मत्ती 25
25
दशटा कनियाँके खिसा
1फेर येशू आपन चेलासिके कहैल्कै, “जब हमे, आदमीके बेटा वापस ऐबै, तब परमेश्वरके राज्य एरं हैतै: दशटा कुमारी कनियाँ आपन चिराग ल्याके दुल्हाके भेट करैले ओकर बिहाके उत्सवमे गेलै। 2ओकरामेसे पाँचटा निर्बुद्धि कनियाँ आर पाँचटा बुद्धिमती कनियाँ रहै। 3निर्बुद्धि कनियाँसब चिराग ल्यागेलै, मगर ऊसब आपन संगमे फाल्तु तेल नैल्यागेलै। 4मगर बुद्धिमती कनियाँसब आपन चिराग संग संगे बरतनमे फाल्तु तेल भी ल्यागेलै। 5दुल्हाके आबैले जब बेर भेलै ऊ सभेको निनसे झुमिके सूती गेलै।
6मगर आधा रातमे एकटा आवाज ऐलै, ‘देख दुल्हा आबी रहल छै! जो आर ओकर भेट कर।’ 7तब ऊ सभे कनियाँसब उठ्लै, आर आपन-आपन चिराग तैय्यार कैल्कै। 8निर्बुद्धि कनियाँसब बुद्धिमती कनियाँसिके कहैल्कै, ‘तोरसिके तेलसे हम्रहौसिके कनेजरा दे, कहिनेकी हमरसिके चिराग ते मिझाबे लाग्लै।’ 9मगर बुद्धिमती कनियाँसब एरं कहिके जबाब देल्कै, ‘हमरासिके आर तोरासिके पुगेवाला फाल्तु तेल नैछै, बरु दोकानदार लगत जो आर आपन लिए तेल किन।’ 10ऊसब जब तेल किने गेलै तब दुल्हा ऐलै आर तैय्यार भेल कनियाँसब ओकरसंगे बिहाके घरमे भित्तर ढुक्लै आर केबाड बन्द भेलै। 11कुछु समयके बाद ऊ मूर्ख कनियाँसब ऐलै आर कहे लाग्लै, ‘हे प्रभु! हे प्रभु! हमरसिके लिए भी केबाड खोली द्या।’ 12मगर दुल्हा भितरसे जबाब देल्कै, ‘हमे तोरासिके सच कहैछियौ, हमे तोरासिके नैचिन्हैछियौ।’ 13सेल्याके जग्गा र, कहिनेकी हमर घुमिके आबैके दिन आर घडी तोरासिके मालुम नैछौ।”
सोनाके सिक्काके खिसा
(लूक १९:११-२७)
14“फेर जब हमे वापस ऐबै, तब परमेश्वरके राज्य एरं हैतै: एकटा आदमी परदेश जैके लिए आपन घर छोडी दैछै। ऊ आदमी परदेश जैबेरियाँ आपन नोकरसिके बोल्याके आपन धन-दौलतमे से कुछु दौलत ओकरसिके जिम्मा देल्कै आर ऊ आदमी नोकरसिके कहैल्कै, ‘यी पैसा लगानी लग्याके बहुते सम्पति कमा।’ 15ऊ आदमी सभे नोकरसिके ओकरसिके क्षमता मुताबिक एकटाके पाँचटा सोनाके सिक्काके झोला, दोसरके दी सोनाके सिक्काके झोला, आर तेसरके एकटा सोनाके सिक्काके झोला द्याके ऊ परदेश चल गेलै। 16तब पाँचटा सोनाके सिक्काके झोला पाबेवाला नोकर तुरन्ते जैके उटा सिक्का व्यापारमे लग्याके आरहौ पाँचटा सोनाके सिक्काके झोला कमैल्कै। 17ओहिने करिके दीटा सोनाके सिक्काके झोला पाबेवाला नोकर भी आरहौ दीटा सोनाके सिक्काके झोला कमैल्कै। 18मगर एकटा सोनाके सिक्काके झोला पाबेवाला नोकर जैके जमिन खोधिके आपन मालिकके धनके नुक्याके राखल्कै।
