मत्ती 3
3
बप्तिस्मा दिएवाला यूहन्ना आर ओकर सन्देश
(मर्कू १:१-८; लूक ३:१-१८; यूह १:१९-२८)
1उहे समय बप्तिस्मा दिएवाला यूहन्ना यहूदिया प्रदेशके सुनसान जगहमे ऐलै, आर एरं कहिके प्रचार करे लाग्लै, 2“पाप करैले छोड आर परमेश्वरके तरफ मन लगा कहिनेकी स्वर्गके राज्य नज्दिक ऐल छै।” 3कहिनेकी यी उहे छै, जकर विषयमे यशैया परमेश्वरके वक्ताद्वारा एरं कहेल रहै,
“सुनसान जगहमे एकटा चिकरेवालाके आवाज, परमप्रभुके रस्ता तैय्यार कर, ओकर रस्ता ठीक कर।”
4बप्तिस्मा दिएवाला यूहन्ना ऊँटके रुइयाँसे बुन्ल साधारण कपडा पिन्है, आर कम्मरमे चमडाके पेटी बान्है। ओकर भोजन फडिंगा आर जंगलके सहद रहै। 5यरूशलेम सहर आर सभे यहूदिया प्रदेश आर यर्दन लद्दी अगल-बगलके सभे आदमीसब ओकरलगत ऐलै, 6आर आपन-आपन पाप स्वीकार कर्ते यर्दन लद्दीमे यूहन्नासे बप्तिस्मा लिए लाग्लै। 7मगर फरिसी समूहके आदमीसब आर सदुकी समूहके आदमीसिमेसे बहुते आदमीसिके बप्तिस्मा लिए ऐते देखिके ऊ ओकरासिके कहैल्कै, “तुहेंसब जहरिला साँपके जुगुर दुष्ट छैं! तुहेंसब जे एखनिहौं तक पाप करैले छोडिके परमेश्वरके तरफ मन नैलगैलहैं छे, तैय्योपर तोरासिके के सिख्या देल्कौ कि परमेश्वरसे आबेवाला सजायसे बची जैभैं? 8तुहेंसब पाप करैले छोडिके परमेश्वरके तरफ मन लगैलहैं छे ते, यी बातके आपन व्यवहारद्वारा साबित कर। 9आर आपन मनमे यी सोचिके बेफिकिर नै भ्याजो कि, हमरसिके कुल-पिता ते ‘अब्राहम’ छै। हमे तोरासिके कहैछियौ कि, परमेश्वर यी पत्थलसिसे अब्राहमके लिए सन्तान पैदा करे सकैछै। 10जे आदमीसब पाप करैले छोडिके परमेश्वरके तरफ मन नैलगाबैछै, ऊ परमेश्वरद्वारा दोषी ठहरैल जैतै आर ओकरा आगिनमे झोंकी देल जैतै, ठीक ओहिने जेरंके कुढेर लेल आदमी उटा सभे गाछके जड काटिके आगिनमे झोंकी दैछै जे गाछ बढियाँ फल नैदैछै।
11हमे ते तोरासिके पाप करैले छोड आर परमेश्वरके तरफ मन लगा कहिके पानीके बप्तिस्मा दैछियौ, मगर हमरसे पाछु आबेवाला एकटा आदमी हम्रहौसे शक्तिशाली छै, जकर जुत्ता उठाबैके योग्य हमे नैछियै। ऊ तोरासिके पवित्र आत्मा आर आगिनसे बप्तिस्मा देतौ। 12ओकर फटकेवाला सुप्पा ओकर हातमे छै, आर ऊ आपन खम्हारके अनाजके पुरे साफ कर्तै आर गहुम बखारीमे जमा कर्तै, मगर भुस्साके ऊ कहियो नैमिझाबेवाला आगिनमे जरैतै।”
येशूके बप्तिस्मा
(मर्कू १:९-११; लूक ३:२१-२२; यूह १:३२-३४)
13तब येशू गालील जिलासे बप्तिस्मा दिएवाला यूहन्नालगत ओकरासे बप्तिस्मा लियैले यर्दन लद्दीमे ऐलै। 14मगर बप्तिस्मा दिएवाला यूहन्ना ओकरा एरं कहिके रोकैले खोजल्कै, “बरु हमरा तोरासे बप्तिस्मा लेना जरुरी छै, आर कि तुहें हमरलगत आबैछ?” 15मगर येशू ओकरा कहैल्कै, “एखन अहिने हुए दहैं। कहिनेकी अहिने करिके हमरासिके सभे धार्मिकता पुरा करे पड्तै।” तब यूहन्ना राजी भेलै। 16तब येशू बप्तिस्मा ल्याके तुरन्ते पानीसे उप्पर ऐलै, तब आकाश उघर्लै आर परमेश्वरके आत्माके पेर्वाके रुपमे उतर्ते आर आपन उप्परमे ऐते देखल्कै। 17तब परमेश्वर स्वर्गसे बोल्लै आर येशूके कहैल्कै, “यी हमर प्यारा बेटा छै, एकरासे हमे बहुते खुश छियै।”
Dewis Presennol:
मत्ती 3: KYVNT
Uwcholeuo
Rhanna
Copi
![None](/_next/image?url=https%3A%2F%2Fimageproxy.youversionapi.com%2F58%2Fhttps%3A%2F%2Fweb-assets.youversion.com%2Fapp-icons%2Fcy.png&w=128&q=75)
Eisiau i'th uchafbwyntiau gael eu cadw ar draws dy holl ddyfeisiau? Cofrestra neu mewngofnoda
Kayort (केवट) Bible by The Love Fellowship is licensed under Creative Commons Attribution-ShareAlike 4.0 License.