मरकुस 7
7
पिता-पुरखाके रितिरिबाज
(मती १५:१-२०)
1तब कुछ फरिसीसब आ धरमगुरुसब यरुसलेमसे येसुके भेटैले एलै। 2तखुन्ते येसुके कुछ चेलासब असुध हाथ, अरथात नै धुवाल हाथसे भोजन करैत उसब देखल्कै। 3कथिलेत सब यहुदीसब आ फरिसीसब आपन पिता-पुरखासे चलैत आइबरहल परम्परा अनुसार बिना हाथ धोइबके नै खाइछेलै। 4बजारसे एलाकेबाद अस्लान कैरके मातरे खाइछेलै। अतबे नै, औरो परम्परासब: थारी-बाटी, लोटा, भाड़-कुड़सब धोवेबला चलन छेलै।
5तैल्याके फरिसीसब आ धरमगुरुसब येसुके पुछल्कै, “अहाँके चेलासब कथिले पिता-पुरखाके नियममे नै चलैए, उसब त खाइसे पैहने हाथो नै धुवाबैये?” 6येसु उसबके जबाफ देल्कै, “ए कपटीसब, यसैया अगमबक्ता तोरासबके बारेमे ठिके अगमबानी करने छेलौ,
‘यि जाती हमरा आपन मुहसे मातर आदर करैछै, महज उसबके हिरदय हमरसे दुर छै।
7 उसब बेकारमे हमर आराधना करैछै, महज उसबके सिक्छा लोकसबके बन्याल नियम मातरे चियै।’ 8तुसब परमेस्वरके आग्या छोइरके लोकसबके बन्याल चलन मानैचिही।”
9येसु फेनो उसबके कहल्कै, “तुसब आपन रितिरिबाजके लेल कतेक चलाकिसे परमेस्वरके आग्यासब इन्कार करैचिही। 10मोसा कहनेछै, ‘आपन माँ-बाबुके आदर कर आ जे आपन बाबु-माँ के बिरुधमे नै निक बात बोल्तै उ मारल जेतै।’ 11महज तुसब कहैचिही कि, यदी कोनो लोक आपन बाबु-माँ के कहैछै ‘जे कुछ हमरसे मदत अहाँसबके मिलत उ हमर त्याग#७:११ त्याग- त्यागके साब्दिक अरथ हिबरु भसामे कुरबान चियै जै के मतलब परमेस्वरके चरह्याल। चियौ’ (अरथात परमेस्वरके चरह्याल) 12आ तुसब ओकरा आपन माँ-बाबुके लेल कुछो करैले नै दैचिही। 13एहिनङ तुसब आपन रितिरिबाजके बचाके राखैचिही महज परमेस्वरके बचनके बेकम्मा सम्झैचिही आ एहिनङ बहुत काम तुसब करैचिही।”
सुध आ असुध
(मती १५:१०-२०)
14येसु फेनो लोकसबके बोल्याके कहल्कै, “तुसब सबकोइ हमर बात सुन आ बुझ। 15कोनो एहेन चिज नै छै जे लोकके मुहसे ख्याल कोनोभी चिजसे ओकरा असुध करैछै महज लोकसे बाहर निकलैबला बातसबसे ओकरा असुध करैछै। 16जकरा सुनैबला कान छौ उ धियानसे सुन!”
