यूहन्ना 10

10
येशू बढियाँ चरवाहा
1येशू आरहौ कहैल्कै, “हमे तोरासिके सच कहैछियौ, जे आदमी भेंडशालाके फाटक द्याके नै, मगर दोसर द्याके भितर ढुकैछै, ओरंको आदमी चोर आर डकेत छै। 2मगर भेंडाके चरवाहा केबाड द्याके भितर ढुकैछै। 3ओकर लिए पहरा दिएवाला दरवान केबाड खोली दैछै आर ओकर आवाजके भेंडासब चिन्हैछै। ऊ आपन भेंडासिके नाम ल्या-ल्याके बोलाबैछै आर ओकरासिके बाहार ल्याजैछै। 4ऊ आपन सभे भेंडासिके बाहार निकाली लेलके बाद ऊ ओकरसिके आगु-आगु जैछै, आर भेंडासब ओकर पाछु-पाछु जैछै, कहिनेकी भेंडासब ओकर आवाज चिन्हैछै। 5भेंडासब कोनो अन्ठिया आदमीके पाछु कहियो नैजैतै, मगर ओकर लगतसे भागी जैतै। कहिनेकी अन्ठिया आदमीके आवाज ऊसब नैचिन्हैछै।” 6येशू ओकरासिके यी उदाहरण देल्कै, मगर ओकर कहैके मतलब ऊसब नैबुझल्कै।
7सेल्याके येशू फेर ओकरासिके कहैल्कै, “हमे तोरासिके सच कहैछियौ, हमे भेंडासिके केबाड जुगुर छियै। 8दोसर आदमीसब जे हमरासे पहेला ऐलै, ऊसब चोर आर डकेत रहै, मगर हमर भेंडासब ओकरसिके बात नैसुनल्कै। 9हमे भितर ढुकेवाला फाटक जुगुर छियै। हमर द्याके भितर आबेवालाके परमेश्वर उद्धार कर्तै। ऊ सुरक्षित भितर-बाहार आनाजाना कर्तै, आर खैके लिए भोजन पैतै। 10चोर ते खाली भेंडासिके चोराबैके लिए, जान मारैके लिए आर नाश करैके मकसदसे ही आबैछै। मगर हमे इहे ल्याके ऐलियै कि ऊसब वास्तवमे जिन्दा रहै। 11हमे बढियाँ चरवाहा छियै। बढियाँ चरवाहा आपन भेंडाके लिए आपन मर्जीसे आपन जान तक द्या दैछै। 12मजदूरी पर राख्ल नोकर जब खटिहाके ऐते देख्तै ते ऊ भागी जैतै। ऊ भेंडासिके छोडी देतै कहिनेकी ऊ ओकर चरवाहा नैछै आर भेंडासब ओकर नैछै। सेल्याके खटिहा झुण्ड पर हमला करैछै आर झुण्डके तहस-नहस करि दैछै। 13ऊ आदमी भेंडासिके छोडिके इहे ल्याके भागी जैछै, कहिनेकी ऊ ते खाली मजदूरी पर काम करेवाला नोकर छै, ओकरा भेंडासिके कोनो चिन्ता-फिकिर नैरहैछै। 14-15हमे बढियाँ चरवाहा छियै, जेरंके परमेश्वर पिता हमरा चिन्हैछै आर हमे परमेश्वर पिताके चिन्हैछियै, ओहिने करिके हमे आपन भेंडासिके चिन्हैछियै आर हमर आपन भेंडासब हमरा चिन्हैछै। आर हमे ओकरसिके लिए मरैके लिए तैय्यार छियै। 16हमर आरहौ भेंडासब छै, जे यी भेंडशालाके नैछै। ओक्रहौसिके हमरा आने पड्तै आर उहोसब हमर आवाज सुन्तै तब हमर सभेटा भेंडासब एक्केटा झुण्ड हैतै आर चरवाहा भी एक्केटा हैतै। 17परमेश्वर पिता हमरा प्रेम करैछै, कहिनेकी हमे आपन इच्छासे आपन जान दैछियै ताकी हमे फेरसे जिन्दा रहियै। 18कोय भी हमर जान हमरासे नै लिए सकैछै, मगर हमे आपन इच्छासे आपन जान दैछियै। हमर आपन जान दियैके अधिकार हमरलगत छै, आर फेर वापस लियैके अधिकार भी हमरलगत छै। कहिनेकी यी उहे आज्ञा छै जे हमरा हमर परमेश्वर पितासे मिल्लै छे।” 19यीसब बातके कारण यहूदी आदमीसिके अगुवासिके बीचमे फेर मतभेद भेलै। 20ओकरसिमेसे बहुते आदमी कहते रहै, “एकरा भूत लाग्ल छै, आर यी पागल छै। तुहेंसब एकर बात कथिले सुनैछ?” 21मगर दोसर आदमीसब कहैल्कै, “भूत लाग्ल आदमी एरं बात नैकरैछै। एकटा भूत कहियो भी एकटा अनराह आदमीके दृष्टि नै दिए सकैछै।”
येशूके परमेश्वरके बेटा हुऐके दावा
