युहन्ना 4
4
येसु आ सामरी जनी
1येसु युहन्नासे बेसी चेलासब बनाइछै आ बप्तिस्मा दैछै से बात फरिसीसब सुन्नेछै कैहके येसु जानल्कै। 2(बास्तममे येसु आपनसे ककरो नै बप्तिस्मा देने रहै, बप्तिस्मा दैबला काम त ओकर चेलासब करैछेलै।) 3फरिसीसब एहेन बात सुन्नेछै से बात जाइनके येसु यहुदिया परदेस छोइरके फेनो गालिल परदेसमे चैलगेलै। 4ओकरा गालिल परदेस सामरिया परदेस बाटे हैत जाइले परैछेलै। 5येसु सामरिया परदेसके सुखार नामके गाममे पुग्लै। उ गाम याकुब आपन बेटा योसेफके देल्हा जमिनके लगेमे छेलै। #उतपती ३३:१९, यहोसु २४:३२ 6ओते याकुबके इनार छेलै। येसु चलैत-चलैत थाइकके ओहै इनारके कातमे बैठल छेलै। तै बखत दुपहर भेल छेलै।
7तहै बखत एकटा सामरी जनी पानी भरैले ओते पुग्लै। येसु ओकरा कहल्कै, “हमरा पानी पियैले दे।” 8(तै बखत उ असगरे छेलै, कथिलेत ओकर चेलासब खाइ-पियैबला चिजसब किनैले सहर गेल रहै।)
9तब सामरी जनी कहल्कै, “अहाँ यहुदी भ्याके कनङके हम सामरी जनिसे पानी पियैले माङैचियै?” (कथिलेत यहुदीसब सामरीसबसङे कोनो समबन्ध नै राखैतरहै।)#एजरा ४:१-५, नहेम्याह ४:१,२
10येसु ओकरा जबाब देल्कै, “परमेस्वर तोरा दैबला बरदानके आ तोहर सङे पानी माङैबला लोकके चिनतिही त, तु ओकरसे माङतिही आ उ तोरा जिबनके पानी देतियौ।”
11तब उ सामरी जनी कहल्कै, “मालिक, अहाँसङे त पानी भरैले डोलो नै छै, इनार बहौत गैहर छै। जिबनके पानी अहाँ कतसे आन्बै? 12यि इनार त हमरासबके पुरखा याकुब बन्यादेनेछै। ओकर बेटा-बेटीसब आ मालजाल अहै इनारके पानी पियैत रहै। कि अहाँ हमरासबके पुरखा याकुबोसे बरका चियै से?”
13येसु जबाब देल्कै, “यि पानी पियैबला सबकोइ फेनो पियासले रहतै। 14महज हमर देल पानी पियैबला फेनो कहियो नै पियासल रहतै, कथिलेत हमर देल पानी ओकर भितरसे निकलैबला पानीके मुल हेतै आ ओकरा अनन्त जिबन देतै।”
15तब सामरी जनी कहल्कै, “मालिक, से बात छै त हमरा ओह्या पानी दिय। तब हम फेनो कहियो नै पियासल रहबै आ अते पानीयो भरैले आबे नै परतै।”
16तब येसु कहल्कै, “जो आ तोहर घरबलाके बोल्याके अते आन।”
17उ सामरी जनी फेनो कहल्कै, “हमरा घरबला नै छै।” येसु ओकरा कहल्कै, “तोरा घरबला नै छौ, से तु ठिके कहैचिही। 18तोरा त पाँचटा घरबला भ्याचुकल छौ। महज जकरसङे तु अखुन रहैचिही, ओहो तोहर घरबला नै चियौ। तोहर कहल बात एकदम साँचोके चियौ।”
19सामरी जनी कहल्कै, “मालिक, अहाँ अगमबक्ता चियै से बात आब हम जाइनगेलियै। 20हमरासबके सामरी पुरखासब त यि पहाड़मे परमेस्वरके आराधना करैछेलै। महज अहाँ यहुदीसब कहैचियै कि आराधना करैबला ठाम यरुसलेम मातरे चियै।”
21येसु ओकरा जबाब देल्कै, “हे जनि, हमरा बिस्बास कर, उ समय आइबरहलछौ, जब तुसब नै त यि पहारमे नै त यरुसलेममे पिताके आराधना करबिही। 22तु सामरी लोकसब ओकर आराधना करैचिही जकरा जान्बो नै करैचिही। हमसब जाइनके परमेस्वरके आराधना करैचियै, कथिलेत लोकके उदार यहुदी खानदानसे आबैछै। 23महज समय आइबरहल छै आ समय एह्या चियै। साँचोके आराधना करैबलासब पबितर आत्माके अगुवाइमे आ सत बात अनुसार पिताके आराधना करतै। कथिलेत अहिनङे आराधना करैबलासबके आपन आराधना करैले ताकैछै। 24परमेस्वर आत्मा चियै। ओकरा आराधना करैबलासब पबितर आत्माके अगुवाइमे आ सत बात अनुसार पिताके आराधना करे परतै।”
25यि बात सुइनके सामरी जनी कहल्कै, “हम जानैचियै कि मसिह (जकरा ‘खिरिस्ट’ कहैछै) आबैबलाछै। उ आइबके सब बात हमरासबके बुझ्यादेतै।”
26येसु ओकरा कहल्कै, “हम, जे तोहर सङे बात कैररहल चियौ, हम ओह्या चियौ।”
27तहै बखत ओकर चेलासब घुइमके एलै आ उसब छक्क परलै जे येसु एकटा जनीसङे बात करैतरहै। महज “अहाँ कथी चाहैचियै?” या “अहाँ ओइ जनिसे कथिले बात करैचियै?” से बात कोइने कहल्कै।
28तहै बखत सामरी जनी आपन घैला ओतै छोइरके गाममे गेलै आ लोकसबके कहल्कै, 29“आबैजो, अते आइबके एकटा लोकके देख! हमर करल सबकाम उ हमरा कैहदेल्कै। कि ओह्या मुक्ती दैबला रजा खिरिस्ट त नै चियै?” 30यि बात सुइनके लोकसब सहरसे निकैलके येसुके देखैले एलै।
31ओह्या बखत चेलासब येसुके बिन्ती करैत कहल्कै, “गुरु जी, कुछ ख्या लिय।”
32महज येसु ओइसबके कहल्कै, “हमरसङे एहेन खाइबला चिज छै, जकर बारेमे तुसब नै जानैचिही।”
33तैल्याके चेलासब आपसमे बात करे लाग्लै, “हमसब बाहर ग्याल बखत कोइ अकर लेल कोनो खाइबला चिज आइनदेल्कै कि कनङ?”
