YouVersion Logo
Search Icon

लुका 5

5
येसुके पहिन्‍का चेलासब
(मती ४:१८-२२, मरकुस १:१६-२०, युहन्‍ना १:४०-४२)
1एक दिन लोकसब परमेस्‍वरके बचन सुनैले येसुके चारुदिसन भिर लागल छेलै। उ गनेसरेत दहके#५:१दह- गैहर जगहमे पानी जमल ठाम बान्‍हमे ठार भेलरहै। 2येसु दहके बान्‍हमे दुइटा नाह#५:२नाह- मछबरीयासबके माछ मारैले परयोग करेबाला एकटा साधन, लोकसब पानीमे पार करैबला साधन। देखल्‍कै, मछबरीयासब नाहके छोइरके जालसब धुवाइत रहै। 3तै मेसे एकटा नाह सिमोनके रहै। येसु सिमोनके नाहमे चहरलै आ कहल्‍कै, “नाह कन्‍हिक अगा दिसन ल्‍याचल।” तब नाहेमे बैठके लोकसबके सिक्‍छा देबे लाग्‍लै।
4येसु बोइललेलाके बाद सिमोनके कहल्‍कै, “नाहके गैहर दिसरा ल्‍याचल आ जालसब फेक।” 5तब सिमोन येसुके कहल्‍कै, महज “गुरु जी, हमरासब रातभर जालसब फेकलियै महज एकोटा माछ नै परलै। तैयो अहाँ कहैचियै त हम जाल फेकैचियै।” 6जब उसब जाल फेकल्‍कै तब बहौतरा माछ परलै आ ओकरासबके जालसब फाटे लाग्‍लै। 7उसब दोसर नाहके सझियारसबके आइबके मदत करैले इसरा करल्‍कै। उसब आइबके दुनु नाह माछसे भरल्‍कै तै भारीसे नाहसब डुबेलाग्‍लै। 8तब यि देखके येसुके टाङमे ठेङहुनिया दैत गोर लाइगके सिमोन पतरुस कहल्‍कै, “हे परभु हमर लगसे दुर चैलजो कथिलेत हम पापी चियै।” 9सिमोन आ ओकर सङि-साथीसब बहुतरा माछ पकरने देखके छक्‍के परलै। 10सिमोन सङे-सङे सझियारमे काम करैबला जब्‍दियाके बेटासब याकुब आ युहन्‍ना ओहो छक्‍के परलै। येसु सिमोनके कहल्‍कै, “नै डेरा, आबसे तु माछ नै महज लोकसबके पकैरके हमरलग आनबिही।” 11जब उसब नाहसबके कातमे आनल्‍कै तब सबचिज छोइरके येसुके पछा लाग्‍लै।
कोढि-कुस्‍टी लागल लोक
(मती ८:१-४, मरकुस १:४०-४५)
12एक दिन येसु एकटा सहरमे रहै तै बखत एकटा कोढि-कुस्‍टीसे भरल लोक येसुके देखके भितरी मनसे बिन्‍ती करल्‍कै आ कहल्‍कै, “हे परभु, अहाँ चाहबै त हमरा कोढि-कुस्‍टीसे निक कैरसकैचियै।” 13येसु ओकर उपरमे हाथ राइखके कहल्‍कै, “हम चाहैचियौ। तु निक भ्‍याजो।” तखुन्‍ते कोढि-कुस्‍टी लागल लोक निक भेलै। 14तब येसु ओइ लोकके कहल्‍कै, “यि बात तु ककरो नै कहिहे, महज ज्‍याके पुजारीके देखा तब मोसाके नियम अनुसार लोकसब निक भेलै परमान देखाइके लेल भेटी चरहा।”
15तै दिनसे येसुके चरचा औरो चारुदिसन हेबे लाग्‍लै तब बहुतसे बहुत लोकसबके भिर येसुके बात सुनैले, आपन-आपन रोग-बिमारसे निक हैले आवेलाग्‍लै। 16महज येसु भिरसे अलग भ्‍याके परथना करैले सुनसान जगहमे जाइ छेलै।
येसु लकबा मारलके निक करल्‍कै
(मती ९:१-८, मरकुस २:१-१२)
17एक दिन येसु लोकसबके सिक्‍छा दैत रहै तै जगह गालिल आ यहुदियाके सब गाम, यरुसलेमसे ऐल्‍हा फरिसीसब आ यहुदी सास्‍तरीसब लगमे बैठल छेलै। बिमारीसबके निक करैबला परभु परमेस्‍वरके सक्‍ती येसुके साथमे छेलै। 18लोकसब तहै बखत एकटा लकबा मारल लोकके झोल्‍ङामे#५:१८झोल्‍ङा-बिमार लोकसबके उपचारके लेल बोइकके लजाबेबला साधन। आनल्‍कै आ भितरमे येसुके अगा आनैले कोसिस करल्‍कै। 19महज लोकसबके भिरके कारन ओकरा भितर लजाइले कतौसे रस्‍ता नै भेटलाके बाद उसब छाइन्‍हमे चहैरके रस्‍ता बनाइल्‍कै तब बिमारीके ओकर झोल्‍ङा सहित निचा झाइरके येसुके अगामे राखल्‍कै। 20येसु लोकसबके एहेन बिस्‍बास देखके कहल्‍कै, “हे पिरिय, तोहर पाप छमा भेलछौ।”
