Akara Njirimara YouVersion
Akara Eji Eme Ọchịchọ

मरकुस 13

13
मन्‍दिरक विनाश होयबाक भविष्‍यवाणी
(मत्ती 24:1-3; लूका 21:5-7)
1मन्‍दिर सँ बहराइत काल यीशु केँ हुनकर एकटा शिष्‍य कहलथिन, “गुरुजी, देखू! एहि मन्‍दिरक मकान सभ कतेकटा अछि! और एहि मे कतेक सुन्‍दर-सुन्‍दर पाथर लागल अछि!” 2यीशु हुनका कहलथिन, “ई जे बड़का मकान सभ देखैत छिऐक—एतऽ एकोटा पाथर एक-दोसर पर नहि रहत, सभ ढाहल जायत।”
3तखन मन्‍दिरक सामने मे जैतून पहाड़ पर यीशु जखन बैसल छलाह, तँ पत्रुस, याकूब, यूहन्‍ना और अन्‍द्रेयास एकान्‍त मे हुनका सँ पुछलथिन जे, 4“हमरा सभ केँ कहू—ई बात सभ कहिया होयत? और कोन चिन्‍ह होयतैक जाहि सँ बुझि सकी जे ई बात सभ आब होयत?”
विपत्ति सभक शुरुआत
(मत्ती 24:4-14; लूका 21:8-19)
5यीशु हुनका सभ केँ कहलथिन, “होसियार रहू जे अहाँ सभ केँ केओ बहकाबऽ नहि पाबय। 6बहुतो लोक हमर नाम लऽ कऽ आओत और कहत जे ‘हम वैह छी!’, और बहुतो लोक केँ बहका देत। 7जखन अहाँ सभ लड़ाइक समाचार और लड़ाइक हल्‍ला सभ सुनब तखन घबड़ायब नहि, ई सभ होयब आवश्‍यक अछि, मुदा संसारक अन्‍त तहिओ नहि होयत। 8एक देश दोसर देश सँ लड़ाइ करत, और एक राज्‍य दोसर राज्‍य सँ। बहुतो ठाम मे अकाल पड़त आ भूकम्‍‍प होयत। ई सभ बात तँ कष्‍टक शुरुआते होयत!
9“मुदा अहाँ सभ सावधान रहू! किएक तँ लोक सभ अहाँ सभ केँ पकड़ि कऽ दण्‍ड लगबयबाक लेल पंच सभक समक्ष लऽ जायत आ सभाघर सभ मे अहाँ सभ केँ कोड़ा सँ पिटबाओत। हमरा कारणेँ अहाँ सभ राज्‍यपाल सभ और राजा सभक समक्ष ठाढ़ कयल जायब, और हुनका सभ केँ अहाँ सभ हमरा बारे मे गवाही देब। 10अन्‍तिम समय सँ पहिने परमेश्‍वरक शुभ समाचारक प्रचार सभ जाति मे होयब आवश्‍यक अछि। 11और जखन लोक अहाँ सभ केँ पकड़ि कऽ दण्‍ड लगबयबाक लेल कचहरी मे लऽ जायत तँ ओहि सँ पहिने एकर चिन्‍ता नहि करब जे हम की कहब। बाजऽ वला अहाँ अपने नहि होयब, पवित्र आत्‍मा होयताह, तेँ ओहि समय मे अहाँ केँ मोन मे जे बात देल जाय वैह बात बाजब।
12“भाय भाय केँ, और बाबू अपना बेटा केँ मृत्‍युदण्‍डक लेल पकड़बाओत, और बेटा-बेटी अपन माय-बाबूक विरोधी भऽ कऽ मरबा देत। 13अहाँ सभ सँ सभ केओ एहि लेल घृणा करत जे अहाँ सभ हमर लोक छी। मुदा जे व्‍यक्‍ति अन्‍त तक स्‍थिर रहत से उद्धार पाओत।
महासँकट
(मत्ती 24:15-28; लूका 21:20-24)
14“मुदा जखन अहाँ सभ ‘विनाश करऽ वला घृणित वस्‍तु’ केँ ओहिठाम ठाढ़ देखब जाहि ठाम नहि होयबाक चाही—पढ़ऽ वला ई बात ध्‍यान दऽ कऽ बुझू!—तखन जे सभ यहूदिया प्रदेश मे होअय से सभ पहाड़ पर भागि जाय। 15जे छत पर होअय से उतरि कऽ कोनो सामान लेबाक लेल घर मे नहि जाओ—ओहो भागि जाओ। 16और जे खेत मे होअय से अपन ओढ़ना लेबाक लेल घूमि कऽ नहि आबओ। 17ओहि समय मे जे स्‍त्रीगण सभ गर्भवती होयत वा जकरा दूधपीबा बच्‍चा होयतैक, तकरा सभ केँ कतेक कष्‍ट होयतैक! 18प्रार्थना करू जे ई सभ बात जाड़क समय मे नहि होअय! 19कारण ओहि समय मे एहन कष्‍ट होयत जे शुरू सँ, जखन परमेश्‍वर पृथ्‍वीक सृष्‍टि कयलनि, आइ तक कहियो नहि भेल अछि, आ ने फेर कहियो होयत। 20परमेश्‍वर ओहि समय केँ जँ घटा नहि देने रहितथि, तँ केओ नहि बँचैत। मुदा परमेश्‍वर अपन चुनल लोकक कारणेँ ओहि समय केँ घटा देलथिन।
