परेरित 7
7
स्तिफनसके सन्देस
1तब परधान पुजारी स्तिफनके पुछल्कै, “कि यि सब बात साँचोके चियौ?”
2स्तिफनस जबाब दैत कहल्कै, “हे हमर बाबु आ भाइ-भैयारीसब, सुनु। महिमाके परमेस्वर अपनासबके पुरखा अबराहम हारानमे बास करैसे पैहने जखुन मेसोपोटामियामे रहै तखुन दरसन देने छेलै, 3आ ओकरा कहने छेलै, ‘जे देस हम तोरा देखेबै तु आपन देस आ कर-कुटुमसबके छोइरके ओतै जो।’ 4तब उ कल्दीसबके देससे निकैलके हारानमे आइबके रहलै आ ओकर बाबु मरलाके बाद परमेस्वर ओकरा हारानसे अहै देसमे पठाइल्कै, जते तुसब रैहरहल चिही। 5अते परमेस्वर ओकरा जथा-जमिन त दुरके बात, टाङ राखैले जमिन तक नै देल्कै। महज ओकरा धियापुता नै रहै तैयो उ धनसम्पैत ओकरा आ ओकर धियापुताके निजी समपैतके रुपमे दैले परतिग्या करने रहै। 6परमेस्वर अबराहमके कहल्कै, ‘तोहर धियापुताके दोसर देसमे ज्याके रहेपरतौ आ ओतेका लोकसब चार सय बरिसतक तोहर धियापुताके नोकर बनाके दुख-कस्ट दके राख्तौ।’ 7परमेस्वर फेनो कहल्कै, ‘तोरौरके जे देसके लोकके नोकर बैनके रहबिही तकर इन्साफ हम करबै। तकरबाद उसब ओइ देससे निकैलके एतै आ अहै ठाम हमर आराधना करतौ।’
8“तब परमेस्वर अबराहमसङे जे करार बन्हने रहै, तकर चेन्हा स्वरुप ओकरसे खतनाके नियम बानहल्कै। जब ओकर बेटा इसहाक जलमलै तब अबराहम आपन बेटाके आठम दिनमे ओकर खतना करल्कै। इसहाक आपन बेटा याकुब आ याकुब सेहो आपन आपन बारहो बेटासबके खतना करल्कै। ओहेसब अपनासबके बारहो कुलके पुरखा भेलै।
9“याकुबके बेटा योसेफके औरो भैयारीसब ओकरा डाह करै। उसब ओकरा मिसरदेस हैत जाइबला लोकके हाथमे बेचदेल्कै। महज परमेस्वर योसेफसङे रहै। 10परमेस्वर ओकरा सब दुख बिपतसे बचेल्कै। मिसरदेसके रजा फारोके अगा ओकरा परमेस्वर किरपा करल्कै आ असल बिचार देल्कै। यि देखके फारो खुसी भेलै आ ओकरा मिसरदेसके बडा-हाकिम आ राजदरबारके मुख लोक बनाइल्कै। तबसे ओकर हुकुम परदेसमे चलेलाग्लै।
11“जब पुरे मिसरदेस आ कनान देसमे बहौत बरका भारी रौदी भेलै तै बखत हमरासबके पुरखासबके खाइयोके लेल अन नै भेटै। 12तब याकुब मिसरदेसमे अन भेट रहल छै से बात सुइनके आपन बेटासबके पहिन्का बेर अन किने खातिर ओते पठाइल्कै। 13जब उसब फेनो दोसर बेर अन किनैले ओते गेलै आ योसेफ ओकर भाइ-भैयारीसबके आपन परिचय देल्कै। तब योसेफके परिबारके बारेमे फारोके थाह भेलै। 14तकरबाद योसेफ आपन बाबु याकुब आ ओकर सब परिबारके सदससबके मिसरमे बोलेल्कै। उसब जम्मा पचहतर गोरा छेलै। 15याकुब मिसरदेसमे गेलै, उ आ हमरासबके पुरखोसब ओतै मरलै। 16तकरबाद ओइसबके लहास आइनके सकेम नामके ठाममे लज्याके गारल्कै, जे अबराहम हमोरके धियापुतासबके पैसा द्याके किन्ने छेलै।
17“महज जब परमेस्वर अबराहमके करलहा करार पुरा हैबला समय लगचाइलै तब मिसरदेसमे अपनासबके लोकसब बरहे लाग्लै आ ओइसबके संख्या बहौत भेलै। 18ओहै समय मिसरदेसमे एकटा लबका रजा भेलै जे योसेफके बारेमे कुछो नै चिन्हैत रहै। 19फारो हमरासबके जातीके धोखा द्याके हमरासबके पुरखासबके आपन-आपन धियापुता बाहर निकालके राखैले बिबस करने रहै, जेकर कारन भरखर जलमल धियापुतासब मरैछेलै।
