YouVersion Logo
Search Icon

युहन्‍ना 10

10
चरबाह आ ओकर भेरा
1येसु कहल्‍कै, “हम साँचोके तोरासबके कहैचियौ, जे कोइ भेंरा रहैबला घारिघरके केबारबाटे नै ढुकैछै, महज दोसरकातसे उपर चरहैके ढुकैछै, उ चोर आ डाकु चियै। 2महज जे केबारबाटे ढुकैछै उ भेंराके चरबाह चियै। 3ओकरलेल घर रखबारी करैबला केबार खोइलदैछै आ भेंरासब ओकर बोली चिन्‍हैछै। उ आपन भेंरासबके नाम ल्‍याके ल्‍याके बोलाइछै आ ओकरासबके बाहर निकालैछै। 4जब उ आपन भेंरासबके बाहर निकालैछै तब उ ओइसबके अगा-अगा जाइछै आ भेंरासब ओकर पछा-पछा आबैछै, कथिलेत उसब ओकर बोली चिन्‍हैछै। 5उसब अनचिन्‍हार लोकके नै पछुवाइतै, महज ओकरा देखके भाइगजेतै, कथिलेत अनचिन्‍हारके बोली उसब नै चिन्‍हैछै।”
6येसु यि बातसब ओकरासबके दिस्‍टान्‍तमे कहने छेलै, महज येसु कथी कहैले चाहैछेलै से बातके अरथ उसब नै बुझल्‍कै।
जिबनके केबार
7ओहैसे येसु फेनो ओइसबके कहल्‍कै, “हम तोरा साँचोके कहैचियौ, भेंरासबके ढुकैबला केबार हम्‍ही चियै। 8हमरसे अगा एल सब चोर आ डाकुसब छेलै, महज भेंरासब ओइसबके बात नै सुनल्‍कै। 9ढुकैबला केबार हम्‍ही चियै, जे कोइ हमरबाटे ढुकतै से कोइ बाच्‍तै। उ भितर-बाहर करतै आ घास हैबला ठाममे चरैले पाबतै। 10चोर त चोराइले, मारैले आ नास करैके लेल मातरे आबैछै। महज हम त लोक जिबन पाबे आ उ भरपुर कैरके पाबे कैहके एलियै।
येसु असल चरबाह
11 “असल चरबाह हम्‍ही चियै। असल चरबाह त आपन भेंरासबके लेल आपन परानो दैले पछा नै हटैछै। 12महज जे बनिहार चियै आ नै चरबाह चियै आ नै ओकर भेंरासब चियै। उ नरहिया आबैत देखके भेरासबके छोइरके भाइग जाइछै आ नरहिया आइबके भेराके धरैछै आ तितर-बितर कैरदैछै। 13ओइ बखत बनिहार भाइग जाइछै, कथिलेकी उ बनिहारी लोक चियै, तैल्‍याके उ भेंरासबके वस्‍ते नै करैछै।
14 “असल चरबाह हम्‍ही चियै। हम आपन भेरासबके चिन्‍हैचियै आ भेरोसब हमरा चिन्‍हैछै, 15जहिनङ पिता हमरा चिन्‍हैछै आ हम पिताके चिन्‍हैचियै, तहिनङ हम आपन भेंरासबके चिन्‍हैचियै आ भेंरासब हमरा चिन्‍हैछै। हम भेरासबके लेल आपन परानो दैचियै।#मती ११:२७, लुका १०:२२ 16हमर औरो भेंरासब छै जे अइ जेरके नै चियै। हमरा ओकरोसबके अइ जेरमे लाबैके जरुरी छै। उसब हमर बोली सुन्‍तै आ सब एके जेरमे हेतै आ उसबके एकेटा चरबाह हेतै।
17 “पिता हमरा अहैलेल परेम करैछै, कथिलेत हम आपन परान फेनसे फिरता लेबै कैहके दैचियै। 18कोइने हमर परान हमरासे लैले सक्‍तै, महज हम आपने राजिखुसीसे दैचियै। आपन परान दैके अधिकार हमरेसङे छै आ फेनो ओकरा लैयोके अधिकार छै। एह्‍या आग्‍या हम आपन पितासे पाबनेचियै।”
19यि बात सुइनके यहुदीसबके बिचमे फेनो मनमोटाब भेलै। 20ओइसबमेसे बहुतो गोरा कहेलाग्‍लै, “अकरा त भुत लागल छै आ बताह भेलछै। तुसब कथिले अकर बात सुनैचिही?” 21महज औरो बाज्‍लै, “भुत लागल लोक अनङ नै बोलैछै। कि भुत लागल लोक आन्‍हरके देखे सकैबला बनाइले सक्‍तै?”