21तब यहुदी धरमगुरुसब आ फरिसीसब आपनमे कहेलाग्‍लै, “परमेस्‍वरके निन्‍दा करैबला यि के चियै? पाप छमा करैले त परमेस्‍वर बाहेक औरो कोइ नै सक्‍तै!” 22ओइ लोकसबके मनके बात बुइझके येसु कहल्‍कै, “तुसब कथिले एहेन बिचार करैचिही? 23ओइ लकबा मारल लोकके, ‘तोहर पाप छमा भेलछौ’ कैहके, कहनाइ कि, ‘उठके चल कोन असल हेतै’? 24महज दुनियामे मानबके बेटाके पाप छमा करैके अधिकार छै से तुसब जान।” तब येसु लकबा मारल लोकके कहल्‍कै, “तु उठके आपन झोल्‍ङा उठा आ बोइकके घर जो।” 25तब उ तखुन्‍ते सबकोइके सामनेसे उठलै, आपन झोल्‍ङा उठाके परमेस्‍वरके परसन्‍सा करैत आपन घर दिसन सोझ भेलै। 26ओतेका सब लोकसब आस्‍चरजमे परलै, उसब परमेस्‍वरके महिमा करल्‍कै आ परमेस्‍वरके अतेक बरका सक्‍ती देखके उसब डेरागेलै तब कहल्‍कै, “आइ हमसब अचमके काम देखलियै।”
लेबीके बोलाहट
(मती ९:९-१३, मरकुस २:१३-१७)
27तब येसु ओइ ठामसे बाहर निकल्‍लै आ लेबी नाम भेल्‍हा एक गोरे बटी उठाइबलाके अड्‍डामे देखल्‍कै। येसु ओकरा कहल्‍कै, “हमर पछा लाग।” 28लेबी उठलै आ सबचिज छोइरके येसुके पछा लाग्‍लै।
29लेबी आपन घरमे येसुके भोज खाइले नौता देल्‍कै। ओइ भोजमे बटी उठाइबला आ बहुतरा लोकसब बैठल छेलै। 30फरिसी आ यहुदी धरमगुरुसब आइबके येसुके चेलासबके गनगनाबे लाग्‍लै, “कथिले तुसब बटी उठाइबला आ पापीसबसङे मिलके खान-पिन करैचिही?” 31येसु ओकरौरके कहल्‍कै, “निरोगीसबके बैधके जरुरत नै परैछै महज रोगीसबके परैछै। 32तैहनङे हम धरमीसबके नै महज पापीसबके पापसे पस्‍चातापके लेल बोलाइले एलचियौ।”
उपास के सबाल
(मती ९:१४-१७, मरकुस २:१८-२२)
33उसब येसुके कहल्‍कै, “बप्‍तिस्‍मा दैबला युहन्‍नाके चेलासब बेर-बेर उपास आ परथना करैछै। फरिसीयोके चेलासब ओहिनङे करैछै, महज अहाँके चेलासब खालि खान-पिन करैये।” 34येसु जबाफ देल्‍कै, “तुसब बियाह भोजमे बरसङे एल्‍हा बरियातीसबके उपासे राखैचिही से? 35महज ऐहनङो दिन आइब सक्‍तौ जब बर ओइसबसे अलग हेतै तब उसब ओइ दिन उपास बैठतै।”
36तब येसु फेरसे एकटा खिसा सुनेल्‍कै, “के लबका कपरा फाइरके पुरनामे जोरैछै। अगर जोरियो दैछै त लबका कपरा बिगैर जेतै आ लबका ढप्‍पा पुरना ढप्‍पासे मेल नै खेतै।
37 “कोनो लोक तजा अङगुरके मध पुरना छलाके थैलीमे नै राखैछै, नै त लबका मधसे छला फुइटजेतौ तब मध बैहजेतौ। 38बरु तजा अङगुरके मध लबके छलाके थैलीमे राखेपरैछै। 39त कोइ पुरना अङगुरके मध पियैछै त ओकरा लबका अङगुरके मध पियैले निक नै लागैछै कथिलेत उ कहैछै, ‘पुरने अङगुरके मध निक हैछै।’”

Currently Selected:

लुका 5: MTH

Highlight

Share

Copy

None

Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in