YouVersion Logo
Search Icon

लूका 2

2
येशूके जनम
(मत्ती १:१८-२५)
1ऊ समयमे रोमी महाराजा अगस्तस आपन सारा साम्राज्यके जनगणना लियैले हुकुम जारी कैल्कै। 2एरंको यी पहेला जनगणना रहै आर यी उहे समयमे भेलै जखन कुरेनियस सिरिया प्रदेशके राज्यपाल रहै। 3सभे आदमीसब आपन नाम दर्ता कराबैले आपन-आपन बाप-पुर्खासिके सहरमे गेलै। 4योसेफ भी गालील जिलाके नासरत गाँवसे यहूदिया प्रदेशके बेथलेहेम गाँव जे दाऊद राजाके गाँव रहै ओत्ते गेलै, कहिनेकी ऊ दाऊद राजाके परिवार आर वंशके रहै। 5नाम दर्ता कराबैले ऊ आपन संगमे गर्भवती भेल आपन पतनी, मरियमके भी ल्याके गेलै। 6-7जब ऊसब बेथलेहेम गाँवमे रहै, ओकरसिके लिए ओत्तेना रहैले कोनो जगह नैरहै जते यात्रीसब रहते रहै। सेल्याके ऊसब एकटा गुहाली घरमे रहलै। जब मरियमके बच्चा जनम दियैके समय ऐलै, तब ऊ आपन पहेला बेटाके जनम देल्कै। ऊ आपन बच्चाके कपडाके टुकरामे लपेटिके नादमे राखी देल्कै, जते आदमीसब गरुमालसिके लिए खाना दैछै।
चरवाहासिके स्वर्गदूतके सन्देश
8उहे रातमे, बेथलेहेम गाँवके नज्दिकके बाधमे बैठिके कुछु चरवाहासब आपन भेंडाके बथानके रखवाली कर्ते रहै। 9अचानक परमेश्वरके एकटा स्वर्गदूत ओकरसिके समनामे खडा भेलै आर प्रभुके महिमा ओकरसिके चारो महर उजेत भेलै, यी देखिके चरवाहासब डरैलै। 10तब स्वर्गदूत ओकरासिके कहैल्कै, “नैडर! कहिनेकी हमे सभे आदमीसिके आनन्द दिएवाला खुश-खबरी ल्याके तोरासिके सुनाबैले ऐलियै छे। 11ऐज बेथलेहेम गाँवमे, जे दाऊद राजाके सहर छै, सभैके उद्धारकर्ता राजा ख्रीष्ट जनम लेल्कै छे। उहे ही ख्रीष्ट प्रभु छै। 12यी चिन्हसे तोरासिके पता चल्तौ कि ऊ बच्चा के छै: तुहेंसब एकटा बच्चाके कपडा ल्याके लपेटल आर नादमे सुतैल पैभैं। 13तब अचानक ओत्ते आरहौ बहुते स्वर्गदूतसिके एकटा झुण्ड दिखाई पड्लै। ऊसब स्वर्गदूत परमेश्वरके स्तुति कर्ते एरं गीत गाबे लाग्लै,
14‘सर्वोच्च स्वर्गमे परमेश्वरके जय-जयकार है,
आर धर्तीपर जे आदमीसिसे ऊ खुश छै, ओकरासिके शान्ति हैते रहै।’ ”
15तकरबाद, स्वर्गदूतसब ओकरसिके लगतसे स्वर्गमहर चल गेलै। तब चरवाहासब एक-दोसरके कहैल्कै, “या, अपनासब स्वर्गदूतके द्वारा परमेश्वरके कहेल बात बेथलेहेम गाँवमे देखैले चल।” 16ऊसब तुरन्ते गेलै आर मरियम आर योसेफके आर बच्चाके नादमे सुत्ल देखल्कै। 17बच्चाके देखिके ऊसब उटा बातके विषयमे मरियम, योसेफ आर ओत्ते भेल सभे आदमीसिके कहे लाग्लै जे बात बच्चाके सम्बन्धमे स्वर्गदूत ओकरासिके कहैल्कै रहे। 18चरवाहासिके बात सुनिके सभेकोय आश्चर्यचकित भ्यागेलै। 19मगर मरियम चरवाहासिके कहेल सभे बात आपन मनमे राखल्कै आर विचार करे लाग्लै। 20जेरं ओकरासिके स्वर्गदूतसब बतैले रहे, ओहिने सभे बात देख्ल आर सुन्लके बाद परमेश्वरके महिमा आर स्तुति कर्ते चरवाहासब आपन भेंडासिके लगत वापस गेलै।
