YouVersion Logo
Search Icon

मरकुस 5

5
भुत लागल लोक
(मती ८:२८-३४, लुका ८:२६-३९)
1तब येसु आ ओकर चेलासब तालके ओइकात गेरासेनसके इलाकामे पुग्‍लै। 2येसु नाहसे बाहर निकैलते मातर एकटा भुत-आत्‍मा लागल लोक चिहान भेल ठामसे निकैलके ओकरा भेटलै एलै। 3उ लोक चिहान भेल ठाममे रहैतरहै। ओकरा जंजिरसे कोइयो नै बाइन्‍हके राखे सकै। 4कथिलेत बहौत बेर ओकर टाङ-हाथ लोहाके झिझिर आ करिसे बानहल्‍कै, महज झिझिर तोइरके करिके खुन्‍डी-खुन्‍डी कैरके तोरदैछेलै। कोइ नै ओकरा बसमे करे सक्‍ने रहै। 5उ रात आ दिन चिहानसब आ पहारसबमे हरदम हल्‍ला करैत आपनेसे आपन देहके पथलसे चिरैत घुम-फिर करैत रहैछेलै।
6जब उ येसुके दुरेसे देखल्‍कै तब दौरके एलै आ ओकरा गोरलगी करल्‍कै। 7तब उ जोर-जोरसे हल्‍ला करैत कहल्‍कै, “हे, महान परमेस्‍वरके बेटा येसु, अहाँके हमरसे कोन सरोकार? अहाँ परमेस्‍वरके किरिया खाके कहु कि हमरा आब दुख नै देबै।” 8यि लोक एहेन बात कहल्‍कै, कथिलेत येसु ओकरा कहने रहै, “ए असुध आत्‍मा, ओइ लोकसे निकैल जो।” 9तब येसु ओकरा पुछल्‍कै, “तोहर नाम कथी चियौ?” उ कहल्‍कै, “हमर नाम फौज चियै, कथिलेत हमरौरके बहौत चियौ।” 10तब उ भुत आत्‍मा लागल लोक येसुके बिन्‍ती करैत कहल्‍कै “हमरासबके यि इलाकासे बहौत दुर नै खिहारु।”
11ओहै ठाम पहाड़मे सुगरके#५:११ सुगर- यहुदी समुदायमे सुगर असुध जानबरके रुपमे हैछेलै आ उसब कहियो नै ओइके खाइछेलै। अते सुगरके बारेमे बातचित भेलै, यि जते घटना भेलै ओते यहुदीसब नै रहैछेलै। बरका जेर चरैत रहै। 12भुत आत्‍मासब येसुके बिन्‍ती करल्‍कै, “हमरौरके सुगरसबके जेर भिरमे पठादिय, हमरौरके ओकर भितरमे ढुकैले दिय।” 13तब येसु ओइसबके जाइले आग्‍या देल्‍कै आ भुत आत्‍मासब बाहर निकैलके सुगरसबके भितर ढुक्‍लै, तब दुइ हजार सुगरसबके जेर पहाड़से समुन्‍दर दिसन हरैक गेलै आ समुन्‍दरमे डुइबके मैरगेलै।
14यि देखके सुगर चराइबलासब डरसे भाइग गेलै आ यि बात सहर-सहर आ गाम-गाम फैलादेल्‍कै। तब लोकसब कथी भेल छै से देखैले सब लोकसब ओते एलै। 15तब उसब येसु लग एलै आ उसब बहुत भुत लागल लोकके मन निक भ्‍याके असल असल बस्‍तर लग्‍याके बैठल देखल्‍कै। यि देखके ओइसबके डर भ्‍यागेलै। 16तब जेसब यि घटनाके देखने रहै, उसब भुत आत्‍मा लागल लोक आ सुगरसबके कथी भेल छेलै से बात कैहदेल्‍कै। 17तब लोकसब अइ इलाकासे चैलजाउ कैहके येसुके बिन्‍ती करे लाग्‍लै।
18येसु जब नाहमे चरहे लाग्‍लै तब उ लोक जकरा भुत आत्‍मा लागल छेलै से ओकरा बिन्‍ती करल्‍कै, “आपनसङे हमरो ल्‍या चलु।” 19महज येसु ओकरा अनुमति नै देल्‍कै, महज ओकरा कहल्‍कै, “तु आपन घरमे ज्‍याके तोहर साथीसबके तोहर लेल परभुके करल महान काम आ तोरा देख्‍याल बरका दयाके बारेमे कैहदहै।” 20तब उ लोक ओइ ठामसे चैलगेलै आ ओकर खातिर येसु कतेक बरका काम कैरदेने छेलै तकर परचार डेकापोलिस#५:२० डेकापोलिस- डेकापोलिसके मतलब दस सहरके जनाइछै। जैमे डेकाके मतलब दस आ पोलिसके मतलब सहर चियै। इलाका भैर करे लाग्‍लै आ सब लोकसब आस्‍चरज मानल्‍कै।
मरल छौरी आ बिमार जनिजाइत
(मती ९:१८-२६, लुका ८:४०-५६)
