मर्कूस 12
12
दुष्ट किसानके खिसा
(मत्ती २१:३३-४६; लूक २०:९-१९)
1एकरबाद, येशू कुछु खिसाके माध्यमसे यहूदी जनतासिके धरमगुरुसिसे बात करैले शुरु कैल्कै। ऊ कहे लाग्लै, “एकटा आदमी खेतमे अंगुरके बगान लगैल्कै। ऊ खेतके चारो महर पत्थलके दिवाल लगैल्कै, आर एकटा कल्हु बनैल्कै। ऊ चारो महर जानवरसिसे खेतके बचाबैके लिए एकटा मचान बनैल्कै। तब ऊ उटा खेतके कुछु किसानके ठिक्कापर द्याके अपना परदेश गेलै। 2जब अंगुर पाक्लै, तब ऊ आपन नोकरसिमेसे एकटाके किसान लगत भेजल्कै ताकी ओकरा अंगुरके बगानसे कुछु फल मिले सकै। 3मगर किसानसब ओकरा पक्डीके मारल्कै आर बिना कुछु द्याके ओकरा वापस खाली हात भेजल्कै। 4फेर खेतके मालिक किसानसिके लगत दोसर नोकरके भेजल्कै, मगर ऊसब ओकर मथामे ठोकल्कै आर ओकर बेज्जत कैल्कै। 5खेतके मालिक आरहौ दोसर झनके भेजल्कै, मगर ऊसब ओकर जान मारल्कै, आर ऊ आरहौ आदमीसिके भेजल्कै, मगर ऊसब कक्रहौ मारपिट कैल्कै ते कक्रहौ जान मारल्कै। 6आब खेतके मालिक लगत भेजैके लिए खाली एक्केटा आदमी रहै। ऊ आदमी ओकर प्यारा बेटा रहै। ऊसब हमर बेटाके ते आदर कर्तै कहिके सभैसे पाछु ओक्रहै ओकरसिके लगत भेजल्कै।” 7मगर जब किसानसब ओकर बेटाके ऐते देखल्कै, तब ऊसब एक दोसरके कहैल्कै, यी ते हकवाला छै। या, एकरा जान मारैछियै, आर एकर हक आपनसिके हैतै। 8तब ऊसब ओकरा पक्डीके जान मारल्कै, आर ओकर लासके अंगुरके बगानके बाहार फेकि देल्कै।
9तोरासिके केरं लागैछौ अंगुरके बगानके मालिक कि कर्तै? ऊ आबिके किसानसिके जान मार्तै आर खेत दोसर आदमीसिके देतै। 10कि तुहेंसब धरमशास्त्रके यी खण्ड नैपढ्लहैं छे, जे ख्रीष्टके तुलना एकटा महत्वपूर्ण पत्थलसे करैछै? ओत्ते लिख्ल छै,
“जे पत्थलके राज मिसतिरीसब फेकि देल्कै,
यी उहेटा पत्थल छै जे पुरा घरमे सभैसे महत्वपूर्ण पत्थल बनी गेलै।
11यी परमेश्वरके द्वारा कैल गेलै छे आर यी आपनसिके नजरमे बहुते अदभुत छै।”
12यहूदी आदमीसिके अगुवासब बुझी गेलै कि येशू ओकरसिके विरुद्धमे यी खिसा बतैल्कै रहे। सेल्याके ऊसब ओकरा गिरफ्तार करैले चहते रहै। मगर ऊसब भीडसे डराबैके कारणसे ओकरा छोडिके चल गेलै।
महाराजाके कर दियैके विषयमे सवाल
(मत्ती २२:१५-२२; लूक २०:२०-२६)
13पाछु, यहूदी अगुवासब येशू लगत फरिसी समूहके आदमीके कुछु आदमीसिके आर हेरोद राजाके समर्थन करेवालासिमेसे कुछु आदमीके ओकरा सवालके जालमे फसाबैके लिए भेजल्कै। 14ऊसब आबिके ओकरा कहैल्कै, “गुरुजी, हमेसब जानैछियै, कि तुहें सभे दिन सच बताबै छह, तुहें यी बातसे नैडराबै छह कि दोसर आदमीसब तोर बारेमे कि सोचैछै। तुहें सभैसे एक समान व्यवहार करैछ आर परमेश्वरके रस्ता सच्चा तरिकासे सिखाबै छह। आब हमरासिके बताब, कि रोमी महाराजाके कर देना हमरसिके धरमशास्त्रके खिलाफ छै? 15कि हमरासिके कर देना चाही या हमरासिके कर नैदेना चाही?” येशू ओकरसिके छल-कपटी जानीके ओकरासिके कहैल्कै, “तुहेंसब हमरासे कुछु गलत कहेल जैके कारणसे फसाबैके कोशिश कहिने करैछैं? हमरा एकटा चानीके सिक्का#१२:१५ चानीके सिक्का एकटा रोमी सिक्का रहै। एकर उपयोग यहूदी आदमीसिके द्वारा रोमी सरकारके कर भुक्तान करैके लिए कैल जैते रहै। उटा चानीके सिक्कामे महाराजाके नाम आर तस्वीर छाप्ल रहते रहै। आनिके देखा।” 16ऊसब एकटा चानीके सिक्का आनल्कै। ऊ ओकरासिके कहैल्कै, “हमरा बता कि यी चानीके सिक्कापर ककर तस्वीर आर ककर नाम छै?” ऊसब ओकरा कहैल्कै, “रोमी महाराजाके।” 17तब येशू ओकरासिके कहैल्कै, “जे रोमी महाराजाके छै, उटा महाराजाके दहैं, आर जे परमेश्वरके छै उटा परमेश्वरके दहैं।” तब ऊसब येशूसे बहुते आश्चर्यचकित भेलै।
