YouVersion Logo
Search Icon

मत्ती 10

10
बारहटा चुन्ल आर भेज्ल चेलासिके येशू अधिकार देल्कै
(मर्कू ३:१३-१९; ६:७-१३; लूक ६:१२-१६; ९:२-६)
1येशू बारहोटा चेलासिके आपन लगत बोल्याके ओकरासिके भूतसब निकालैके आर सभे किसिमके रोग-बेमार आर दुर्बलता ठीक करैके अधिकार देल्कै। 2बारहटा चुन्ल आर भेज्ल चेलासिके नाम एरं छै: पहेला, सिमोन जकर नाम पत्रुस राखल्कै आर ओकर भ्या अन्द्रियास, जब्दियाके बेटा याकूब आर ओकर भ्या यूहन्ना, 3फिलिप आर बारथोलोमाइ, थोमा आर कर उठाबेवाला मत्ती, अल्फयसके बेटा याकूब आर थेदियस, 4सिमोन देशभक्त आर यहूदा स्करियोत, जे पाछु येशूके दुश्मनके हातमे पक्ड्या देल्कै।
येशू आपन चेलासिके सेवामे भेजल्कै
5येशू यी बारहोटा चेलासिके एरं कहिके आज्ञा द्याके भेजल्कै, “गैर-यहूदी आदमीसिकते नैजो, आर सामरी आदमीसिके सहरमे नैजो। 6मगर चरवाहा नैभ्याके हेरैल भेंडासिके जुगुर इस्राएलीसिकते जो। 7जब तुहें ओकरसिके लगत जैभैं परमेश्वरके राज्य नज्दिक ऐल छै कहिके प्रचार कर। 8बेमारीसिके ठीक कर, मुर्दासिके जिन्दा कर, कुष्ठरोगीसिके शुद्ध बना, भूतसिके निकाल। तोरासिके फोकटमे मिल्लौ, फोकटमे दहैं। 9तुहेंसब आपन झोलामे सोना, चानी आर तामके एक पैसा भी नैलिहैं, 10सफरके लिए झोला, अलगसे कमिज, अलगसे जुत्ता आर लाठी भी नैलिहैं। कहिनेकी जनके ओकर खाना मिल्ना चाही।
11तुहेंसब जे सहर या गाँवमे जैभैं, ओत्ते तोरसिके स्वागत करेवाला आदमीके खोज आर जबतक तुहेंसब उटा सहरमे रहभैं तबतक ओकर मैजमान बनिके रह। 12उटा घरमे ढुकै बेरियाँ ‘तोरा शान्ति हौं’ कहिहैं। 13अगर उटा घराना तोरसिके शान्ति लियैके लायक छै ते तोरसिके शान्ति उटा घरमे रहतै। मगर ऊसब लायकके नैछै ते शान्ति तोरेसिके लगत घुमिके वापस ऐतौ। 14कोनो घरमे या गाँव-सहरमे आदमीसब तोरसिके आना पसन्द नैकर्तौ या तोरसिके बात सुनैले नैमान्तौ ते उटा जगह छोडिके चल जैहैं। ऊ आदमीसिके परमेश्वरसे मिलेवाला सजायके चेतावनी दियैके लिए उटा जगहसे निक्लैबेरियाँ तोरसिके पैरीमे लाग्ल धुर झाडी दिहैं। 15हमे तोरासिके सच कहैछियौ, न्यायके दिनमे उटा सजाय जे परमेश्वर सदोम सहर आर गमोरा सहरके आदमीसिके देल्कै, उटा सजाय बहुते कम हैतै जे सजाय परमेश्वर उटा सहरके आदमीसिके देतै।”
आबेवाला कठिन समय
(मर्कू १३:९-१३; लूक २१:१२-१७)
