युहन्ना 8
8
बेबिचारमे परल जनिके बचेल्कै
1येसु जैतुन पहाड़मे गेलै।
2बिहान सबेरे येसु फेनो मन्दिरमे घुइमके एलै। सबलोक ओकरलग एलै आ उ बैठके ओकरासबके सिक्छा दैले लाग्लै।
3ओहै समयमे धरमगुरुसब आ फरिसीसब बेबिचारमे पकराउ परल एकटा जनिके आनल्कै आ लोकसबके अगामे ठार करल्कै। 4उसब येसुके कहल्कै, “गुरु जी, यि जनी बेबिचार करैतकाल पकराउ परलछै। 5मोसाके बेबस्थामे एहेन जनिके पथलसे मारैके आग्या देने छै, आब अहाँ अकर बारेमे कथी कहैचियै त?”#लेबी २०:१०, बेबस्था २२:२२-२४ 6महज उसब येसुके जाचैले आ दोस लगाबैले कोनो गल्ती भेटतै कि कैहके एहेन कहने छेलै। महज येसु निहुकके भुइयामे औङरीसे लिखैले लाग्लै। 7जब उसब ओकरा पुछतेके-पुछते रहलासे, उ ठार भ्याके ओकरासबके कहल्कै, “तोरासबमेसे जे कहियो पाप नै करनेचिही, से कोइ पहिने अइ जनिके पथलसे मार।” 8येसु फेनो भुइयामे निहुकके औङरीसे लिखे लाग्लै। 9ओकर यि बात सुइनके पहिने बुढवासबसे ल्याके छोटकातक एक-एक कैरके ओतेसे चैलगेलै। अन्तमे ओते येसु असगरे रैहगेलै आ उ जनी ओकर अगा ठार भ्याल रहलै। 10तब येसु ठार भेलै आ उ जनिके देखैत कहल्कै, “हे जनी, उसब कहाँ छौ? कि तोरा कोइ नै दन्ड देल्कौ?” 11उ जनी कहल्कै, “परभु, कोइ नै दन्ड देल्कै।” येसु कहल्कै, “हम्हु दन्ड नै देबौ। आब जो, फेनसे पाप नै करिहे।]”
सन्सारके इजोत येसु
12तब येसु फेनो लोकसबके कहल्कै, “सन्सारके इजोत हम्ही चियौ। हमर पछा चलैबला अन्हारमे कहियो नै चल्तै, महज उ जिबनके इजोत पाबतै।”#मती ५:१४, युहन्ना ९:५
13यि सुइनके फरिसीसब ओकरा कहल्कै, “अहाँ त आपन गबाही आपने दैचियै। अहाँके गबाही सुइकारे जोकर नै छै।”#युहन्ना ५:३१
14येसु ओइसबके जबाफदैत कहल्कै, “हम आपने बारेमे गबाही दैचियै, तैयो हमर गबाही सुइकारे जोकर छै। कथिलेत हम जानैचियै कि हम कतेसे एलचियै आ कते ज्यारहल चियै, महज तुसब यि बात नै जानैचिही कि हम कतेसे एलचियै आ कते ज्यारहल चियै। 15तुसब त लोकके नजरसे नियाइ करैचिही, महज हम ककरो नै नियाइ करैचियै। 16यदी हम नियाइ करबो करबै त, हमर करल नियाइ सुइकारे जोकर ठहरतै, कथिलेत हम नियाइ करैबला असगरे नै चियै, महज हमरा पठाइबला पिता हमरसङे छै। 17तोरासबके बेबस्थामे लिखल छौ कि, कोनो दुइगोराके एकेमन भ्याके देल साक्छी सुइकार करे जोकर हैछै।#बेबस्था १९:१५ 18आपन बारेमे साक्छी दैबला एक गोरा त हम अपने चियै आ दोसर साक्छी पिता चियै जे हमरा पठेल्कै।”
19तब उसब येसुके पुछल्कै, “तोहर पिता कते छौ?”