21“ओहि समय मे जँ केओ अहाँ सभ केँ कहत जे, ‘देखू! मसीह एतऽ छथि’, वा ‘ओतऽ छथि’ तँ ओहि बात पर विश्‍वास नहि करब। 22कारण, ओहि समय मे झुट्ठा मसीह आ झूठ बाजि कऽ अपना केँ परमेश्‍वरक प्रवक्‍ता कहऽ वला सभ प्रगट होयत, और एहन आश्‍चर्यजनक बात आ चमत्‍कार सभ देखाओत जे, जँ सम्‍भव रहैत, तँ परमेश्‍वरक चुनल लोक सभ केँ सेहो बहका दैत। 23मुदा अहाँ सभ होसियार रहू! हम अहाँ सभ केँ सभ बात पहिनहि कहि देलहुँ।
मनुष्‍य-पुत्र फेर औताह
(मत्ती 24:29-35; लूका 21:25-33)
24“मुदा ओहि दिन सभ मे, एहि संकटक बाद,
‘सूर्य अन्‍हार भऽ जायत,
चन्‍द्रमा इजोत नहि देत।
25आकाश सँ तारा सभ खसत,
और आकाशक शक्‍ति सभ हिलाओल जायत।’#13:25 यशा 13:10; यशा 34:4
26तखन लोक सभ मनुष्‍य-पुत्र केँ अपार शक्‍ति और महिमाक संग मेघ मे अबैत देखत। 27तखन पृथ्‍वी सँ आकाश तक चारू दिस सँ ओ अपन चुनल लोक सभ केँ जमा करबाक लेल अपन स्‍वर्गदूत सभ केँ पठौताह।
28“आब अंजीरक गाछ सँ एकटा बात सिखू—जखन ओकर ठाढ़ि कोमल होमऽ लगैत छैक और ओहि मे नव पात निकलऽ लगैत छैक तखन अहाँ सभ बुझि जाइत छी जे गर्मीक समय आबि रहल अछि। 29तहिना जखन अहाँ सभ ई बात सभ होइत देखब तखन बुझि लिअ जे समय लगचिआ गेल, हँ, ई बुझू जे ओ घरक मुँह पर आबि गेल अछि। 30हम अहाँ सभ केँ सत्‍य कहैत छी जे एहि पीढ़ी केँ समाप्‍त होमऽ सँ पहिने ई सभ घटना निश्‍चित घटत। 31आकाश और पृथ्‍वी समाप्‍त भऽ जायत, मुदा हमर वचन अनन्‍त काल तक रहत।
मनुष्‍य-पुत्रक प्रतीक्षा
(मत्ती 24:36-44)
32“मुदा एहि घटना सभक दिन वा समय केओ नहि जनैत अछि, स्‍वर्गदूतो सभ नहि आ पुत्रो नहि—मात्र पिता जनैत छथि। 33होसियार रहू! बाट तकैत रहू आ प्रार्थना करैत रहू! अहाँ सभ तँ नहि जनैत छी जे ओ समय कहिया होयत। 34ई बात एहन अछि जेना एक आदमी यात्रा पर परदेश जाय लगलाह। जाय सँ पहिने ओ अपन घरक लेल नोकर सभ केँ अपन-अपन जबाबदेही देलनि, और चौकीदार केँ पहरा देबाक लेल आज्ञा देलनि। 35तहिना अहाँ सभ बाट तकैत रहू, किएक तँ अहाँ नहि जनैत छी जे घरक मालिक कखन फिरि औताह—साँझ, आधा राति, भोरहरिया, वा भिनसर मे। 36एना नहि होअय जे ओ अचानक आबि कऽ अहाँ सभ केँ सुतल पौताह। 37अहाँ सभ केँ हम जे कहैत छी से सभ केँ कहैत छी—होसियार रहू!”

Nke Ahọpụtara Ugbu A:

मरकुस 13: mai

Mee ka ọ bụrụ isi

Kesaa

Mapịa

None

Ịchọrọ ka echekwaara gị ihe ndị gasị ị mere ka ha pụta ìhè ná ngwaọrụ gị niile? Debanye aha gị ma ọ bụ mee mbanye