YouVersion Logo
Search Icon

यूहन्ना 6

6
येशू पाँच हजार आदमीसिके खाना खिलैल्कै
(मत्ती १४:१३-२१; मर्कू ६:३०-४४; लूक ९:१०-१७)
1तकरबाद येशू गालील समुन्दर तरिके उपार गेलै। यी समुन्दरके तिबेरियसके समुन्दर भी कहैछै। 2ओकर चमत्कारवाला चिन्ह जे ऊ रोगी-बेमारीसिके उप्पर देखैते रहै, ओकरा देखिके आदमीसिके एकटा बडका भीड ओकर पाछु-पाछु लाग्लै। 3तब येशू एकटा छोटका पहाडमे चढिके चेलासिके संगे बैठ्लै। 4यहूदी आदमीसिके निस्तार पावन नज्दिक ऐल रहै। 5जब येशू आपन नजर उठ्याके आदमीसिके एकटा बडका भीडके आपन लगत ऐते देखल्कै ते, येशू आपन चेला फिलिपके पुछल्कै, “यी आदमीसिके खियाबैले अपनासब कतेसे रोटी किनिके आने सकैछियै?” 6यी बात ऊ फिलिपके पर्खैके लिए पुछल्कै रहे, कहिनेकी ऊ खुद जान्ते रहै कि ऊ कि करेवाला छै। 7फिलिप ओकरा जबाब देल्कै, “बहुते महिना मजदूरी करिके जतनें चानीके सिक्का मिल्तै, ओतनें चानीके सिक्कासे खाना किन्ल पर भी कने-कने खाना भी सभैके नैपुग्तै।” 8येशूके एकटा चेला, अन्द्रियास, जे सिमोन पत्रुसके भ्या रहै, ऊ येशूके कहैल्कै, 9“एत्ते एकटा लडका छै, जकर लगत जके पाँचटा रोटी आर दीटा माछ छै। मगर एतनें ढेर आदमीके खिलाबैके लिए एतनेंटा रोटीसे नैपुग्तै।” 10येशू चेलासिके आज्ञा देल्कै, “आदमीसिके बैठैले लगा!” ओत्ते बहुते घासवाला बडका पर्ती रहै, आदमीसब ओथै बैठ्लै। उटा भीडमे खाली मरदसब लगभग पाँच हजार जतनें रहै। 11तब येशू उटा पाँचटा रोटी ल्याके परमेश्वरके धन्यवाद देल्कै आर बैठ्ल आदमीसिके पर्सीके खियाबैले चेलासिके देल्कै। आर ओहिने करिके माछ भी पर्सैले लगैल्कै आर आदमीसब अघ्याके खैल्कै। 12आर जब ऊसब पेट भरिके खैल्कै, येशू आपन चेलासिके कहैल्कै, “उगर्ल टुकरासब जमा कर, कनेजरा भी बर्बाद नैहै।” 13ख्यावालासिसे उगर्ल उटा पाँचटा रोटीके टुकरा चेलासब जमा कैल्कै आर बारह ढाकी भरि गेलै। 14सेल्याके ओकर कैल यी शक्तिशाली काम देखिके ऊ आदमीसब कहैल्कै, “यी ते जरुर ही ऊ परमेश्वरके वक्ता छै, जे संसारमे आबेवाला छै।” 15येशू यी जानी गेलै कि आदमीसब ओकरा जबरजस्ती पक्डीके राजा बनाबैले चाहैछै, सेल्याके येशू फेर पहाडमे असकल्ले चल गेलै।
येशू पानीके उप्परमे लर्लै
(मत्ती १४:२२-३३; मर्कू ६:४५-५२)