16“देख्, हमे तोरासिके खटिहासिके बीचमे भेंडाके जुगुर पठाबैछियौ, सेल्याके तुहेंसब साँपके जुगुर बुद्धिमान आर पेर्वाके जुगुर भोला-भाला बन। 17आदमीसिसे तोरासिके हर समय सतर्क रहे पड्तौ। तोरसिके दुश्मन तोरा स्थानीय महासभामे ल्याजैतौ आर यहूदी आदमीसिके सभाघरसिमे मारपिट कर्तौ। 18कहिनेकी तुहेंसब हमर अनुसरण करैछैं, तुहेंसब राज्यपालसब आर राजासिके समनामे परीक्षणके लिए खडा करैल जैभैं। तब तुहेंसब ओकरसिके आर जात-जातके आदमीसिके समनामे हमर गवाही देभैं। 19जब तोरासिके गिरफ्तार करिके अदालत लजैल जैछौ तब कि बोल्बै कहिके पहलहैसे चिन्ता नैकर। कहिनेकी तोरासिके कि बोले पड्तौ, उहे समय परमेश्वर तोरासिके बतैतौ। 20कहिनेकी तुहें आपन विचार नैबोल्भैं, मगर परमेश्वरके आत्मा तोरसिकेद्वारा बात कर्तौ।”
येशूके चेला हुऐके मतलब
21“जे आदमीसब हमरापर विश्वास नैकरैछै, ऊसब आपन भ्याके गिरफ्तार करि लेतै, जे हमरापर विश्वास करैछै ऊसब मार्ल जैतै, बाबु आपन बालबच्चाके संगमे भी अहिने कर्तै आर बालबच्चासब आपन मयाँ-बाबुके खिलाफ विद्रोह कर्तै आर ओकरसिके जान मारैले लगैतै। 22कहिनेकी तुहेंसब हमर चेलासब छैं ओकर खातिर सभैसे घृणा कैल जैभैं, मगर ऊ जे हमरापर भरोसा करैमे लाग्ल रहैछै आर धर्तीपर ओकर जीवनके अन्ततक हमर पाछु चल्ते रहैछै। ओकरा पापसिके लिए दण्डित हुऐसे बचैल जैतै। 23आदमीसब तोरासिके परमेश्वरके वचन प्रचार करैके कारणसे एकटा गाँवमे सतैतौ ते दोसर गाँवमे भागिके चल जो। हमे तोरासिके सच कहैछियौ, हमे, आदमीके बेटा आबैसे पहेला तुहेंसब इस्राएल देशके सभे सहरमे आदमीसिके परमेश्वरके वचन प्रचार करैके काम खतम नैकैल हैभैं।
24कोनो भी चेला आपन गुरुसे बढिके नैहैछै। आर कोनो भी नोकर आपन मालिकसे बढिके नैहैछै। 25सेल्याके चेला आपन गुरुके जुगुर भेल बातमे सन्तोष करक ओहिने करिके नोकर आपन मालिकके जुगुर भेल बातमे सन्तोष करक। जब ऊसब घरके मालिकके भूतसिके सरदार शैतान कहैछै ते, मालिकके परिवारके आदमीसिके आरहौ कि-कि नै कहतै।”
ककरसे डरना?
26“सेल्याके आदमीसिसे नैडर। परमेश्वर सभे झाँप्ल चीजके उघार्तै, आर हरेक गुपचुपवाला बात प्रकट कर्तै। 27एकर मतलब यी छै कि जे बात भी परमेश्वर अनहारमे तोरासिके कहैछौ, से बात उजेतमे सभैके सार्वजनिक रुपसे कहिदहैं आर जे बात हमे तोरासिके गुप्तमे कहैछियौ, ऊ बात घरके छतमे चढिके सार्वजनिक रुपसे प्रचार कर। 28ऊ आदमीसिसे नैडर जे शरीरके मारि दैछै, मगर आत्माके मारे नैसकैछै। बरु आत्मा आर शरीर दोनोके नरकमे नाश करेवाला परमेश्वरसंगे डर। 29कि एक पैसामे दीटा फुद्दी नैबिकैछै? तैय्योपर ओकरासिमेसे एकटा भी तोर परमेश्वर पिताके इच्छाके बगैर भुइयाँमे नैखसैछै। 30परमेश्वर तोरसिके जीवनके हरेक विवरणके वास्ता करैछौ। ओकरा यी भी मालुम छै कि तोरसिके मथामे कतनें केश छै। 31सेल्याके तुहेंसब नैडर! तुहेंसब फुद्दीसिसे भी बेसी मूल्यवान छैं।”
