मती 5
5
आसिस आ सराप
(लुका ६:२०-२३)
1लोकसबके बहौत बरका भिर देखके येसु पहार उपरमे गेलै आ ओते बैठलै, तकरबाद चेलासब ओकरलग एलै। 2तब येसु ओइसबके सिक्छा देबे लाग्लै:
3 धैनके # ५:३ धैन- अकर मतलब परमेस्वरसे आसिस पाबलाहा लोक हैछै चियै आपनके आत्मिक रुपमे कमजोर बुझैबलासब,
कथिलेत स्वरगके राज ओहिनेसबके चियै।
4 धैनके चियै सोक करैबलासब,
कथिलेत ओइसबके सान्ती मिल्तै। #
यसैया ६१:२
5 धैनके चियै नरम स्वभाब भेल्हालसब,
कथिलेत उसब पिरथिबीमे अधिकार करतै। #
भजनसङगरह ३७:११
6 धैनके चियै धारमिकताके खातिर भुखल-पियासलसब,
कथिलेत उसब अघाइतै। #यसैया ५५:१,२
7 धैनके चियै दया करैबलासब,
कथिलेत उसब दया पाबतै।
8 धैनके चियै सुध हिरदयबलासब,
कथिलेत उसब परमेस्वरके देखतै। #
भजनसङगरह २४:३,४
9 धैनके चियै मेल-मिलाप कराइबलासब,
कथिलेत उसब परमेस्वरके बेटा-बेटी कहाइतै।
10 धैनके चियै धारमिकताके खातिर सताबट भोगैबलासब,
कथिलेत स्वरगके राज ओहिनेसबके चियै। #
१ पतरुस ३:१४
11 “धैनके चिही तुसब, जब लोकसब हमर खातिर तोरासबके अपमान करतौ, सताइतौ आ झुठ बाइज-बाइजके तोरासबके बिरोधमे सब तरहके अधलाह बात कहतौ। #
१ पतरुस ४:१४ 12तब खुसी आ आनन्द मना, कथिलेत तोरासबके खातिर स्वरगमे बरका इनाम राखल छौ। अहिनङे तोरासबसे पहिनेके अगमबक्तासबके उसब सताइने रहै।#२ इतिहास ३६:१६, परेरित ७:५२
नोन आ इजोत
(मरकुस ९:५०, लुका १४:३४-३५, ११:३३)
13 “तुसब पिरथिबीके नोन चिही, महज नोनके सबाद उइरजेतै त फेनो कोन चिजसे नोनगर हेतै? उ त काम नै लागैबला भ्याके फेकलजेतौ आ लोकसब ओकरा आपन टाङसे धाङै बाहेक औरो कोनो कामके नै हेतौ। #
मरकुस ९:५०, लुका १४:३४-३५
14 “तुसब सन्सारके इजोत चिही। पहारमे रहल सहर घोसरैले नै सकैछै। #
युहन्ना ८:१२, ९:५ 15लोकसब डिबिया नेसके ढकियासे नै झापैछै, महज डैठमे राखैछै आ उ डिबिया घरमे रहैबला सबके खातिर इजोत दैछै।#मरकुस ४:२१, लुका ८:१६, ११:३३ 16अहिनङ तोरोसबके इजोत लोकसबके बिचमे चम्के, जहिनङ लोकसब तोरासबके असल काम देखके, स्वरगमे रहैबला पिताके परसन्सा करे।”#१ पतरुस २:१२
बेबस्था पालन करैके बारेमे सिक्छा
(लुका १६:१७)
17 “मोसाके देल्हा बेबस्था आ अगमबक्तासबके बात रद करैले हम एलचियौ से नै समझ। हम उ रद करैले नै महज पुरा करैले एलचियौ। 18कथिलेत साँचे हम तोरासबके कहैचियौ, जबतक स्वरग आ पिरथिबी खतम नै हेतै तबतक बेबस्थामे लिखल बात बिना पुरा भेने छोटसे छोट बुन्का ओकर एकोटा आछर तक नै बुताइतौ।#लुका १६:१७ 19अहै कारन आग्यासबमेसे सबसे छोट आग्याके नै मान्तै आ लोकसबके ओहिनङ करैले सिखाइतै, से स्वरगके राजमे सबसे छोट कहाइतै। महज जे उ आग्यासब पालन करतै आ सिखाइतै, स्वरगके राजमे उ बरका कहाइतै। 20कथिलेत हम तोरासबके कहैचियौ, तोरासबके धारमिक्ता धरमगुरुसब आ फरिसीसबसे बेसी नै हेतौ त तुसब कोनो भि हालतमे स्वरगके राजमे नै ढुकबिही।
