Logo YouVersion
Ikona Hľadať

मती 5

5
आसिस आ सराप
(लुका ६:२०-२३)
1लोकसबके बहौत बरका भिर देखके येसु पहार उपरमे गेलै आ ओते बैठलै, तकरबाद चेलासब ओकरलग एलै। 2तब येसु ओइसबके सिक्‍छा देबे लाग्‍लै:
3 धैनके # ५:३ धैन- अकर मतलब परमेस्‍वरसे आसिस पाबलाहा लोक हैछै चियै आपनके आत्‍मिक रुपमे कमजोर बुझैबलासब,
कथिलेत स्‍वरगके राज ओहिनेसबके चियै।
4 धैनके चियै सोक करैबलासब,
कथिलेत ओइसबके सान्‍ती मिल्‍तै। # यसैया ६१:२
5 धैनके चियै नरम स्‍वभाब भेल्‍हालसब,
कथिलेत उसब पिरथिबीमे अधिकार करतै। # भजनसङगरह ३७:११
6 धैनके चियै धारमिकताके खातिर भुखल-पियासलसब,
कथिलेत उसब अघाइतै। #यसैया ५५:१,२
7 धैनके चियै दया करैबलासब,
कथिलेत उसब दया पाबतै।
8 धैनके चियै सुध हिरदयबलासब,
कथिलेत उसब परमेस्‍वरके देखतै। # भजनसङगरह २४:३,४
9 धैनके चियै मेल-मिलाप कराइबलासब,
कथिलेत उसब परमेस्‍वरके बेटा-बेटी कहाइतै।
10 धैनके चियै धारमिकताके खातिर सताबट भोगैबलासब,
कथिलेत स्‍वरगके राज ओहिनेसबके चियै। # १ पतरुस ३:१४
11 “धैनके चिही तुसब, जब लोकसब हमर खातिर तोरासबके अपमान करतौ, सताइतौ आ झुठ बाइज-बाइजके तोरासबके बिरोधमे सब तरहके अधलाह बात कहतौ। # १ पतरुस ४:१४ 12तब खुसी आ आनन्‍द मना, कथिलेत तोरासबके खातिर स्‍वरगमे बरका इनाम राखल छौ। अहिनङे तोरासबसे पहिनेके अगमबक्‍तासबके उसब सताइने रहै।#२ इतिहास ३६:१६, परेरित ७:५२
नोन आ इजोत
(मरकुस ९:५०, लुका १४:३४-३५, ११:३३)
13 “तुसब पिरथिबीके नोन चिही, महज नोनके सबाद उइरजेतै त फेनो कोन चिजसे नोनगर हेतै? उ त काम नै लागैबला भ्‍याके फेकलजेतौ आ लोकसब ओकरा आपन टाङसे धाङै बाहेक औरो कोनो कामके नै हेतौ। # मरकुस ९:५०, लुका १४:३४-३५
14 “तुसब सन्‍सारके इजोत चिही। पहारमे रहल सहर घोसरैले नै सकैछै। # युहन्‍ना ८:१२, ९:५ 15लोकसब डिबिया नेसके ढकियासे नै झापैछै, महज डैठमे राखैछै आ उ डिबिया घरमे रहैबला सबके खातिर इजोत दैछै।#मरकुस ४:२१, लुका ८:१६, ११:३३ 16अहिनङ तोरोसबके इजोत लोकसबके बिचमे चम्‍के, जहिनङ लोकसब तोरासबके असल काम देखके, स्‍वरगमे रहैबला पिताके परसन्‍सा करे।”#१ पतरुस २:१२
बेबस्‍था पालन करैके बारेमे सिक्‍छा
(लुका १६:१७)
