YouVersion Logo
Search Icon

युहन्‍ना 20

20
येसु मैरके जि उठलै
(मती २८:१-८, मरकुस १६:१-८, लुका २४:१-१२)
1रैबदिन मरियम मग्‍दलिनी भोरे चिहानमे एलै आ उ चिहानके मुहमे राखल पथल हट्‍याल देखल्‍कै। 2तब उ सिमोन पतरुस आ येसुके परेम करैबला दोसर चेला लग दौरते ज्‍याके कहल्‍कै, “उसब परभुके चिहानसे बाहर ल्‍यागेलै आ ओकर लहास कते राखनेछै से हमसब नै जानैचियै।” 3तब पतरुस आ उ दोसर चेला तुरन्‍ते चिहान दिसन गेलै। 4उ दुनुगोरा सङे-सङे दौरलै महज दोसर चेला पतरुससे पैहनिये चिहानमे पुग्‍लै। 5चिहानमे निहैकके ताकल्‍कै त लहासमे लपेटल कफन मातरे देखल्‍कै, महज उ भितर नै ढुकलै। 6ओकर पछा पछा सिमोन पतरुस एलै आ उ सरासर चिहान भितर ढुकलै आ लहासमे लपेटल कफन मातरे देखल्‍कै। 7येसुके कपारमे बान्‍हल कपरा कफनसङे नै छेलै महज अलगे चोपैतके राखल देखल्‍कै। 8तब पहिने आबल चेला सेहो भितर ढुक्‍लै। उ यि सब देखके बिस्‍बास करल्‍कै। 9येसु मिरतुसे जिबित भ्‍याके उठयै परतै, पबितर धरमसास्‍तरमे लिखल बचन उसब अखुनतक नै बुझने छेलै। 10तकरबाद उ दुनु चेलासब जतेरहै छेलै ओते घर घुइमके गेलै।
येसु मरियम मग्‍दलिनी लग परगट भेलै
(मती २८:९-१०, मरकुस १६:६-११)
11मरियम चिहान बाहरे ठार भ्‍याके कानैत रहलै। उ काइन्‍ते निहैकके चिहान भितर लिहारल्‍कै त, 12उ उजर बस्‍तर पिन्‍हने दुइटा स्‍वरगदुतके देखल्‍कै जते येसुके लहास राखने छेलै। एकटा येसुके मुरी दिसन त दोसरके टाङ दिसन बैठल देखल्‍कै। 13उसब मरियमके पुछल्‍कै, “ऐ बहिन, तु कथिले काइनरहल चिही।” मरियम ओइसबके जबाब देल्‍कै, “उसब हमर परभुके उठ्‍याके ल्‍यागेलै आ कते घोसाइरके राखनेछै से हम नै जानैचियै।”
14अतेक कहैत जब घुइमके पछामाथे ताकल्‍कै त उ येसुके ठारभेल देखल्‍कै महज येसुवे चियै कैहके उ नै चिन्‍हल्‍कै।
15येसु ओकरा कहल्‍कै, “ऐ बहिन, तु कथिले कानैचिही? ककरा ताकैचिही?”
मरियम ओकरा फुलबारीके माली हेतै कैहके कहल्‍कै, “हजुर, अहाँ परभुके अतेसे ल्‍यागेल चियै त हमरा कैह दिय कि कते राखने चियै। हम ओकरा ल्‍याजेबै।”
16तब येसु मरियमके कहल्‍कै, “मरियम!” उ घुइमके हिबरु भसामे कहल्‍कै, “रब्‍बी!” जकर अरथ “गुरु जी” चियै।
17येसु ओकरा कहल्‍कै, “हमरा नै छु, कथिलेत अखुनतक हम पिताके लग उपर नै गेल चियै। बरु हमर भाइसबलग ज्‍याके ओकरासबके कैहदहै कि हम आपन पिता आ तोरासबके पिता, आपन परमेस्‍वर आ तोरासबके परमेस्‍वर लग उपर ज्‍यारहल चियै।”
18तब मरियम मग्‍दलिनी चेलासब लग ज्‍याके कहल्‍कै कि “हम परभुके देखलियै!” तब येसुके कहल सब बात ओइसबके कैहदेल्‍कै।
येसु आपन चेलासब लग परगट भेलै
(मती २८:१६-२०, मरकुस १६:१४-१८, लुका २४:३६-४६)
19ओहै दिन अरथात हप्‍ताके पहिल्‍का दिनके साँझमे जब यहुदी अगुवासबके डरसे चेलासब केबार बन्‍द कैरके बैठल रहै, तब तखनिए येसु अनचेकेमे ओकरासबके बिचमे ठार भेलै आ ओकरासबके कहल्‍कै, “तोरासबके सान्‍ती!” 20अतेक कहैत येसु आपन हाथ आ कोइख चेलासबके देखेल्‍कै। उसब परभुके देखके बहुत खुसी भेलै। 21तब येसु फेनसे ओकरासबके कहल्‍कै, “तोरासबके सान्‍ती मिले! जनङ पिता हमरा पठेल्‍कै, तहिनङ हम्‍हु तोरासबके पठाइचियौ।” 22अतेक कैहके उ ओकरासब उपर साँस फुकैत कहल्‍कै, “पबितर आत्‍मा ले। 23जकर पाप तुसब छमा करबिही ओकर पाप छमा हेतौ आ जकर पाप तुसब छमा नै करबिही तकर पाप छमा नै हेतै।”#मती १६:१९, १८:१८
येसु थोमा लग परगट भेलै
24येसु ओइसबके बिचमे रहैतकाल उ बारह चेलासबमेसे थोमा जकर उपनाम जौवा छेलै, उ ओइसबसङे नै छेलै। 25औरो चेलासब थोमाके कहल्‍कै, “हमसब परभुके देखलियै।” महज थोमा कहल्‍कै, “जबतक हम ओकर हाथमे ठोकल काटीके चेख नै देख्‍बौ आ कांटी ठोकल खाइधमे औङरी नै ढुकाइबै आ ओकर कोइखमे आपन हाथ नै ढुकाइबै ताबे तलिक हम बिस्‍बास नै करबौ।”
26ओकर आठ दिन बाद फेनसे येसुके चेलासब घरमे जम्‍मा भेलै आ थोमा सेहो ओकरेसबसङे छेलै आ केबार बन्‍द भेलोपर येसु भितर एलै आ ओइसबके बिचमे ठार भ्‍याके कहल्‍कै, “तोरासबके सान्‍ती मिले!” 27तब येसु थोमाके कहल्‍कै, “तोहर औङरी अते राख आ हमर हाथ देख। हमर कोइखमे आपन हाथ ढुका। तु सङका नै कर बरु बिस्‍बास कर।”
28थोमा कहल्‍कै, “हे हमर परभु, हमर परमेस्‍वर!” 29येसु ओकरा कहल्‍कै, “तु त हमरा देखके बिस्‍बास करलिही महज उ लोक धैनके हेतै जे हमरा देखने नै छै तैयो बिस्‍बास करैछै।”
अइ किताबके मुल बात
30येसु औरो बहुतो अजगुतके कामसब आपन चेलासबके अगामे करल्‍कै, जे बात अइ किताबमे नै लिखलगेल छै। 31येसु परमेस्‍वरके बेटा, मुक्‍ती दैबला खिरिस्‍ट चियै कैहके बिस्‍बास कर आ बिस्‍बासके कारन ओकर नाममे तुसब जिबन पाबबिही कैहके यि सब बात अइ किताबमे लिखलगेल छै।

Highlight

Share

Copy

None

Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in