करोध आ हतियाके बारेमे सिक्छा
21 “पहिन्का समयके लोकसबके एहेन कहैत तुसब सुन्ने चिही, ‘हतिया नै कर आ जे हतिया करैछै उ सजायके भागिदार हेतै।’ #
परस्थान २०:१३, बेबस्था ५:१७ 22महज हम तोरासबके कहैचियौ, जे कोइ आपन भाइसे करोध करैछै, उ सजायके भागिदार हेतै, जे कोइ आपन भाइके अपमान करैछै, ओकरा धारमिक महासभामे जबाब देबे परतै। महज जे कोइ आपन भाइके सराप दैछै, उ नरकके आइगमे खसै जोकरके हेतै।
23 “तै खातिर यदी बेदीमे तोहे आपन भेटी चरहाइत खिना भाइ-बहिनके बिरोधमे तोहर हिरदयमे कुछो छौ से याद भेलौ त, 24तोहर भेटी पैहने बेदीके कातमे राख आ जो। आपन भाइ-बहिनसे मेल कर आ तकरबाद आइबके भेटी चरहा।
25 “तोहर बिरोधी अदालत लजाइछौ त रस्तेमे मेल कैरले, नै त बिरोधी तोरा नियायधिसके जिमा लगेतौ आ नियायधिस सिपाहीके आ सिपाही तोरा जहलमे ढोइकदेतौ। 26साँचे हम तोरासबके कहैचियौ। जबतक तु एक-एक पैसा चुक्ता नै करबिही तबतक अतेसे जाइले नै पाबबिही।
बेबिचारके बारेमे सिक्छा
27 “तुसब एहेन कहने सुन्ने चिही, ‘बेबिचार नै कर।’ #
परस्थान २०:१४, बेबस्था ५:१८ 28महज हम तोरासबके कहैचियौ, जे कोइ कोनो जनीके गलत नजरसे देखैछै, त उ पैहनैये आपन मनमे ओकरसे बेबिचार कैरलेने रहैछै। 29यदी तोहर देहना आँख पाप करैले लगाइछौ त ओकरा निकाइलके फेक दहै, कथिलेत तोहर सौसे देह नरकमे जाइसे बरु तोहर देहसे एकटा हटेनाइ असल हेतौ।#मती १८:९, मरकुस ९:४७ 30यदी देहना हाथ तोरा पाप करैले लगाइछौ त ओकरा काइटके फेक दहै। कथिलेत तोहर सौसे देह नरकमे जाइसे बरु तोहर देहसे एकटा हटेनाइ असल हेतौ।#मती १८:८, मरकुस ९:४३
छोरपतरके बारेमे सिक्छा
(१९:९, मरकुस १०:११-१२, लुका १६:१८)
31 “एहेन कहलगेल छै, ‘जे आपन घरबालीके छोरैछै त, उ ओकरा छोरपतर लिखके देबे।’ #
बेबस्था २४:१-४, मती १९:७, मरकुस १०:४ 32महज हम तोरासबके कहैचियौ, जे आपन घरबालीके बेबिचारके अलाबा छोरैछै, उ ओकरा बेबिचारिनी बनाइछै आ जे कोइ छोरल जनिसे बियाह करैछै, उ बेबिचार करैछै।#मती १९:९, मरकुस १०:११-१२, लुका १६:१८, १ कोरन्थी ७:१०-११
किरिया आ सत्यताके बारेमे सिक्छा
33 “तुसब एहो सुन्नेचिही कि, परा-पुरुबकालके लोकसब कहने छेलै, ‘तु झुठ किरिया नै खो, महज परमपरभुके खातिर ख्याल किरिया पुरा कर।’ #
