YouVersion Logo
Search Icon

लूका 14

14
येशू एकटा फरिसी समूहके आदमीके घरमे
1एकटा यहूदी आदमीसिके विश्रामके दिनके दिन येशू फरिसी समूहके आदमीसिके कोनो एकटा अगुवाके घरमे खाना खैले गेलै। फरिसी समूहके आदमीसब ओकरपर ध्यानसे नजर राख्ले रहै, ताकी ओकरामे कोनो गल्ती खोजे सकै। 2ओत्ते एकटा आदमी रहै जकर हात आर पैर फुल्ल रहै। ऊ आदमी येशूके समनामे बैठ्ल रहै। 3येशू यहूदी धरमशास्त्रके पण्डितसब आर फरिसी समूहके आदमीसिके पुछल्कै, “यहूदी आदमीसिके विश्रामके दिनमे आदमीसिके रोग ठीक करैके अनुमति विधि-विधानमे छै, कि नैछै?” 4मगर ऊसब चुप रहलै। येशू उटा रोगीके शरीरमे हात राखिके रोग ठीक करिके भेजी देल्कै। 5तकरबाद येशू ओकरासिके कहैल्कै, “अगर तोरसिके ककरो बेटा-बेटी या गरु यहूदी आदमीसिके विश्रामके दिनमे एकटा इनारमे गिर्तै ते कि तुहेंसब ओकरा तुरन्ते नैनिकाल्भैं?” 6आर फेर ऊसब यी बातके जबाब दियैले नैसकल्कै।
7ओत्ते भोजमे ऐल मैजमानसिके सम्मानित आदमीसिके बैठेवाला जगह चुन्ल देखिके येशू ओकरासिके एकटा खिसा कहैल्कै: 8“जब कोय तोरासिके बिहाके भोजमे निमन्त्रण दैछौ ते तुहें सम्मानित आदमीसिके बैठेवाला जगहमे नैबैठ। कहिनेकी तोरासे बेसी सम्मानित आदमीसिके ऊ बिहाके भोजमे निमन्त्रण देल हैतै। 9ऊ बेसी सम्मानित आदमी ऐलके बाद तोरा निमन्त्रण दिएवाला आदमी आबिके तोरा कहतौ, ‘एकरा बैठैले यीटा जगह दहैं’ आर तोरा लज्जित भ्याके सबसे कम सम्मानित जगहमे बैठे पड्तौ। 10मगर जब तुहें निमन्त्रण पैभैं, जैके कम सम्मानित जगहमे बैठ आर तोरा निमन्त्रण दिएवाला आदमी आबिके तोरा कहतौ, ‘हे दोस्त, बेसी सम्मानित जगहमे जैके बैठ’ तखनी ओत्ते खैले बैठेवाला आदमीसिके समनामे तोर इज्जत बढ्तौ। 11कहिनेकी हरेक जे अपने आपके महान बनाबैछै, ऊ छोटका बनैल जैतै। आर जे अपने आपके छोटका बनैतै ऊ महान बनैल जैतै।”
12येशू अपने आपके निमन्त्रण दिएवाला फरिसी समूहके अगुवाके कहैल्कै, “तुहें भरौवा या सझौवाके भोज लगाबै बेरियाँ आपन संगी-साथीसब, भ्यासब, कुटुमसब आर मातबर पडोसीसिके खाली निमन्त्रण नैदहैं, नैते उहोसब बदलामे तोरा निमन्त्रण द्याके तुहें जे कैल्हैं छे तोरा वापस घुम्या देतौ। 13मगर तुहें जब भोज लगैभैं ते गरिब, लुल्ह, नेंग्ड आर अनराहसिके बोला। 14तब तुहें आशिष पैभैं, कहिनेकी ओकरा तुहें जे कैल्हैं छे तोरा वापस घुमाबैले नैसक्तौ। मगर जब धर्मी आदमीसब मुर्दासे जिन्दा हैतै ते, परमेश्वर तोरासिके एकर इनाम देतौ।”
विराट भोजके खिसा
(मत्ती २२:१-१०)
15येशूके बोल्लके बाद, येशूसंगे खैले बैठ्ल आदमीसिमेसे एकटा आदमी यी बात सुनिके ओकरा कहैल्कै, “ऊ धन्य छै, जे परमेश्वरके राज्यमे भोज खैले सामिल हैतै!” 16मगर येशू ओकरा कहैल्कै, “कोनो एकटा आदमी एकटा बडका भोजके तैय्यारी करिके बहुते आदमीसिके निमन्त्रण देल्कै। 17ऊ आपन नोकरसिके भोज खैके समयमे निमन्त्रण देल आदमीसिके एरं कहैले भेजल्कै, ‘भोजन खैले आब, कहिनेकी भोज तैय्यार छै।’ 