एक दिन येसु एकटा सहरमे रहै तै बखत एकटा कोढि-कुस्टीसे भरल लोक येसुके देखके भितरी मनसे बिन्ती करल्कै आ कहल्कै, “हे परभु, अहाँ चाहबै त हमरा कोढि-कुस्टीसे निक कैरसकैचियै।” येसु ओकर उपरमे हाथ राइखके कहल्कै, “हम चाहैचियौ। तु निक भ्याजो।” तखुन्ते कोढि-कुस्टी लागल लोक निक भेलै।