YouVersion लोगो
खोज आइकन

मत्ती 21

21
यरूशलेम मे यीशुक प्रवेश
(मरकुस 11:1-11; लूका 19:28-40; यूहन्‍ना 12:12-19)
1यीशु आ हुनकर शिष्‍य सभ जखन यरूशलेम नगरक लग मे जैतून पहाड़ पर बेतफगे गाम मे पहुँचलाह तखन यीशु दूटा शिष्‍य केँ ई कहि कऽ पठौलथिन जे, 2“सामने मे जे गाम अछि, ताहि मे जाउ। ओतऽ पहुँचिते एक गदही अपन बच्‍चाक संग बान्‍हल भेटत। ओकरा सभ केँ खोलि कऽ हमरा लग नेने आउ। 3जँ केओ अहाँ सभ केँ किछु कहय तँ कहबैक जे, ‘प्रभु केँ एकर आवश्‍यकता छनि।’ ई सुनैत देरी ओ अहाँ सभ केँ आनऽ देत।”
4ई एहि लेल भेल जे परमेश्‍वरक प्रवक्‍ताक कहल ई वचन पूरा होअय जे,
5“सियोन नगर#21:5 अर्थात्‌, यरूशलेम। अक्षरशः “सियोनक पुत्री” केँ कहक,
‘देखह, तोहर राजा तोरा लग आबि रहल छथुन,
ओ विनम्र छथि,
ओ गदहा पर, गदहीक बच्‍चा पर बैसल आबि रहल छथुन।’ ”#21:5 जक 9:9
6शिष्‍य सभ जा कऽ यीशुक कहल अनुसार कयलनि। 7ओ सभ गदही आ ओकर बच्‍चा केँ लऽ आनि ओकरा पीठ पर अपन कपड़ा सभ राखि देलनि। यीशु ओहि पर बैसि गेलाह। 8भीड़ मे सँ बहुतो लोक सभ सेहो अपन-अपन वस्‍त्र आ ओढ़नी सभ बाट पर ओछौलक। दोसर लोक सभ गाछ-वृक्षक ठाढ़ि-पात काटि-काटि कऽ ओछौलक। 9यीशुक आगाँ-पाछाँ चलऽ वला लोकक भीड़ एहि तरहेँ जयजयकार करऽ लागल जे,
“दाऊदक पुत्र#21:9 “दाऊदक पुत्र”क सम्‍बन्‍ध मे आरो जनबाक लेल शब्‍द परिचय वला भाग मे “दाऊद” शब्‍द केँ देखू। केँ जय!#21:9 “जय/जयजयकार”—मूल मे “होसन्‍ना!” (इब्रानी भाषा मे स्‍तुति वा विजय केँ व्‍यक्‍त करऽ वला शब्‍द)। तहिना, पद 15 मे सेहो।
धन्‍य छथि ओ जे प्रभुक नाम सँ अबैत छथि!#21:9 भजन 118:26
सर्वोच्‍च स्‍वर्ग मे प्रभुक जयजयकार!”
10जखन यीशु यरूशलेम मे प्रवेश कयलनि तँ सम्‍पूर्ण नगर मे हलचल सन होमऽ लागल। सभ पुछैत छल, “ई के छथि?” 11आगाँ-पाछाँ चलऽ वला भीड़क लोक सभ ओकरा सभ केँ कहलकैक, “ई गलील प्रदेशक नासरत-निवासी परमेश्‍वरक प्रवक्‍ता यीशु छथि।”
मन्‍दिर प्रार्थनाक घर वा चोर-डाकूक अड्डा?
(मरकुस 11:15-19; लूका 19:45-48; यूहन्‍ना 2:13-22)
12यीशु मन्‍दिरक आङन मे अयलाह आ बेचऽ वला और किनऽ वला सभ केँ ओतऽ सँ बाहर भगाबऽ लगलाह। ओ पाइ भजौनिहार सभक टेबुल आ परबा-पेउरकी बेचनिहार सभक पीढ़ी-बैसकी सभ केँ उनटा-पुनटा देलथिन। 13ओ ओकरा सभ केँ कहलथिन, “धर्मशास्‍त्र मे लिखल अछि जे, ‘हमर घर प्रार्थनाक घर कहाओत’#21:13 यशा 56:7 मुदा तोँ सभ एकरा ‘चोर-डाकूक अड्डा’#21:13 यर्मि 7:11 बना देने छह।”
14मन्‍दिर मे यीशु लग आन्‍हर आ नाङड़ व्‍यक्‍ति सभ अयलनि आ यीशु ओकरा सभ केँ स्‍वस्‍थ कऽ देलथिन। 15यीशुक चमत्‍कार वला काज सभ देखि आ मन्‍दिर मे बच्‍चा सभक द्वारा जे “दाऊदक पुत्र”क जयजयकार भऽ रहल छल, तकरा सुनि मुख्‍यपुरोहित आ धर्मशिक्षक सभ बहुत खिसिआ गेलाह। 16ओ सभ यीशु केँ कहलथिन, “की अहाँ नहि सुनैत छी जे ई सभ की कहि रहल अछि?” यीशु हुनका सभ केँ कहलथिन, “हँ, और की अहाँ सभ नहि पढ़ने छी जे,