येसु ओइसबके जबाफ देल्कै, “तुसब नै त हमरा चिन्हैचिही आ नै त हमर पिताके। यदी तुसब हमरा चिन्हतिही त हमर पितोके चिन्हने रहतिही।”
20येसु यि बात मन्दिरमे भेटी चरहाबैबला बाकसके लगमे सिक्छा दैतकाल कहने छेलै। तैयो ओकरा कोइने पकरल्कै, कथिलेकी ओकर समय नै एलछेलै।
येसुके चेताबनी
21येसु फेनो ओइसबके कहल्कै, “हम अतेसे ज्यारहलचियौ आ तुसब हमरा ताकबिही, महज तुसब आपने पापमे मरबिही। जते हम ज्यारहलचियौ, तते तुसब आबे नै सकबिही।”
22यि बात सुइनके यहुदी अगुवासब एक-दोसरमे कहेलाग्लै, “कतौ यि आपने मरे ज्यारहल छै कि? अकर कहैके मतलब कथी चियै, ‘जते हम जेबौ, तते तुसब आबे नै सकबिही।’”
23येसु ओइसबके कहल्कै, “तुसब निचाके चिही, हम त उपरके चियै। तुसब अहै सन्सारके चिही, महज हम त अइ सन्सारके नै चियै। 24अहैलेल हम ‘तुसब आपने पापमे मरबिही’ कहलियौ। यदि हम ओह्या चियै कैहके बिस्बास नै करबिही त तुसब साँचोके आपन पापमे मरबिही।”
25उसब येसुके पुछल्कै, “अहाँ के चियै त?” येसु जबाफदैत कहल्कै, “हम ओह्या चियै, जे सुरुवेसे कहैत आइबरहलचियौ।”
26 तोरासबके बारेमे कहैबला आ नियाइ करैबला बहौत बातसब हमरसङे छै। महज हमरा पठाइबला सत छै आ हम जे ओकरसे सुन्ने चियै ओहे बात सन्सारके लोकसबके बताइचियै।
27येसु यि बात आपन पिताके बारेमे कैहरहल छेलै से बात उसब नै बुझल्कै। 28तहैलेल येसु कहल्कै, “जब तुसब मानबके बेटाके उपर उठाइबिही, तखन तुसब जानबिही कि हम ओह्या चियै। हम आपने मनसे कुछो नै करैचियै महज पिता हमरा जे कुछो सिखाइने छै, ओह्या बात बोलैचियै कैहके तुहुसब बुझबिही। 29जे हमरा पठाइने छै उ हमरे सङे छै। उ हमरा असगरे नै छोरने छै, कथिलेत हम हरदम ओकरा खुसि बनाइबला काम करैचियै।” 30येसुके कहल यि बातसब सुइनके बहुतो लोक ओकरमे बिस्बास करल्कै।
छुटकारा पाबैबला सत
31येसु आपन उपर बिस्बास करैबला यहुदीसबके कहल्कै, “यदि तुसब हमर बचनके पालन करैत रहबिही त, साँचोके तुसब हमर चेला चिही। 32तब तुसब सतके जानबिही आ सत तोरासबके छुटकारा देतौ।”
33उसब येसुके कहल्कै, “हमसब अबराहमके धियापुता चियै आ कहियो नै ककरो दास बनल चियै। तब तोरासबके छुटकारा देतौ कनङके कहैले सक्बै?”#मती ३:९, लुका ३:८
34येसु ओइसबके जबाफ देल्कै, “हम साँचे तोरासबके कहैचियौ, जे पाप करैछै, उ पापके दास चियै। 35दास त सबदिन घरमे नै रहैछै, महज बेटा त सबदिन घरेमे रहैछै। 36अहैलेल परमेस्वरके बेटा तोरासबके छुटकारा देतौ त, साँचेके तुसब छुटकारा पाबबिही। 37हम जानैचियै कि तुसब अबराहमके धियापुतासब चिही तैयो तुसब हमरा मारैले चाहैचिही कथिलेकी हमर बचन तोरासबके हिरदयमे राखैके ठाम नै छौ। 38हम आपन पितासङे रहैबखत जे कुछो देखने चियै ओह्या बात बाजैचियै आ तुसब आपन पितासे जे सुन्ने चिही ओह्या करैचिही।”
39उसब येसुके जबाब देल्कै, “हमरासबके पिता अबराहम चियै।”
येसु ओकरासबके कहल्कै, “साँचोके तुसब अबराहमके धियापुता रहतिही त तुसब अबराहमके करल जखा काम करतिही। 40महज हम तोरासबके परमेस्वरसे सुनल सत बातसब सुनाइचियौ त तुसब हमरा मारैले ताकैचिही। अबराहम त एहेन काम नै करल्कै। 41तुसब ओह्या करैचिही जे तोहर पिता करल्कौ।”