मुर्दासे जिन्दा हुऐके विषयमे सवाल
(मत्ती २२:२३-३३; लूक २०:२७-४०)
18यहूदी धरमके धरमगुरुसब जकरा सदुकी समूहके आदमी कहेल जैते रहै। ऊसब यी विश्वास नैकर्ते रहै कि आदमी मर्लके बाद मुर्दासे जिन्दा भ्याके उठैछै। सेल्याके ओकरसिमेसे कुछु आदमीसब येशूके लगत ऐलै आर ओकरासे एकटा कठिन सवाल कैल्कै। 19आर कहैल्कै, “गुरुजी, मूसा हमरसिके लिए एकटा धार्मिक किताबमे लिखल्कै रहे कि अगर कोनो विवाहित मरदके मौत भ्याजैछै, आर ऊ बिना कोनो सन्तानके पतनीके छोडिके जैछै ते, उटा आदमीके छोटका भ्याके मोसामातसे बिहा क्या लेना चाही आर एकटा सन्तान जनमाना चाही जे ओकर बडका भ्याके हकवाला है। 20एकटा परिवारमे सात भ्या रहै। सबसे बडका भ्या बिहा कैल्कै मगर बिना कोनो सन्तानके ओकर मौत भ्यागेलै। 21दोसर भ्या आपन (मर्ल भ्याके) मोसामातसे बिहा कैल्कै, मगर ऊ भी बिना कोनो सन्तानके मरि गेलै। इहे बात तेसर भ्याके संगे आर सभे सात भ्याके संगे भेलै। 22ऊ जनानी ओकरामेसे ककरो लिए भी एकटा बच्चाके जनम नैदेल्कै। आर अन्तमे उटा जनानी भी मर्लै। 23आब, हमरासिके बताब कि उटा समय जब मर्ल आदमीसब फेरसे मुर्दासे जिन्दा हैतै, ऊ ककर पतनी हैतै? हमेसब यी सेल्याके पुछैछिहौं कहिनेकी ऊ सातोझन से बिहा कैल्कै रहे।”
24येशू ओकरासिके कहैल्कै, “तुहेंसब गलत छैं कहिनेकी तुहेंसब नैजानैछैं कि धरमशास्त्र कि कहैछै, आर तुहेंसब परमेश्वरके शक्तिके बारेमे नैजानैछैं? 25कहिनेकी मुर्दासे जब आदमीसब फेर जिन्दा हैतै, तब आदमीसब बिहा नैकर्तै, जेरंके स्वर्गमे रहेवाला स्वर्गदूत बिहा नैकरैछै। 26मुर्दासिके जिन्दा हुएवाला विषयमे कि तुहेंसब मूसाके किताबमे नैपढ्लहैं छे? अब्राहम, इसहाक आर याकूबके धर्तीमे मौतके बहुते समयके बाद, परमेश्वर मूसाके कहैल्कै,
‘हमे तोर बाप-पुर्खा अब्राहम, इसहाक आर याकूबके परमेश्वर छियौ।’
27सेल्याके ऊ मर्ल आदमीसिके परमेश्वर नैछै। परमेश्वर ऊ सभे आदमीसिके परमेश्वर छै जेसब जिन्दा छै! तुहेंसब बहुते गलत छैं।”
सभैसे महान आज्ञा
(मत्ती २२:३४-४०; लूक १०:२५-२८)
28यहूदी धरमशास्त्रके पण्डितसिमेसे एकझन ऐलै, तब येशू आर सदुकी समूहके आदमीसिके एक दोसरसंगे विवाद कर्ते सुनल्कै। येशूके आदमीसिके सही जबाब देते देखिके ऊ ओकरा पुछल्कै, “परमेश्वर जतनें भी आज्ञा देल्कै छे, ओकरासिमेसे सभैसे महत्वपूर्ण आज्ञा कोन्टा छै?” 29येशू जबाब देल्कै “सभे आज्ञामे से यी आज्ञा प्रमुख छै, ‘तुहें इस्राएलीसब सुन: प्रभु परमेश्वर जकर अपनासब आराधना करैछियै, खाली उहे प्रभु छै।
30तुहें प्रभु आपन परमेश्वरके तोर पुरा हृदयसे, तोर पुरा जानसे, तोर पुरा समझसे आर तोर पुरा शक्तिसे प्रेम कर।’
31आर दोसर सभैसे महत्वपूर्ण आज्ञा यी छै,