19बहुते दिनके बाद ऊ नोकरसिके मालिक घुमिके ऐलै, आर ओकरासिसे आपन हिसाब लेल्कै। 20तब पाँचटा सोनाके सिक्काके झोला पाबेवाला नोकर आरहौ पाँचटा सोनाके सिक्काके झोला ल्याके आगु आबिके कहैल्कै, ‘हे मालिक, तुहें हमरा पाँचटा सोनाके सिक्काके झोला जिम्मा देलह रहे। देख, हमे ओकरासे आरहौ पाँचटा सोनाके सिक्काके झोला कमैलियै छे।’ 21मालिक ओकरा कहैल्कै, ‘शाबास! बढियाँ आर विश्वासयोग्य नोकर! तुहें कम धन सम्हारैमे विश्वासयोग्य भेल्हैं, आब हमे तोरा बहुते धन सम्हारैके जिम्मा देबौ। तुहें आपन मालिकके खुशीमे सामिल हो।’
22तकरबाद दीटा सोनाके सिक्काके झोला पाबेवाला नोकर भी आबिके कहैल्कै, ‘मालिक, तुहें हमरा दीटा सोनाके सिक्काके झोला देलह रहे। देख, हमे आरहौ दीटा सोनाके सिक्काके झोला कमैलियै छे।’ 23ओकर मालिक ओकरा कहैल्कै, ‘शाबास! बढियाँ आर विश्वासयोग्य नोकर! तुहें कम सोनाके सिक्काके झोला सम्हारैमे विश्वासयोग्य भेल्हैं, आब हमे तोरा बहुते सोनाके सिक्काके झोला सम्हारैके जिम्मा देबौ। तुहें आपन मालिकके खुशीमे सामिल हो।’
24एकटा सोनाके सिक्काके झोला पाबेवाला नोकर भी आबिके कहैल्कै, ‘हे मालिक, हमरा मालुम छै कि तुहें कठोर आदमी छह। तुहें ओत्तेसे काटैछ, जते तुहें नैरोप्लह छे आर जते तुहें नैपछरलह छे ओत्तेसे अनाज जमा करैके आशा करैछ। 25सेल्याके हमरा डर लाग्लै कि यदि हमे तोर धन हेरैबै ते तुहें हमरा सजाय देभ, सेल्याके हमे तोर देल सोनाके सिक्काके झोला जमिनके निच्चामे गाडीके राख्लियै। देख, यी तोर सोनाके सिक्काके झोला ल्या।’ 26ओकर मालिक ओकरा जबाब देल्कै, ‘हे दुष्ट आर आलसी नोकर! जब तोरा मालुम रहौ कि हमे एकटा कठोर आदमी छियै, जे बिहन नैबुनैछै मगर फसल जमा करैके आशा करैछै ते, 27तोरा हमर सोनाके सिक्काके झोला महाजन कते जमा करना रहौ आर हमे आबिके आपन सोनाके सिक्काके झोला ब्याजसहित पैतियै।’ 28तब मालिक दोसर नोकरसिके कहैल्कै, ‘सेल्याके, ओकरासे उटा सोनाके सिक्काके झोला छिन आर जकरसंगे दशटा सोनाके सिक्काके झोला छै, ओकरा दहैं। 29कहिनेकी जे हमर बात सुन्तै, जकर भितरमे सम्झैके इच्छा छै, परमेश्वर ओकरा आरहौ समझ देतै। मगर जे कोय भी यी सम्झैके इच्छा नैराखैछै, कि हमे कि सिखाबैछियै ते, ओकरलगत जे कनेजरा समझ छै, परमेश्वर उटा भी ओकरासे ल्यालेतै।’ 30यी बेकम्मा नोकरके बाहार अनहारमे फेकिदहैं, जते आदमीसब पिडासे कान्तै आर दाँत किट्तै।”
येशू संसारके न्याय कर्तै
