YouVersion Logo
Search Icon

लूका 11

11
येशू प्रार्थना करैले सिखैल्कै
(मत्ती ६:९-१३; ७:७-११)
1एक दिन येशू कोनो एक जगहमे प्रार्थना कर्ते रहै। ओकर प्रार्थना कैलके बाद चेलासिमेसे एकझन ओकरा आबिके कहैल्कै, “हे प्रभु! बप्तिस्मा दिएवाला यूहन्ना आपन चेलासिके सिखैल जेरं हम्रहौसिके प्रार्थना करैले सिखाब।”
2येशू ओकरासिके कहैल्कै, “तुहेंसब एरंके प्रार्थना कर:
‘हे परमेश्वर पिता तोर नाम पवित्र कैल जहौं, तोर राज्य आभौं।
3हमरसिके रोजके खाना हमरासिके सभे दिन द्या।
4हमरसिके पापसिके माफ करि द्या, कहिनेकी हम्हुँसब हमरसिके विरुद्धमे पाप करेवालासिके माफ करैछियै।
हमरासिके पापमे फसाबेवाला बातसे दूर राख।’ ”
5तब येशू चेलासिके कहैल्कै, “मानीले कि तुहें आधा रातमे एकटा दोस्तके घरमे गेल्हैं, आर तीनटा रोटी पहिंच लियैले चाहैछैं। तुहें ओकरा कहैछैं, ‘हमर एकटा दोस्त एखन भेट करैले ऐलै छे, आर हमरलगत ओकरा खुवाबैके लिए कुछु भी नैछै। 6कहिनेकी हमर एकटा दोस्त दूरसे सफर करिके हमरकते ऐलै छे, मगर ओकरा खैले दियैले हमरलगत कुछु नैछै।’ 7ऊ घरके भितरसे जबाब देल्कै, ‘हमरा नै जगा, आब केबाड बन्द भ्यागेलै छे आर हमर बेटा-बेटीसब हमर संगमे बिछनामे छै। हमे उठिके तोरा कुछु नै दिए सक्बौ।’ 8हमे तोरासिके कहैछियौ, दोस्तीके नातासे ऊ उठिके ओकरा कुछु नै भी देतै ते, यदि ऊ खेखनी करिके माँगते रहतै ते ऊ उठिके ओकरा जतनें जरुरत छै सभे चीज देतै। 9हमे तोरासिके कहैछियौ, माँग ते तोरासिके देल जैतौ, खोज ते तोरासिके मिल्तौ, ढक्ढका ते तोरसिके लिए उघार्ल जैतौ। 10कहिनेकी जे माँग्तै, ऊ पैतै, जे खोज्तै, ओकरा मिल्तै, जे ढक्ढकैतै, ओकर लिए केबाड खोल्ल जैतै। 11अगर तोर बेटा तोरासे रोटी माँग्तौ ते कि तोरसिमेसे कोय ओकरा पत्थल देभैं? अगर तोर बेटा तोरासे माछ माँग्तौ ते कि तोरसिमेसे कोय ओकरा साँप देभैं? जरुर तुहेंसब नैदेभैं। 12या डिम्मा माँग्तै ते ओकरा बिच्छु देतै? 13यदि तुहेंसब दुष्ट भ्याके भी आपन बेटा-बेटीसिके बढियाँ चीज दिए जानैछैं ते, स्वर्गमे भेल तोरसिके परमेश्वर पिता ओकरसे माँगेवालासिके कतनें बेसी करिके पवित्र आत्मा देतै।”
येशू आर भूत
(मत्ती १२:२२-३०,४३-४५; मर्कू ३:२०-२७)
