YouVersion Logo
Search Icon

मत्ती 12

12
येशू विश्राम दिनके मालिक
(मर्कू २:२३-२८; ३:१-६; लूक ६:१-११)
1उटा समय येशू यहूदी आदमीसिके विश्रामके दिन अनाजके खेत द्याके जैते रहै। ओकर चेलासिके भुख लागैके कारणसे अनाज तोडीके ख्या लाग्लै। 2मगर फरिसी समूहके आदमीसब यी देखिके येशूके कहैल्कै, “तोर चेलासब जे काम यहूदी आदमीसिके विश्रामके दिनमे करैछौं, यी हमरसिके पुरना नियमके विरुद्धमे छै। तोरा ओकरासिके एरं नैकरैले कहना चाही।” 3मगर येशू ओकरासिके जबाब देल्कै, “कि तुहेंसब कहियो नैपढ्लहैं छे, बहुते समय पहेला आपनसिके महान बाप-पुर्खा दाऊद राजा कि कैल्कै रहे। जब अबियाथार प्रधान पुजारी रहै? जब दाऊद राजा आर ओकर दोस्तसब भुख्ल रहै? 4दाऊद राजा परमेश्वरके पालमे गेलै आर उटा रोटी खैल्कै आर आपन दोस्तसिके भी खैले देल्कै जेटा रोटी परमेश्वरके दानके रुपमे चढैल रहै। आपनसिके धार्मिक नियमके मुताबिक खाली यहूदी पुजारीसिके ही उटा रोटी खैके अनुमति रहै। 5फेर कि तुहेंसब धरमशास्त्रमे नैपढ्लहैं छे कि परमेश्वरके मन्दिरमे यहूदी पुजारी सभे दिन यहूदी आदमीसिके विश्रामके दिनमे काम करैछै। एरंके ऊसब यहूदीसिके विश्राम दिनके विधि-विधानके पालन नैकरैछै। तैय्योपर ऊसब दोषी मान्ल नैजैछै। 6मगर हमे तोरासिके कहैछियौ, परमेश्वरके मन्दिरसे महान एत्ते कोय छै। 7तुहेंसब जानैछैं कि धरमशास्त्रमे यी वाक्यके मतलब कि छै,
‘हमर लिए बलिदान चढाबैके बदला, हमे चाहैछियै कि तुहें दोसरके प्रति दयालु बन।’
अगर तुहें जान्तिहैं कि एकर मतलब कि छै ते, तुहेंसब हमर यी निर्दोष चेलासिके निन्दा नैकर्तिहैं। 8हमे, आदमीके बेटा, यहूदी आदमीसिके विश्रामके दिनके भी मालिक छियै।”
एकटा हात सुख्ल आदमी
9ओत्तेसे निक्लीके येशू यहूदी आदमीसिके सभाघरमे गेलै। 10ओत्ते हातमे लखुवा मार्ल एकटा अपाहिज आदमी रहै। ऊसब येशूके दोष लगाबैके मनसायसे पुछल्कै, “कि यहूदी आदमीसिके विश्रामके दिनमे कक्रहौ ठीक करना उचित छै कि नैछै?” 11ऊ ओकरासिके कहैल्कै, “मान कि तोरसिमेसे ककरो एकटा भेंडा छौ। आर अगर ऊ यहूदी आदमीसिके विश्रामके दिनमे एकटा खधामे गिरिजै ते, तुहें निश्चित रुपसे ओकरा बचैभैं। 12भेंडासे बेसी ते आदमी मूल्यवान छै। सेल्याके धरमशास्त्रके मुताबिक यहूदी आदमीसिके विश्रामके दिनमे बढियाँ काम निश्चित रुपसे उचित हैछै, जेरं कि आदमीसिके ठीक करना।” 13तब येशू उटा आदमीके कहैल्कै, “तोर हात सिधा कर।” ऊ आदमी हात सिधा कैल्कै, आर ओकर हात ठीक भ्यागेलै। 14मगर फरिसी समूहके आदमीसब यहूदीसिके सभाघरसे बाहार जैके येशूके केरंके जान मार्ल जैतै कहिके ओकर विरुद्धमे षडयन्त्र रचे लाग्लै।
परमेश्वरके चुन्ल सेवक
(मर्कू ३:७-१२; लूक ६:१७-१९)
15आपन विरुद्धमे ऊसब षड्यन्त्र रचैछै कहिके जब ओकरा मालुम भेलै तब येशू ओत्तेसे चल गेलै। बडका भीड ओकर पाछु लाग्लै, आर येशू ओकरसिके बीचमे भेल सभे रोगी-बेमारीसिके ठीक कैल्कै। 16मगर येशू ओकरासिके आदेश देल्कै, “यी विषयमे कक्रहौ कुछु नैकहिहैं।” 17एरंके यशैया परमेश्वरके वक्ताके द्वारा परमेश्वरके यी बात पुरा है कहिके यी भेलै:
18“हमर दास जकरा हमे चुन्लियै छे,
हमर प्रिय जकरसे हमे बहुते खुश छियै,
हमे परमेश्वरके आत्मा ओकरामे राखी देबै,
आर ऊ जात-जातके आदमीसिके न्यायके प्रचार कर्तै।
19ऊ नैते झगडा कर्तै नैते बेसी चिकर्तै,
ऊ आदमीसिके बीचमे कोनो जोडदार घमण्डसे भर्ल भाषण नैदेतै।
20ऊ कक्रहौ हानी नैपहुँचैतै जे एकटा टुट्ल बेतके लाठीके जुगुर कमजोर छै,
जकरा भी समस्या छै ऊ एकटा मिझाबे लाग्ल चिरागके जुगुर छै, ऊ ओकरा कोनो हानी नैपहुँचैतै।
मगर ऊ सुनिश्चित कर्तै कि न्याय कैल जैतै।
21ओकरापर जात-जातके आदमीसब आशा राख्तै।”
येशूपर फरिसी समूहके आदमीसिके शंका
22तब आदमीसब भूत लागिके अनराह आर बौक भेल एकटा बेमार आदमीके येशूके लगत आनल्कै। येशू ओकरा ठीक कैलके बाद ऊ आदमी देखेवाला आर बोलेवाला भेलै। 23यी देखिके आदमीसिके भीड आश्चर्य मानिके कहैल्कै, “कि यी दाऊद राजाके सन्तान छै?” 24मगर यी सुनिके फरिसी समूहके आदमीसब कहैल्कै, “भूतसिके मालिक शैतानके मद्दतसे ऊ भूतसिके निकालैछै।” 25मगर येशू ओकरसिके विचार मालुम करिके ओकरासिके कहैल्कै, “अगर एकटा देशके आदमीसब एक दोसरासे ही लड्ते रहतै ते, ऊसब ढेर दिनतक टिके नैसक्तै। अहिने करिके एक्केटा परिवार या सहरके आदमीसब एक दोसराके विरुद्धमे फुट राख्तै ते, उटा परिवार एक्केसंगे नैरहे सक्तै। 26अगर शैतान शैतानके निकाल्तै ते, ऊ आपने विरुद्धमे विभाजित हैछै, आर ओरं हैतै ते ओकर राज्य केरंके टिके सक्तै? 27अगर हमे शैतानके शक्तिसे भूत निकालैछियै ते, तोरसिके चेलासब ककर शक्तिसे भूत निकालैछौ? ओरं छै ते तोर आपने चेलासब ही तोरसिके फैसला कर्तौ। 28मगर यदि हमे परमेश्वरके आत्माके शक्तिसे भूतसब निकालैछियै ते परमेश्वरके राज्य तोरसिके बीचमे ऐल छौ कहिके तुहेंसब जाने सकैछैं। 29या केरंके कोय भी शैतानके जुगुर मजगुत कोनो आदमीके घर लुटे सक्तै? जबतक ओकरलगत उटा मजगुत आदमीके हराबैके आर बान्हैके लिए ताकत नैहैतै? तभे ऊ ओकर घरके सभे कुछु लुटे सकैछै। 30जे हमर संगमे नैछै, ऊ हमर विरुद्धमे छै, आर जे हमरसंगे नैसम्टैछै, ऊ छिटैछै। 31सेल्याके हमे तोरासिके कहैछियौ, आदमीसिके कैल सभे तरहके पाप आर ईश्वर निन्दा माफ हैतै, मगर पवित्र आत्माके विरुद्धमे कैल पाप माफ नैहैतै। 32जे कोय हमे, आदमीके बेटाके विरुद्धमे कोनो बात बोल्तै ते, ओकर यी पाप माफ कैल जैतै, मगर जे कोय पवित्र आत्माके विरुद्धमे कुछु बोल्तै ते ओकरा यी युगमे आर आबेवाला युगमे भी माफ कैल नैजैतै।”
गाछ आपन फलसे चिन्हल जैछै
(लूक ६:४३-४५)
33“अगर एकटा गाछ बढियाँ छै ते, ओकर फल भी बढियाँ हैतै। अगर एकटा गाछ खराब छै ते, ओकर फल भी खराब हैतै। कहिनेकी फलसे ही गाछ चिन्हल जैछै। 34तुहेंसब जहरिला साँपके बच्चासिके जुगुर छैं! तुहेंसब आपनहैं दुष्ट छैं ते अच्छा बात केरंके बोले सकैछैं? जे बातसे हृदय भर्ल छै, उहे बात आदमी बोलैछै। 35एकटा बढियाँ आदमी एकटा बढियाँ मनके खजानासे बढियाँ चीज निकालैछै, आर एकटा खराब आदमी एकटा खराब मनके खजानासे खराबे चीज निकालैछै। 36हमे तोरासिके कहैछियौ, सभे व्यर्थके बात जे आदमीसब बोलैछै, फैसलाके दिनमे ओकरासिके ओकर एक-एकटा बातके हिसाब दिए पड्तै। 37परमेश्वर न्याय कर्तै आर एकटा आदमीके ओकरसे बोल्ल गेल शब्दके कारण निर्दोष या दोषी घोषित कर्तै।”
