मर्कूस 8
8
येशू चार हजार आदमीसिके खिलैल्कै
(मत्ती १५:३२-३९)
1एक दिन जब येशू ओत्ते रहै, बहुते आदमीसब ओकरलगत परमेश्वरके राज्यके विषयमे ओकरासे सुनैले ऐलै आर ओकर अगल-बगलमे जमा भेलै, मगर ओकरसिके लगत ख्यावाला कुछु नैरहै। तब येशू चेलासिके आपन लगत बोल्याके कहैल्कै, 2“यी आदमीसब हमरलगत तीन दिनसे छै। आब ओकरसिके लगत खैके लिए कुछु भी नैछै, सेल्याके हमरा एकरासिके देखिके अफसोस हैछै। 3एकरासिमेसे कुछु आदमीसब बहुते दूरसे ऐलै छे। अगर हमे एकरासिके खाना खिलैले बिना भुख्ले घर भेजी देबै ते, ऊसब रस्तामे ही बेहौंस भ्याजैतै।” 4चेलासब ओकरा कहैल्कै, “कोय भी यी सभे आदमीके अघ्याके खिलाबैके लिए यीटा सुनसान जगहमे बहुते खाना नैपाबे सकैछै!” 5येशू ओकरासिके पुछल्कै, “तोरसिकेलगत क्याटा रोटी छौ?” ऊसब कहैल्कै, “सातटा रोटी छै।”
6तब ऊ भीडके भुइयाँमे बैठैले आज्ञा देल्कै आर ऊसब बैठ्लै, तकरबाद सातटा रोटी हातमे ल्याके परमेश्वरके धन्यवाद द्याके रोटी तोडल्कै, आर ऊ चेलासिके रोटीके टुकरा दियैले शुरु कैल्कै ताकी ऊसब आदमीसिके पर्से सकै। 7ओकरसिके लगत कनेजरा छोटका-छोटका माछसब भी रहै, आर ऊ परमेश्वरके धन्यवाद द्याके उहोटा ओकरासिके पर्सैले देल्कै। 8आदमीसब खैल्कै आर अघैलै। रोटीके टुकरासब उगरि गेलै आर चेलासब उगर्ल रोटीके टुकरासब सात ढाकी जमा कैल्कै। 9ओत्ते लगभग चार हजार आदमीसब रहै। जब येशू आदमीसिके भेजी देल्कै, 10तब ऊ आपन चेलासिके संगे नावमे चढिके दलमनुथा जिला महर चल गेलै।
11फरिसी समूहके आदमी येशूके फसाबैले चहते रहै, सेल्याके ऊसब येशूके स्वर्गसे एकटा चमत्कार करैले कहैल्कै यी देखाबैके लिए कि परमेश्वर आपन अधिकार येशूके देल्कै छे। 12ऊ ओकरसिके अविश्वासके कारण निराश भ्याके लम्बा साँस ल्याके कहैल्कै, “यी पिढीके आदमीसब तोरासिके चिन्हके रुपमे कोनो चमत्कार देल नैजैतौ।” 13तब ऊ फरिसी समूहके आदमीसिके छोडिके, आपन चेलासिके संगे फेर नावमे चढ्लै आर ऊसब गालील समुन्दरके चारो महर हैते आगु बढ्लै।
फरिसी समूहके आदमीसिके खमीर आर हेरोदके खमीर
(मत्ती १६:५-१२)
14येशूके चेलासब आपन संगमे जतनें खाना आनैके जरुरी रहै, ओतनें खाना नै आनल्कै रहे, सेल्याके एकटा रोटीके सिवाय ओकरसिके लगत नावमे आरहौ कनक्को रोटी नैरहै। 15येशू चेलासिके एरं कहिके चेतावनी देल्कै, “तुहेंसब फरिसी समूहके आदमीके खमीर आर हेरोद राजाके खमीरसे होशियार र।” 