YouVersion Logo
Search Icon

लूका 4

4
शैतानद्वारा येशूके परीक्षा
(मत्ती ४:१-११; मर्कू १:१२-१३)
1येशू पवित्र आत्मासे परिपूर्ण भ्याके यर्दन लद्दीसे वापस ऐलै, आर पवित्र आत्मा ओकरा सुनसान जगहमे ल्यागेलै। 2आर चालीस दिनतक सुनसान जगहमे शैतान ओकर परीक्षा कैल्कै। उटा दिनसिमे ऊ कुछु नैखैल्कै, आर चालीस दिन खतम भेलके बाद ओकरा भुख लाग्लै। 3तखनिहैं शैतान येशूके कहैल्कै “अगर तुहें परमेश्वरके बेटा छह ते यी पत्थलसिके रोटी बनै कहिके आज्ञा द्याके साबित कर, आर तुहें ख्या सकह” 4येशू ओकरा जबाब देल्कै,
“धरमशास्त्रमे लिख्ल छै, ‘आदमी खाली रोटीसे ही जिन्दा नैरहैछै।’ ”
5तकरबाद शैतान येशूके एकटा बडका पहाडमे लज्याके एक्के पलमे ओकरा संसारके सभे राज्यसब देखैल्कै। 6आर शैतान येशूके कहैल्कै, “हमे तोरा यी सभे राज्यके राजा आर एकर शान-शौकतके मालिक बनाबे सकैछियै कहिनेकी यी सभेटा हमर हातमे छै आर हमर चहेल आदमीके यी दिये सकैछियै। 7तुहें हमर आगुमे झुकिके आराधना कर्भ ते यी सभे तोर हैतहौं।” 8येशू ओकरा जबाब देल्कै, “धरमशास्त्रमे एरं लिख्ल छै:
‘तुहें प्रभु परमेश्वरके आगुमे झुकिके आराधना करिहैं; आर ओकरे खाली सेवा करिहैं।’ ”
9तब ऊ ओकरा यरूशलेम सहरके परमेश्वरके मन्दिरके उच्च जगहमे लज्याके खडा करैल्कै, आर ओकरा कहैल्कै “तुहें परमेश्वरके बेटा छह ते एत्तेसे निच्चा फानिके साबित कर, कि तोरा चोट नैलाघौं, 10कहिनेकी धरमशास्त्रमे यी लिख्ल छै:
‘परमेश्वर तोरा बचाबैके लिए आपन स्वर्गदूतसिके आज्ञा देथौं,
11आर तोर पैरीमे पत्थल ल्याके चोट नैलागै कहिके ऊसब तोरा लोकी लेथौं।’ ”
12येशू ओकरा जबाब देल्कै, “धरमशास्त्रमे एरं लिख्ल छै,
‘तोरा आपन परमेश्वरसे यी साबित करवाबैके कोशिश नैकरना चाही कि ऊ आपन वादा पुरा कर्तै।’ ”
13शैतान येशूके यी सभे किसिम परीक्षा करिके अनुकूल समय नै मिलै तक कुछु समयके लिए ओकरा छोडिके चल गेलै।
14येशू पवित्र आत्माके सामर्थ्य पाबिके गालील जिलामे वापस लौटिके ऐलै, आर ओकर नामके चर्चा अगल-बगलके सभे गाँवमे फैली गेलै। 15ऊ यहूदी आदमीसिके सभाघरसिमे शिक्षा दिए लाग्लै, आर सभेकोय ओकर प्रशंसा कैल्कै।
नासरतके आदमीसिके अविश्वास
(मत्ती १३:५३-५८; मर्कू ६:१-६)
16येशू आपन परवरिस भेल नासरत गाँवमे घुमिके ऐलै। सभे दिन जुगुर ऊ आपन आदत मुताबिक यहूदी आदमीसिके विश्रामके दिनमे यहूदी आदमीसिके सभाघरमे गेलै, आर धरमशास्त्र पढैके लिए खडा भेलै। 17ओकरा यशैया परमेश्वरके वक्ताके किताब पढैले देल्कै। येशू ऊ किताबके खोलल्कै आर यी बात लिख्ल खण्ड निकालीके पढे लाग्लै:
18परमेश्वरके आत्मा हमर उप्परमे छै,
कहिनेकी गरिबसिके खुश-खबरी सुनाबैके लिए परमेश्वर हमरा नियुक्त कैल्कै छे।
हमरा बन्दीसिके शैतानसे आजाद करैके लिए,
अनराहसिके दृष्टि दियैके लिए आर सभेको जे दब्ल-कुचल्ल छै,
ओकरासिके आजाद करैके लिए भेज्ल गेलै छे,
19आर यी बताबैके लिए कि परमेश्वरके कृपा देखाबैके समय आबी गेलै छे।
20ऊ किताब बन्द कैल्कै, आर एकटा सेवकके द्याके ऊ बैठ्लै। यहूदी आदमीसिके सभाघरमे भेल आदमीसिके नजर ओकरे उप्परमे रहै। 21तब ऊ ओकरासिके कहैल्कै, “जेरं तुहेंसब पहेला सुन्लहैं रहे ऐज धरमशास्त्रके यी वचन तोरसिके समनामे पुरा भ्या गेलौ छे।” 22सभे आदमीसब ओकर वाह-वाह कैल्कै, आर ओकर मुखसे निकल्ल कृपापूर्ण वचन सुनिके चकित भ्यागेलै। तब ऊसब कहैल्कै, “कि यी योसेफके बेटा नैछै से?” 23येशू ओकरासिके कहैल्कै, “नि:सन्देह तुहेंसब हमरा यी कहावत कहभैं, हे बैध पहेला अपने आपके ठीक कर। कफर्नहुम गाँवमे जे कामसब कैलह कहिके हमेसब सुन्लियै ऊ काम इहो सहरमे कर।” 