येशूसे चिन्हके माँग
(मर्कू ८:११-१२; लूक ११:२९-३२)
38तब कुछु यहूदी धरमशास्त्रके पण्डितसब आर फरिसी समूहके आदमीसब मिलिके येशूके कहैल्कै, “गुरुजी, हमरासिके एकटा चमत्कार देखाब, हमेसब देखैले चाहैछियै।” 39येशू ओकरासिके कहैल्कै, “ऐज-क्यालके आदमीसब कतनें खराब आर व्यबिचारी छै! यी आदमीसब शक्तिशाली चमत्कार देखैले चाहैछै। मगर परमेश्वरके वक्ता योनाके संगे जे भेलै उटा चमत्कारके सिवाय यी आदमीसब आर कोनो चमत्कार देखैले नैपैतै। 40कहिनेकी जेरंके योना परमेश्वरके वक्ता बडका माछके पेटमे तीन दिन आर तीन रात रहै, ओहिने करिके हमे, आदमीके बेटा यी धर्तीके गर्भमे तीन दिन आर तीन रात रहबै। 41निनवे सहरके आदमीसब न्यायके दिनमे खडा भ्याके यी पिढीके आदमीसिके दोषी ठहरैतै, कहिनेकी ऊसब योनाके कैल प्रचारमे पाप करैले छोडिके परमेश्वरके तरफ मन लगैल्कै रहे। देख्, योनासे भी महान कोय एत्ते छै। मगर तुहेंसब पाप करैले छोडिके परमेश्वरके तरफ मन लगाबैले इन्कार करैछैं। 42दक्षिणके शेबा देशके महारानी न्यायके दिनमे खडा भ्याके यी पिढीके आदमीसिके दोष लगैतै, कहिनेकी ऊ धर्तीके एक कोनसे सुलेमान राजाके बुद्धिके बात सुनैले बहुते दूरसे ऐलै। देख्, सुलेमान राजासे भी महान कोय एत्ते छै। मगर तुहेंसब पाप करैले छोडिके परमेश्वरके तरफ मन लगाबैले इन्कार करैछैं।”
भूत आपन घर खोजैछै
(लूक ११:२४-२६)
43“जब कोनो आदमीसे भूत निक्लीके जैछै, ऊ विश्राम खोज्ते सुख्खा जगह महर घुमैछै, मगर कथौ नैपाबैछै। 44तब ऊ भूत अपने आपसे कहैछै, जे आदमीसे हमे निक्लीके ऐलियै छे, उहे आदमीमे हमे घुमिके वापस जैबै। जब ऊ भूत घुमिके वापस आबैछै, ऊ आदमीके जीवनके उटा घर जुगुर पाबैछै जकरा साफ सुथरा कैल, सज्याके राख्ल मगर खाली राख्ल छै। 45तब ऊ भूत जैछै आर आपनसे बेसी दुष्ट आरहौ सातटा भूत आपन संगमे आनैछै आर ऊ आदमीके भितर ढुकिके ऊ भूतसब ओत्ते बास करैछै, आर ऊ आदमीके दशा पहिलासे आरहौ खराब हैछै। यी दुष्ट पिढीके आदमीसिके भी अहिने हैतै।”
येशूके सच्चा परिवार
(मर्कू ३:३१-३५; लूक ८:१९-२१)
46जब येशू भीडसे बोल्तहैं रहै, ओकर मयाँ आर छोटका भ्यासब ओत्ते पहुँचलै आर ओकरसे बात करैके आशामे बाहारमे खडा रहलै। 47तब कोय आदमी येशूके कहैल्कै, “देख, तोर मयाँ आर छोटका भ्यासब बाहारमे खडा छौं, आर तोरासे बात करैले चाहैछौं।” 48यी बात सुनिके खबर आनेवाला आदमीके येशू जबाब देल्कै, “हमर मयाँ आर हमर छोटका भ्यासब के छै?” 49तब ऊ आपन हातसे चेलासिके महर इशारा करिके कहैल्कै, “हमर मयाँ आर छोटका भ्यासब इहेसब छै। 50कहिनेकी जे स्वर्गमे भेल हमर परमेश्वर पिताके इच्छा मुताबिक चलैछै, उहे हमर छोटका भ्यासब आर हमर बहिन आर हमर मयाँ छै।”

Currently Selected:

मत्ती 12: KYVNT

Highlight

Share

Copy

None

Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in