‘दोसरसे भी ओतनें ही प्रेम कर जतनें तुहें अपने आपसे प्रेम करैछैं।’
परमेश्वर यी दीटा आज्ञासे बडका कोनो आज्ञा नैदेल्कै छे।” 32यहूदी धरमशास्त्रके पण्डित ओकरा कहैल्कै, “गुरुजी, तुहें ठीक कहेल, कि परमेश्वर ही एक्केटा परमेश्वर छै आर कोनो दोसर परमेश्वर नैछै। 33ओकरा पुरा हृदयसे, पुरा समझसे, पुरा जानसे, पुरा शक्तिसे प्रेम करना, आर दोसरसे भी ओतनें ही प्रेम कर जतनें तुहें अपने आपसे प्रेम करैछैं, यी काम करना सभे जानवर आर बलिदान, जे अपनासब परमेश्वरके चढाबैछियै ओकरासे उत्तम छै।” 34जब येशू देखल्कै कि उटा आदमी बुद्धिमानीके साथ जबाब देल्कै, तब येशू कहैल्कै, “तुहें परमेश्वरके राज्यमे प्रवेश करैके नज्दिक छैं।” उहे समयसे कोय ओकरा सवाल पुछैके हिम्मत नैकैल्कै।
येशूके सवाल
(मत्ती २२:४१-४६; २३:१-३६; लूक २०:४१-४७)
35तब परमेश्वरके मन्दिरमे सिखाबैके समय येशू कहैल्कै, “यहूदी धरमशास्त्रके पण्डित केरंके कहे सकैछै कि ख्रीष्ट दाऊद राजाके सन्तान हैतै? 36एत्तेतक कि दाऊद राजा, जब परमेश्वरके पवित्र आत्मा ओकरा बोलैके शक्ति देल्कै ते, ऊ कहैल्कै:
‘परमेश्वर हमर प्रभुके आपन बगलमे सम्मान आर अधिकारके पदवीमे बैठैके लिए कहैल्कै रहे,
जब कि ऊ ओकर सभे दुश्मनसिके पुरा तरहसे ओकर अधिन करिदेल्कै।’
37कहिनेकी उटा भागमे भी, एत्तेतक कि दाऊद राजा भी ख्रीष्टके प्रभु कहिके सम्बोधित कैल्कै ते, ऊ भी दाऊद राजाके सन्तान केरंके हुए सकैछै?” तब ओत्करो बडका भीड ओकर शिक्षा खुशीसे सुनल्कै।
38तब शिक्षा दियै बेरियाँ येशू कहैल्कै, “यहूदी धरमशास्त्रके पण्डितसिसे होशियार र। ऊसब यी बात पसन्द करैछै कि सामूहिक स्थान पर आदमीसब ओकरासिके लम्बा, आर महँगा कपडा पिन्हल देखै आर ऊसब यी पसन्द करैछै कि बजारमे आदमीसब ओकरासिके आदरके साथ प्रणाम करै, 39ऊसब यहूदी आदमीसिके सभाघरमे आर भोजमे सम्मानके जगहमे बैठैले पसन्द करैछै। 40ऊसब धोखा करिके मोसामातसिके सम्पति हडपी लैछै, मगर ऊसब सामूहिक रुपसे लम्बा समयतक प्रार्थना करैछै ताकी आदमीसब यी सोचै कि ऊसब बढियाँ छै। एरंको आदमीसिके परमेश्वर निश्चित रुपसे आरहौ बेसी कडा सजाय देतै।”
मोसामातके चढैल दान
(लूक २१:१-४)
41तब येशू मन्दिरके दान चढाबेवाला जगहके समनामे बैठ्लै, आर भीडके आदमीसिके दान-पेटीमे दान चढैते देखल्कै। बहुते मातबर आदमीसब बहुते-बहुते पैसा चढैल्कै। 42तब एकटा गरिब मोसामात आबिके तामके दीटा सिक्का चढैल्कै, जकर दाम बहुते कम रहै। 43आपन चेलासिके आपन लगत बोल्याके ओकरासिके कहैल्कै, “सच्चे हमे तोरासिके कहैछियौ, दान-पात्रमे चढाबेवालासिमेसे यी गरिब मोसामात सभैसे बेसी चढैल्कै। 44ऊसब मातबर छै आर ऊसब ओकरामेसे कनेजरा देल्कै छे जकर ओकरासिके जरुरत नैरहै, मगर यी मोसामात गरिब छै आर ऊ उटा सभे कुछु देल्कै जेटा एकर लगत रहै। ऊ आपन सभे पैसा द्या देल्कै छे, जेटा ऊ आपन जरुरतके खातिर इस्तमाल करे सक्तियै।”
Currently Selected:
मर्कूस 12: KYVNT
Highlight
Share
Copy

Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in
Kayort (केवट) Bible by The Love Fellowship is licensed under Creative Commons Attribution-ShareAlike 4.0 License.