16ऊसब एक दोसरसे बात करिके कहे लाग्लै, ऊ सेल्याके कहैछै कहिनेकी आपनसिके लगत सभैके खातिर पुगेवाला रोटी नैछै। 17येशू यी बात जानीके चेलासिके कहैल्कै, “तुहेंसब कथिले आपसमे बहस करैछैं कि हमरसिके लगत रोटी नैछै? कहिने तुहेंसब हमरापर विश्वास करैले नैसकैछैं? तुहेंसब एखनिहौं भी नैबुझैछैं? 18कि तोरसिके आँख अनरह आर कान बहिर छौ? कि तोरासिके याद नैछौ? 19जब हमे ऊ पाँच हजार आदमीसिके पाँचटा छोटका रोटीसे खिलैलियै ते, तुहेंसब क्या ढाकी उगर्ल रोटीके टुकरासब जमा कैल्हैं रहे?” ऊसब ओकरा कहैल्कै, “हमेसब बारह ढाकी रोटी जमा कैलियै रहे।” 20ऊ ओकरासिके कहैल्कै, “आर जब चार हजार आदमीसिके लिए सातटा रोटी तोड्लियै रहे, तब क्या ढाकी टुकरा टुकरीसब तुहेंसब उठैलहैं रहे?” ऊसब ओकरा कहैल्कै, “सात ढाकी।” 21ऊ ओकरासिके कहैल्कै, “तुहेंसब एखनिहौं भी नैबुझैछैं कि हमे के छियै?”
बेथसेदा गाँवमे अनराह आदमीके दृष्टि
22तकरबाद येशू आर ओकर चेलासब बेथसेदा गाँवमे ऐलै, आर आदमीसब एकटा अनराह आदमीके ओकरलगत आनल्कै, आर ऊसब ओकरासे बिन्ती कैल्कै कि ऊ आदमीके छुवै आर ओकरा ठीक करिदै। 23येशू ऊ अनराह आदमीके हात पक्डीके गाँवसे बाहार ल्यागेलै, आर येशू आपन थुक ओकर आँखीमे लगैल्कै आर ओकरापर आपन हात राखिके कहैल्कै, “कि तुहें कुछु देखैछैं?” 24आर ऊ उप्पर महर देखिके कहैल्कै, “हमे आदमीसिके देखे सकैछियै मगर ओकरासिके बहुते बढियाँसे नैदेखे सकैछियै। ओकरासिके गाछके जुगुर लर्ते देखैछियै।” 25तब फेर येशू ओकर आँखीमे हात राखल्कै, आर ऊ टक-टक करिके देखल्कै। ओकर दृष्टि पुरा ठीक भेलै, आर ऊ सभे कुछु साफसे देखे लाग्लै। 26एकरबाद येशू ओकरा आपन घर वापस जैले आदेश देल्कै, ऊ ओकरा कहैल्कै, “आपन घर वापस जो, मगर गाँववालाके कुछु बताबैके लिए गाँवमे प्रवेश नैकरिहैं कि एत्ते कि भेलै रहे।”
पत्रुस येशूके ख्रीष्ट मानल्कै
(मत्ती १६:१३-२०; लूक ९:१८-२१)
27येशू आर ओकर चेलासब बेथसेदा गाँवके छोडिके कैसरिया फिलिप्पी सहरके नज्दिकके गाँवसिमे गेलै। रस्तामे जैबखत ऊ चेलासिके एरं कहिके पुछल्कै, “आदमीसब हमर विषयमे कि कहैछै?” 28ऊसब ओकरा जबाब देल्कै, “कुछु आदमीसब कहैछै कि तुहें बप्तिस्मा दिएवाला यूहन्ना छह; दोसरसिके कहना छै कि तुहें परमेश्वरके वक्ता एलिया छह। आरहौ कतनें आदमी कहैछै कि बहुते परमेश्वरके वक्तासिमेसे एकझन छह।” 29तब येशू ओकरासिके पुछल्कै, “मगर तुहेंसब अपने आपमे कोन्ची सोचैछैं, कि हमे के छियै?” पत्रुस जबाब द्याके कहैल्कै, “तुहें परमेश्वरके द्वारा भेज्ल गेल ख्रीष्ट छह।” 30तब येशू ओकरासिके आदेश देल्कै कि ओकर बारेमे यी बात कक्रहौ नैकहिहैं।
