युहन्ना 11
11
लाजरसके मिरतु
1लाजरस नामके एकटा लोक बिमार भेल छेलै। उ आपन बहिन मरियम आ मारथासङे बेथानिया गाममे रहै।#लुका १०:३८,३९ 2ओह्या मरियम पाछे येसुके टाङमे अतर लग्याके आपन केससे पोछनेछेलै। ओकरे भाइ लाजरस बिमार भेल छेलै।#युहन्ना १२:३ 3तैखातिर दुनु बहिन येसुके एहेन कैहके समाध पठाइने छेलै, “परभु, जकरा अहाँ परेम करैचियै, उ बिमार भेल छै।”
4तब येसु यि बात सुइनके कहल्कै, “यि बिमारसे उ नै मरतै, महज यि परमेस्वरके महिमाके लेल चियै आ अइसे परमेस्वरके बेटाके महिमा हेबे।” 5येसु मारथा, ओकर बहिन मरियम आ लाजरसके परेम करैछेलै। 6येसु लाजरस बिमारी छै सुनल्कै, तब उ जै ठाममे छेलै, ओतै औरो दुइदिन रहलै। 7तकरबाद उ आपन चेलासबके कहल्कै, “ले आब, अपनासबके फेनो यहुदिया परदेसमे चल।”
8महज चेलासब येसुके कहल्कै, “गुरु जी, कुछदिन पहिने यहुदीसब अहाँके पथलसे मारैले ताकैतरहै, तैयो कि अहाँ फेनो ओइ ठाममे जाइके मन करैचियै?”
9तब येसु जबाफदैत कहल्कै, “दिनमे बारह घन्टा नै हैछै से? दिनमे चलैबला लोकके ठेस नै लागैछै, कथिलेत उ अइ सन्सारके इजोतमे देखैछै। 10महज रातमे चलैबलाके ठेस लागैछै, कथिलेत ओकरसङे इजोत नै रहैछै।” 11तकरबाद येसु कहल्कै, “अपनासबके सङी लाजरस सुतल छै, महज हम ओकरा जगाबैले ओते जेबै।”
12तब ओकर चेलासब कहल्कै, “परभु, यदि उ सुतल छै त उ निक भ्याजेतै।”
13येसु ओकर मिरतुके बारेमे कहने छेलै, महज चेलासब लाजरस साँचोके सुतल छै कैहके बुझने छेलै। 14तैखातिर येसु उसबके साफ-साफ कहल्कै कि, “लाजरस मैर गेलछै। 15तोरासबके खातिर हम ओते नै भेलासे खुसी चियै, ताकि तुसब बिस्बास करेसक। महज तैयो अपनासब ओकरलग चल।” 16तब ओकर चेलासबमेसे दिदुमस कहाइबला थोमा आपन सङी चेलासबके कहल्कै, “ले आब अपनासब चल आ ओकरेसङे मरब।”
येसु मारथा आ मरियमके चितभरोस देल्कै
17जब येसु बेथानिया गाममे पहुचलै, तब लाजरसके चिहानमे राख्ला चार दिन भ्यागेल छेलै कैहके थाह पाबल्कै। 18बेथानिया यरुसलेमसे करिब तिन किलोमिटर दुर छेलै। 19बहुतो यहुदीसब मारथा आ मरियमके ओकर भाइके बारेमे चितभरोस दैले एलछेलै। 20जब मारथा येसु आइबरहल छै सुनल्कै तब ओकरा अधे रस्तामे भेटैले गेलै, महज मरियम घरेमे रहलै। 21तब मारथा येसुके कहल्कै, “परभु, यदि अहाँ अइ ठाममे रहतियै त हमर भाइ नै मरतियै। 22महज हमरा थाहछै कि, अखुन्तो अहाँ परमेस्वरसङे जे माङबै, से परमेस्वर अहाँके द्यात।”
23तकरबाद येसु मारथाके कहल्कै, “तोहर भाइ फेनो जिबित भ्याके उठतौ।”
24मारथा कहल्कै, “हँ, हम जानैचियै कि, अन्तके दिनके पुनरुथानमे फेनो उ जिबित भ्याके उठतै।”
25तब येसु ओकरा कहल्कै, “पुनरुथान आ जिबन हम्ही चियै। जे हमरा बिस्बास करतै, उ मरबो करतै त जिबित हेतै। 26आ जे कोइ हमरमे जियैछै आ बिस्बास करैछै उ कहियो नै मरतै। कि तु यि बातमे बिस्बास करैचिही?”