16सझौवा भेलके बाद येशूके चेलासब समुन्दरके किनारमे गेलै। 17आर नावमे चढिके कफर्नहुम गाँवमहर ज्या लाग्लै। तखन अनहार भेल रहै, आर येशू तखनतक ओकरसिके लगत नैऐलै रहे। 18बहुते तेज हावा बहते रहै समुन्दरके बडका लहर उठे लाग्लै। 19चेलासब करीब पाँच-छ किलोमिटर नाव खेबीके गेलके बाद ऊसब येशूके समुन्दरके उप्परमे लर्ले नावके तरफ ऐते देखल्कै। यी देखिके ऊसब खुबे डरी गेलै। 20मगर येशू ओकरासिके कहैल्कै, “हमे येशू छियै, नैडर!” 21यी बात सुनिके चेलासब खुशी भ्याके येशूके नावमे चढैल्कै, आर ऊसब ज्यावाला जगहमे नाव तुरन्ते पुगिके किनार लाग्लै।
22समुन्दरके किनारमे खाली एकटा नाव रहै आर चेलासिके संगे येशू नावमे नैचढ्लै रहे, मगर चेलासब खाली चढ्लै रहे कहिके समुन्दरके उपारमे भेल आदमीसिके दोसर दिन याद ऐलै। 23जब तिबेरियससे आर नावसब ऊ जगहके लगत ऐलै, जते प्रभुके धन्यवाद चढाबैके बाद ऊसब रोटी खैल्कै रहे। 24येशू आर ओकर चेलासब ओत्ते नैछै कहिके मालुम भेलके बाद ऊ आदमीसब येशूके खोज्ते-खोज्ते नावसिमे चढिके कफर्नहुम गाँवमे गेलै।
येशू जीवन दिएवाला रोटी छै
25येशूके समुन्दरके उपार भेट करिके आदमीसिके पुछल्कै, “गुरुजी, तुहें एत्ते कहिया ऐलह?” 26येशू ओकरासिके जबाब देल्कै, “हमे तोरासिके सच कहैछियौ, तुहेंसब हमर कैल चमत्कार देखिके नै, मगर अघ्याके रोटी खैले पाबैके कारणसे हमरा खोजैछैं। 27नाश हुएवाला भोजनके लिए मेहनत नैकर, मगर कहियो खतम नैहुएवाला जीवनतक रहेवाला भोजनके लिए मेहनत कर, जे हमे, आदमीके बेटा तोरासिके यी भोजन देबौ, कहिनेकी परमेश्वर पिता हमरा एरं करैके अधिकार देल्कै छे।” 28आदमीसब ओकरा पुछल्कै, “ते परमेश्वरके चहेल काम करैके लिए हमरासिके कि करे पड्तै?” 29येशू ओकरासिके जबाब देल्कै, “परमेश्वरके काम यी छै कि तुहेंसब हमरापर विश्वास कर जकरा ऊ भेजल्कै छे।” 30यी बात पर ऊसब ओकरा कहैल्कै, “तुहें कोन चमत्कार देखैभ, जकरा देखिके हमेसब तोरापर विश्वास करियै? तुहें कि कर्भ? 31हमरसिके पिता पुर्खासब सुनसान जगहमे खाना खैल्कै जकरा मन्ना कहैछै। जेरंके धरमशास्त्रमे लिख्ल छै,
‘परमेश्वर ओकरासिके खैके लिए स्वर्गसे रोटी देल्कै।’ ”
32येशू ओकरासिके कहैल्कै, “सच्चे, हमे तोरासिके कहैछियौ, तोरासिके स्वर्गसे रोटी दिएवाला मूसा नैरहौ। स्वर्गसे तोरासिके सच्चा रोटी दिएवाला हमर परमेश्वर पिता छै। 33कहिनेकी परमेश्वरके द्वारा दिएवाला रोटी उहे छै, जे स्वर्गसे उतरिके आबिके संसारके आदमीसिके जीवन दैछै।” 34ऊसब ओकरा कहैल्कै, “प्रभु, परमेश्वरके यी रोटी हमरासिके सभे दिन द्या।” 35येशू ओकरासिके कहैल्कै, “रोटी जे कहियो खतम नैहुएवाला जीवन दैछै ऊ हमे छियै। हमरलगत आबेवालाके कहियो भुख नैलाग्तै, आर हमरपर विश्वास करेवालाके कहियो प्यास नैलाग्तै। 