17ओइ लोकसबके छोइरके येसु घर भितर गेलै आ चेलासब यि बातके अरथ कथी चियै से पुछल्कै। 18येसु ओकरासबके कहल्कै, “अखुनतक तुसब अबुझेचिही? जे बाहरसे लोक भितरमे ढुकैछै, उ ओकरा असुध नै करैछै से तुसब नै जानैचिही? 19उ त ओकर हिरदयमे नै महज पेटमे ज्याके बाहर निकैल जाइछै।” (अहिनङे येसु सब खाइबला खानाके सुध चियै कैहके समझेल्कै।)
20तब येसु फेनो कहल्कै, “लोकके मन भितरसे जे बाहर निक्लैछै उ बातसे लोकके असुध करैछै। 21कथिलेत सब परकारके नै निक बातसब मनके भितरसे खराब बिचार, अनैतिक समबन्ध, चोरी, हतिया, बेबिचार 22लोभ, दुस्मनी, छल-कपट, निरलज, रिस-डाह, निन्दा, घमन्ड, मुरखता निक्लैछै। 23यि सब दुस्ट बातसब मनके भितरसे निक्लैछै आ लोकके असुध कैरदैछै।”
जनिके बिस्बास
(मती १५:२१-२८)
24तकरबाद येसु ओइ ठामसे टुरोस आ सिदोन सहरके इलाका दिसन गेलै आ कोइगोरे थाह नै पाबे कैहके उ चाहैछेलै। एक गोरेके घरमे ज्याके रहलै। महज उ घोसैरके रहैले नै सक्लै। 25ओहै बखत एकटा जनी जकर बेटीके भुत लागल छेलै उ येसुके बारेमे सुनल्कै तब उ आइबके ओकर लाग ठेङहुनिया द्याके बैठलै। 26उ सिरिया देसके फोनिके इलाकाके एक गिरिक जनी छेलै। उ जनी आपन बेटीसे भुत आत्मा निकाइल दिय कैहके ओकरसे बिन्ती करल्कै। 27महज येसु ओकरा कहल्कै, “पहिने आपन धियापुतासबके खाइले दहै, धियापुतासबके#७:२७ धियापुतासब- यीसब यहुदीसब चियै। कुता: ओइ समयमे यहुदीसब केना गैर-यहुदीसबके चाल करै। महज अते येसु ओइ जनिके कहल्कै कि पहिने यहुदीसबके सहायता कर। रोटी कुतासबके फेक देनाइ उचित नै चियै।” 28उ जनी कहल्कै, “साच्चे परभु, महज कुतोसब त धियापुतासबके टेबुलमेसे खसल टुकरा-टुकरीसब खाइछै।” 29यि बात सुइनके येसु ओकरा कहल्कै, “तुहे ठिक कहलिही, आपन घर जो, तोहर बेटीसे भुत आत्मा निकैल गेलछौ।” 30जब उ घर घुइमके गेलै तब बेटीके चौकीमे सुतल देखल्कै आ ओकरसे भुत आत्मा निकैल गेलछेलै।
येसु बैहरा आ बौकाके निक करल्कै
31तब येसु टुरोस इलाकासे निकैलके सिदोन रस्ता हैत डेकापोलिस इलाकाके गालिल तालमे गेलै। 32ओते लोकसब एकटा बैहरा आ बौकासबके ओकरलग आनल्कै आ ओइसबके उपर आपन हाथ राइखके निक कैरदिय कैहके बिन्ती करल्कै। 33येसु ओकरा भिरसे कन्हिक दुर ल्यागेलै आ ओकर कानमे आपन औङरी राखल्कै आ आपन थुक ओकर जीहमे लग्या देल्कै। 34तब स्वरग दिसन ताकैत उ लम्बा साँस ल्याके कहल्कै, “इफाता#७:३४ इफाता- यि अरामिक सब्द छै, यि भसा इजराएलमे येसुके समयमे बोलैछेलै।” अरथात “खुइलजो!” 35तखुन्ते ओकर कान सुने लाग्लै, बाक फुटलै आ सुध बोले लाग्लै। 36येसु यि घटनाके बात ककरो नै कहिहे कैहके आग्या करल्कै महज जतेक मना करल्कै ततेक लोकसब परचार करैत गेलै। 37लोकसब एकदम आस्चरजमे परलै आ कहेलाग्लै, “उ त सबकाम बहुत निकसे करैछै। उ त बैहराके सुनैबला आ बौकाके बोलैबला बनाइछै।”
Currently Selected:
मरकुस 7: MTH
Highlight
Share
Copy

Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in
© 2024 (Active), Wycliffe Bible Translators, Inc. All rights reserved.