मन्दिरमे येशूके अर्पण
21बालक येशूके जनमके बाद अठमा दिनमे, ओकर खतनाके समय ऐलै ते, ऊसब ओकर नाम येशू राखी देल्कै, जे नाम मयाँके गर्भमे आबैसे पहेला स्वर्गदूतद्वारा देल गेलै रहे। 22-24मूसाके विधि-विधानके अनुसार मरियम आर योसेफ शुद्ध हुऐके दिन पुरा भेलके बाद यरूशलेम सहरके परमेश्वरके मन्दिरमे गेलै। ऊसब ओत्ते दीटा पेर्वाके बच्चाके बलिदान चढाबैके लिए गेलै। यी परमेश्वरके विधि-विधान पालन करैके लिए रहै। ऊसब येशूके भी यरूशलेम सहरमे ल्यागेलै ताकी ओकरा परमेश्वरके समनामे प्रस्तुत करै कहिनेकी परमेश्वरके विधि-विधान भी इहे कहैछै, “हरेक पहेला जनमल बेटा परमेश्वरके लिए पवित्र हुऐके लिए अलग कैल जाना चाही।”
शिमियोनद्वारा येशूके दर्शन
25ऊ समयमे यरूशलेम सहरमे शिमियोन नामके एकटा आदमी रहै, जे धर्मी आर भक्त रहै। ऊ बेसबरीसे येशूके आबैके इन्तजार कर्ते रहै कि ऊ आबिके इस्राएलीसिके सान्त्वना दै। पवित्र आत्मा ओकरपर रहै। 26पवित्र आत्मा ओकरा कहैल्कै कि परमेश्वरके द्वारा प्रतिज्ञा कैल ख्रीष्टके नैदेखिके ऊ नैमर्तै। 27उटा दिन पवित्र आत्माके अगुवाईमे शिमियोन परमेश्वरके मन्दिरमे ऐलै, जखनी विधि-विधानके अनुसार बालक येशूके मयाँ-बाबु ओकरा ल्याके परमेश्वरके मन्दिरमे ऐलै। 28तब ऊ बालक येशूके कोरामे ल्याके परमेश्वरके धन्यवाद देते कहैल्कै,
29“हे प्रभु, तुहें आपन प्रतिज्ञाके अनुसार आब यी आपन दासके शान्तिसे मरैले दह।
30कहिनेकी हमे ऊ उद्धारकर्ताके आपने आँखीसे देखि लेलियै छे,
31जकरा तुहें सभे आदमीसिके बचाबैके लिए भेज्लह छे।
32ऊ गैर-यहूदी आदमीसिके उप्पर परमेश्वरके प्रकट करेवाला उजेत छै,
आर तोर इस्राएलीसिके लिए महिमाके उजेत छै।”
33तब येशूके मयाँ-बाबु ओकर विषयमे बोल्ल बात सुनिके चकित भेलै जे शिमियोन कहैल्कै रहै। 34शिमियोन ओकरासिके आशीर्वाद देल्कै आर ओकर मयाँ मरियमके कहैल्कै, “देख, यी बच्चा बहुते इस्राएलीसिके विनाश आर उद्धारके लिए, आर ऊ परमेश्वरके तरफसे एकटा चिन्हके रुपमे भेज्ल छै, मगर बहुते आदमीसब ओकर विरोध कर्तै। 35एरंके, बहुते आदमीसिके मनके विचारसब प्रकट हैतै आर तोर जान धरहा तलवारसे आर-पार छेद्ल जेरं दुःखसे भरि जैतौ।”
