मरकुस 8
8
येसु चार हजार लोकसबके खियाइल्कै
(मती १५:३२-३९)
1ओहै समय दिसन फेनो लोकसबके बहौत बरका भिर जम्मा भेलै, महज ओइसबसङे खाइके लेल कुछो नै छेलै। तब येसु आपन चेलासबके बोलाके कहल्कै, 2“यि लोकसबके देखके हमरा दया लागल, कथिलेत तिन दिनसे उसब हमरसङे छै महज उसबसङे खाइबला कुछो नै छै। 3अगर यि सबके भुखले घर पठेबै त यीसब रस्तेमे बेहोस हेतै कथिलेत उसबमेसे कोइ-कोइ बहुत दुरसे एलछै।” 4ओकर चेलासब कहल्कै, “यि उजार जगहमे कतेसे यि बहुत लोकसबके लेल खाइबला चिज आन्बै?” 5तब येसु चेलासबके पुछल्कै, “तोरासबसङे क्याटा रोटी छौ?” उसब कहल्कै, “सातटा।”
6तकरबाद येसु लोकसबके भुइयामे बैठैले आदेस देल्कै आ सातटा रोटी ल्याके परमेस्वरके धन्यबाद चरहेल्कै आ रोटी तोइरके लोकसबके बाइट दहै कैहके चेलासबके देल्कै तब चेलासब सब लोकसबके बाइट देल्कै। 7उसबसङे कन्की-कन्की माछोसब छेलै। येसु माछोसबके लेल धन्यबाद द्याके लोकसबके बाइट दैकेलेल चेलासबके लगेल्कै। 8सबकोइ अग्हा अग्हाके खेल्कै आ उगरल रोटीके टुकरा-टाकरीसब सात चङेरा भरल्कै। 9ओते चार हजार खाइबला लोकसब छेलै। तकरबाद येसु ओकरासबके बिदाह करल्कै। 10तब उ तुरन्त आपन चेलासबसङे नाहमे चहैरके दलमनुथा इलाकामे गेलै।
फरिसीसब येसुसे चेन्हा माङ करल्कै
(मती १६:१-४)
11फरिसीसब आइबके येसुसे बहस करे लाग्लै। उसब येसुके जाचैले स्वरगसे एकटा चेन्हा माङल्कै। 12तब येसु दिक मानैत लम्बा साँस लैत कहल्कै, “कथिले अइ पुस्ताके लोकसब चेन्हा खोजैछै? साच्चे हम तोरासबके कहैचियौ, अइ पुस्ताके लोकसबके कोनो चेन्हा नै देलजेतै।” 13तब ओकरासबके छोइरके उ फेनो नाहमे चहैरके ओइपार गेलै।
फरिसीसबके आ हेरोदके खमिर
(मती १६:५-१२)
14येसुके चेलासब खाइबला चिज ल्याके जाइले बिसैर गेलछेलै आ उसबसङे एकटा रोटी मातरे छेलै। 15तब येसु आपन चेलासबके चेताबनी दैत कहल्कै, “तुसब फरिसीसब आ हेरोदके खमिरसे होसियार रह।” 16“अपनासबसङे रोटी नै भेलाके कारन येसु एहेन कैहरहल छौ कि” कैहके आपसमे बातचित करे लाग्लै। 17येसु ओकरासबके मनके बात बुइझके कहल्कै, “तोरासबसङे रोटी नै छौ कैहके कथिले आपसमे बहस करैचिही? अखुनो तक तुसब अबुझेचिही? कि तोरासबके मन कठोरे छौ? 18तोरासबसङे आँख छौ तैयो नै देखैचिही? कान छौ तैयो नै सुनैचिही? कि तोरासबके याद नै छौ? 19जब कि हम पाँच रोटीसे पाँच हजार लोकसबके लेल खियाइने छेलियै तब ओते क्या चङेरा रोटी उबरल छेलौ?” उसब जबाफ देल्कै, “बारह।” 20“आ सात रोटीसे चार हजार लोकसबके लेल तोरने छेलियै त क्या चङेरा उबरल छेलौ?” तब उसब जबाफ देल्कै, “सात।” 21तब येसु फेनो उसबके पुछल्कै, “कि तुसब अखनियोतक नै बुझैचिही?”