36मगर हमे पहेला भी तोरासिके कहैलियौ छे भला ही तुहेंसब हमरा देखैछैं, तुहेंसब हमरापर विश्वास नैकरैछैं। 37मगर पितासे हमरा देल सभेको हमरलगत ऐतै, आर हमरलगत आबेवालाके हमे कोनो रितीसे नैत्यागबै। 38हमर आपन इच्छा पुरा करैले नै, मगर हमरा भेजेवालाके इच्छा पुरा करैले हमे स्वर्गसे ऐलियै छे। 39हमरा भेजेवालाके इच्छा यी छै, कि जकरासिके ऊ हमरा देल्कै छे, ओकरासिमेसे एक्कोटाके हमे नाश हुऐले नैदियै, बरु सभैके संसारके अन्तके दिनमे मुर्दासे जिन्दा करियै। 40कहिनेकी हमर पिताके इच्छा यी छै, जे कोय हमे, आदमीके बेटाके देखिके ओकरापर विश्वास करैछै, ओकरा कहियो खतम नैहुएवाला जीवन मिलैछै आर संसारके अन्तके दिनमे हमे ओकरासिके मुर्दासे जिन्दा बनैबै।” 41येशू जे बात कहैल्कै रहे कि “स्वर्गसे ऐल रोटी हम्हीं छियै” उहे कारणसे यहूदी आदमीसिके अगुवासब ओकर विरोधमे कुड-कुडाबे लाग्लै। 42ऊसब कहैल्कै, “यी ते योसेफके बेटा, येशू छै। एकर मयाँ आर बाबुके हमेसब चिन्हैछियै। तब यी आदमी केरंके कहे सकैछै कि हमे स्वर्गसे उतरिके ऐलियै छे।” 43येशू ओकरासिके जबाब देल्कै, “तुहेंसब आपनहैं-आपनहैंमे नैकुडकुडा। 44हमरा भेजेवाला परमेश्वर पिता हमरलगत आबैके मन नैदेतै ते कोय भी हमरलगत नैआबे सक्तै, हमरलगत आबेवालाके हमे संसारके अन्तके दिनमे जिन्दा बनैबै। 45धरमशास्त्रमे परमेश्वरके वक्तासब एरं लिखल्कै छे,
‘परमेश्वर ही सभे आदमीसिके सिखैतै।’
एरंके परमेश्वर पिताके शिक्षा सुनेवाला आर सिखेवाला सभे हमरलगत ऐतै। 46कोय भी पिता परमेश्वरके नैदेखल्कै छे। खाली हम्हीं परमेश्वरके देख्लियै छे। 47हमे तोरासिके सच कहैछियौ, जे कोय हमरापर विश्वास करैछै ओकरलगत कहियो खतम नैहुएवाला जीवन छै। 48रोटी जे जीवन दैछै ऊ हम्हीं छियै। 49तोरसिके बाप पुर्खा सुनसान जगहमे मन्न खैल्कौ, तैय्योपर ऊसब मरिके गेलौ। 50मगर यी रोटी जकर बारेमे हमे बोलैछियै, ऊ स्वर्गसे आबैछै, आर जे कोय ओकरा खैतै, ऊ नैमर्तै। 51स्वर्गसे उतरिके ऐल जिन्दा रोटी हम्हीं छियै। यी रोटी ख्यावाला सभे दिन जिन्दा रहतै। हमर दिएवाला रोटी हमर आपने शरीर छै। संसारके आदमीसब जीवन पाबै कहिके हमे आपन शरीर देबौ।” 52यी बातके कारणसे यहूदी आदमीसिके अगुवासिके बीचमे तर्क-वितर्क भेलै। ऊसब कहैल्कै, “यी आदमी हमरासिके केरंके आपन शरीर खुवाबे सकैछै?” 53येशू ओकरासिके कहैल्कै, “हमे तोरासिके सच कहैछियौ, अगर तुहेंसब हमे, आदमीके बेटाके शरीर नैखैभैं आर ओकर खून नै पिभैं ते तोरासिमे कहियो खतम नैहुएवाला जीवन नैरहतौ। 