युहन्ना 15
15
साँचो अङगुरके लती
1 येसु आपन चेलासबके कहल्कै, “साँचो अङगुरके लती हम्ही चियै आ हमर पिता किसान चियै। 2हमरमे रहल सब ठाइर जे फल नै फराइछै, उ ओइसबके काइटदैछै आ फल फराइबला सब ठाइर औरो बेसीसे फराबे कैहके उ ओइसबके काटछाट करैछै। 3किसान ठाइरके साफ करल जखा तुसब पहिनेसे हमर बचनसे सुध भेलचिही। 4तुसब हमरमे रह आ हम तोरासबमे रहबौ। जेनङकी ठाइर अङगुरके लतीमे नै रहतै त उ आपनेसे फल फराइले नै सक्तै, तहिनङ तुसब हमरमे नै रहबिही त तुहुसब फल फराइले नै सकबिही।
5 “अङगुरके लती हम्ही चियौ, तुसब ठाइर चिही। यदी कोइ हमरमे रहतै आ हम ओकरमे रहबै त, उ बहौत फल फराइतै, कथिलेकी हमरसे अलग रैहके तुसब कुछो करैले नै सकबिही। 6यदी कोइ हमरमे नै रहतै त, उ काटल ठाइर जखा बाहर फेकल जेतै आ उ सुइख जेतै। एहेन ठारइरसबके लोकसब एक ठाममे जम्मा कैरके आइगमे झोइक दैछै आ उ डैहजेतै। 7यदी तुसब हमरमे रहबिही आ हमर बचन तोरासबमे रहतौ त, तुसब जे माङैले चाहैचिही से माङ आ उ तोरासबके देतौ। 8जब तुसब बहुत फल फराइबिही त हमर पिताके महिमा परकट हेतै आ तुसब हमर असल चेला चिही से बात परमानित हेतौ।
9 “जनङ पिता हमरा परेम करने छै, हम्हु तोरासबके परेम करनेचियौ। आब तुसब हमर परेममे रह। 10जनङ हम आपन पिताके आग्यापालन करनेचियै आ ओकर परेममे रहैचियै, तहिनङे तुहुसब हमर आग्यापालन करबिही त हमर परेममे रहबिही। 11हमर आनन्द तोरासबमे रहे आ तोरासबके आनन्द पुरा हेबे कैहके हम यि बातसब तोरासबके कहलियौ।
12 “हमर आग्या यह्या चियै कि जहिना हम तोरासबके परेम करनेचियौ तहिना तुहुसब एक-दोसरके परेम कर। #
युहन्ना १३:३४, १५:१७, १ युहन्ना ३:२३, २ युहन्ना १:५ 13साथि-सङीके लेल आपन परान देनाइसे बरका परेम औरो किछो नै छै। 14यदी तुसब हमर देल आग्यापालन करैचिही त, तुसब हमर सङी चिही। 15आबसे हम तोरासबके नोकर नै कहबौ, कथिलेकी मालिक कथी कैररहलछै से नोकर नै जानैछै। महज हम तोरासबके सङी कैहरहल चियौ, कथिलेकी हमर पितासे हम जे सुन्ने चियै से सब तोरासबके कैहदेने चियौ। 16तुसब हमरा नै चुनलिही, महज हम तोरासबके चुनलियौ। आब जो आ सबदिन रहैबला फल फराइहे कैहके हम तोरासबके चुनलियौ। तहैलेल तुसब हमर नाममे पितासे जे कुछ माङबिही उ तोरासबके देतौ। 17हम तोरासबके यि आग्या करैचियौ कि तुसब एक-दोसरके परेम कर।
सन्सारके लोकसबसे घिरना
18 “यदी सन्सारके लोकसब तोरा घिरना करतौ त, तोरासबसे पहिने हमरा घिरना करल्कै कैहके जान। 19यदी तुसब अइ सन्सारके रहतिही त, सन्सारके लोकसब तोरा आपन कैहके परेम करतियौ। महज तुसब अइ सन्सारके नै चिही। हम तोरासबके सन्सारसे चुनलियौ, ओहैसे अइ सन्सारके लोकसब तोरासबके घिरना करैछौ। 20हम जे बातसब कहलियौ तै बातसबमे गौरसे बिचार कर कि ‘नोकर आपन मालिकसे बरका नै हैछै।’ सन्सारके लोकसब हमरा त सतेल्कै उसब तोरोसबके सताइतौ। यदी सन्सारके लोकसब हमर बात मान्तै त, तोरोसबके बात सेहो मान्तौ।#मती १०:२४, लुका ६:४०, युहन्ना १३:१६ 21हमर नाममे बिस्बास करलाके खातिर उसब तोरासबके यि सब सताइबला काम करतौ, कथिलेत उसब हमरा पठाइबला पिताके नै चिन्हैछै।
22 “यदी हम आइबके नै कहने रहतियै त पापके दोसी नै हेतियै, महज आब आपन पापके लेल बहाना करैबला कोनो ठाम नै छै। 23जे हमरा घिरना करैछै, उ हमर पिताके सेहो घिरना करैछै। 24हम तोरासबके बिचमे जे काम करने छेलियौ, उ काम औरो दोसर नै करने छै। यदी उ काम हम नै करने रहतियै त, उसब पापके दोसी नै हेतियै। महज हमर करल अजगुत कामसब देखियोके उसब हमरा आ हमर पिता दुनोगोराके घिरना करैछै। 25महज ‘उसब हमरा बिना कारन घिरना करल्कै’ कैहके ओइसबके बेबस्थामे लिखल बचन पुरा हैकेलेल यि सब भेलै। #भजनसङगरह ३५:१९, ६९:४
26 “हम पिताके तरफसे तोरासबके लेल सल्लाह दैबला पबितर आत्माके पठादेबौ। उ पितालगसे एल सत आत्मा चियै जे हमर बारेमे गबाही देतै। 27तुहुसब हमर बारेमे गबाही देब्ही, कथिलेकी तुसब सुरुवेसे हमरसङे चिही।”
Currently Selected:
युहन्ना 15: MTH
Highlight
Share
Copy
![None](/_next/image?url=https%3A%2F%2Fimageproxy.youversionapi.com%2F58%2Fhttps%3A%2F%2Fweb-assets.youversion.com%2Fapp-icons%2Fen.png&w=128&q=75)
Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in
© 2024 (Active), Wycliffe Bible Translators, Inc. All rights reserved.