बेथसेदाके आन्हर लोक निक भेलै
22तकरबाद येसु आ ओकर चेलासब बेथसेदामे एलै। ओते लोकसब एकटा आन्हर लोकके येसु लग आनल्कै आ अकरा छुइबके निक कैरदिय कैहके ओकरसे बिन्ती करल्कै। 23तब येसु उ आन्हर लोकके हाथ पकैरके गामसे बाहर ल्यागेलै आ ओकर आँखमे थुक लगाके आपन हाथ ओकर उपर राखैत कहल्कै, “कि तोहे कुछो देखैचिही?” 24तब उ उपर माथे ताकैत कहल्कै, “हँ, हम लोकसबके देखैचियै, महज उसब गाछसब नहाइत चैल रहल देखैचियै।” 25येसु फेनो ओकर आँखमे आपन हाथ राखल्कै आ उ एकटक लग्याके ताकल्कै। तब ओकर आँखमे रोसनी एलै आ उ फेनो निकसे देखे लाग्लै। 26तकरबाद येसु ओकरा गाम दिसन नै ज्याके घर जाइले आग्या देल्कै।
येसु के चियै?
(मती १६:१३-२०, लुका ९:१८-२१)
27तब येसु आपन चेलासबसङे कैसरिया फिलिप्पी इलाकाके गामसबमे गेलै। रस्तामे चलै बखत येसु चेलासबके पुछल्कै, “लोकसब हमरा हम के चियै कैहके कहैछै?” 28चेलासब कहल्कै, “कोइ बप्तिस्मा दैबला युहन्ना कहैछै, औरोसब एलिया कहैछै आ कोइ-कोइ अगमबक्तासबमेसे एक गोरे चियै कहैछै।” 29तब येसु उसबके पुछल्कै, “महज तुसब हमरा के चियै कहैचिही त?” पतरुस जबाफ देल्कै, “अहाँ त खिरिस्ट चियै।” 30तब येसु उसबके यि बात ककरो नै कहिहे से आग्या देल्कै।
आपन मिरतुके बारेमे येसुके भबिसबानी
(मती १६:२१-२३, लुका ९:२२)
31तब येसु आपन चेलासबके एहेन सिक्छा दैले लाग्लै, “मानब बेटाके बहुत दुख भोगैले परतै आ उ अगुवासबसे, मुल पुजारीसबसे आ धरमगुरुसबसे इन्कार हेतै, मारल जेतै आ तेसर दिनमे फेनो जिके उठतै।” 32से बात खोइलके येसु आपन चेलासबके कहल्कै। महज यि सुइनके पतरुस ओकरा एक कातमे लज्याके हपारल्कै। 33महज येसु चेलासब दिसन घुइमके ताकैत पतरुसके फटकारल्कै, “ए सैतान, हमरसे दुर चैल जो, कथिलेत तोहर मन परमेस्वर दिसन नै महज लोकसबके खराब स्वभाब जखा छौ।”
चेलासबके त्याग
(मती १६:२४-२८, लुका ९:२३-२७)
34तब येसु आपन चेलासबके साथमे एल भिरके कहल्कै, “कोइ हमर पछा आबैले चाहैछै त उ आपन मनके मारौक आ आपन कुरूस बोइकके#८:३४ कुरूस बोइकके- कुरूस बोकनाइके अरथ चियै जे कोनो लोक हेबे दुख भोगैके आ येसुके कोनोभी कारनके लेल आपन परान तक दैके चियै। हमर पछा लागे। 35कथिलेत जे आपन परान बचाइले चाहैछै, उ गुमाइतै, महज जे हमर लेल आपन परान गुमाइछै, उ आपन परान बचाइतै। 36कथिलेत सरा सन्सार हथियाके आपनेके नास करतै त ओकरा कथी फैदा हेतै? 37या लोक आपन परानके बदला कथी दैले सक्तै? 38अइ पापी आ दुस्ट पुस्तामे जे हमर आ हमर बचनसे लाज मान्तै त मानबके बेटा आपन पिताके महिमामे पबितर स्वरगदुतसबसङे आबैतखिना ओकरसे लाज मान्तै।”
Currently Selected:
मरकुस 8: MTH
Highlight
Share
Copy

Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in
© 2024 (Active), Wycliffe Bible Translators, Inc. All rights reserved.