14एकटा आदमीके भूत बौक बनैल्कै रहे। आर येशू ऊ आदमीके लाग्ल भूत निकाल्लके बाद ऊ बौक आदमी बोले लाग्लै आर यी देखिके आदमीसब आश्चर्य-चकित भ्यागेलै। 15मगर ओकरसिमेसे कोय-कोय कहैल्कै, “भूतसिके मालिक शैतानके सहायतासे ऊ भूतसिके निकालैछै।” 16कतनें आदमीसब येशूके फसाबैले चहते रहै, सेल्याके ऊसब येशूके स्वर्गसे एकटा चमत्कार करैले कहैल्कै कि परमेश्वर आपन अधिकार येशूके देल्कै छे, यी देखाबैके लिए। 17मगर ओकरसिके विचार मालुम करिके येशू ओकरासिके कहैल्कै, “अगर एकटा देशके आदमीसब एक दोसरासे ही लड्ते रहतै ते, ऊसब ढेर दिनतक नैटिके सक्तै। अहिने करिके एक्केटा परिवारके आदमीसब एक दोसराके विरुद्धमे फुट राख्तै ते, उटा परिवार एक्केसंगे नैरहे सक्तै। 18ओहिने करिके अगर शैतान आपन विरोध आपनहैं कर्तै ते ओकर राज्य केरंके टिके सक्तै? तुहेंसब हमर विषयमे कहैछैं कि, हमे शैतानके सहायतासे भूतसिके निकालैछियै। 19अगर हमे शैतानके शक्तिसे भूत निकालैछियै ते, तोरसिके चेलासब ककर शक्तिसे भूत निकालैछौ? ओरं छै ते तोर अपने चेलासब ही तोरसिके फैसला कर्तौ। 20मगर यदि हमे परमेश्वरके शक्तिसे भूतसब निकालैछियै ते परमेश्वरके राज्य तोरसिके बीचमे ऐल छौ कहिके तुहेंसब जाने सकैछैं। 21हतियारसे सुसज्जित हैल बलवान आदमी आपन घरके रक्षा करैछै ते, ऊ आदमीके मालसमान सुरक्षित रहैछै। 22मगर ओकरसे बलवान आदमी आबिके ओकर उप्परमे आक्रमण करिके ओकरा जिती लेतै ते, ऊ आदमी ओकर सभेटा हातहतियारसब आर मालसमानसब छिनिके ल्याजैतै आर ओकर मालसमानसब लुटिके बाँट्तै। 23जे हमर संगमे नैछै, ऊ हमर विरुद्धमे छै, आर जे हमरसंगे नैसम्टैछै, ऊ छिटैछै।”
24“जब कोनो आदमीसे भूत निक्लीके जैछै, ऊ विश्राम खोज्ते सुख्खा जगह महर घुमैछै, मगर कथौ नैपाबैछै। तब ऊ भूत अपने आपसे कहैछै, जे आदमीसे हमे निक्लीके ऐलियै छे, उहे आदमीमे हमे घुमिके वापस जैबै। 25जब ऊ भूत घुमिके वापस आबैछै, ऊ आदमीके जीवनके उटा घर जुगुर पाबैछै जकरा साफ सुथरा कैल, सज्याके राख्ल मगर खाली राख्ल छै। 26तब ऊ भूत जैछै आर आपनसे बेसी आरहौ सातटा भूत आपन संगमे आनैछै आर ऊ आदमीके भितर ढुकिके ऊ भूतसब ओत्ते बास करैछै, आर ऊ आदमीके दशा पहेलासे आरहौ खराब हैछै।” 27येशू जब यी सभे बात बोल्तहैं रहै, भीडसे एकटा जनानी जोरसे कहैल्कै, “धन्य छै ऊ जनानी जे तोरा जनम देल्कै आर आपन दूध खुवैल्कै।” 28मगर येशू कहैल्कै, “धन्य छै ऊसब, जे परमेश्वरके वचन सुनैछै आर पालन करैछै।”
योनाके चिन्ह
(मत्ती १२:३८-४२)