यहुदी अगुवासब येसुके इन्‍कार करल्‍कै
22ओइ बखत जारके समय छेलै आ यरुसलेममे मन्‍दिर अरपन करैके पाबैन छेलै। 23येसु मन्‍दिरके सोलोमन नामके दलानमे टहलैछेलै। 24यहुदी अगुवासब ओकर चारुकात जमा भ्‍याके कहल्‍कै, “अहाँ कहियातक हमरासबके दोधारमे राखबै? यदी अहाँ मुक्‍ती दैबला खिरिस्‍ट चियै त हमरासबके सत बात कैहदियौ।”
25येसु जबाफ देल्‍कै, “हम पहिने तोरासबके कैहदेने चियौ, महज तुसब बिस्‍बासे नै करैचिही। आपन पिताके नाममे हम जे कामसब करैचियै, उहेसब हमर गबाही दैछै। 26महज तुसब बिस्‍बास नै करैचिही कथिलेकी तुसब हमर भेंरा नै चिही। 27हमर भेंरासब हमर बोली सुनैछै। हम ओइसबके चिन्‍हैचियै आ उसब हमर पछा-पछा आबैछै। 28हम ओकरासबके अनन्‍त जिबन दैचियै, उसब कहियो नै नास हेतै आ कोइ नै ओकरासबके हमर हाथसे छिनके लजाबे सक्‍तै। 29हमर पिता ओकरासबके हमर जिमामे देने छै उ सबसे महान छै। हमर पिताके हाथसे त औरो कोइ नै ओकरासबके छिनके लजाबे सक्‍तै। 30पिता आ हम एके चियै।”
31यहुदी अगुवासब फेनो येसुके मारैके लेल पथल उठाइल्‍कै। 32महज येसु ओइसबके कहल्‍कै, “हम तोरासबके हमर पितासे बहुतो अजगुतके कामसब कैरके देखेलियौ, ओइसबमेसे कोन कामके लेल तुसब हमरा पथलसे मारैले चाहैचिही?” 33यहुदी अगुवासब येसुके जबाफ देल्‍कै, “असल कामके लेल हमसब तोरा नै मारबौ, महज तु परमेस्‍वरके बिरुधमे निन्‍दा करैके कारन पथलेसे तोरा मारैले चाहलियौ। कथिलेकी तु मानब भ्‍याके अपनेके परमेस्‍वर कहैचिही।” #लेबी २४:१६
34येसु उसबके कहल्‍कै, “कि तोरासबके पबितर धरमसास्‍तरमे एहेन नै लिखल छौ, ‘हम कहैचियौ कि, तुसब इस्‍वरसब चिही?’#भजनसङगरह ८२:६ 35तब पबितर धरमसास्‍तर कहियो नै झुठ हैले सक्‍तै आ जे परमेस्‍वरके बचन पाबल्‍कै, ओकरासबके उ इस्‍वरसब कहल्‍कै। 36महज हमरा त पिता आपन पबितर उदेस्‍य पुरा करैके लेल चुइनके अइ सन्‍सारमे पठाइने छै। आब ‘हम परमेस्‍वरके बेटा चियै’ त कनङके परमेस्‍वरके अपमान भेलै? 37यदी हम आपन पिताके काम नै करैचियै त, हमरा बिस्‍बास नै कर। 38महज यदी हम पिताके काम करैचियै तबो तुसब हमरा बिस्‍बास नै करैचिही त हमर करलाहा अजगुतके कामसबमे त बिस्‍बास कर। तब तुसब जानबिही आ बुझबिही, कि पिता हमरमे छै आ हम पितामे चियै।” 39तब फेनो उसब येसुके पकरैले कोसिस करल्‍कै महज उ ओकरासबके हाथसे निकैलके चैलगेलै।
40येसु फेनो यरदन लदीके ओइपार चैलगेलै जते युहन्‍ना सुरुमे बप्‍तिस्‍मा दैछेलै आ उ ओतै रहलै।#युहन्‍ना १:२८ 41ओइ बखत बहुतो लोक ओकरलग एलै। उसब कहल्‍कै, “युहन्‍ना कोनो अजगुतके काम नै करल्‍कै महज युहन्‍ना येसुके बारेमे जे कुछ कहने छेलै उ सब बात सत छेलै।” 42तब ओइठाम बहुतो लोकसब येसुमे बिस्‍बास करल्‍कै।

Highlight

Share

Copy

None

Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in