येशूके स्वीकार करना या अस्वीकार करना
32“सेल्याके जे भी आदमीसिके समनामे अपनाके हमर चेलाके रुपमे स्वीकार कर्तै, हम्हुँ ओकरा स्वर्गमे रहेवाला हमर परमेश्वर पिताके समनामे आपन चेलाके रुपमे स्वीकार कर्बै। 33मगर जे भी हमरा आदमीसिके समनामे खुदके हमर चेलाके रुपमे स्वीकार नैकर्तै, हम्हुँ ओकरा स्वर्गमे रहेवाला हमर परमेश्वर पिताके समनामे हमर चेलाके रुपमे स्वीकार नैकर्बै।”
चेलाके चुकाबेवाला दाम
(लूक १२:५१-५३; १४:२६-२७)
34“हमे धर्तीमे आदमीसिके बीचमे शान्ति आनैले ऐलियै कहिके नैसोच। हमे आदमीसिके बीचमे शान्ति आनैले नै मगर फुट कराबैले ऐलियै छे।
35‘कहिनेकी हमे आदमीके ओकर बाबुके विरुद्ध, बेटीके ओकर मयाँके विरुद्ध, आर पुथौके ओकर सासके विरुद्ध कराबैले ऐलियै छे।’
36आदमीके दुश्मन ओकर आपने परिवारके भितरके आदमीसब हैतै।
37जे हमरासे बेसी आपन मयाँ या बाबुके प्रेम कर्तै, ऊ हमर चेला बनैके योग्य नैछै। जे हमरासे बेसी आपन बेटा या बेटीके प्रेम करैछै, ऊ हमर चेला बनैके योग्यके नैहैतै। 38जे आदमी हमर अनुसरण करैके लिए दुःख उठाबैले#१०:३८ दुःख उठाबैले “क्रूस उठ्याके” तैय्यार छै आर मरैके लिए भी तैय्यार छै ते, ऊ हमर चेला हुए सक्तै। 39जे यी धर्तीपर आपन जीवन बचाबैके कोशिश कर्तै, ऊसब कहियो खतम नैहुएवाला जीवन नैपाबे सक्तै। मगर तुहेंसब जे हमर चेला बनैके कारण आपन जीवन दैछैं, कहियो खतम नैहुएवाला जीवन पैभैं।”
प्रतिफल
(मर्कू ९:४१; लूक १०:१६)
40“तोरासिके स्वागत करेवाला हमरा स्वागत करैछै, आर हमरा स्वागत करेवाला हमरा पठाबेवालाके स्वागत करैछै। 41परमेश्वरके वक्ताके परमेश्वरके वचन बोलेवाला आदमी कहिके स्वीकार करेवाला आदमी परमेश्वरके वक्ताके पाबेवाला इनाम पैतै। धर्मी आदमीके ऊ धर्मी हुऐके कारणसे स्वीकार करेवाला आदमीके परमेश्वर धर्मी आदमीके पाबेवाला इनाम देतै। 42जे यी छोटकासिमे से एकटाके हमर चेला छै कहिके एक गिलास ठण्डा पानी भी पियैले देतै ते, हमे तोरासिके सच कहैछियौ कि निश्चित रुपसे परमेश्वर तोरा एकटा इनाम देतौ।”

Currently Selected:

मत्ती 10: KYVNT

Highlight

Share

Copy

None

Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in