20“अहै समयमे मोसाके जलम भेलै। उ परमेस्वरके नजरमे बिसेस किसिमके बच्चा रहै। तिन महिना तक ओकर पालन-पोसन आपने बाबुके घरमे भेलै। 21महज ओकरा घोसाइरके राखे नै सक्लाके कारन घरसे बाहर राइख देल्कै त फारो रजाके बेटी ओकरा उठाके ल्यागेलै आ आपन बेटा माइनके पालन-पोसन करल्कै। 22अहिनङे मिसरीके सब परकारके सिक्छा मोसाके दैतरहै आ मोसा बचन आ काम दुनुमे सक्तिसाली हैतगेलै।
23“मोसा जब चालिस बरिसके भेलै, तब ओकर आपन इजराएली भाइ-भैयारीसबके भेटैले मन भेलै। 24एक दिन एक गोरे इजराएलीके मिसरी पिटैत देखल्कै, उ ओकर पक्छ लेल्कै आ उ मिसरीके माइर देल्कै। 25परमेस्वर हमरे हाथसे ओइसबके मुक्त कराइतै से बात हमर भाइ-भैयारीसब बुझे कैहके मोसा बिचार करने रहै। महज से बात उसब नै बुझल्कै।
26“बिहान के जब दुइटा इजराएली आपनेमे झगरा करैतरहै तहै बखत मोसा एलै आ ओइसबके मेलमिलाप कराइले कोसिस करैत कहल्कै, ‘देख, तुसब त भाइ-भैयारी चिही, तब कथिले आपनमे मारपिट करैचिही?’ 27अहै बातमे जे दोसी रहै से मोसाके धकिया देल्कै आ कहल्कै ‘तोरा हमरासबके हाकिम आ नियाय करैबला के बनेल्कौ? 28कि जैहनङ काइलखिना मिसरीके मारलिही तैहनङ तु हमरो मारैले चाहैचिही?’ 29यि बात सुइनके मोसा मिसरदेससे भागके मिधान देसमे परदेसी भ्याके रहेलाग्लै आ ओतै ओकर दुइटा बेटाके जलम भेलै।
30“चालिस बरिसके बाद सिनै पहाड़के नजदिक उजार जगहमे जरैत झारके धिधरामे एकटा स्वरगदुत मोसाके देखाब देल्कै। 31यि देखके मोसाके आस्चरज लाग्लै, जब देखैले नजदिक गेलै तब परमपरभुके एहेन अबाज सुनल्कै, 32‘हम तोहर पुरखासबके परमेस्वर- अबराहम, इसहाक आ याकुबके परमेस्वर चियौ।’ तब मोसा डरसे थरथर कापे लाग्लै आ ओकरा ओने ताकैके साहस नै भेलै। 33तब परमपरभु मोसाके कहल्कै, ‘तोहर टाङके जुता खोल, कथिलेत जते तु ठार भेलचिही, उ पबितर जगह चियै। 34हम देखलियै मिसरमे हमर लोकके कनङ सताइछै आ उसब दुखमे कनङ कुहरैत सेहो सुनलियै। हम तोरेसबके बचाइले एलचियौ। आब हम तोरा मिसरदेसमे पठेबौ।’
35“यि ओह्या मोसा चियै, जकरा उसब ‘के तोरा हाकिम आ नियाय करैबला बनेल्कौ’ कैहके असुइकार करने रहै, ओकरा परमेस्वर ओहै झारमे स्वरगदुत सङे हाकिम आ छुटकारा दैबला बनाके पठाइल्कै। 36ओह्या लोक मिसरदेसमे, लाल समुन्दरमे आ चालिस बरिसतक उजार जगहमे चमत्कारी काम आ चेन्हासब देख्याके ओइसबके मिसरदेससे बाहर निकालके आनल्कै। 37यि ओह्या मोसा चियै, जे इजराएलीसबके कहने रहै, ‘परमेस्वर हमरा तोरे सबके खातिर हमर जखा अगमबक्ता पठाइतौ।’ 38मोसा उजार जगहमे अपनासबके पुरखासबसङे छेलै। ओते स्वरगदुत ओकरजरे सिनै परबतमे बोलल छेलै आ स्वरगदुतसे पाबल जिबित बचनसब इजराएलीसबके सुनेल्कै।
39“महज अपनासबके पुरखासब मोसाके बात मानैले इन्कार करल्कै, बरु उसब ओकरा छोइरके मिसरदेसमे घुइमके जाइले मन करल्कै। 40उसब मोसाके भैया हारुनके कहल्कै, ‘अहाँ हमरासबके खातिर कोनो देबता बना दिय, जे हमरासबके रस्ता देखाबे, कथिलेत यि मोसा हमरासबके मिसरदेससे निकालके आनल्कै, ओकरा कथी भेलै से हमसब नै जानैचियै।’ 41ओहै समयमे एक दिन एकटा बछाके मुरती बनाके, ओकरा बैल भोग करल्कै। आपने हाथसे बन्याल मुरुतके लेल खुसी मनाइल्कै। 42महज अहै कारन परमेस्वर ओइसबके छोइरदेल्कै,
‘ओइसबके अकासके सुरुज, चान आ तरासबके पुजा करैले छोइरदेल्कै।
अहै बिसयमे परमेस्वरके अगमबक्तासबके किताबमे लिखल छै,
हे इजराएलके लोकसब, कि तुसब चालिस बरिसतक उजार जगहमे हमरा बैलभोग आ चरहौवासब देल्ही?
