YouVersion Logo
Search Icon

मर्कूस 9

9
1फेर येशू भीड आर ओकर चेलासिके कहैल्कै, “तोरासिमेसे क्या झन एत्ते खडा छैं, ऊसब देख्तै कि ओकरसिके मरैसे पहेला परमेश्वरके राज्य एकटा नया आर शक्तिशाली तरिकासे आबी गेलै छे।”
येशूके रुप परिवर्तन
(मत्ती १७:१-१३; लूक ९:२८-३६)
2तकर छ दिनके बाद येशू पत्रुस, याकूब आर यूहन्नाके संगमे ल्याके एकटा बडका पहाडमे चढ्लै। आर ऊसब देखल्कै अचानक परमेश्वर येशूके रुप बदली देल्कै। 3आर ओकर कपडा चमकदार उजरा भ्यागेलै। यी धर्तीमे कोय भी ओकरा धोयके ओरंको उजरा नैबनाबे सक्तै। 4तब यी दीटा परमेश्वरके वक्ता, एलिया आर मूसा प्रकट भेलै, आर ऊसब येशूसंगे बातचित कर्ते रहै। 5पत्रुस येशूके कहैल्कै, “गुरुजी, अपनासब एत्ते आबिके अच्छा कैलियै। अपनासब एत्ते तीनटा परमेश्वरके बास-स्थान बनाब, एकटा तोर लिए, एकटा मूसाके लिए, आर एकटा एलियाके लिए।” 6ऊसब बहुते डराबैके कारणसे कि बोलियै कहिके नैजानल्कै। 7तब एकटा बादल आबिके ओकरासिके झाँपल्कै, आर परमेश्वर बादलसे बोल्लै, “यी हमर प्यारा बेटा छै, एकरासे हमे बहुते खुश छियै, तुहेंसब एकर बात सुन।” 8आर चेलासब तुरन्ते आपन अगल-बगल देखल्कै ते ऊसब खाली येशूके देखल्कै। 9येशू आर ओकर तीनटा चेलासब पहाडसे निच्चा उतरै बखत येशू ओकरासिके आज्ञा देल्कै, “हमे, आदमीके बेटा मुर्दासे जिन्दा हुऐतक तुहेंसब जे चीज देख्लहैं छे, कक्रहौ नैकहिहैं।” 10सेल्याके ऊसब यी बातके आपन मनहैंमे राखल्कै, मगर मुर्दासे जिन्दा होनाके मतलब कि छै कहिके ऊसब आपनहैं-आपनहैंमे बातचित करे लाग्लै। 11फेर चेलासब ओकरा एरं कहिके पुछल्कै, “यहूदी धरमशास्त्रके पण्डितसिके यी कहना नैछै कि, एलियाके ख्रीष्टके आबैसे पहेला आबे पड्तै?” 12-13येशू कहैल्कै, “यी सच छै कि परमेश्वर एलियाके भेजैके वादा कैल्कै रहे कि ऊ सभे कुछु सही करैले पहेला आबिजै। मगर एलिया पहलहै आबी गेलै छे आर आपनसिके अगुवासब ओकरसंगे बहुते खराब व्यवहार कैल्कै। जेरं ऊसब करैले चहते रहै, जेरं कि परमेश्वरके वक्तासब बहुते पहेला ही कहैल्कै रहे कि ऊसब एरंको कर्तै। मगर हमे, आदमीके बेटा, हमर बारेमे धरमशास्त्रमे बहुते कुछु लिख्ल छै। वचन कहैछै कि हमे बहुते दुःख सहबै आर आदमीसब हमरा अस्वीकार कर्तै।”
भूतसे छुटकारा
(मत्ती १७:१४-२१; लूक ९:३७-४३)
14जब येशू आर ओकर तीनटा चेलासब पहाडसे दोसर चेलासिके लगत वापस ऐलै। ओकरासिके एकटा बडका भीड घेरिके राखल्कै रहे आर यहूदी धरमशास्त्रके पण्डितसिके ओकरसिसे बहस कर्ते देखल्कै। 15जहिने ही सभे आदमी येशूके देखल्कै सभेको चकित भेलै आर ओकरलगत दौडिके जैके प्रणाम कैल्कै। 16येशू ओकरासिके पुछल्कै, “तुहेंसब एकरसिसे कोन बातके बहस करैछैं?” 