YouVersion Logo
Search Icon

मरकुस 3

3
1दोसर बेर यीशु सभाघर गेलाह। एक गोटे जकर हाथ सुखायल छलैक सेहो ओहिठाम छल। 2किछु लोक सभ यीशु पर दोष लगयबाक आधारक लेल हुनका पर नजरि गड़ौने छल जे, देखी ओ विश्राम-दिन मे एकरा स्‍वस्‍थ करताह वा नहि। 3यीशु सुखल हाथ वला आदमी केँ कहलथिन, “उठह! सभक आगाँ मे ठाढ़ होअह।” 4तखन लोक सभ दिस घूमि कऽ पुछलथिन जे, “विश्राम-दिन मे की उचित? नीक काज करब अथवा अधलाह? ककरो जीवनक रक्षा करब अथवा नष्‍ट करब?” केओ किछु नहि बाजल। 5यीशु तमसा कऽ चारू दिस लोक सभ पर नजरि दौड़ौलनि। ओ लोक सभक जिद्दीपनक कारणेँ उदास भऽ गेलाह और ओहि आदमी केँ कहलथिन जे, “अपन हाथ बढ़ाबह।” ओ हाथ बढ़ौलक और ओकर हाथ एकदम ठीक भऽ गेलैक। 6फरिसी सभ तुरत निकलि कऽ हेरोद-दलक संग मिलि कऽ यीशु केँ कोना मारल जाय, तकर षड्‌यन्‍त्र रचऽ लगलाह।
झीलक कात मे भीड़
7यीशु अपन शिष्‍य सभक संग झीलक कात मे चल गेलाह, और गलील प्रदेशक लोक सभक बड़का भीड़ हुनका सभक पाछाँ-पाछाँ गेलनि। 8यीशु द्वारा कयल गेल काजक विषय मे सुनि कऽ यहूदिया प्रदेश, यरूशलेम, इदूमिया, यरदन नदीक ओहि पारक क्षेत्र, सूर और सीदोन नगरक क्षेत्र सँ बहुत लोक हुनका ओहिठाम आयल। 9यीशु अपन शिष्‍य सभ केँ कछेर पर एकटा नाव तैयार राखऽ लेल कहलथिन जाहि सँ लोकक भीड़ हुनका दबा नहि देनि। 10ओ ततेक लोक केँ नीक कयने रहथिन जे विभिन्‍न प्रकारक रोगी सभ हुनका शरीर मे भिड़बाक लेल ठेलम-ठेल कऽ रहल छल। 11जखन दुष्‍टात्‍मा#3:11 मूल मे “अशुद्ध आत्‍मा”। तहिना पद 30 मे सेहो। सभ हुनका देखैत छल तँ हुनका समक्ष खसि कऽ चिचिया लगैत छल जे, “अहाँ परमेश्‍वरक पुत्र छी।” 12मुदा यीशु ओकरा सभ केँ मना कयलथिन जे, “लोक केँ ई नहि कहिअहक जे हम के छी।”
बारह मसीह-दूतक नियुक्‍ति
(मत्ती 10:1-4; लूका 6:12-16)
13तकर बाद यीशु पहाड़ पर चल गेलाह और जिनका सभ केँ ओ चुनलथिन तिनका सभ केँ अपना लग बजौलथिन। ओ सभ हुनका लग अयलनि। 14-15यीशु बारह आदमी केँ “दूत” कहि कऽ नियुक्‍त कयलथिन जाहि सँ ओ सभ हुनका संग रहथि, आ जिनका ओ शुभ समाचारक प्रचार करबाक लेल आ दुष्‍टात्‍मा सभ केँ निकालबाक लेल पठा सकथि।
16बारह शिष्‍य जिनका सभ केँ ओ चुनलनि से यैह सभ छथि—सिमोन, जिनका ओ “पत्रुस” नाम देलथिन, 17जबदीक बेटा याकूब और हुनकर भाय यूहन्‍ना, जिनका सभ केँ ओ बुअनेरगिस, अर्थात्‌ “ठनकाक पुत्र सभ” नाम देलथिन, 18अन्‍द्रेयास, फिलिपुस, बरतुल्‍मै, मत्ती, थोमा, अल्‍फेयासक बेटा याकूब, तद्दै, सिमोन “देश-भक्‍त”#3:18 मूल मे “कनानाइयस”, जे इब्रानी भाषा मे यूनानी भाषाक “जेलोतेस”क बराबरि अछि, जकर शाब्‍दिक अर्थ अछि “उत्‍साही”, और जे यहूदी राष्‍ट्रवादी एक दलक नाम छल। , 19और यहूदा इस्‍करियोती जे बाद मे यीशुक संग विश्‍वासघात कयलकनि।