43तुसब मोलेख देवताके पाल
आ रेफन देवताके तरासब
जकरा तुसब पुजा करैले बनाइने छेल्ही, उ मुरुतसबके सङे उठाके ल्यागेल्ही।
आब हम तोरौरके बेबिलोनसे दुरके देसमे पठादेबौ।’
44“उजार जगहमे अपनासबके पुरखासबसङे गबाहीके पबितर पाल छेलै। यि पबितर पाल परमेस्वरके आदेस अनुसार बनल रहै जै के नमुना मोसाके देखेने छेलै। 45अपनासबके पुरखासब यि देसमे रहैबला दोसर जातीके लोकसबके खिहारके देसके आपन अधिकारमे लेल्कै। ओहै बखत यहोसु उ पाल आपनसङे आनल्कै। उ पाल दाउदके समय तक अहै देसमे रहलै। 46परमेस्वर रजा दाउदसे खुसी छेलै। उ परमेस्वरसे परथना करल्कै, ‘हे हमर पुरखा याकुबके परमेस्वर, अहाँके रहैबला घर बनाइके अनुमति हमरा दिय।’ 47महज ओह्या परमेस्वरके घर ओकर बेटा सोलोमन बनाइल्कै। 48महज महान परमेस्वर त लोकसबके हाथसे बन्याल घरसबमे बास नै करैछै। अगमबक्ताके किताबमे अहिनङ कहनेछै-
49‘स्वरग हमर सिंहासन चियै
आ पिरथिबी हमर टाङके खराम।
परमपरभु कहैछै, तु हमर खातिर केहन घर बनाइबिही?
हमर अराम करैबला ठाम कोन चियौ?
50कि यि हमरे हाथसे बन्याल सबचिज नै चियै से?’
51“हे अटेरी लोकसब, कठोर हिरदय आ बैहरसब, तुसब हरदम पबितर आत्माके बिरोध करैत रहैचिही। तोहर पुरखासब जैहनङ करल्कौ तैहनङ तुहुसब करैचिही। 52कि अगमबक्तासब मेसे ककरा नै तोरौरके पिता-पुरखासब सतेल्कौ? परमेस्वरके पबितर धारमिक सेबकके आबैसे पैहने भबिसबानी करैबलासबके खुन कैर देल्कौ आ तुसब ओहै धरमी सेबकसबके पकराके ओकरा खुन कैर देल्ही। 53तोरौरके ओह्या लोकसब चिही जे स्वरगदुतसब दुवारा परमेस्वरके बेबस्था त पाबलिही महज ओकर पालन नै करलिही।”
स्तिफनसके मिरतु
54स्तिफनसके बात सुइनके महासभामे बैठल लोकसब तामससे ओकरमे दाँत किरकिराबे लाग्लै। 55महज उ पबितर आत्मासे भरपुर भ्याके एकटक लग्याके स्वरग दिसन ताकल्कै, ओते उ परमेस्वरके इजोत चम्कैत आ परमेस्वरके देहनाकता येसुके ठारभेल देखल्कै। 56तब उ कहल्कै, “देख, हम स्वरग उघरल आ परमेस्वरके देहनाकात मानब पुतर येसुके ठारभेल देखैचियै।” 57महज यि बात सुइनके उसब आपन-आपन कान मुइनके जोर-जोरसे हल्ला करैत ओकर दिसन मारैले दौरलै। 58उसब स्तिफनसके पकैरके सहरसे बाहर निकाइलके ल्यागेलै आ ओकरा पथल फेकके मारे लाग्लै। साक्छीसब आपन-आपन बस्तर साउल नामके एकटा छौराके टाङ लग राखने रहै। 59जैहनङ उसब स्तिफनस उपर पथल मारैत खिना एहेन कहैत परथना करैतरहै, “हे परभु येसु, हमर आत्माके सुइकारु।” 60उ ठेङहुनिया द्याके जोरसे कहल्कै, “हे परभु, यि पापके दोस अकरौरके नै लागे।” अतहेक कहलाके बाद ओकर परान छुइटगेलै।
Currently Selected:
परेरित 7: MTH
Tya elembo
Kabola
Copy

Olingi kobomba makomi na yo wapi otye elembo na baapareyi na yo nyonso? Kota to mpe Komisa nkombo
© 2024 (Active), Wycliffe Bible Translators, Inc. All rights reserved.