17भीडसे एकझन ओकरा जबाब देल्कै, “गुरुजी, हमर बेटाके एकटा भूत लाग्ल छै, जे ओकरा बौक बन्या दैछै, आर हमे ओकरा तोरलगत आन्लियै छे 18जब भी यी भूत हमर बेटाके धरैछै ते, एकरा हिंसक रुपसे कपाबैके, भुइयाँमे पटकैके कारण बनैछै। एकर मुखसे गौंज निक्लैछै, दाँत किचे लागैछै, आर यी अक्डी जैछै। हमे तोर चेलासिके यी भूत निकालैले बिन्ती कैलियै, मगर ऊसब नैनिकाले सकल्कै।” 19तब येशू यी बात सुनिके ओकरासिके कहैल्कै, “हे अविश्वासी आदमीसब, हमे कहियातक तोरसिकेलगत रहबौ? तोरासिके कतनें सहियौ? ऊ लडकाके हमरलगत आन।” 20सेल्याके ऊसब उटा लडकाके ओकरलगत आनल्कै। आर जब भूत येशूके देखल्कै ते उटा भूत ऊ लडकाके पटकल्कै, आर ऊ भुइयाँमे गिरिके गौंज निकालीके छटपटाबे लाग्लै। 21येशू लडकाके बाबुके पुछल्कै, “कहियासे एकरा एरं भेलै छे?” ऊ कहैल्कै, “बच्चहैसे एकरा एरं हैछै। 22एकर जान मारैके लिए भूत एकरा घुरी-घुरी आगिन आर पानीमे फेकि दैछै। अगर तुहें कुछु करे सक्भ ते, दया करिके हमरासिके सहायता कर।” 23येशू ओकरा कहैल्कै, “तोरा शंका नै होना चाही कि हमे एरं करे सक्बै! अगर कोय आदमी हमरा विश्वास करैछै ते कुछु भी सम्भव छै।” 24तब तुरन्ते ऊ लडकाके बाबु जोरसे कहैल्कै, “हमे विश्वास करैछियै। हमरा शंका नैकरैले सहायता कर।” 25जब येशू देखल्कै, आरहौ बेसी भीड ओकरा देखैले जमा हैते रहै, तब ऊ भूतके एरं कहिके धोपल्कै, “हे भूत, जे यी लडकाके बहिर बनाबैछै आर बोलैले नैदैछै! हमे तोरा हुकुम करैछियौ, एकरासे निक्लीके जो, आर फेर कहियो एकर भितरमे नैढुक।” 26तब ऊ भूत चिकर्लै आर जोरसे थरथराबे लाग्लै तब ओकरा गिर्याके बाहार निकल्लै, ऊ लडका बिना हिल्ले ओत्ते सुत्ल रहै आर ऊ लडका लासके जुगुर भ्यागेलै, एत्तेतक कि ओत्ते खडा भेल आदमीसब सोचल्कै यी ते मरि गेलै। 27मगर येशू ऊ लडकाके हात पक्डीके उठैले सहायता कैल्कै, तब ऊ ठीक भ्याके उठ्लै। 28पाछु, जब येशू आपन चेलासिके संगे घरमे असकल्ला रहै चेलासब ओकरा एकान्तमे पुछल्कै, “हमेसब ऊ लडकासे कहिने भूत नैनिकाले सक्लियै?” 29येशू ओकरासिके जबाब देल्कै, “एरंको भूत प्रार्थनाके सिवाय आर कोनो उपायसे आदमीसिसे नैनिकाले सक्भैं।”
30पाछु, येशू आर ओकर चेलासब उटा जगहके छोडी देल्कै आर गालील जिला द्याके गेलै। येशू नैचहते रहै कि कक्रहौ मालुम चलै कि ऊ कते छै, 31कहिनेकी ऊ आपन चेलासिके बिना विचलित भ्याके सिखाबैले चहते रहै। ऊ ओकरासिके कहैल्कै, “जल्दी ही कोय, हमे, आदमीके बेटाके दुश्मनसिके हातमे पक्ड्या देतै; ऊसब हमर जान मार्तै मगर तेसर दिन हमे फेर जिन्दा हैबै।” 32मगर ओकर कहेल यी बात ऊसब नैबुझल्कै, आर ओकरासे पुछैले डर लाग्लै।
चेलामे सबसे बडका के छै?
