Logo ya YouVersion
Elilingi ya Boluki

परेरित 8

8
लोकसब स्‍तिफनसके पथलसे मारैतखिना साउलो सहमत रहै।
बिस्‍बासीके मन्‍डलीमे साउलके अतियाचार
1ओहै दिनसे यरुसलेमके मन्‍डलीके बिस्‍बासीसबके बिरोधमे बहौत बरका सताबट सुरु भेलै आ परेरितसबके छोइरके औरोसब बिस्‍बासीसब यहुदिया आ सामरियाके इलाकामे छिरिया गेलै। 2परमेस्‍वरके भक्‍तसब स्‍तिफनसके लहासके लज्‍याके गार देल्‍कै आ ओकरलेल बहौत सोक करल्‍कै।
3महज अने साउल घर-घरमे ढुइकके बिस्‍बासी मन्‍डलीके नास करैले कोसिस करैतरहै। उ मरद आ जनी सबके पकैरके घिस्‍याइते लज्‍याके जहलमे ढोइक दैछेलै।
सामरिया इलाकामे सुसमाचार परचार
4तब जे बिस्‍बासीसब छिरिया गेल रहै उसब घुइम-घुइमके सब इलाकामे चारुदिसन ज्‍याके परभुके बचन परचार करल्‍कै। 5फिलिप सामरियाके एकटा सहरमे ज्‍याके येसुवे खिरिस्‍ट चियै कैहके परचार करे लाग्‍लै। 6फिलिपके परचार करैबला बचनके बात सुइनके आ ओकर करल आस्‍चरजके कामसब देखके, भिरके सब लोकसब एक चित भ्‍याके ओकर बातमे धियान देबे लाग्‍लै। 7कथिलेत ओते बहौत लोकसब मेसे भुत-आत्‍मासब चिच्‍या-चिच्‍याके निक्‍ले लाग्‍लै आ बहौत लकबा मारल बिमारसब आ नेङरसब निक भेलै। 8अहिनङे ओइ सहरमे बहौत आनन्‍द भेलै।
9ओहै सहरमे सिमोन नामके एकटा लोक ओतै छेलै। उ बहौत दिनसे आपन जादु देख्‍याके सामरियाके लोकसबके आस्‍चरजमे राखने रहै आ उ आपनके पैध लोक कहैछेलै। 10ओइ लोकके छोटसे ल्‍याके बरकातक सबलोक ओकर बात मानैत रहै। उसब कहैत रहै, “यि लोक परमेस्‍वरके उ सक्‍ती चियै, जकरा महासक्‍ती कहैछै।” 11अहै बातसे लोकसब ओकरा मानैत रहै, कथिलेत बहौत दिन पहिनेसे उ आपन जादुगरिसे लोकसबके आस्‍चरज करने रहै। 12जब उसब फिलिपके सुन्‍याल सुसमाचारसे परमेस्‍वरके राज आ येसु खिरिस्‍टके नाममे बिस्‍बास करल्‍कै, तब मरद आ जनिसब बप्‍तिस्‍मा लेबे लाग्‍लै। 13सिमोन सेहो बिस्‍बास करल्‍कै आ बप्‍तिस्‍मा लेल्‍कै। तब उ फिलिप सङे रहेलाग्‍लै, फिलिपके करल चेन्‍हासब आ अचमके काम करैत देखके ओकरा आस्‍चरज लाग्‍लै।
14सामरियाके लोकसब परमेस्‍वरके बचन गरहन करैछै से बात सुइनके यरुसलेममे रहैबला परेरितसब पतरुस आ युहन्‍नाके ओते ओइसबलग पठाइल्‍कै। 15उ दुनुगोरा ओते पुइगके पबितर आत्‍मा पाबे कैहके ओइसबके खातिर परथना करल्‍कै। 16कथिलेत तखुन तक ओकरासबमेसे कोइ नै पबितर आत्‍मा पाबने रहै। उसब मातरे परभु येसुके नाममे बप्‍तिस्‍मा लेने रहै। 17तब उ दुनुगोरा आपन-आपन हाथ ओइसबके उपरमे राखल्‍कै आ उसब पबितर आत्‍मा पाबल्‍कै।
18परेरितसब हाथ राइखके पबितर आत्‍मा पाबैछै से देखके सिमोन ओइसबके पैसा देबेलाग्‍लै, 19आ कहल्‍कै, “यि सक्‍ती हमरो दिय जैसे हम्‍हु ककरो उपरमे हाथ राखबै त उ पबितर आत्‍मा पाबतै।” 20महज पतरुस कहल्‍कै, “सत्‍यानास हेबे तु आ तोहर पैसा-कौरी, कथिलेत परमेस्‍वरके बरदान रुपैया-पैसासे किने मिल्‍तै से बिचार करलिही। 21यि काममे नै तोहर कोनो अधिकारे छौ नै कोनो हिस्‍से, कथिलेत परमेस्‍वरके नजरमे तोहर मन भरस्‍ट भेल छौ। 22आब तु आपन भरस्‍ट मनके लेल पस्‍चाताप कर आ परभुसे परथना कर, भ्‍या सकैछौ त तोहर मनके एहेन बिचार देखके छमा कैरदेतौ। 23कथिलेकी हम देखैचियौ, तु रिसके बिखसे भरल चिही आ पापके बन्‍धनमे परलचिही।” 24तब सिमोन कहल्‍कै, “अहैसब हमर खातिर परथना कैरदिय कि अहाँसबके कहल जखा कोनो भि बात हमरा नै लागे।”
