YouVersion Logo
Search Icon

लूका 13

13
पाप करैले छोडिके परमेश्वरके तरफ मन लगा या मर
1उहे समयमे ओत्ते बहुते झन उपस्थित रहै, आर येशूके कहैल्कै कि, रोमी राज्यपाल पिलातस गालील जिलाके रहेवाला कुछु आदमीसिके खून कैल्कै रहे, जब ऊसब परमेश्वरके मन्दिरमे बलिदान चढैते रहै। 2तब येशू ओकरासिके जबाब देल्कै, “कि एरंके मार्ल ज्यावाला यी गालील जिलाके रहेवाला आदमीसब गालील जिलाके रहेवाला दोसर आदमीसिसे बेसी पापी रहै कहिके तुहेंसब सोचैछैं? 3हमे तोरासिके कहैछियौ, एरं नैछै मगर यदि तुहेंसब पाप करैले छोडिके परमेश्वरके तरफ मन नैलगैभैं ते तुहेंसब सभेकोय ओहिने करिके नाश हैभैं। 4आर ऊ अठार झनके विषयमे तुहेंसब कि कहभैं? जेसब तखनी मर्लै जब सिलोआमके मीनार ओकरसिके उप्परमे गिर्लै रहै। कि मरेवाला आदमीसब यरूशलेम सहरके दोसर आदमीसिसे बेसी पापी रहै? 5हमे तोरासिके कहैछियौ, एरं नैछै मगर यदि तुहेंसब पाप करैले छोडिके परमेश्वरके तरफ मन नैलगैभैं ते तुहेंसब सभेकोय ओहिने करिके नाश हैभैं।”
फल नैफरेवाला गाछ
6तकरबाद येशू यी खिसा कहैल्कै, “कोनो आदमी आपन अंगुरके बगानमे एकटा अन्जीरके गाछ रोपल्कै रहे। ऊ आदमी उटा गाछमे फल तोडैले सभे साल ऐलै मगर ऊ आदमी उटा गाछमे कुछु फल नैपैल्कै। 7तब ऊ आदमी मालीके कहैल्कै, ‘तीन साल भेलै, हमे यी अन्जीरके गाछमे फल खोजैछियै मगर नैपाबैछियै। एकरा काटिके फेकिदहैं, यी गाछ बढियाँ जमिनके बर्बाद करैछै।’ 8मगर माली कहैल्कै, ‘हे मालिक, एकरा आरहौ एक साल रहे दह। हमे एकर अगल-बगल कोडिके खाद-पानी देबै। 9यदि अगला साल फल फर्तै ते ठीक छै, नैते तुहें आपनहैं एकरा काटी दिह#१३:९ अन्जीरके गाछ इस्राएलीसिके प्रतिनिधित्व करैछै।।’ ”
कुब्डी जनानीके ठीक करना
10येशू यहूदी आदमीसिके विश्रामके दिनमे आदमीसिके एकटा यहूदी आदमीसिके सभाघरमे शिक्षा देते रहै। 11ओथै एकटा जनानी रहै जे अठार सालसे अपांग रहै, ऊ कुब्डी भेल रहै, आर आपनहैंसे सिधा हुऐले नैसकै। 12येशू ओकरा देखल्कै आर आपन लगत बोल्याके कहैल्कै, “हे नारी, तोरा यी बेमारीसे छुटकारा मिली गेलौ।” 13तब ऊ ओकरापर आपन हात राखल्कै, आर ऊ जनानी तुरन्ते सिधा भ्याके खडा भेलै आर परमेश्वरके जय-जयकार करे लाग्लै। 14तब यहूदी आदमीसिके सभाघरके मुखिया गोसैलै, कहिनेकी येशू यहूदी आदमीसिके विश्राम दिनमे ओकरा ठीक कैल्कै रहे। ऊ अधिकारी ओत्ते जमा भेल आदमीसिके कहे लाग्लै, “अपनासिके हप्तामे छ दिन काम करैके अनुमति छै। सेल्याके उहे दिनसिमे ठीक हुऐले या, यहूदी आदमीसिके विश्रामके दिनमे नै।” 15मगर प्रभु येशू जबाब देल्कै, “ढोंगीसब! के तोरसिमेसे यहूदी आदमीसिके विश्रामके दिनमे गुहालीसे आपन गरु या गधाके खोलीके पानी पिलाबैले नैल्याजैछै? 16यी जनानी, जे अब्राहमके सन्तान छै, जे अठार सालसे शैतान एकरा कुब्डी बनैले रहै, कि यहूदी आदमीसिके विश्रामके दिनमे एकरा आपन बन्धनसे आजाद होना नैरहै?” 17येशू यी बात कहेलके बाद ओकर विरोधीसब सभे लाजमे पड्लै, मगर ओकर कैल सभे अदभुद कामसिमे आदमीसब आनन्दित भेलै।
रायके दाना आर खमीरके खिसा
(मत्ती १३:३१-३३; मर्कू ४:३०-३२)