येशूके आपन मौतके विषयमे भविष्यवाणी
(मत्ती १६:२१-२३; लूक ९:२२)
31येशू आपन चेलासिके सिखाबैले शुरु कैल्कै, “हमे, आदमीके बेटा बहुते भयानक चीजसिके भोग्बै, आर यहूदी आदमीसिके अगुवासब, प्रमुख पुजारीसब आर यहूदी धरमशास्त्रके पण्डितसब हमरासे नफरत कर्तै आर हमर जान मार्तै आर तेसर दिन हमे फेर मुर्दासे जिन्दा भ्याके उठ्बै।” 32एरंके ऊ यी बात साफ-साफ कहैल्कै। मगर यी सुनिके पत्रुस ओकरा एक महर लज्याके पिडा आर मारे ज्यावाला विषयमे बात करैके कारणसे धोपे लाग्लै। 33मगर येशू पाछु घुम्लै आर चेलासिके देखल्कै तब पत्रुसके एरं कहिके धोपल्कै, “शैतान, तुहें हमर लगतसे दूर हटिजो, तोर विचार परमेश्वरसे नै मगर आदमीके स्वभावसे छौ!”
चेला बनैके मतलब
34तब येशू आपन चेलासिके आर ओत्ते भेल भीडके बोल्याके ओकरासिके कहैल्कै, “अगर कोय हमर चेला बनैले चाहैछैं ते, तोरासिके आपन योजना आर हितके छोडे पड्तौ। ओकरा हमर खातिर मरैके लिए भी तैय्यार रहे पड्तै। अन्तमे, ओकरा हमर चेलाके रुपमे हमर अनुसरण करे पड्तै। 35कहिनेकी जे यी धर्तीपर आपन जीवन बचाबैके कोशिश कर्तै, ऊसब सच्चा जीवन नैपाबे सक्तै। मगर तुहेंसब जे हमर कारण आर खुश-खबरीके कारण आपन जीवन दैछैं, सच्चा जीवन पैभैं। 36तुहें संसारमे सभे चीज प्राप्त करि लेल्हैं मगर परमेश्वरके साथ कहियो खतम नैहुएवाला जीवन पाबैके मौका खतम करि देल्हैं ते, तोरा कोनो फैदा नैहैतौ। 37कि यी सम्भव छै कि कोय कहियो खतम नैहुएवाला जीवन पाबैके लिए परमेश्वरके कुछु दिए सकैछै? नै! 38जे आदमीसब ऐज जिन्दा छै आर परमेश्वरसे विश्वासघात करैछै, ऊसब एकटा व्यबिचारी पतनीके जुगुर आर पापी आदमीसब छै। अगर तोरासिमेसे कोय भी हमरा आपन परमेश्वरके रुपमे स्वीकार करैले आर हमर शिक्षाके पालन करैले इन्कार करैछै, कहिनेकी तुहें डराबैछैं कि एरंको पापी आदमीसब तोर मजाक उडैतौ, तब हमे, आदमीके बेटा इन्कार कर्बौ कि तुहें हमर चेला छैं, जब हमे पवित्र स्वर्गदूतसिके साथ धर्तीपर वापस ऐबै। तब सभेको हमर चम्कल तेजके देख्तै जे हमर पिताके जुगुर छै।”
Currently Selected:
मर्कूस 8: KYVNT
Highlight
Share
Copy

Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in
Kayort (केवट) Bible by The Love Fellowship is licensed under Creative Commons Attribution-ShareAlike 4.0 License.