चुन्ल आर भेज्ल चेलासब 6

6
सेवा करैके लिए सातटा आदमी चुन्ल गेलै
1उटा समयमे प्रभु येशूके चेलासिके संख्या बढ्ते जैते रहै। तब हिब्रू भाषा बोलेवाला यहूदी विश्वासीसिके विरोधमे यूनानी भाषा बोलेवाला यहूदी विश्वासीसब कुड-कुडाबे लाग्लै। हरेक दिन खाना-पिना या पैसा बाँटै बेरियाँ ओकरसिके मोसामातसिके वास्ता नैभेलै कहिके यूनानी भाषा बोलेवाला यहूदी विश्वासीसिके कहना रहै।
2तब बारहो चुन्ल आर भेज्ल चेलासब यरूशलेम सहरके दोसर विश्वासीसिके बोल्याके कहैल्कै, “हमेसब चुन्ल आर भेज्ल चेलासिके आपन समय परमेश्वरके वचन सिखाबैमे व्यतित करना चाही, नै कि खिलाबै-पिलाबैके सेवा करैमे। 3सेल्याके विश्वासी भ्यासब, तोरसिके बीचसे सातटा आदमीसिके चुन जकर बारेमे सभैके यी मालुम छै कि ऊसब पवित्र आत्मा आर बुद्धिसे परिपूर्ण छै आर सभैसे आदर पैल छै, ताकी ओकरासिके यी कामके लिए हमेसब नियुक्त करियै। 4आर हमेसब प्रार्थना, वचनके प्रचार आर शिक्षा दियैके सेवामे पुरा समय देबै।”
5यी विचार समूहके सभैके बढियाँ लाग्लै। ऊसब पवित्र आत्मा आर विश्वाससे परिपूर्ण भेल स्तिफनस, फिलिप, प्रखरस, निकनोर, तीमोन, पर्मिनास, आर एन्टीओखियाके यहूदी मत मानेवाला निकोलाउसके चुनल्कै। 6ऊसब यी आदमीसिके चुन्ल आर भेज्ल चेलासिके समनामे आनल्कै आर चुन्ल आर भेज्ल चेलासब प्रार्थना कैल्कै आर ओकरासिके जे कामके लिए चुनल्कै रहे उहे काम करैके लिए ओकरासिके नियुक्त कैल्कै।
7एरंके परमेश्वरके वचन फैल्ले गेलै आर चेलासिके संख्या यरूशलेम सहरमे बहुते बढ्ते गेलै। आर बहुते यहूदी पुजारीसब भी येशू ख्रीष्टमे विश्वासके यी सन्देशके स्वीकार कैल्कै।
स्तिफनसके गिरफ्तारी
8स्तिफनस अनुग्रह आर शक्तिसे परिपूर्ण भ्याके आदमीसिके बीचमे बडका-बडका चमत्कार आर चिन्हसब देखैल्कै। 9मगर कुछु आदमीसब स्तिफनसके विरोध कैल्कै। ऊसब यहूदी आदमीसिके सभाघरके सदस्य रहै, जकरा गुलामी-मुक्त#६:९ गुलामी-मुक्त गुलामी-मुक्त ऊ यहूदी आदमीसिके सन्तान रहै, जकरा ६३ ई. पू. मे रोमीसब लडाईमे बन्दी बनैल्कै रहे, ओकरासिके दाससिके जुगुर बेच्ल गेलै रहे, मगर पाछु ओकरासिके आजाद करि देल गेलै। ओकरसिके यरूशलेम सहरमे कुरेनी सहरसे ओत्ते ऐल ऊ यहूदी आदमीसिके संगे एकटा यहूदी आदमीसिके सभाघर रहै। कहेल जैते रहै, ऊसब कुरेनी आर अलेक्जेण्ड्रिया सहरसिसे रहै आर किलिकिया प्रदेश आर एशिया प्रदेशसिसे भी रहै। ऊ सभेको मिलिके स्तिफनस संगे वाद-विवाद करे लाग्लै।
10मगर ऊ जे कुछु भी कहैल्कै ऊसब ओकर बातके कोनो जबाब दिए नैसकल्कै, कहिनेकी पवित्र आत्मा ओकरा बहुते बुद्धिमानीसे बोलैमे सहायता कैल्कै। 11तब गुलामी-मुक्त आदमीसब गुप्तमे कुछु आदमीसिके स्तिफनसके विषयमे झुठ बोलैके लिए मनैते कहैल्कै, “हमेसब यी आदमीके मूसा आर परमेश्वरके विधि-विधानके विरुद्धमे अपमानके बात बोल्ते सुन्लियै छे।”
12ऊसब स्तिफनसके विरुद्धमे जनतासिके, यहूदी आदमीसिके अगुवा आर यहूदी धरमशास्त्रके पण्डितसिके भडकैल्कै, आर ऊसब आबिके स्तिफनसके पक्डीके यहूदी आदमीसिके महासभाके समनामे ल्यागेलै। 13ओत्ते ऊसब झुट्ठा गवाह पेश कैल्कै जेसब स्तिफनसपर यी आरोप लगैते कहैल्कै, “यी आदमी पवित्रस्थान आर मूसाके विधि-विधानके विरोधमे अपमानवाला बात बोलैले नैछोडैछै। 14कहिनेकी एकरा हमेसब एरं कहते सुन्लियै छे कि, ‘नासरत गाँवके निवासी येशू यी परमेश्वरके मन्दिरके ढाही देतै, आर मूसाद्वारा अपनासिके देल रिती-रिवाजके भी बदली करि देतै।’ ” 15यहूदी आदमीसिके महासभामे बैठ्ल आदमीसब जब स्तिफनसके तरफ देखल्कै ते, देखल्कै कि ओकर चेहरा स्वर्गदूतके चेहरा जुगुर चमकते रहै।

Markering

Del

Kopiér

None

Vil du have dine markeringer gemt på tværs af alle dine enheder? Tilmeld dig eller log ind