लेबी १९:१२, गन्ती ३०:२, बेबस्था २३:२१ 34महज हम तोरासबके कहैचियौ, किरिया खेबे नै कर। स्वरगके नाममे किरिया नै खो, कथिलेत उ परमेस्वरके सिंहासन चियै,#याकुब ५:१२, यसैया ६६:१, मती २३:२२ 35नै त पिरथिबीके नाम ल्याके, कथिलेत उ ओकर टाङ राखैबला पिरहिया चियै, नै त यरुसलेमके नामे ल्याके, कथिलेत उ महान रजाके सहर चियै।#यसैया ६६:१, भजनसङगरह ४८:२ 36आपन मुरीके किरिया नै खो, कथिलेत तु आपन एकोटा केसके नै उजर नै कारी बनाबे सकबिही। 37तोरासबके कहल बचन ‘हँ’ त ‘हँ’ ‘नै’ त ‘नै’ मातरे कह। अकरसे बेसी बाजैचिही त उ सैतानसे आबैछै।
बदलाके बारेमे सिक्छा
(लुका ६:२९-३०)
38 “तुसब सुन्ने चिही, एहेन कहलगेल छेलै, ‘आँखके बदला आँख आ दाँतके बदला दाँत।’ #
परस्थान २१:२४, लेबी २४:२०, बेबस्था १९:२१ 39महज हम तोरासबके कहैचियौ, दुस्ट लोकके कुछो नै कर। कोइ तोहर देहना गालमे थपराइतौ त, ओकर सामने दोसरो गाल थैप दहै। 40यदी कोनो लोक मुदा-मुकदमा कैरके तोहर कुरता लैले दाबी करैछौ त, ओकरा तु आपन ओरहैयो बला द्यादहै। 41यदी कोइ तोरा एक कोस जबरजस्ती जाइले कहैछौ त, ओकरसङे दुइ कोस चैलके जो।#५:४१ ओइ दिनसबमे रोमी सिपाही आ सरकारमे भेल्हा लोकसब जबरजस्ती ककरो कोनो भि समानसब बोकाइले लगाइछेलै। 42कोइ तोहरसे कुछो माङेछौ त ओकरा दहै, तोहर सङे कोइ पैचा माङैछौ त ओकरा दैले इन्कार नै कर।
दुस्मन सङे परेम
(लुका ६:२७-२८,३२-३६)
43 “तुसब सुन्ने चिही जे अनङ कहलगेल छेलै, ‘आपन परोसियाके परेम कर आ आपन दुस्मनके घिरना कर।’ 44महज हम तोरासबके कहैचियौ, आपन दुस्मनोसबसे परेम कर आ तोरासबके सताबैबलासबके खातिर परथना कर, 45तब तुसब स्वरगमे रहैबला पिताके धियापुता हेब्ही। उ दुस्ट आ सज्जन दुनुके सुरुजके इजोत दैछै, तैहनङे धरमी आ पापी दुनु उपर पानी बरसाइछै। 46यदी तोरासबके परेम करैबलाके मातरे परेम करैचिही त तोरा परमेस्वरसे कोन इनाम भेटतौ? कि करो उठाइबलासब ओइहनङे नै करैछै से? 47आ तुसब आपन भाइ-बहिनसबके मातरे गोरलगी करैचिही त औरोसबसे बेसी कथी करलिही? कि गैर-यहुदीके लोकसब अहिनङ नै करैछै? 48जनङ स्वरगमे रहैबला तोरासबके पिता सिध छौ, तोरोसबके ओहिनङे सिध हेबे परतौ।”#लेबी १९:२, बेबस्था १८:१३
اکنون انتخاب شده:
मती 5: MTH
هایلایت
به اشتراک گذاشتن
کپی
می خواهید نکات برجسته خود را در همه دستگاه های خود ذخیره کنید؟ برای ورودثبت نام کنید یا اگر ثبت نام کرده اید وارد شوید
© 2024 (Active), Wycliffe Bible Translators, Inc. All rights reserved.