54मगर हमर शरीर ख्यावाला आर हमर खून पिएवालाके संगे कहियो खतम नैहुएवाला जीवन छै, आर संसारके अन्तके दिनमे हमे ओकरा मुर्दासे जिन्दा बनैबै। 55कहिनेकी सच्चे हमर शरीर ख्यावाला चीज छै, आर हमर खून सच्चे पिएवाला चीज छै। 56हमर शरीर ख्यावाला आर हमर खून पिएवाला हमरामे रहैछै, आर हमे ओकरामे रहैछियै। 57हमर परमेश्वर पिता जे हमरा भेजल्कै छे, ऊ जीवन दैछै। जेरंके ऊ हमरा जीवन देल्कै, ओहिने करिके हमे भी ऊ आदमीके जीवन देबै जे हमर शरीरके खैछै। 58स्वर्गसे ऐल रोटी इहे छै। यी तोरसिके पिता पुर्खासिके खैल रोटीके जुगुर नैछै। ऊसब उटा रोटी खैल्कै आर मरिके गेलै। मगर यी रोटी ख्यावाला आदमी सभे दिन जितै।” 59यी सभे बात येशू कफर्नहुम गाँवके यहूदी आदमीसिके सभाघरमे सिखाबै बेरियाँ बोल्लै रहे।
कहियो खतम नैहुएवाला जीवनके विषयमे शिक्षा
60यी बात सुनिके येशूके चेलासिमेसे बहुते कोय कहैल्कै, “यी शिक्षा ते बहुते कठिन छै, एकरा के अपनाबे सकैछै?” 61चेलासब यी बात ल्याके कुड-कुडाबैछै कहिके जानीके येशू ओकरासिके कहैल्कै, “कि यी बात तोरासिके हमरापर विश्वास करैसे रोकैछौ? 62यदि तुहेंसब हमे, आदमीके बेटाके उप्पर स्वर्गमहर जैते देख्भैं, जते हमे पहेला रहियै ते, कि कर्भैं? 63जीवन दिएवाला परमेश्वरके आत्मा छै। यी काम ते आदमीके शक्तिसे हुएवाला बाते नैछै। जे बात हमे तोरासिसे बोल्लियौ छे, उटा आत्मा छै आर जीवन भी छै। 64मगर तोरासिमेसे कतनें झन छैं, जे हमरा विश्वास नैकरैछैं। कहिनेकी येशू पहलहैसे ही जान्ते रहै विश्वास नैकरेवाला के-के छै, आर ओकरा धोखा द्याके गिरफ्तार कराबेवाला के छै।” 65तकरबाद येशू फेर कहैल्कै, “सेल्याके हमे तोरासिके कहैलियौ छे, हमर परमेश्वर पिता हमरलगत आबैके मन नैदियै तक कोय भी आदमी हमरलगत नैआबे सकैछै।”
66उटा समयसे येशूके चेलासिमेसे बहुते झन ओकर पाछु आबैले छोडल्कै। 67येशू बारहो चेलासिके पुछल्कै, “कि तहुँसब भी हमरा त्यागीके जैभैं?” 68तब सिमोन पत्रुस जबाब देल्कै, “हे प्रभु, हमेसब ककर लगत जैयै? कहियो खतम नैहुएवाला जीवनके बात ते तोरे लगत छै। 69आर हमेसब विश्वास कैलियै छे आर जानी लेलियै छे, कि तुहें ही परमेश्वरसे भेज्ल पवित्र जन छह।” 70येशू ओकरासिके जबाब देल्कै, “कि हमे आपनहैं तोरा बारहो झनके नैचुन्लियौ? तैय्योपर तोरासिमेसे एकझन शैतानके कब्जामे छैं।” 71यी बात येशू सिमोन स्करियोतके बेटा यहूदाके विषयमे कहैल्कै रहे, कहिनेकी ऊ बारह चेलासिमेसे एकटा रहै, ऊ येशूके संगे विश्वासघात करेवाला रहै।

Highlight

Share

Copy

None

Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in