‘हे प्रभु, अहाँ धिआ-पुता आ कोरा मेहक बच्‍चा सभक मुँह सँ
अपन स्‍तुति करबौलहुँ’#21:16 भजन 8:2 ?”
17एतेक कहि यीशु हुनका सभ केँ ओतहि छोड़ि नगर सँ बहरा गेलाह आ बेतनिया गाम मे जा कऽ राति भरि ओतऽ रहलाह।
अंजीरक गाछ सँ शिक्षा
(मरकुस 11:12-14, 20-24)
18भोर मे फेर नगर दिस अबैत समय मे यीशु केँ भूख लगलनि। 19रस्‍ताक कात मे एक अंजीरक गाछ देखि ओ गाछ लग गेलाह। मुदा ओहि पर पात छोड़ि आओर किछु नहि भेटलनि। यीशु ओहि गाछ केँ कहलथिन, “जो, आब कहियो तोरा पर फल नहि लटकतौ!” गाछ ओही क्षण सुखा गेल। 20ई देखि शिष्‍य सभ आश्‍चर्यित भऽ कहलथिन, “ई अंजीरक गाछ तुरत कोना सुखा गेल?” 21एहि पर यीशु उत्तर देलथिन, “हम अहाँ सभ केँ सत्‍य कहैत छी जे, जँ अहाँ सभ बिनु सन्‍देह कऽ विश्‍वास करब, तँ अहाँ सभ मात्र एतबे नहि करब जे एहि अंजीरक गाछक संग भेल, बल्‍कि जँ अहाँ सभ एहि पहाड़ केँ आज्ञा देबैक जे, ‘एतऽ सँ हट आ समुद्र मे जो,’ तँ सेहो भऽ जायत। 22अहाँ सभ जे किछु प्रार्थना मे विश्‍वासक संग माँगब, से अहाँ सभ केँ प्राप्‍त होयत।”
यीशुक अधिकार पर प्रश्‍न
(मरकुस 11:27-33; लूका 20:1-8)
23यीशु जखन मन्‍दिर मे जा कऽ उपदेश दऽ रहल छलाह तखन मुख्‍यपुरोहित आ समाजक बूढ़-प्रतिष्‍ठित सभ यीशु लग आबि कऽ कहलथिन, “अहाँ कोन अधिकार सँ ई सभ बात कऽ रहल छी? अहाँ केँ ई अधिकार के देलनि?” 24यीशु हुनका सभ केँ उत्तर देलथिन, “हमहूँ अहाँ सभ सँ एकटा बात पुछैत छी। जँ अहाँ सभ हमरा तकर जबाब देब तँ हमहूँ अहाँ सभ केँ कहब जे कोन अधिकार सँ हम ई सभ बात कऽ रहल छी। 25यूहन्‍ना केँ बपतिस्‍मा देबाक अधिकार कतऽ सँ भेटल छलनि? परमेश्‍वर सँ वा मनुष्‍य सँ?” ई सुनि ओ सभ अपना मे तर्क-वितर्क करऽ लगलाह जे, “जँ अपना सभ कहबैक जे ‘परमेश्‍वर सँ’, तँ ओ पुछत जे, तखन अहाँ सभ हुनकर बातक विश्‍वास किएक नहि कयलहुँ? 26मुदा जँ कहबैक जे, ‘मनुष्‍य सँ’ तँ अपना सभ केँ जनता सँ डर अछि, कारण सभ लोक यूहन्‍ना केँ परमेश्‍वरक प्रवक्‍ता मानैत अछि।” 27तेँ ओ सभ यीशु केँ उत्तर देलथिन जे, “हम सभ नहि जनैत छी।” एहि पर यीशु हुनका सभ केँ कहलथिन, “तखन हमहूँ अहाँ सभ केँ नहि कहब जे कोन अधिकार सँ हम ई काज कऽ रहल छी।
दूटा बेटाक दृष्‍टान्‍त
28“अच्‍छा, अहाँ सभक की विचार अछि? एक गोटे केँ दूटा बेटा छलनि। ओ जेठका केँ कहलथिन, ‘बौआ, आइ अंगूरक बाड़ी मे काज करऽ जाह।’ 29बेटा कहलकनि, ‘हम नहि जायब,’ मुदा बाद मे ओकरा पछतावा भेलैक आ ओ काज करबाक लेल गेल। 30तखन बाबू दोसरो बेटा लग जा कऽ यैह बात कहलथिन। ओ उत्तर देलकनि, ‘ठीक अछि, बाबूजी, हम जाइत छी।’ मुदा ओ नहि गेल। 31आब कहू, एकरा सभ मे सँ के अपन बाबूक इच्‍छानुरूप कयलक?” ओ सभ कहलथिन, “पहिल वला।” यीशु हुनका सभ केँ कहलथिन, “हम अहाँ सभ केँ सत्‍य कहैत छी, कर असूल कयनिहार आ वेश्‍या सभ परमेश्‍वरक राज्‍य मे अहाँ सभ सँ आगाँ प्रवेश कऽ रहल अछि। 32यूहन्‍ना धार्मिकताक बाट देखबैत अहाँ सभ लग अयलाह और अहाँ सभ हुनकर बातक विश्‍वास नहि कयलहुँ, मुदा कर असूल कयनिहार आ वेश्‍या सभ विश्‍वास कयलक। अहाँ सभ ई बात देखलाक बादो अपना पापक लेल पश्‍चात्ताप और हृदय-परिवर्तन कऽ कऽ हुनकर बातक विश्‍वास नहि कयलहुँ।