29जब आदमीसिके भीड जमा हैले गेलै, तब येशू कहैल्कै, “ऐज-क्यालके आदमीसब कतनें खराब आर व्यबिचारी छै! यी आदमीसब शक्तिशाली चमत्कार देखैले चाहैछै, मगर परमेश्वरके वक्ता योनाके चिन्हके सिवाय यी आदमीसब आर कोनो चमत्कार देखैले नैपैतै।” 30जेरंके योना निनवे सहरके आदमीसिके लिए चिन्ह भेलै, ओहिने करिके हमे, आदमीके बेटा भी यी पिढीके आदमीसिके लिए चिन्ह हैबै। 31दक्षिणके शेबा देशके महारानी न्यायके दिनमे खडा भ्याके यी पिढीके आदमीसिके दोष लगैतै, कहिनेकी ऊ धर्तीके एक कोनसे सुलेमान राजाके बुद्धिके बात सुनैले बहुते दूरसे ऐलै। देख्, सुलेमान राजासे भी महान कोय एत्ते छै। मगर तुहेंसब पाप करैले छोडिके परमेश्वरके तरफ मन लगाबैले इन्कार करैछैं। 32निनवे सहरके आदमीसब न्यायके दिनमे खडा भ्याके यी पिढीके आदमीसिके दोषी ठहरैतै, कहिनेकी ऊसब योनाके कैल प्रचारमे पाप करैले छोडिके परमेश्वरके तरफ मन लगैल्कै रहे। देख्, योनासे भी महान कोय एत्ते छै। मगर तुहेंसब पाप करैले छोडिके परमेश्वरके तरफ मन लगाबैले इन्कार करैछैं।
शरीरके उजेत
(मत्ती ५:१५; ६:२२-२३)
33कोय भी चिराग बारिके ओकरा ढाकी या चौकीके तरमे नैराखैछै, मगर घरके भितरमे आबेवालासिके उजेत है, कहिके लबनामे राखैछै। 34तोर आँख शरीरके लिए उजेतके जुगुर छै। आँख साफ छै ते पुरा शरीर ओकर उजेतसे फैदा उठाबैछै। मगर यदि आँख धुनरह छै ते ओकर अनहारके कारणसे पुरा शरीर तकलीफ पाबैछै। 35सेल्याके होशियार र, तोरामे हैल उजेत अनहार नैहौ। 36“अगर तोरसिके सारा शरीर उजेतसे पुरा छौ ते, आर कोनो भाग अनहार नैछै ते ऊसब उजेत हैतै जेरंके चिरागके रोशनी तोरासिके उजेत दैछौ।”
यहूदी धरमशास्त्रके पण्डित आर फरिसी समूहके आदमीसिके भयानक हैतै
(मत्ती २३:१-३६; मर्कू १२:३८-४०)
37येशू यी बात कहेलके बाद, एकटा फरिसी समूहके आदमी ओकरा भोजनके लिए निमन्त्रण देल्कै। सेल्याके येशू ओकर घरमे जैके भोजन खैले बैठ्लै। 38मगर खैसे पहेला येशूके हात नैधोयते देखिके फरिसी समूहके आदमीसब चकित भेलै। 39मगर प्रभु ओकरासिके कहैल्कै, “तुहें फरिसी समूहके आदमीसब बाटी आर थारी बाहारसे माजैछैं, मगर तोरसिके भितर ते लोभ आर दुष्टतासे भर्ल छौ। 40अरे निर्बुद्धि आदमीसब कि तुहेंसब नैबुझैछैं? कि बाहारके रुप बनाबेवाला परमेश्वर भितरके मन भी नैबनैल्कै छे? 41इहे ल्याके तुहेंसब गरिब-कंगालसिके दान द्याके आपन भितरके भागके शुद्ध करि ले, तब तुहेंसब पुरा तरहसे शुद्ध भ्या जैभैं।”