33येशू आर ओकर चेलासब कफर्नहुम गाँवमे आपन घरमे गेलै, जब ऊसब घरके भितरमे रहै, येशू ओकरासिके पुछल्कै, “तुहेंसब रस्तामे कि चर्चा कर्ते रहैं?” 34मगर ऊसब चुप रहलै, कहिनेकी रस्तामे ऊसब अपनासिमेसे सभैसे महान के छै? कहिके बहस कैल्कै रहे। 35येशू बैठ्लै आर बारहो चेलासिके आपन लगत जमा हुऐले बोलैल्कै आर ओकरासिके कहैल्कै, “अगर कोय आदमी सभैसे महान बनैले चाहैछै ते, अपनाके सभैसे छोट बनाबे पड्तै आर सभैके सेवक हुए पड्तै।” 36तब येशूके बगलमे एकटा बच्चा खडा रहै। उटा बच्चाके कोरामे ल्याके कहैल्कै, 37“जे कोय भी एकर जुगुर एकटा बच्चाके स्वागत करैछै आर ओकर सहायता करैछै कहिनेकी ऊसब हमरा प्रेम करैछै, यी हमरा स्वागत करैके जुगुर छै। आर जे कोय भी हमर स्वागत करैछै ऊ खाली हमर स्वागत नैकरैछै, मगर ओकर भी करैछै जे हमरा भेजल्कै छे।” 38यूहन्ना ओकरा कहैल्कै, “गुरुजी, एकटा आदमीके तोर नामके शक्तिसे भूत भगैते हमेसब देख्लियै। हमेसब ओकरा ओरं नैकरैले कहैलियै, कहिनेकी ऊ चेला आपनसिमेसे नैरहै।” 39मगर येशू कहैल्कै, “ओकरा नैरोक, कोय भी जे हमर नामके शक्तिसे चमत्कार करैछै, ऊ तुरन्ते हमर निन्दा नैकरे सकैछै। 40जे हमर दुश्मन नैछै ऊ हमर दोस्त छै। 41कहिनेकी जे तोरासिके ख्रीष्टके चेला छैं कहिके एक गिलास पानी भी देतौ ते, सच्चे हमे कहैछियौ, कि तुहें हमर छैं, निश्चित रुपसे तोरा एकटा इनाम मिल्तौ।”
बाधा दिएवालाके चेतावनी
(मत्ती १८:६-९; लूक १७:१-२)
42“अगर कोय ऊ आदमीके जे हमरापर विश्वास करैछै, ओकर विश्वासमे ठोकरके कारण बनैछै, भला ही ऊ यी बच्चाके जुगुर है, यी ओकर लिए बढियाँ हैतै कि ओकर गल्लामे एकटा भारी पत्थल बान्हल जै आर ओकरा डुबैके लिए समुन्दरमे फेकि देल जै। 43पाप करैके सभे कारणके दूर कर आर निकाल! एकरा पुरा तरिकासे अस्वीकार कर जेरं कि तुहें एकटा हात काटैछैं, जे तोर पाप करैके कारण बनैछौ। अगर तुहें स्वर्गमे जैछैं, भला ही तोरलगत खाली एकटा हात हौ, उटा बढियाँ छै। मगर तोरलगत दीटा हात छौ आर नरक जैछैं ते, यी खराब छै। 44नरकमे सभैके शरीरके ख्यावाला पिल्लु कहियो नैमरैछै आर कहियो आगिन नैमिझाबैछै। 45अगर तुहें पाप करैके लिए आपन पैरके उपयोग करैके सोचमे छैं ते, एकरा काटी दहैं। अगर तुहें स्वर्गमे जैछैं, भला ही तोरलगत खाली एकटा पैर छौ, से बढियाँ छै। मगर तोरलगत दीटा पैर छौ आर तुहें नरक जैछैं, से खराब छै। 46नरकमे सभैके शरीरके ख्यावाला पिल्लु कहियो नैमरैछै आर कहियो आगिन नैमिझाबैछै। 47अहिने करिके, अगर तुहें पाप करैके लिए आपन आँखीके उपयोग करैके सोचमे छैं ते, ओकरा बाहार निकाली दहैं। एकटा आँख ल्याके परमेश्वरके राज्यमे प्रवेश करना कठिन लागे सकैछै, मगर दोनोटा आँख राखना आर नरकमे प्रवेश करना बहुते खराब छै।
48नरकमे सभैके शरीरके ख्यावाला पिल्लु कहियो नैमरैछै आर कहियो आगिन नैमिझाबैछै।
49सभैके आगिनसे शुद्ध कैल जैतै जेरंके नूनसे एकटा बलिदान शुद्ध हैछै। 50नून एकटा आवश्यक चीज छै, अगर नूनके स्वाद नैरहतै ते तुहें ओकर स्वाद फेर केरंके वापस आन्भैं? तोरासिमे एक दोसरामे नूनके गुण होना चाही, आर एक दोसरासे शान्तिमे र।”

Currently Selected:

मर्कूस 9: KYVNT

Highlight

Share

Copy

None

Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in