18तब येशू कहैल्कै, “परमेश्वरके राज्यके हमे कोन चीजसे तुलना करियै? 19परमेश्वरके राज्य धर्तीमे भेल सभे बिहनसिमेसे सभैसे छोटका बिहन रायके दानाके जुगुर छै। मगर जब ओकरा रोपैछै, तब उटा बढैछै, आर उटा सभे साग सब्जीमेसे बडका हैछै आर उटा गाछ बनी जैछै, आर आकाशके चिडियासब ओकर ठ्यारीके छायामे खोय्ता लगाबैछै।” 20येशू फेर कहैल्कै, “परमेश्वरके राज्यके हमे ककरसे तुलना करियै? 21परमेश्वरके राज्य ते खमीरके जेरं छै, जकरा कोनो जनानी तीन पसेरी अट्टामे सानल्कै आर हैते-हैते सभेटा अट्टा खमीरा भ्याजैछै।”
साँक्ड केबाड
(मत्ती ७:१३-१४,२२-२३; ८:११-१२)
22तब येशू सहर-सहर आर गाँव-गाँवसिमे चेलासिके संगे यात्रा कर्ते आर आदमीसिके शिक्षा देते यरूशलेम सहरमहर गेलै। 23कोय एकझन येशूके पुछल्कै, “हे प्रभु, कि परमेश्वर कुछु आदमीसिके खाली कहियो खतम नैहुएवाला सजायसे बचैतै?” 24मगर येशू ओकरासिके जबाब देल्कै, “परमेश्वरके राज्यमे साँक्ड केबाड द्याके प्रवेश करना मुश्किल छै, कहिनेकी हमे तोरासिके कहैछियौ कि बहुते आदमीसब प्रवेश करैके कोशिश कर्तै, मगर प्रवेश करैले नैसक्तै। 25जब परमेश्वर, जे घरके मालिक छै, उठिके केबाड बन्द कैलके बाद तुहेंसब बाहार खडा भ्याके एरं कहिके केबाड खटखटैभैं आर बिन्ती कर्भैं, ‘प्रभु, हमरसिके लिए केबाड खोल।’ मगर ऊ जबाब द्याके कहतै, ‘तुहेंसब के छैं आर कतेसे ऐल्हैं छे? हमे तोरासिके नैचिन्हैछियौ!’ 26तब तुहेंसब कहे लाग्भैं, ‘हमेसब तोरे समनामे खैलियै आर पिलियै, आर हमरासिके गल्लीमे तुहें शिक्षा देते रह।’ 27ऊ कहतै, हमे तोरासिके कहैछियौ, तुहेंसब कतेसे ऐल्हैं छे, हमे नैजानैछियौ। दुष्ट काम करेवालासब हमर लगतसे दूर भ्याजो। 28जब तुहेंसब अब्राहम, इसहाक, याकूब आर सभे परमेश्वरके वक्तासिके परमेश्वरके राज्यके भितरमे देख्भैं आर तुहेंसब खुदके बाहार फेक्ल पैभैं, तब तुहेंसब पिडासे दाँत किटते कान्भैं। 29तब पुरुब आर पच्छिमसे बहुते गैर-यहूदी आदमीसब आबिके परमेश्वरके राज्यके भोजमे बैठ्तै। 30देख, बहुते आदमीसब जे एखनी महान छै ओकरासिके तखनी विनम्र बनैल जैतै, आर बहुते आदमी जे एखनी विनम्र छै, ऊसब उटा समयमे महान बनी जैतै।”
यरूशलेम सहरके लिए येशू दुखित भेलै
(मत्ती २३:३७-३९)
31तखनिहैं कुछु फरिसी समूहके आदमीसब येशूके लगत आबिके कहैल्कै, “एत्तेसे निक्लीके कथौ दोसर जगहमे जा, कहिनेकी हेरोद राजा तोरा मारैले चाहैछौं।” 32येशू ओकरासिके कहैल्कै, “जैके ऊ आदमीके कह जे एकटा खटिहाके जुगुर चलाक छै, ‘देख, ऐज आर क्याल हमे भूतके भगैबै आर बेमारीसिके ठीक करेवाला काम कर्बै आर तेसर दिन हमे हमर काम पुरा कर्बै।’ 33तैय्योपर ऐज, क्याल आर पर्सु हमरा यात्रा करे पड्तै, कहिनेकी एकटा परमेश्वरके वक्ता खाली यरूशलेम सहरमे ही मार्ल जैतै।”
यरूशलेम सहरके लिए येशूके विलाप
(मत्ती २३:३७-३९)
34“हे यरूशलेम सहरके आदमीसब, हे यरूशलेम सहरके आदमीसब, तुहें ऊ परमेश्वरके वक्तासिके जान मारलहैं जे बहुते पहेलाके समयमे रहै आर ओकरासिपर पत्थल बरसैलहैं जकरा परमेश्वर तोरसिके लिए भेजल्कौ। जेरंके मुर्गी आपन बच्चासिके डेनके तरमे रखवाली करैछै ओहिने करिके कतनें बेर हमे तुहें इस्राएलीसिके रखवाली करैके इच्छा कैलियौ मगर तुहेंसब नैमान्लहैं। 35देख, तोर घर सुनसान भेल छौ। कहिनेकी हमे तोरासिके कहैछियौ, जबतक तुहें नैकहभैं कि,
‘परमेश्वरके अधिकारसे आबेवाला धन्यके छै’
तबतक तुहेंसब हमरा नैदेख्भैं।”

Currently Selected:

लूका 13: KYVNT

Highlight

Share

Copy

None

Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in