42“मगर तुहें फरिसी समूहके आदमीसिके बहुते भयानक हैतौ! कहिनेकी तुहेंसब पुदिना, जिरा आर सभे जडीबुटीके दशांश दैछैं। मगर न्याय आर परमेश्वरके प्रेम करेवाला बातके कोनो वास्ता नैकरैछैं। तोरासिके दशांश देना रहौ मगर यी अन्य महत्वपूर्ण विषयसिके बेवास्ता नैकरना रहौ।” 43“तुहें फरिसी समूहके आदमीसिके बहुते भयानक हैतौ! कहिनेकी तुहेंसब यहूदी आदमीसिके सभाघरसिमे खास आसन आर बजारसिमे अभिवादन लियैके इच्छा करैछैं।” 44“तोरासिके बहुते भयानक हैतौ! कहिनेकी, तुहेंसब ओरं छैं, जेरं कि खेतमे दिखाई नैदिएवाला सारा हैछै जकर उप्पर द्याके अन्जानमे आदमीसब लरैछै।”
45यहूदी धरमशास्त्रके पण्डितसिमेसे एकझन येशूके कहैल्कै, “गुरुजी यी बात करिके तुहें ते हमरोसिके बेज्जत करैछ।” 46येशू जबाब देल्कै, “तुहें यहूदी धरमशास्त्रके पण्डितसिके भी बहुते भयानक हैतौ! तुहेंसब सभे किसिमके नियम कानून बनाबैछैं जे पालन करैले आदमीसिके लिए कठिन हैछै। मगर तुहेंसब खुद ही नियम कानूनसिके पालन करैके कोशिश भी नैकरैछैं।” 47“तोरसिके लिए यी बहुते भयानक हैतौ! कहिनेकी तुहेंसब तोरसिके पूर्वजसिके द्वारा जान मार्ल गेल परमेश्वरके वक्तासिके सारापर मकबरा बनाबैछैं।” 48एरंके तुहेंसब यी बातके स्पष्ट करैछैं कि तुहेंसब आपन पूर्वजसिके कैल काममे सहमत छैं। कहिनेकी ऊसब ते परमेश्वरके वक्तासिके हत्या कैल्कौ रहे आर तुहेंसब ओकरसिके सारापर मकबरा बनाबैछैं। 49सेल्याके परमेश्वरके बुद्धि कहैछै, “हमे तोरसिकेलगत परमेश्वरके वक्तासब आर सन्देशवाहकसब भेज्बौ, मगर ऊसब ओकरासिमेसे ककरो जान मार्तै आर कक्रहौ सतैतै। 50सेल्याके संसारके शुरुआतसे ल्याके ऐजतक जतनें परमेश्वरके वक्तासिके खूनके बहैल गेलै छे, ऊ सभैके लेखा इहे पिढीके आदमीसिसे लेल जैतै, 51हमे तोरासिके सच कहैछियौ हाबिलके हत्यासे ल्याके परमेश्वरके मन्दिरके बलि-वेदीके बीचमे हत्या कैल गेल जकरियाके खूनके हिसाब इहे पिढीके आदमीसिसे लेल जैतै। 52तुहें यहूदी धरमशास्त्रके पण्डितसिके बहुते भयानक हैतौ! तोरसिकेलगत ज्ञान आर बुद्धिके केबाड खोलेवाला चाभी छौ। मगर तुहेंसब अपना भी भितर प्रवेश नैकैल्हैं छे आर दोसर ढुके चाहेवालासिके भी भितर ढुकैले नैदेल्हैं छे।” 53जब ऊ ओत्तेसे निकल्लै, तब यहूदी धरमशास्त्रके पण्डितसब आर फरिसी समूहके आदमीसब ओकर घोर विरोध कर्ते बहुते विषयसिमे ओकरा सवाल करे लाग्लै, 54आर ऊ जबाब दियै बेरियाँ ओकरा दोष लगाबैले कथौ कोनो भूल पैबै कि कहिके ऊसब दावमे रहै।

Currently Selected:

लूका 11: KYVNT

Highlight

Share

Copy

None

Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in