पयर पर खसैत हुनका सभ बात सत्‍य-सत्‍य कहि देलकनि। 34यीशु ओकरा कहलथिन, “बेटी! तोहर विश्‍वास तोरा स्‍वस्‍थ कऽ देलकह। शान्‍तिपूर्बक जाह और अपन रोग सँ मुक्‍त रहह!”
35यीशु ई बात कहिए रहल छलथिन कि अधिकारी याइरसक घर सँ किछु गोटे आबि कऽ याइरस केँ कहलकनि जे, “अहाँक बेटी मरि गेल। आब गुरुजी केँ आरो कष्‍ट देला सँ कोन लाभ?” 36यीशु ई बात सुनि लेलथिन और सभाघरक अधिकारी केँ कहलथिन, “अहाँ डेराउ नहि! मात्र विश्‍वास राखू!”
37ओ अपना संग पत्रुस, याकूब और याकूबक भाय यूहन्‍ना केँ छोड़ि आरो ककरो नहि आबऽ देलथिन। 38सभाघरक अधिकारीक घर पहुँचि कऽ ओ लोक सभ केँ बहुत कनैत आ जोर सँ विलाप करैत देखलनि। 39घर मे अबिते यीशु ओकरा सभ केँ कहलथिन, “अहाँ सभ हल्‍ला किएक करैत छी और कनैत किएक छी? बच्‍ची मरल नहि अछि—ओ सुतल अछि।” मुदा लोक सभ हुनका पर हँसऽ लागल।
40तखन यीशु सभ लोक केँ बाहर हटा कऽ बच्‍चीक माय-बाबू केँ और अपन शिष्‍य सभ केँ अपना संग लऽ कऽ ओहि घर मे गेलाह जाहिठाम ओ बच्‍ची छल। 41यीशु ओकर हाथ पकड़ि ओकरा कहलथिन, “तलीथा कूम!” जकर अर्थ अछि, “हे बच्‍ची! हम तोरा कहैत छिऔक, तोँ उठ!” 42बच्‍ची तुरत उठि गेल और बुलऽ लागल—ओ तँ बारह वर्षक छल। ओ सभ बहुत आश्‍चर्य-चकित भेलाह। 43यीशु एहि घटना केँ केओ नहि बुझय ताहि लेल दृढ़तापूर्बक आदेश देलथिन, आ कहलथिन जे बच्‍ची केँ किछु खयबाक लेल देल जाय।

अहिले सेलेक्ट गरिएको:

मरकुस 5: mai

हाइलाइट

शेयर गर्नुहोस्

कपी गर्नुहोस्

None

तपाईंका हाइलाइटहरू तपाईंका सबै यन्त्रहरूमा सुरक्षित गर्न चाहनुहुन्छ? साइन अप वा साइन इन गर्नुहोस्