25पतरुस आ युहन्‍ना दुनुगोरा परभु येसुके बारेमे जानल आ सुनल बचनसब परचार करल्‍कै। तब सामरियाके बहौत गामसबमे सुसमाचार परचार करैत यरुसलेम दिसन घुइमके गेलै।
फिलिप आ इथियोपियाके सरकारी लोक
26परमेस्‍वरके एकटा स्‍वरगदुत फिलिपके कहल्‍कै, “तु अतेसे दछिन मुहे यरुसलेमसे गाजा दिसन जाइबला रस्‍तामे जो। यि उजार जगहके रस्‍ता चियै।” 27तब फिलिप उइठके गेलै आ उ इथियोपिया देसके एकटा नपुन्‍सकके भेटलै। जे इथियोपिया देसके महरानी कनदाकीके बडा हाकिम रहै जे पुरे सम्‍पतिके रेखदेख करै। उ आराधना करैले यरुसलेम गेल रहै। 28ओतेसे उ घुमै बखत आपन रथमे बैठके पबितर धरमसास्‍तरमे यसैया अगमबक्‍ताके लिखल किताब परहैतरहै।
29तहै बखत पबितर आत्‍मा फिलिपके कहल्‍कै, “अगा बैढके ओइ रथके सङे-सङे जो।” 30तब फिलिप दौरके ओइ रथ लग गेलै आ ओकरा यसैया अगमबक्‍ताके किताब परहैत सुइनके पुछल्‍कै, “अहाँ जे पैढ़रहलचियै से बुझैचियै?” 31तब उ बडा हाकिम जबाब देल्‍कै, “जाबेतक हमरा कोइ नै बुझाइतै ताबे तक हम कनङके बुझबै?” तब उ फिलिपके रथमे चहैरके हमरसङे बैठु कैहके बिन्‍ती करल्‍कै। 32उ पैढ़रहल धरमसास्‍तरके भाग यि छेलै,
“जनङ भेंरा काटैले लजाइछै,
या भेंरा उन कतरैबला लग चुप रहैछै,
तैहनङे उ आपन मुहसे कोनो बात नै निकाइलके चुपे बैठल रहलै।
33ओकर अपमान भेलै आ ओकरा सहि नियाइ नै भेटलै।
ओकर धियापुताके बरनन
के करतै?
कथिलेत ओकर जिबन सन्‍सारसे उइठगेलै।”
34तब उ नपुन्‍सक फिलिपके पुछल्‍कै, “किरपा कैरके हमरा कहु, अगमबक्‍ता यि ककर बारेमे कहनेछै, उ आपने बारेमे कि औरो कोनो दोसरके बारेमे?” 35तब फिलिप पबितर धरमसास्‍तरके एह्‍या पाठसे सुरु कैरके ओकरा येसुके सुसमाचार सुनाइल्‍कै।
36उसब रस्‍तामे जाइते-जाइते पानी भेल ठाममे पुग्‍लै। उ मुन्‍सी कहल्‍कै, “देखु, अते पानी छै, आब हमरा बप्‍तिस्‍मा लैले कोन चिज रोके सक्‍तै?” 37[फिलिप जबाब देल्‍कै, “यदी अहाँ पुरा मनसे बिस्‍बास करैचियै त बप्‍तिस्‍मा ल्‍यासकैचियै।” उ कहल्‍कै, “हम बिस्‍बास करैचियै जे येसु खिरिस्‍टे परमेस्‍वरके बेटा चियै।”] 38यि बात कैहके रथ रोकेल्‍कै। दुनुगोरा उतैरके पानीमे गेलै आ फिलिप ओकरा बप्‍तिस्‍मा देल्‍कै। 39महज जब उसब पानीसे बाहर निकललै तखुन्‍ते परभुके आत्‍मा फिलिपके दोसर जगह ल्‍यागेलै आ उ मुन्‍सी फिलिपके फेनो नै देखल्‍कै। उ खुसीसे गद-गद हैत आपन बाटमे बरहैत गेलै।
40ओने फिलिप आपने अस्‍दोद सहरमे पुगल थाह पाबल्‍कै। ओतेसे अगा उ कैसरिया नै पहुचै तक सब सहरसबमे सुसमाचार सुनाइत गेलै।

Currently Selected:

परेरित 8: MTH

Tya elembo

Kabola

Copy

None

Olingi kobomba makomi na yo wapi otye elembo na baapareyi na yo nyonso? Kota to mpe Komisa nkombo