22यी ठण्डाके मौसम रहै, आर येशू ऊ समयमे यरूशलेम सहरमे रहै। “परमेश्वरके मन्दिर अर्पण” नामके पावन ऐल रहै। 23येशू परमेश्वरके मन्दिरमे सुलेमान राजाके ओसरा, जे परमेश्वरके मन्दिरके ऐगनके भितर रहै ओकरापर टहल्ते रहै। 24यहूदी आदमीसिके अगुवासब ओकरा चारो तरफसे घेरी लेल्कै आर पुछल्कै, “तुहें हमरासिके लम्बा समयतक दोधारमे राख्लह छे। आब हमरासिके साफसे बत्या द्या। कि तुहें ख्रीष्ट छह?” 25येशू ओकरासिके जबाब देल्कै, “हमे तोरासिके कहिदेलियौ छे, मगर तुहेंसब हमरापर विश्वास नैकरैछैं। हमर पिताके अधिकारसे जे काम हमे करैछियै, उहे कामसब ही बताबैछै कि हमे के छियै। 26मगर तुहेंसब हमर बात पर विश्वास नैकरैछैं, कहिनेकी तुहेंसब हमर भेंडासिमेसे नैछैं। 27जेरंके भेंडासब आपन असली चरवाहाके आवाजके ध्यान दैछै, ओहिने करिके हमर आदमीसब हमर कहेल बातमे ध्यान दैछै। हमे ओकरासिके जानैछियै आर ऊसब हमर चेला बनी गेलै छे। 28ओकरासिके हमे कहियो खतम नैहुएवाला जीवन दैछियै, आर ऊसब कहियो नाश नैहैतै, आर कोय ओकरासिके हमर लगतसे हमला करिके छिनिके नैलजाबे सक्तै। 29ओकरासिके हमर जिम्मामे दिएवाला हमर परमेश्वर पिता सभैसे शक्तिशाली छै। आर परमेश्वर पिताके लगतसे कोय ओकरासिके छिनिके लजाबे नैसक्तै। 30परमेश्वर पिता आर हमे एक छियै।” 31एकबेर फेर यहूदी आदमीसिके अगुवासब येशूके जान मारैले पत्थल उठैल्कै। 32यी देखिके येशू ओकरासिके कहैल्कै, “हमे तोरासिके हमर परमेश्वर पिताके तरफसे बहुते बढियाँ-बढियाँ कामसब देखैलियौ। एकरामेसे कोन कामके लिए तुहेंसब हमरा जानसे मारैले चाहैछैं?” 33यहूदी आदमीसिके अगुवासब ओकरा जबाब देल्कै, “बढियाँ कामके लिए हमेसब तोरा पत्थल ल्याके नैमारैले चाहैछियौ, मगर तुहें जे ईश्वर निन्दा करैछैं, इहे ल्याके कहिनेकी तुहें आदमी भ्याके भी अपने आपके परमेश्वर छियै कहिके दावा करैछैं।” 34येशू ओकरासिके जबाब देल्कै, “विधि-विधान कहैछै कि
‘परमेश्वर आपन आदमीसिके अगुवासिके कहैल्कै कि ऊसब ईश्वर रहै।’ 
35आर तुहेंसब जानैछैं कि धरमशास्त्रमे लिख्ल बात बदल्ल नै ज्या सकैछै। सेल्याके यदि परमेश्वर ओकर आदमीसिके अगुवासिके ‘ईश्वर’ कहैछै। 36ते तुहेंसब हमरा कथिले कहैछैं, ‘तुहें ईश्वर निन्दा करैछैं’ जब हमे यी कहैछियै, ‘हमे परमेश्वरके बेटा छियै? हमे उहे छियै जकरा परमेश्वर पिता अलग कैल्कै आर हमरा संसारमे भेजल्कै। 37अगर हमे परमेश्वर पिताके काम नैकैलियै छे ते हमरापर विश्वास नैकर। 38अगर हमे परमेश्वर पिताके काम करैछियै, तैय्योपर हमरापर विश्वास नैकरैछैं ते यी काममे विश्वास कर। तब तोरासिके मालुम हैतौ, कि परमेश्वर पिता हमरामे रहैछै आर हमे परमेश्वर पितामे रहैछियै। 39ऊसब फेर ओकरा गिरफ्तार करैले खोजल्कै, मगर येशू ओकरसिसे दूर चल गेलै।’ ”
40येशू फेर यर्दन लद्दीके पार उटा जगहमे गेलै जते यूहन्ना पहेला बप्तिस्मा दै, आर ऊ ओथै रहलै। 41बहुते आदमीसब येशूके लगत ऐलै। आर ऊसब कहैल्कै, “यूहन्ना कोनो शक्तिशाली कामसब नैदेखैल्कै, मगर येशूके विषयमे कहेल ओकर सभे बात सच रहै।” 42एरंके उटा जगहके बहुते आदमीसब येशूपर विश्वास कैल्कै।

Markering

Del

Kopiér

None

Vil du have dine markeringer gemt på tværs af alle dine enheder? Tilmeld dig eller log ind