परेरित किताबके परिचय
किताबके परिचय
यि परेरितके किताब लुकासे लिखलगेल छै। अइमे उ लिखल सुसमाचारके अनबरत रुपसे अगारी बरहाइछै। अकर मुल काज येसुके पहिन्का चेलासबके कनङके पबितर आत्मा अगुवाइ करल्कै आ उसब “यरुसलेममे आ सब यहुदिया आ सामरियाके इलाकासबमे आ सन्सारके सब ठामतक” येसुके सुसमाचार फैलेल्कै कैहके बतेनाइ चियै। यि खिरिस्टमे बिस्बास करैबलासबके अबस्थाके परचार यहुदीसबसे फैलके पुरे सन्सारके लेल आस्थाके केन्दर बनल एकटा घटना छै। अइमे लेखक परहैबलासबके बताबैले चाहैछै कि खिरिस्टियनसब रोमी राजके लेल बिगार करैले नै बरु खिरिस्टियन बिस्बास यहुदी धरमके बचेनाइ ओकर निरन्तरता दैके चियै।
परेरितसबके कामके तिन उदेससे बाटे सकैचियै। बहुत बरका इलाकासबमे येसुके सुसमाचार परचार भेल आ मन्डली अस्थापना भेलै।
१) येसु स्वरगमे गेलाके बाद यरुसलेममे सुरुभेल खिरिस्टियन हलचल।
२) प्यालेस्टाइनके औरो इलाकासबमे परचार फैलल।
३) भुमध्यसागरके अखा-पखाके देस सबमे आ रोम तक परचार भेलै।
परेरितमे सबसे मुख आ असल चिज, पबितर आत्माके कामसब, जे सक्ती सहित पेन्तिकोसके दिन यरुसलेममे बिस्बासीसब उपर एलै आ अनबरत रुपमे अगुवाइ करल्कै आ मन्डलीसबके बौकार करल्कै आ अगुवासब अइ किसिमके घटनासबके यि किताबमे उल्लेख करने छै। सुरुके खिरिस्टियन समाचारके घटनासब औरो धारमिक उपदेससबमे देल गेल छै। अइ किताबमे लिखलगेल घटनासबसे बिस्बासीसबके जिबन आ ओकरसबके सङगतिसबके उ समाचारके सक्ती केहन छेलै कैहके देखाबैछै।
छोट परिचय
गबाहीके लेल तैयारी १:१-२६
क) येसुके अन्तिम आग्या आ परतिग्या १:१-१४
ख) यहुदाके बदलामे चुनल लोक १:१५-२६
यरुसलेममे साक्छी २:१-८:३
यहुदिया आ सामरियामे साक्छी ८:४-१२:२५
पावलके परचार १३:१-२८:३१
क) पहिल्का परचारके यातरा १३:१-२८
ख) यरुसलेममे भेल सभा १५:१-३५
ग) दोसर बेर परचारके यातरा १५:३६-१८:२२
घ) तेसर बेर परचारके यातरा १८:२३-२१:१६
ङ) यरुसलेम, कैसरिया आ रोममे पाबल कैद भेलै २१:१७-२८:३१
Currently Selected:
परेरित किताबके परिचय: MTH
Tya elembo
Kabola
Copy

Olingi kobomba makomi na yo wapi otye elembo na baapareyi na yo nyonso? Kota to mpe Komisa nkombo
© 2024 (Active), Wycliffe Bible Translators, Inc. All rights reserved.