31“जब हमे, आदमीके बेटा फेरसे ऐबै, तब हमे आपन महिमामे ऐबै आर सभे स्वर्गदूतसिके आपन संगमे आन्बै। तब हमे सभे आदमीसिके न्याय करैके लिए आपन महिमामय सिंहासनमे बैठ्बै। 32आर हमर समनामे जात-जातके आदमीसब जमा हैतै, आर जेरंके चरवाहा भेंडा आर बकरीके अलग करैछै, ओहिने करिके ऊ ओकरासिके एक दोसरसे अलग कर्तै। 33ऊ भेंडासिके, जे धर्मी आदमीसब छै, आपन दहिना बगलमे राख्तै आर बकरीसिके, जे अधर्मी आदमीसब छै, आपन बायाँ बगलमे राख्तै। 34तब हमे, राजा आपन दहिना बगलवाला आदमीसिके कहबै, ‘हमर पितासे आशीर्वाद पैल आदमीसब! या! संसारके सृष्टिसे तोरसिके लिए तैय्यार कैल राज्यके भागीदार बन। 35कहिनेकी हमे भुख्ल रहियै, तुहेंसब हमरा खैले देल्हैं। हमे प्यास्ल रहियै, तुहेंसब हमरा पियैले देल्हैं। हमे परदेशी रहियै, तुहेंसब हमरा आपन घरमे शरण देल्हैं। 36जब हमे नंगा रहियै तुहेंसब हमरा कपडा पिन्हया देल्हैं, जब हमे बेमारी रहियै तुहेंसब हमरा देखभाल करैले ऐल्हैं, हमे जेलमे रहियै तुहेंसब हमर भेट करैले ऐल्हैं।’
37तब धर्मीजनसब कहतै, ‘हे प्रभु, कहिया हमे तोरा भुख्ल देख्लिहौं आर खैले देलिहौं? या प्यास्ल देख्लिहौं आर पियैले देलिहौं? 38कहिया हमे तोरा परदेशी देख्लिहौं आर तोरा आपन घरमे शरण देलिहौं? या तोरा नंगा देख्लिहौं आर कपडा पिन्हया देलिहौं? 39आर कहिया हमेसब तोरा बेमारी या जेलमे देख्लिहौं, आर तोर भेट करैले ऐलिहौं?’ 40तब हमे, राजा ओकरासिके जबाब द्याके कहबै, ‘हमे तोरासिके सच कहैछियौ, तुहेंसब यी हमर विश्वासी भ्या-बहिनसिमेसे सभैसे छोटकामेसे एक झनके जे जतनें कैल्हैं, उटा तुहेंसब हमरा कैल्हैं।’ 41तकरबाद ऊ आपन बायाँ बगलके आदमीसिके कहतै, ‘श्रापित आदमीसब! हमरसे दूर हो आर शैतान आर ओकर दूतसिके लिए परमेश्वरसे तैय्यार कैल कहियो नैमिझाबेवाला आगिनमे जो। 42कहिनेकी हमे भुख्ल रहियै, तुहेंसब हमरा खैले नैदेल्हैं। हमे प्यास्ल रहियै आर तुहेंसब हमरा पियैले नैदेल्हैं। 43हमे परदेशी रहियै, तुहेंसब हमरा शरण नैदेल्हैं, हमे बेमारी रहियै आर जेलमे रहियै, तुहेंसब हमर भेट करैले नैऐल्हैं।’
44उहोसब एरं कहिके जबाब देतै, ‘प्रभु, कहिया हमेसब तोरा, भुख्ल, प्यास्ल देख्लिहौं, परदेशी या नंगा या बेमारी या जेलमे देख्लिहौं, आर तोर सेवा नैकैलिहौं?’ 45तब हमे ओकरासिके जबाब देबै, ‘हमे तोरासिके सच कहैछियौ, यी सभैसे छोटकामेसे एकटाके जे जतनें नैकैल्हैं, उटा तुहेंसब हमर लिए नैकैल्हैं। 46तब बायाँ बगलवाला आदमीसब कहियो खतम नैहुएवाला सजायके भागीदार बन्तै, मगर दायाँ बगलवाला धर्मीजनसब कहियो खतम नैहुएवाला जीवनमे प्रवेश कर्तै।’ ”
Currently Selected:
मत्ती 25: KYVNT
Highlight
Share
Copy

Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in
Kayort (केवट) Bible by The Love Fellowship is licensed under Creative Commons Attribution-ShareAlike 4.0 License.