36उटा परमेश्वरके मन्दिरमे, आशेरके कुलमे फनुएलके बेटी हन्ना नामके एकटा बुढ परमेश्वरके वक्ता भी रहै। बिहा भेलके साते सालमे ही ऊ मोसामात भ्यागेलै रहै। 37आर आब ऊ चौरासी साल पुग्ल रहै। ऊ कहियो परमेश्वरके मन्दिर नै छोड्ते रहै आर उपास प्रार्थनाके साथ दिनरात आराधना कर्तै रहै। 38उहो भी मरियम आर योसेफके बगलमे आबिके परमेश्वरके धन्यवाद देल्कै, आर ऊ बच्चाके बारेमे सभे आदमीसिके बतैल्कै, जे यरूशलेम सहरके आदमीसिके छुटकाराके लिए ख्रीष्टके भेजैके लिए परमेश्वरके इन्तजार कर्ते रहै।
39जब मरियम आर योसेफ परमेश्वरके विधि-विधानके मुताबिक परमेश्वरके मन्दिरके काम खतम कैल्कै, तब ऊसब गालील जिलाके आपन नासरत गाँवमे ऐलै। 40बालक येशू बुद्धिसे भरपुर भ्याके बढ्ते आर मजगुत भेले गेलै आर परमेश्वरके दया ओकरापर रहै।
परमेश्वरके मन्दिरमे बालक येशू
41निस्तार पावनमे येशूके मयाँ-बाबु सभे साल यरूशलेम सहर जै। 42जहिया येशू बारह सालके भेलै, तब ऊसब पावनके रिती मुताबिक यरूशलेम सहर गेलै। 43पावनके दिन खतम भेलके बाद, येशूके मयाँ-बाबु घर वापस जैते रहै, मगर येशू यरूशलेम सहरमे रहि गेलै। यी बात ओकर मयाँ-बाबुके मालुम नैभेलै। 44येशू यात्रीसिके संगमे छै कहिके ओकर मयाँ-बाबु एक दिनके रस्ता चल गेलै। सझौवा भेलके बाद ऊसब येशूके आपन कुटुम आर चिन्हल आदमीसिके बीचमे खोजल्कै। 45मगर येशू ओकरासिके नैमिल्लै आर ऊसब फेर घुमिके यरूशलेम सहरमे वापस ऐलै। 46तीन दिनके बाद ऊसब येशूके परमेश्वरके मन्दिरके ऐगनमे धरमगुरुसिके बीचमे बैठिके ओकरसिके बात सुन्ते आर ओकरासिके सवाल कर्ते देखल्कै। 47जेसब येशूके बात सुनल्कै से सब येशूके बुद्धि आर जबाबसे चकित भेलै। 48येशूके ओत्ते देखिके ओकर मयाँ-बाबु चकित भ्यागेलै। ओकर मयाँ ओकरा कहैल्कै, “रे बेटा, तुहें हमरसिके संगे एरं कहिने कैल्हैं? देख ते, हमे आर तोर बाबु तोरा खोजीके हैरान भ्या गेलियै।” 49तब येशू ओकरासिके कहैल्कै, “तुहेंसब हमरा कथिले खोजैछैं? हमे आपन पिताके घरमे रहे पड्तै कहिके कि तोरासिके पता नैरहौ?” 50मगर येशू जे बात बोल्लै ओकर मतलब ऊसब नैबुझल्कै। 51तब येशू आपन मयाँ-बाबुके संगे नासरत गाँवमे वापस गेलै आर ओकरसिके आज्ञाकारी भ्याके रहलै। ओकर मयाँ यी सभे बात आपन मनमे राखल्कै आर विचार करे लाग्लै। 52बालक येशू बुद्धि आर शरीरमे बढे लाग्लै। ऊ परमेश्वरके आर आदमीसिके दोनोके प्यारा रहै।

Currently Selected:

लूका 2: KYVNT

Highlight

Share

Copy

None

Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in