18मगर ऊसब सभेकोय समान रुपसे एक्के बहाना बनैल्कै। एकझन ओकरा कहैल्कै, ‘हमे एकटा खेत किन्लियै छे, हमरा ऊ देखैले ज्या पड्तै। हमे बिन्ती करैछियौ, हमरा माफ करिहैं।’ 19तब दोसर झन कहैल्कै, ‘हमे पाँच जोडी हर बैल किन्लियै छे, हमे ऊ देखैले जैबै। हमे बिन्ती करैछियौ, हमरा माफ करिहैं।’ 20तेसर आदमी कहैल्कै, ‘हमे बिहा कैलियै छे। सेल्याके हमे नैआबे सक्बौ।’ 21तब नोकर वापस घुमिके आबिके आपन मालिकके सभे बात सुनैल्कै। तब मालिक गोस्याके आपन नोकरके कहैल्कै, ‘सहरके सडकके चौराहासिमे आर गल्लीसिमे जल्दी जो, आर गरिबसब, लुल्हासब, अनराहसब, नेंग्डासिके बोल्याके एत्ते भितर आन।’ 22तब नोकर फेर मालिकके कहैल्कै, ‘हे मालिक, जेरं तुहें कहेलह रहे तोर आज्ञा मुताबिक काम भेल छौं, मगर आरहौ जगह खाली छै।’ 23मालिक नोकरके कहैल्कै, ‘मूलसडकसब आर गल्लीसिमे जैके आदमीसिके भितर आबैले जिद कर, आर हमर घर भरै। 24कहिनेकी हमे तोरासिके कहैछियौ, सभैसे पहेला निमन्त्रण पैलमेसे कोय भी हमर भोजके स्वाद चाखैले नैपैतै।’”
के येशूके चेला बने सकैछै?
(मत्ती १०:३७-३८)
25एक दिन आदमीसिके बडका भीड येशूके संगमे जैते रहै, आर ऊ घुमिके ओकरासिके कहैल्कै, 26“अगर कोय हमरलगत आबैछै आर ऊसब तबतक हमर चेला नैबने सक्तै, जबतक ऊ आपन मयाँ-बाबु, पतनी, बेटा-बेटीसब, भ्या बहिनसिके आर आपन जानसे बेसी हमरा प्रेम नैकर्तै। 27जे आदमी हमर अनुसरण करैके लिए दुःख उठाबैले तैय्यार छै आर मरैके लिए भी तैय्यार छै ते, ऊ हमर चेला हुए सक्तै।
28यदि तोरासिमेसे कोय आदमी एकटा इमारत बनाबैके इच्छा करैछै ते, ऊ सबसे पहेला बैठिके यी बातके हिसाब कर्तै कि एकरा बनाबैमे कतनें खर्चा लाग्तै आर देख्तै कि ओकरलगत एकरा पुरा करैके लिए पर्याप्त पैसा छै कि नैछै। 29यदि ऊ एरं नैकर्तै ते ऊ आदमी जग शुरु करिके इमारत पुरा बनाबैले नैसक्तै आर देखेवाला सभे आदमीसब एरं कहिके ओकर मजाक उडैतै, 30‘यी आदमी इमारत बनाबैले शुरु ते कैल्कै मगर पुरा करैले नैसकल्कै।’ 31फेर, अगर एकटा राजा दश हजार आदमीसिके ल्याके दोसर राजाके संगे लडाई करैले निक्लैछै, जे बीस हजार आदमीसिके ल्याके ओकर विरोधमे ऐलै छे ते, सबसे पहेला ऊ सभाके संगे बैठिके उटा दोसर राजाके सामना करैके लिए शक्तिशाली छै कि नैछै कहिके फैसला करैछै। 32अगर ऊ नैसक्तै ते, ऊ दोसर राजाके दुरे से मिलापके शर्त पुछैले समाद दिएवाला पठैतै। 33सेल्याके तोरसिमेसे कोय आदमी आपन संगमे भेल सभे चीज नैत्यागतै ते, ऊ हमर चेला नैहुए सक्तै।
34नून एकटा आवश्यक चीज छै, अगर नूनके स्वाद नैरहतै ते तुहें ओकर स्वाद फेर केरंके वापस आन्भैं? 35ऊ नैते जमिनके लिए नैते खादके लिए काम लाग्तै। ऊ ते बाहार फेक्ल आर आदमीसिके पैरीके निच्चामे दाब्ल जैतै। आपनसिके संगे भी अहिने हुए सकैछै। जे कोय यी बातके सुने सकैछै जे हमे कहैछियै, ऊ यी बातके बुझैके कोशिश करक।”

Currently Selected:

लूका 14: KYVNT

Highlight

Share

Copy

None

Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in