मालिक आ बटाइदार सभक दृष्‍टान्‍त
(मरकुस 12:1-12; लूका 20:9-19)
33“एक आओर दृष्‍टान्‍त सुनू। एक गृहस्‍थ लोक छलाह। ओ एक अंगूरक बगान लगौलनि आ चारू कात सँ ओकरा घेरि देलनि। अंगूरक रस जमा करबाक लेल ओ एक रसकुण्‍ड बनौलनि आ रखबारीक लेल मचान बनौलनि। तकरबाद किसान सभ केँ बटाइ पर दऽ कऽ परदेश चल गेलाह। 34फलक समय अयला पर ओ अपन हिस्‍सा लेबाक लेल नोकर सभ केँ बटाइदार सभ लग पठौलथिन। 35मुदा बटाइदार सभ हुनकर नोकर सभ केँ पकड़ि, एकटा केँ पिटलक, एकटाक हत्‍या कऽ देलक और एकटा केँ पथरबाहि कयलक। 36तखन मालिक पहिल बेर सँ बेसी, आरो नोकर सभ केँ पठौलथिन। मुदा बटाइदार सभ ओकरो सभक संग वैह व्‍यवहार कयलक। 37अन्‍त मे मालिक अपना बेटा केँ ओकरा सभ लग पठौलथिन, ई सोचि जे, ओ सभ हमरा बेटाक आदर करत।
38“मुदा बटाइदार सभ जखन मालिकक बेटा केँ देखलक तँ ओ सभ अपना मे कहऽ लागल जे, ‘ई अपन बापक उत्तराधिकारी अछि। चलू एकरा मारि कऽ समाप्‍त कऽ दी, और ई सम्‍पत्ति जे एकरा भेटऽ वला छैक ताहि पर अधिकार कऽ ली।’ 39एना सोचि ओ सभ हुनका पकड़ि लेलकनि आ बगान सँ बाहर लऽ जा कऽ जान सँ मारि देलकनि।
40“आब कहू, बगानक मालिक जहिया औताह तँ ओ एहि बटाइदार सभ केँ की करथिन?”
41ओ सभ उत्तर देलथिन, “ओ ओहि दुष्‍ट बटाइदार सभक सर्वनाश करताह आ अंगूरक बगान ओहन बटाइदार सभ केँ दऽ देथिन जे फलक समय अयला पर हुनकर हिस्‍सा देतनि।”
42यीशु हुनका सभ केँ कहलथिन, “की अहाँ सभ धर्मशास्‍त्र मे ई कहियो नहि पढ़ने छी?—
‘जाहि पाथर केँ राजमिस्‍तिरी सभ बेकार बुझि कऽ फेकि देलक,
वैह पाथर मकानक प्रमुख पाथर भऽ गेल।
ई काज प्रभु-परमेश्‍वर कयलनि,
और ई हमरा सभक नजरि मे अद्‌भुत बात अछि!’#21:42 भजन 118:22, 23
43एहि लेल हम अहाँ सभ केँ कहैत छी, परमेश्‍वरक राज्‍यक अधिकार अहाँ सभ सँ छिनि लेल जायत आ ताहि समूहक लोक सभक जिम्‍मा मे देल जयतैक जे एकर उचित फल लाओत। 44[जे केओ एहि पाथर पर खसत से चकना-चूर भऽ जायत, और जकरा पर ई पाथर खसतैक से थकुचा-थकुचा भऽ जायत।]”#21:44 किछु हस्‍तलेख सभ मे पद 44 मे लिखल बात नहि पाओल जाइत अछि।
45मुख्‍यपुरोहित आ फरिसी सभ हुनकर दृष्‍टान्‍त सभ सुनि कऽ बुझि गेलाह जे, ई हमरे सभक सम्‍बन्‍ध मे ई सभ बात कहि रहल अछि। 46ओ सभ यीशु केँ बन्‍दी कोना बनाओल जाय तकर उपाय सोचऽ लगलाह। मुदा हुनका सभ केँ डर होइत छलनि, कारण जनता यीशु केँ परमेश्‍वरक प्रवक्‍ता मानैत छलनि।

अहिले सेलेक्ट गरिएको:

मत्ती 21: mai

हाइलाइट

शेयर गर्नुहोस्

कपी गर्नुहोस्

None

तपाईंका हाइलाइटहरू तपाईंका सबै यन्त्रहरूमा सुरक्षित गर्न चाहनुहुन्छ? साइन अप वा साइन इन गर्नुहोस्