उसब येसुके कहल्कै, “हमसब बेबिचारमे जलमल नै चियै। हमरासबके त एकेटा पिता छै, उ परमेस्वर चियै।”
42येसु ओकरासबके कहल्कै, “यदी परमेस्वर तोरासबके पिता रहतियौ त, तुसब हमरा मया करने रहतिही, कथिलेकी हम परमेस्वर लगसे एलचियै आ अखन हम अते चियै। हम आपन इक्छासे नै एलचियै, महज उ हमरा पठेने छै। 43हमर कहल बात तुसब कथिले नै बुझैचिही? कथिलेकी तुसब हमर कहल बचन सुनैयोले नै चाहैचिही। 44तोरासबके पिता त सैतान चियौ आ तुसब आपन पिताके इक्छा पुरा करैले चाहैचिही। उ त सुरुवेसे हतियारा छौ, सत चिजसे ओकरा कोनो मतलब नै छै, कथिलेत ओकरमे कोनो सत नै छै। जब उ झुठ बोलैछै, उ आपन स्वभाब अनुसार बोलैछै, कथिलेकी उ झुठ चियै आ उ झुठके पिता चियै। 45महज हम सत बोलैचियै त तुसब हमरा बिस्बास नै करैचिही। 46तोरासबमेसे कोइ परमानित करेसकैचिही कि हम पापके दोसी चियै? जब हम सत बाइजरहलचियै त कथिले हमरा बिस्बास नै करैचिही? 47जे परमेस्वरसङे समबन्ध राखैछै, उ परमेस्वरके बचन सुनैछै। तुसब परमेस्वरसङे समबन्ध नै राखैचिही, ओहैसे तुसब ओकर बचन नै सुनैचिही।”
येसु आ अबराहम
48यि बातसब सुइनके यहुदी अगुवासब येसुके कहल्कै, “तु सामरी चिही आ तोरा भुत लागल छौ। कि हमसब ठिके कहैचियौ नै?”
49येसु कहल्कै, “हमरा भुत नै लागल छै। हम आपन पिताके आदर करैचियै आ तुसब हमरा अनादर करैचिही। 50हम अपनेसे आपन आदर नै खोजैचियै, महज पिता परमेस्वर हमर आदर खोजैछै आ नियाय करैछै। 51साँचोके हम तोरासबके कहैचियौ, यदी जे कोइ हमर कहल बचनके पालन करतै त उ कहियो नै मरतै।”
52तखन यहुदी अगुवासब ओकरा कहल्कै, “आब त साँचेके हमसब जाइन गेलियै कि, तोरा भुत लागल छौ। अबराहम मरलै आ अगमबक्तासब सेहो मरलै, महज तु कहैचिही कि ‘यदी कोनो लोक हमर बचनके पालन करतै त उ कहियो नै मरतै।’ 53कि तु हमरासबके पुरखा अबराहमोसे महान चिही? उ त मरलै आ अगमबक्तासब सेहो मरलै। तु अपने-आपके के चियै कैहके ठानैचिही?”
54येसु ओइसबके जबाफ देल्कै, “यदी हम आपन आदर आपनेसे खोज्बै त ओकर कोनो अरथ नै हेतै, महज हमरा आदर करैबला हमर पिता छै जकरा तुसब ‘अपनासबके परमेस्वर’ कहैचिही। 55तुसब ओकरा चिन्हने नै चिही महज हम ओकरा चिन्हने चियै। यदी हम ओकरा नै चिन्हैचियै कहबै त हम्हु तोरासब जखा झुठा ठहरतियै। महज हम ओकरा चिन्हैचियै आ ओकर बचन पालन करैचियै। 56तोरासबके पुरखा अबराहम हमर आबैबला दिन देखैके लेल बहुते इक्छा करने छेलै। उ देख्बो करल्कै आ बहुत खुसियो भेलै।”
57यहुदी अगुवासब ओकरा कहल्कै, “तु त पचासो बरिस नै पुगल चिही, तब कनङके अबराहमके देखलिही त?”
58तब येसु ओकरासबके कहल्कै, “हम तोरासबके साँचोके कहैचियौ, अबराहमके जलमसे पहिनेसे हम चियै।”
59यि बात सुइनके उसब येसुके मारैके लेल पथल उठेल्कै, महज येसु ओइसबसे घोसैरके मन्दिरसे बाहर चैलगेलै।
Currently Selected:
युहन्ना 8: MTH
Highlight
Share
Copy
Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in
© 2024 (Active), Wycliffe Bible Translators, Inc. All rights reserved.