उसबके ख्याल भेलाके बाद येसु सिमोन पतरुसके कहल्कै,
“ऐ युहन्नाके बेटा सिमोन, कि तु औरो चेलासबसे बेसी हमरा परेम करैचिही?”
उ कहल्कै, “जि परभु, अहाँ के थाहेछै कि हम अहाँके परेम करैचियै।”
येसु ओकरा कहल्कै, “हमर पठरुसबके चरा।”
येसु फेनसे ओकरा कहल्कै,
“ऐ युहन्नाके बेटा सिमोन, कि तु हमरा परेम करैचिही?”
उ कहल्कै, “हँ परभु, हम अहाँके परेम करैचियै से त अहाँ जाइन्ते चियै।”
येसु कहल्कै, “हमर भेंरासबके देखभाल कर।”
येसु फेनसे तेसर बेर पतरुसके पुछल्कै,
“ऐ युहन्नाके बेटा सिमोन, कि तु हमरा परेम करैचिही?” सिमोन पतरुसके मनमे चोट लाग्लै कथिलेकी येसु तिनचोटी “कि तु हमरा परेम करैचिही?” कैहके पुछल्कै। सिमोन ओकरा कहल्कै, “परभु, अहाँ त सब जान्बे करैचियै। अहाँ जानैचियै कि हम अहाँसे परेम करैचियै।” येसु ओकरा कहल्कै, “हमर भेंरासबके चरा।”