24तब येशू कहैल्कै “सच्चे हमे तोरासिके कहैछियौ, कोनो भी परमेश्वरके वक्ताके ओकर अपने गाँवके आदमीसब स्वीकार नैकरैछै। 25मगर यी बातके विषयमे सोच: यी सच छै कि इस्राएलीसिके बीचमे एलिया परमेश्वरके वक्ताके समयमे बहुते विधवासब रहै, उहे समयमे साढे तीन सालतक बर्षा नैभेलै, एत्तेतक कि पुरे इस्राएल देशमे बडका अकाल पडी गेलै रहे। 26मगर परमेश्वरके वक्ता एलिया सिदोन सहरके सारपातके इलाकामे भेल एकटा गैर-यहूदी मोसामात कते खाली भेज्ल गेलै, आर ककरो कते भी नैभेज्ल गेलै। 27एलीशा परमेश्वरके वक्ताके समयमे इस्राएलीसिके बीचमे भी बहुते कुष्ठरोगीसब रहै तैय्योपर पर भी खाली सिरिया देशके एकटा गैर-यहूदी आदमी, नामान ठीक भेलै, आर कोनो आदमी भी ठीक नैभेलै।” 28यी बात सुनिके यहूदी आदमीसिके सभाघरमे भेल सभे आदमीसब गोस्सासे चुर भ्यागेलै। 29ऊसब उठिके येशूके सहरसे बाहार निकाली देल्कै। ओकरसिके यी सहर पहाडमे रहै आर उहे पहाडके चोटीमे लज्याके ऊसब ओकरा निच्चा गिर्याके जान मारैले खोजल्कै। 30मगर ऊ ओकरसिके बिच्चेसे निक्लीके चल गेलै।
भूत लाग्ल आदमीके येशू ठीक कैल्कै
(मर्कू १:२१-२८)
31येशू गालील जिलाके एकटा कफर्नहुम गाँवमे ऐलै, यहूदी आदमीसिके विश्रामके दिनमे येशू ओकरासिके शिक्षा देते रहै। 32आदमीसब ओकर शिक्षासे चकित पडी गेलै कहिनेकी ओकर शिक्षा अधिकार सहित रहै। 33यहूदी आदमीसिके सभाघरमे भूत लाग्ल एकटा आदमी रहै, आर ऊ जोरसे चिकर्लै। 34“हे नासरत गाँव निवासी येशू, तोरा हमरसिसे कोन काम? कि तुहें हमरासिके नाश करैले ऐलह छे? हमे तोरा चिन्हैछियै, तुहें ही ऊ पवित्र जन छह जे परमेश्वरके तरफसे ऐलह छे।” 35यी सुनिके येशू भूतके एरं कहिके धोपल्कै, “चुप हु, आर ओकरासे निक्ली जो।” तब भूत उटा आदमीके कोनो हानी नैकरिके सभे आदमीके समनामे भुइयाँमे पट्किके ओकरसे निक्लीके चल गेलै, मगर ऊ आदमीके कोनो चोट नैलाग्लै। 36तब ओत्ते भेल सभे आदमीके आश्चर्य लाग्लै, तब ऊसब आपनहैं-आपनहैंमे एरंके पुछे लाग्लै, “यी केरंको शिक्षा छै? यी ते अधिकार आर सामर्थ्यके साथ भूतसिके आज्ञा करैछै, आर भूत निक्लीके चल जैछै।” 37तब येशूके नाम आस-पासके सभे जगहमे फैली गेलै।
येशू बहुते आदमीसिके ठीक कैल्कै
(मत्ती ८:१४-१७; मर्कू १:२९-३४)
38यहूदी आदमीसिके सभाघरसे निक्लीके येशू सिमोनके घरमे गेलै, ओकर सास बोखारसे खुब बेचैन रहै, आर ऊसब ओकरा ठीक करि दियैले येशूके बिन्ती कैल्कै। 39ओकर नज्दिकमे खडा भ्याके येशू बोखारके धोपल्कै, तब ओकर बोखार ठीक भ्यागेलै आर ऊ तुरन्ते उठिके येशूके सेवा सत्कार कैल्कै। 40जब दिन डुबे लाग्लै तब अनेक किसिमके रोग भेल बेमारीसिके ओकरलगत आनल्कै, येशू ओकरसिके सभैके मथामे हात राखिके ओकरासिके ठीक कैल्कै। 41बहुते आदमीसिसे भूतसब चिच्यैते आर एरं कहते निकल्लै “तुहें परमेश्वरके बेटा छह।” मगर येशू भूतसिके बोलैले नैदेल्कै। कहिनेकी ऊसब जान्ते रहै कि उहे ख्रीष्ट छै।
42भोर भेलके बाद ऊ ओत्तेसे निक्लीके एकान्त जगहमे गेलै, आदमीके भीडसब ओकरा खोज्ते ओकरलगत ऐलै आर हमरासिके छोडिके नैजा कहिके ओकरा रोकैके कोशिश कैल्कै। 43मगर येशू ओकरासिके कहैल्कै, हमरा परमेश्वरके राज्यके खुश-खबरी दोसर गाँवसिमे भी प्रचार करे पड्तै, कहिनेकी हमे एकरे खातिर यी संसारमे भेज्ल छियै। 44तब येशू यहूदिया प्रदेशके यहूदी आदमीसिके सभाघरसिमे प्रचार करे लाग्लै।

Currently Selected:

लूका 4: KYVNT

Highlight

Share

Copy

None

Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in