परमेश्‍वरक शक्‍ति सँ वा शैतानक?
(मत्ती 12:22-32; लूका 11:14-23; 12:10)
20तखन यीशु और हुनकर शिष्‍य सभ एकटा घर मे गेलाह। ओहिठाम ततेक लोक फेर जमा भऽ गेल जे हुनका सभ केँ भोजनो करबाक समय नहि भेटलनि। 21हुनकर घरक लोक जखन ई बात सुनलनि तँ हुनका जबरदस्‍ती लऽ अयबाक लेल विदा भेलाह, ई सोचि जे यीशु पागल भऽ गेल छथि।
22यरूशलेम सँ आयल धर्मशिक्षक सभ कहऽ लगलाह जे, “यीशु मे दुष्‍टात्‍मा सभक मुखिया बालजबूल छैक। तकरे शक्‍ति सँ ओ दुष्‍टात्‍मा सभ केँ निकालैत अछि।”
23हुनका सभ केँ अपना लग बजा कऽ यीशु उदाहरण द्वारा उत्तर देलथिन जे, “शैतान कोना शैतान केँ भगा सकत? 24जँ कोनो राज्‍य मे फूट पड़ि जाय तँ ओ नहि टिकि सकत। 25तहिना जँ कोनो परिवार मे फूट भऽ गेल अछि तँ ओ नहि टिकि सकैत अछि। 26जँ शैतान अपने केँ विरोध करय और ओकरा अपने मे फूट भऽ जाइक तँ ओ टिकि नहि सकैत अछि। ओकर विनाश निश्‍चित छैक। 27केओ कोनो बलगर आदमीक घर मे ढुकि कऽ ओकर चीज-वस्‍तु ताबत तक नहि लुटि सकैत छैक, जाबत तक पहिने ओहि बलगर आदमी केँ बान्‍हि कऽ काबू मे नहि कऽ लैत अछि। ओकरा बान्‍हि लेलाक बादे ओकर वस्‍तु लुटि सकैत अछि। 28अहाँ सभ केँ हम विश्‍वास दिअबैत छी जे, मनुष्‍य केँ सभ तरहक पाप आ निन्‍दाक बातक क्षमा भेटि सकैत छैक, 29मुदा जँ केओ पवित्र आत्‍माक निन्‍दा करैत अछि तँ ओकरा कहियो क्षमा नहि भेटतैक। ओ अनन्‍त पापक दोषी होयत।” 30यीशु ई बात एहि लेल कहलथिन जे ओ सभ कहैत छलाह जे हुनका मे दुष्‍टात्‍मा छनि।
असली सम्‍बन्‍ध
(मत्ती 12:46-50; लूका 8:19-21)
31ओहि समय मे यीशुक माय आ भाय लोकनि ओतऽ पहुँचलाह। सभ गोटे बाहर रहि कऽ, यीशु केँ बाहर अयबाक लेल खबरि पठौलनि। 32यीशुक चारू कात लोक सभ बैसल छल। एक गोटे आबि कऽ हुनका कहलकनि जे, “सुनू! अहाँक माय और भाय लोकनि बाहर ठाढ़ छथि आ अहाँ केँ बजबैत छथि।”
33ओ कहलथिन, “के छथि हमर माय? के सभ छथि हमर भाय?” 34ओ चारू कात बैसल लोकक दिस ताकि कहलनि जे, “देखू! यैह सभ हमर माय और भाय लोकनि छथि! 35जे केओ परमेश्‍वरक इच्‍छाक अनुसार चलैत छथि वैह हमर भाय, हमर बहिन, हमर माय छथि।”

Currently Selected:

मरकुस 3: mai

Highlight

Share

Copy

None

Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in