17 “मोसाके देल्‍हा बेबस्‍था आ अगमबक्‍तासबके बात रद करैले हम एलचियौ से नै समझ। हम उ रद करैले नै महज पुरा करैले एलचियौ। 18कथिलेत साँचे हम तोरासबके कहैचियौ, जबतक स्‍वरग आ पिरथिबी खतम नै हेतै तबतक बेबस्‍थामे लिखल बात बिना पुरा भेने छोटसे छोट बुन्‍का ओकर एकोटा आछर तक नै बुताइतौ।#लुका १६:१७ 19अहै कारन आग्‍यासबमेसे सबसे छोट आग्‍याके नै मान्‍तै आ लोकसबके ओहिनङ करैले सिखाइतै, से स्‍वरगके राजमे सबसे छोट कहाइतै। महज जे उ आग्‍यासब पालन करतै आ सिखाइतै, स्‍वरगके राजमे उ बरका कहाइतै। 20कथिलेत हम तोरासबके कहैचियौ, तोरासबके धारमिक्‍ता धरमगुरुसब आ फरिसीसबसे बेसी नै हेतौ त तुसब कोनो भि हालतमे स्‍वरगके राजमे नै ढुकबिही।
करोध आ हतियाके बारेमे सिक्‍छा
21 “पहिन्‍का समयके लोकसबके एहेन कहैत तुसब सुन्‍ने चिही, ‘हतिया नै कर आ जे हतिया करैछै उ सजायके भागिदार हेतै।’ # परस्‍थान २०:१३, बेबस्‍था ५:१७ 22महज हम तोरासबके कहैचियौ, जे कोइ आपन भाइसे करोध करैछै, उ सजायके भागिदार हेतै, जे कोइ आपन भाइके अपमान करैछै, ओकरा धारमिक महासभामे जबाब देबे परतै। महज जे कोइ आपन भाइके सराप दैछै, उ नरकके आइगमे खसै जोकरके हेतै।
23 “तै खातिर यदी बेदीमे तोहे आपन भेटी चरहाइत खिना भाइ-बहिनके बिरोधमे तोहर हिरदयमे कुछो छौ से याद भेलौ त, 24तोहर भेटी पैहने बेदीके कातमे राख आ जो। आपन भाइ-बहिनसे मेल कर आ तकरबाद आइबके भेटी चरहा।
25 “तोहर बिरोधी अदालत लजाइछौ त रस्‍तेमे मेल कैरले, नै त बिरोधी तोरा नियायधिसके जिमा लगेतौ आ नियायधिस सिपाहीके आ सिपाही तोरा जहलमे ढोइकदेतौ। 26साँचे हम तोरासबके कहैचियौ। जबतक तु एक-एक पैसा चुक्‍ता नै करबिही तबतक अतेसे जाइले नै पाबबिही।
बेबिचारके बारेमे सिक्‍छा
27 “तुसब एहेन कहने सुन्‍ने चिही, ‘बेबिचार नै कर।’ # परस्‍थान २०:१४, बेबस्‍था ५:१८ 28महज हम तोरासबके कहैचियौ, जे कोइ कोनो जनीके गलत नजरसे देखैछै, त उ पैहनैये आपन मनमे ओकरसे बेबिचार कैरलेने रहैछै। 29यदी तोहर देहना आँख पाप करैले लगाइछौ त ओकरा निकाइलके फेक दहै, कथिलेत तोहर सौसे देह नरकमे जाइसे बरु तोहर देहसे एकटा हटेनाइ असल हेतौ।#मती १८:९, मरकुस ९:४७ 30यदी देहना हाथ तोरा पाप करैले लगाइछौ त ओकरा काइटके फेक दहै। कथिलेत तोहर सौसे देह नरकमे जाइसे बरु तोहर देहसे एकटा हटेनाइ असल हेतौ।#मती १८:८, मरकुस ९:४३
छोरपतरके बारेमे सिक्‍छा
(१९:९, मरकुस १०:११-१२, लुका १६:१८)
31 “एहेन कहलगेल छै, ‘जे आपन घरबालीके छोरैछै त, उ ओकरा छोरपतर लिखके देबे।’ # बेबस्‍था २४:१-४, मती १९:७, मरकुस १०:४ 32महज हम तोरासबके कहैचियौ, जे आपन घरबालीके बेबिचारके अलाबा छोरैछै, उ ओकरा बेबिचारिनी बनाइछै आ जे कोइ छोरल जनिसे बियाह करैछै, उ बेबिचार करैछै।#मती १९:९, मरकुस १०:११-१२, लुका १६:१८, १ कोरन्‍थी ७:१०-११
किरिया आ सत्‍यताके बारेमे सिक्‍छा
