युहन्ना 17
17
आपन खातिर येसुके परथना
1येसु यि सब बात कहलाके बाद स्वरग दिसन ताइकके कहल्कै, “हे पिता, आब समय आइबगेल छै। अहाँ आपन बेटामे महिमा परकट करु, ताकि बेटो अहाँके महिमा परकट करे। 2कथिलेत अहाँ आपन बेटाके सब लोकसब उपर अधिकार देनेचियै, ताकि अहाँके देल सब लोकसबके अनन्त जिबन देबेसकी। 3अनन्त जिबन एह्या चियै कि, उसब अहाँ एक मातरे सत परमेस्वरके आ अहाँके पठाएल येसु खिरिस्ट चियै से जाने। 4अहाँ जे काम करैले हमरा जिमा देनेछेलियै, से काम पुरा कैरके पिरथिबीमे हम अहाँके महिमा करनेचियै। 5हे पिता, सन्सार सिरिस्टी हैसे पहिने अहाँसङे हमर जे महिमा छेलै, ओह्या महिमासे आब अहाँके अगा हमरा महिमीत करु।
चेलासबके लेल येसुके परथना
6 “जे लोकसब अहाँ हमरा सन्सारसे देलियै हम ओइ लोकसबके अहाँके बारेमे सब चिज कैह देलियै। उसब अहाँके छेलै आ उसबके अहाँ हमरा देलियै आ उसब अहाँके बचन पालन करने छै। 7आब उसब जानैछै कि, अहाँके द्याल हमर सब चिज अहैसे एलछै। 8कथिलेत अहाँके देल सिक्छा हम ओइसबके देनेचियै आ उसब उ सुइकार करने छै। हम अहाँसे एलचियै कैहके उसब साँचोके बुझनेछै। तब हमरा अहै पठेलियै कैहके उसब बिस्बास करने छै।
9 “आब हम ओइसबके लेल परथना करैचियै। हम सन्सारके लेल परथना नै करबै, महज ओकरासबके लेल, जकरा अहाँ हमरा देनेचियै। कथिलेत उसब अहैके चियै। 10हमरसङे भेल सब अहाँके चियै आ अहाँसङे भेल सब हमरे चियै। ओकरेसबसे हमर महिमा भेल छै। 11आब हम सन्सारमे नै रहबै, महज उसब त सन्सारेमे रहतै आ हम अहाँके लग आइबरहल चियै। हे पबितर पिता, अहाँ आपन नामके सक्तिसे एकरासबके रक्छा करु, जे नाम अहाँ हमरा देलियै, ताकि ओहोसब हम आ अहाँ एक भ्याल जखा एक हेबे। 12जब हम सन्सारमे ओइसबसङे छेलियै, तब हम ओइसबके अहाँके आपन नामके सक्तिसे रक्छा करलियै, जे नाम अहाँ हमरा देनेछेलियै। हम ओइसबके बचेलियै आ ओइसबमेसे नास हैबलाके छोइरके औरो कोइ नास नै भेलै, महज पबितर धरमसास्तरमे लिखल बचन पुरा हेबे कैहके यि भेलै।#भजनसङगरह ४१:९, युहन्ना १३:१८
13 “महज आब हम अहाँ लग आइबरहल चियै। हमर आनन्द ओइसबमे पुरा हेबे कैहके हम सन्सारमे रैहते यि बात कहैचियै। 14हम ओइसबके अहाँके बचन देलियै, महज सन्सारके लोकसब ओकरासबके घिरना करल्कै, कथिलेत उसब सन्सारके नै चियै, जहिनङे हम सन्सारके नै चियै। 15यि सन्सारसे ओकरासबके ल्याजाउ कैहके हम परथना नै करैचियै, महज ओकरासबके दुस्टसे बचाबु कैहके परथना करैचियै। 16जहिनङे हम यि सन्सारके नै चियै, तहिनङे ओहोसब यि सन्सारके नै चियै। 17अहाँके सत्यतासे ओइसबके पबितर करु, कथिलेत अहाँके बचन सत छै। 18जहिनङे अहाँ हमरा सन्सारमे पठेलियै, तहिनङे हम्हु ओइसबके सन्सारमे पठाइनेचियै। 19हम ओइसबके खातिर आपनेके पबितर करैचियै, ताकि उसब सेहो सत्यतामे पबितर हेबे।
बिस्बासीसबके लेल परथना
20 “हम यि चेलासबके खातिर मातरे परथना नै करैचियै, महज ओहोसबके लेल करैचियै, जे उसबके सिक्छासे हमर उपर बिस्बास करतै। 21हम परथना करैचियै कि उ सबकोइ एक हेबे। हे पिता, जहिनङे अहाँ हमरमे आ हम अहाँमे चियै, तहिनङे ओहोसब अपनासबसङे एक हेबे, ताकि अहाँ हमरा पठाइनेचियै कैहके सन्सारके लोकसब बिस्बास करे। 22जे महिमा अहाँ हमरा देनेचियै, ओह्या महिमा हम ओइसबके देनेचियै, ताकि जहिनङे हम आ अहाँ एक चियै तहिनङे ओहोसब एक हेबे। 23हम ओकरासबमे आ अहाँ हमरमे चियै। अहिनङके उसब पुरा रुपसे एक हेबे आ अहाँ हमरा पठाइनेचियै आ जहिनङे अहाँ हमरा परेम करैचियै तहिनङे हमरमे बिस्बास करैबलासबके परेम करैचियै से सन्सारके लोकसब जाने।
24 “हे पिता, हम इक्छा करैचियै कि, जकरासबके अहाँ हमरा देनेचियै, सेसब हमरसङे रहे आ हमर महिमा देखे, जे महिमा सन्सार सिरिस्टी हैसे पहिने अहाँ हमरा परेम करलाके कारनसे देनेछेलियै।
25 “हे धारमिक पिता, सन्सारके लोकसब अहाँके नै जानैछै, महज हम अहाँके जानैचियै आ अहाँ हमरा पठाइनेचियै कैहके यि चेलासब जानैछै। 26हम ओकरासबके अहाँके चिन्हादेनेचियै आ अहाँके चिन्हाइते रहबै, ताकि जे परेम अहाँ हमरा करलियै, ओह्या परेम ओइसबमे रहे आ हम ओइसबमे रही।”
Currently Selected:
युहन्ना 17: MTH
Highlight
Share
Copy
Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in
© 2024 (Active), Wycliffe Bible Translators, Inc. All rights reserved.