34येसु ओइसबके कहल्कै, “हमर खाइबला चिज यि चियै, जे हम आपन पठाबैबलाके इक्छा बमोजिम करनाइ आ ओकर काम पुरा करनाइ चियै। 35तुसब कहैचिही, ‘बाली पाकैले औरो चार महिना लाग्तै’ महज हम तोरासबके कहैचियौ नजैर पसाइरके देख, बाली पाइक गेल्छै आ काटे जोकर भ्यागेलछै। 36अखनियो बाली काटैबलाके बैन भेटैछै आ अनन्त जिबनके खातिर अन जमा करैछै, तब छिटैबला आ काटैबला दुनु सङे-सङे खुसी मनाबैछै। 37अहिनङे ‘कोइ बिचहन छिटैछै त कोइ काटैछै’, से बात सत चियै। 38हम तोरासबके काटैले पठाइने चियौ, जे तुसब नै रोपनेचिही। औरो कोइ मेहतन करल्कै आ ओकरासबके करलहा मेहनतसे तोरासबके फैदा भेलछौ।”
39“अखुनतक हमर करलहा सबकाम उ हमरा कैहदेल्कै” कैहके जनिके द्याल गबाहिसे ओइ गामके सामरीसबमेसे बहौत गोरा येसुमे बिस्बास करल्कै। 40तब उसब येसुके भेटैले एलै आ हमरासबसङे बैठु कैहके बिन्ती करल्कै, तब येसु ओइसबसङे दुइ दिन ओतै रहलै। 41ओते ओकर बात सुइनके औरो बहौत गोरा ओकर उपर बिस्बास करल्कै। 42उसब ओइ जनिके कहल्कै, “अखुन तोरे बात सुइनके मातरे नै, महज हमरासब आपने ओकर उपदेस सुइनके बिस्बास करैचियै। बास्तममे ओह्या सन्सारके मुक्तीदाता चियै से हमसब जानैचियै।”
हाकिमके बेटा निक भेलै
43येसु ओते दुइ दिन ठहरलाके बाद गालिल परदेस दिसन गेलै। 44(येसु आपने गबाही देनेछेलै, कि अगमबक्ताके आपने देसमे मान-दान नै हैछै।)#मती १३:५७, मरकुस ६:४, लुका ४:२४ 45गालिलीसब यरुसलेम गेलछेलै, जब येसु गालिलमे गेलै तब गालिलीसब ओकरा स्वागत-सत्कार करल्कै, कथिलेत ओकर करलहा कामसब ओते निस्तार पाबैनमे देखनेछेलै। #युहन्ना २:२३
46येसु फेनो गालिलके काना सहरमे एलै। जते उ पानीके अङगुरके मध बनाइने छेलै। ओइठाम एक गोरा सरकारी हाकिम छेलै, जकर बेटा कफरनहुममे बिमार रहै। #युहन्ना २:१-११ 47येसु यहुदिया परदेससे गालिल परदेसमे पुइग गेल्छै, से सुइनके उ ओकरलग गेलै आ बिन्ती करैत कहल्कै, “आबु हमर बेटा मरे लागलछै, ओकरा निक कैरदियौ।” 48येसु ओकरा कहल्कै, “तुसब जाबे तलिक अजगुतके कामसब आ चेन्हासब नै देखबिही ताबे तलिक कहियो नै बिस्बास करबही।” 49उ हाकिम ओकरा कहल्कै, “मालिक, हमर बौवा मरैसे पहिने आइबदियौ।” 50तब येसु जबाब देल्कै, “जो, तोहर बेटा निक भ्याजेतौ।” उ लोक येसुके बातमे बिस्बास करल्कै आ घुइमके चैलगेलै।
51उ घर जाइतेखिना रस्तेमे ओकर नोकरसब भेटके कहल्कै, “अहाँके बेटा निक भ्यागेलै।” 52उ नोकरसबके पुछल्कै, “हमर बेटा कखनिसे निक भेलै?” उसब जबाब देल्कै, काइल दुपहर एक बजे ओकर जर-बोखार उतरलै। 53तब उ बुझ्लै जे ठिक ओहै बखत येसु ओकरा कहने छेलै जे, तोहर बेटा निक भ्याजेतौ से जानल्कै। तब उ आपनो आ ओकर सब परिबार येसुमे बिस्बास करल्कै।
54यहुदियासे गालिलमे आइबके येसुके करल यि दोसर अजगुतके चेन्हा छेलै।
Voafantina amin'izao fotoana izao:
युहन्ना 4: MTH
Asongadina
Hizara
Dika mitovy
Tianao hovoatahiry amin'ireo fitaovana ampiasainao rehetra ve ireo nasongadina? Hisoratra na Hiditra
© 2024 (Active), Wycliffe Bible Translators, Inc. All rights reserved.