33 “तुसब एहो सुन्‍नेचिही कि, परा-पुरुबकालके लोकसब कहने छेलै, ‘तु झुठ किरिया नै खो, महज परमपरभुके खातिर ख्‍याल किरिया पुरा कर।’ # लेबी १९:१२, गन्‍ती ३०:२, बेबस्‍था २३:२१ 34महज हम तोरासबके कहैचियौ, किरिया खेबे नै कर। स्‍वरगके नाममे किरिया नै खो, कथिलेत उ परमेस्‍वरके सिंहासन चियै,#याकुब ५:१२, यसैया ६६:१, मती २३:२२ 35नै त पिरथिबीके नाम ल्‍याके, कथिलेत उ ओकर टाङ राखैबला पिरहिया चियै, नै त यरुसलेमके नामे ल्‍याके, कथिलेत उ महान रजाके सहर चियै।#यसैया ६६:१, भजनसङगरह ४८:२ 36आपन मुरीके किरिया नै खो, कथिलेत तु आपन एकोटा केसके नै उजर नै कारी बनाबे सकबिही। 37तोरासबके कहल बचन ‘हँ’ त ‘हँ’ ‘नै’ त ‘नै’ मातरे कह। अकरसे बेसी बाजैचिही त उ सैतानसे आबैछै।
बदलाके बारेमे सिक्‍छा
(लुका ६:२९-३०)
38 “तुसब सुन्‍ने चिही, एहेन कहलगेल छेलै, ‘आँखके बदला आँख आ दाँतके बदला दाँत।’ # परस्‍थान २१:२४, लेबी २४:२०, बेबस्‍था १९:२१ 39महज हम तोरासबके कहैचियौ, दुस्‍ट लोकके कुछो नै कर। कोइ तोहर देहना गालमे थपराइतौ त, ओकर सामने दोसरो गाल थैप दहै। 40यदी कोनो लोक मुदा-मुकदमा कैरके तोहर कुरता लैले दाबी करैछौ त, ओकरा तु आपन ओरहैयो बला द्‍यादहै। 41यदी कोइ तोरा एक कोस जबरजस्‍ती जाइले कहैछौ त, ओकरसङे दुइ कोस चैलके जो।#५:४१ ओइ दिनसबमे रोमी सिपाही आ सरकारमे भेल्‍हा लोकसब जबरजस्‍ती ककरो कोनो भि समानसब बोकाइले लगाइछेलै। 42कोइ तोहरसे कुछो माङेछौ त ओकरा दहै, तोहर सङे कोइ पैचा माङैछौ त ओकरा दैले इन्‍कार नै कर।
दुस्‍मन सङे परेम
(लुका ६:२७-२८,३२-३६)
43 “तुसब सुन्‍ने चिही जे अनङ कहलगेल छेलै, ‘आपन परोसियाके परेम कर आ आपन दुस्‍मनके घिरना कर।’ 44महज हम तोरासबके कहैचियौ, आपन दुस्‍मनोसबसे परेम कर आ तोरासबके सताबैबलासबके खातिर परथना कर, 45तब तुसब स्‍वरगमे रहैबला पिताके धियापुता हेब्‍ही। उ दुस्‍ट आ सज्‍जन दुनुके सुरुजके इजोत दैछै, तैहनङे धरमी आ पापी दुनु उपर पानी बरसाइछै। 46यदी तोरासबके परेम करैबलाके मातरे परेम करैचिही त तोरा परमेस्‍वरसे कोन इनाम भेटतौ? कि करो उठाइबलासब ओइहनङे नै करैछै से? 47आ तुसब आपन भाइ-बहिनसबके मातरे गोरलगी करैचिही त औरोसबसे बेसी कथी करलिही? कि गैर-यहुदीके लोकसब अहिनङ नै करैछै? 48जनङ स्‍वरगमे रहैबला तोरासबके पिता सिध छौ, तोरोसबके ओहिनङे सिध हेबे परतौ।”#लेबी १९:२, बेबस्‍था १८:१३

Aktuálne označené:

मती 5: MTH

Zvýraznenie

Zdieľať

Kopírovať

None

Chceš mať svoje zvýraznenia uložené vo všetkých zariadeniach? Zaregistruj sa alebo sa prihlás