27तब मारथा येसुके कहल्कै, “हँ परभु, अहाँ त सन्सारमे आबैबला खिरिस्ट, परमेस्वरके बेटा चियै कैहके हम बिस्बास करैचियै।”
28अतबेक कहैके मारथा गेलै आ आपन बहिन मरियमके एक कातमे बोल्याके कहल्कै, “गुरु जी एते एलछै आ तोरा बोल्यारहल छौ।” 29यि बात सुइनते मातर मरियम झटसिन उठलै आ ओकरा भेटैले गेलै। 30तखैनतक येसु गाममे नै पहुचल छेलै महज ओतै छेलै जते मारथा ओकरा भेट करने छेलै। 31घरमे चितभरोस दैले एल यहुदीसब मरियमके झटसिन उइठके बाहर जाइत देखके, कतौ उ चिहानमे कानैले गेलै से सोइचके ओकर पछा-पछा गेलै।
32जब मरियम येसु भेल ठाममे पुग्लै आ ओकरा देख्तै मातर ठेङहुनिया दैत कहल्कै, “परभु, यदि अहाँ एतै रहतियै त हमर भाइ नै मरतियै।” 33जब येसु मरियमके कानैत आ ओकरसङे आबैयोबलाके कानैत देखल्कै, तब उ आत्मामे एकदम दुखित आ बेचैन भ्यागेलै, 34आ उसबके पुछल्कै, “तुसब ओकरा कते राखनेचिही?” उसब जबाफ देल्कै, “परभु, हमरासबसङे आइबके देखु।” 35येसु कान्लै। 36तैल्याके यहुदीसब कहल्कै, “देख, उ लाजरसके कतहेक परेम करैछेलै!” 37महज कोइ-कोइ कहल्कै, “कि अन्हराके आँख दैबला यि लोक लाजरसके मरैसे बचाइले नै सक्तियै?”
38तब येसु फेनो एकदम दुखित भ्याके चिहानके लगमे गेलै। उ चिहान एकटा सोइन छेलै, ओकर मुहमे एकटा बरका पथलसे झापल छेलै। 39तकरबाद येसु कहल्कै, “पथल हटा।”
महज लाजरसके बहिन मारथा कहल्कै, “परभु, अखुनतक त उ गन्हा गेलहेतै, कथिलेत ओकरा मरला चार दिन भ्यागेलै।”
40येसु ओकरा कहल्कै, “यदि तु बिस्बास करबिही त परमेस्वरके महिमा देखबिही से हम तोरा नै कहने छेलियौ?” 41तब उसब चिहानके मुहमे राखलहा पथल हटाइल्कै। तब येसु उपर दिसन ताइकके कहल्कै, “हे पिता, हम अहाँके धन्यबाद दैचियै, कथिलेत अहाँ हमर बिन्ती सुनलियै। 42अहाँ हमर बिन्ती सबदिन सुनैचियै से हम जानैछेलियै। महज चारुकात ठारभेल लोकसबके खातिर हम कहनेचियै, ताकि अहाँ हमरा यि सन्सारमे पठाइनेचियै कैहके उसब बिस्बास करे।” 43अतबे कैहके येसु जोरसे कहल्कै, “ए लाजरस, बाहर निकैलके या।” 44तब उ मरल लोक कपरासे हाथ-टाङ बान्हल आ ओकर मुहमे कपरासे झापले बाहर निकैलके एलै। येसु ओइसबके कहल्कै, “अकरा खोइल दहै आ जाइले दहै।”
येसुके मारैके योजना
45तब येसुके करल यि काम देखके मरियमके भेटैले एल यहुदी लोकसबमेसे बहुतो लोक ओकरा बिस्बास करल्कै। 46महज कतहेक गोरे फरिसीसब लग ज्याके येसुके करल कामसब सुन्यादेल्कै। 47तब मुल पुजारीसब आ फरिसीसब महासभाके सदससबके बोल्याके कहल्कै, “आब अपनासब कथी करबै? यि लोक त बहुतो अजगुतके कामसब कैररहलछै। 48यदि यि लोकके अहिनङे छोइरदेबै त सबलोक ओकरे बिस्बास करतौ। तब रोमीसब आइबके अपनासबके मन्दिर आ देस दुनुके बिनास कैरदेतौ।”
49महज उसबमेसे कैयाफा नामके एकटा लोक छेलै, उ ओइ बरिसके परधान पुजारी छेलै। तब उसबके कहल्कै, “तुसब त कुछो नै जानैचिही! 50पुरे देस नास हैसे त बरु जनताके लेल एकटा लोक मरनाइ उचित हेतै से तोरासब नै बुझैचिही?” 51उ यि बात आपने मनसे नै, महज ओइ बरिसके परधान पुजारी भेलासे देसके लेल येसु मरे परतै कैहके अगमबानी करल्कै। 52यहुदीसबके देसके लेल मातरे नै, महज जते-तते छिरियाल परमेस्वरके बेटा-बेटीसबके एकसाथ जमा करैके लेल एहेन कहलगेल छेलै। 53तै दिनसे उसब येसुके मारैके लेल योजना बनेल्कै। 54तैखातिर येसु फेनो यहुदीसबके बिचमे खुलमखुला नै चलेलाग्लै, महज उजार जगहके नजदिकमे रहल एफराइम नाउके सहरमे गेलै आ आपन चेलासबसङे ओतै रहेलाग्लै।
55तकरबाद यहुदीसबके निस्तार पाबैन लगच्या गेलछेलै आ गाम-गामसे बहुतो लोकसब पाबैनसे पहिने अपनाके सुध करैले यरुसलेममे गेलै। 56तब उसब येसुके ताकैछेलै आ मन्दिरके अङनामे ठार भ्याके एक-दोसरके कहल्कै, “तोरासबके कि लागैछौ, येसु यि पाबैनमे एतौ?” 57मुल पुजारीसब आ फरिसीसब येसुके पकरैले ताकैछेलै। तैल्याके उसब येसु कते छै थाह भेल्हासबके समाद आनैले आग्या देनेछेलै।
Currently Selected:
युहन्ना 11: MTH
Highlight
Share
Copy
Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in
© 2024 (Active), Wycliffe Bible Translators, Inc. All rights reserved.