21जब येसु फेनो समुन्‍दरके दोसरकात गेलै, तब लोकसबके एकटा बरका भिर जमा भेलै। तै बखत येसु समुन्‍दरके कातमे ठार रहै। 22सभाघरके सासकसबमेसे याइरस नामके एकटा लोक येसु लग एलै आ ओकरा देखैत मातर ओकर टाङमे निहुकके गोरलगी करल्‍कै, 23आ एहेन कैहके बिन्‍ती करल्‍कै, “हमर छोटकी बेटी मरे लागल छै, आइबके ओकर उपरमे आपन हाथ राखदिय जैसे उ निक हेबे आ जि जाय।”
24तब येसु ओकरसङे गेलै। लोकसबके एकटा बहौत बरका भिर ओकर पछा लाग्‍लै आ लोकसब ओकर कात ठेलमठेल करे लाग्‍लै। 25ओइ भिरमे बारह बरिससे खुन खसैबला बिमार भेल एकटा जनी रहै। 26उ बहुतो बैधसबके लग्‍याके निक हेबे नै सकल रहै। ओकरसङे भेल्‍हा सब धन-सम्‍पैतो खरच कैरके निक नै भेलै बरु औरो खराब हालतमे पुइग गेलरहै। 27उ येसुके बारेमे सुनने रहै आ ओइ भिरमे पछासे आइबके उ येसुके बस्‍तर छुबल्‍कै। 28कथिलेत उ जनी मनेमन कहल्‍कै, “हम ओकर बस्‍तर मातरे छुबै त निक भ्‍याजेबै।” 29तब येसुके बस्‍तर छुबते मातर तुरन्‍त ओकर लहु बहैले बन्‍द भ्‍यागेलै आ आपन देहके बिमार निक भ्‍यागेलै से ओकरा थाह भेलै। 30तब येसु आपन देहसे सक्‍ती निकललै से बात थाह पाइबके लोकसबके भिरसे घुइमके उ पुछल्‍कै, “हमर बस्‍तर के छुबल्‍कै?” 31चेलासब जबाब देल्‍कै, “भिरमे लोकसब ठेलम-ठेल कैररहल अहाँ देखते चियै तैयो अहाँ कहैचियै, हमरा के छुबल्‍कै?” 32तब येसु हमरा के छुबल्‍कै कैहके चारुदिसन ताके लाग्‍लै। 33तखुन उ जनी अपना जे भेल छेलै से थाह पाइबके डरसे थर-थर कापैत येसुके टाङमे निहुकके ओकरा सब बात सत-सत कैहदेल्‍कै। 34तब येसु ओकरा कहल्‍कै, “बेटी, तु बिस्‍बास कैलाके कारन निक भेल्‍ही। निकसे जो। तोहर बिमारसे तु मुक्‍त भेलचिही।”
35येसु बोल्‍तै बखत याइरसके घरसे लोकसब आइबके कहल्‍कै, “मालिक अहाँके बेटी त मरगेल। आब गुरुजीके दुख नै दियौ?” 36महज ओइसबके बातमे ध्‍यान नै द्‍याके येसु याइरसके कहल्‍कै, “नै डेरा, मातर बिस्‍बास कर।” 37तब येसु पतरुस, याकुब आ याकुबके भाइ युहन्‍ना बाहेक औरो ककरो आपनसङे आबैके अनुमति नै देल्‍कै। 38उसब याइरसके घरमे एलै, तब येसु कानै-खिजैबलासब आ बिलाप करैबलासबके देखल्‍कै। 39येसु भितर ढुइकके ओइसबके कहल्‍कै, “तुसब कथिले हल्‍ला करैचिही आ कानै चिही? छौरी नै मरल छै, महज उ सुतल छै।” 40यि बात सुइनके उसब हास्‍लै, तब येसु उ सबके बाहर निकालल्‍कै। तकरबाद छौरीके बाबु-माँ आ ओकरसङे भेल्‍हासबके सङे ल्‍याके छौरी भेल ठाममे गेलै। 41तब ओइ छौरीके हाथ पकैरके कहल्‍कै, “तालिता कुमी#५:४१ तालिता कुमी- यि सब्‍द अरामिकमे छै, यि भसा येसुके समयमे इजराएलमे बोलैछेलै। ” जकर अरथ चियै, “ए छौरी, हम तोरा कहैचियौ, उठ।” 42तब उ छौरी खुरखुराके उठलै आ चलफिर करे लाग्‍लै। (उ बारह बरिसके रहै।) तखुन्‍ते उसब आस्‍चरज मानल्‍कै। 43तकरबाद येसु ओइसबके यि बात कोइ नै थाह पाबे कैहके करा आग्‍या देल्‍कै। तब यि छौरीके कुछो खाइले दहै ओइसबके कहल्‍कै।

Currently Selected:

मरकुस 5: MTH

Highlight

Share

Copy

None

Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in