परेरित 17
17
पावल आ सिलास थेसलोनिकेमे एलै
1पावल आ सिलास अम्फिपोलिस आ अपोल्लोनिया सहरके बाट हैत थेसलोनिके सहरमे एलै। ओते एकटा यहुदीसबके सभाघर छेलै। 2पावल आपन आदत अनुसार अहौ ठामके सभाघरमे गेलै। उ ओते तिन हप्ता तक पबितर बिसराम दिनमे धरमसास्तरमे लिखल बातसबमे ओइसबसङे बात-चित करैत रहलै। 3उ धरम सास्तरसे परमान द्याके ओइसबके अनङके अरथ खोइलके बुझहेल्कै, “मुक्ती दैबला परभु येसु खिरिस्टके दुख भोइगके मरे परतियै आ मरके जि उठे परतियै, तब अकरे सुसमाचार हम तोरौरके सुनाइचियौ, जे मुक्तीदैबला खिरिस्ट चियै।” 4ओइसबमेसे कतहेक यहुदीसब बिस्बास कैरके पावल आ सिलासके पछा लाग्लै। अहिनङे परमेस्वरके सेबा करैबला गिरिकसब आ नाम चलल जनी ओहोसब बिस्बास करल्कै।
5महज औरो यहुदीसब ओइसबके डाह करै आ बजारके गुन्डा बदमाससबके बोल्याके बजारमे हो-हल्ला करैले लगाइल्कै। तकरबाद यासोनके घरमे हमला कैरके पावल आ सिलासके लोकसबके भिरके अगामे आनैले चाहल्कै। 6महज उसबके पावल आ सिलास ओते नै भेटलै। तब उसब यासोन आ परभुमे बिस्बास करैबला औरो भाइ-भैयारीसबके घिस्याइत-तिरयाइत सहरके हाकिमसबके अगामे लज्याके जोरसे किलोल कैरके कहल्कै, “यीसब जे सन्सारके तहस-नहस कैररहलछै, यीसब अतौ आइबगेल छै। 7उसबके यासोन आपन घरमे खिया-पियाके मेजमान बनाके राखनेछै, उसब रोमी माहाराजाके बात नै माइनके येसु नामके एक गोरा दोसर रजा छै से कहैछै।” 8यि बात जब सहरके हाकिमसब आ लोकसब सुनल्कै तब उसब घबरा गेलै। 9तब उसब यासोन आ ओकरसङे भेल्हा लोकसबके जमानत ल्याके छोइरदेल्कै।
बेरिया सहरमे
10ओहै दिन अन्हार हैत परभुमे बिस्बास करैबला भाइ-भैयारीसब पावल आ सिलासके बेरिया सहरमे पठाइल्कै। ओते पुग्लाकेबाद उसब यहुदी सभाघरमे गेलै। 11ओतेका लोकसब थेसलोनिकेके लोकसबसे खुला बिचारके लोकसब रहै। उसब परमेस्वरके सुसमाचार एकदम धियान द्याके सुनै। पावलके कहलहा बातसब मिलैछै कि नै मिलैछै कैहके उसब हरेक दिन धरमसास्तर पढ़है आ जाँचै। 12अहै कारन बहौत यहुदी लोकसब परभुमे बिस्बास करल्कै। तैहनङे बहौत नाम चलल असल गिरिक जनी आ मरदसब समेत परभुमे बिस्बास करल्कै।
13महज जब थेसलोनिकेमे भेल्हा यहुदीसब बेरियोमे पावल परमेस्वरके सुसमाचार परचार करैछै से बात सुनल्कै, तब उसब बेरियामे आइबके हो-हल्ला मचाबैले लाग्लै आ पावलके बिरोध करैले ओतेका लोकसबके उक्साइले लाग्लै। 14यि देखैत मातर बिस्बासी लोकसब पावलके तुरन्त समुन्दरके कात-करौतमे पठादेल्कै। महज सिलास आ तिमोथी ओतै बेरियेमे रैह गेलै। 15पावलके पुगाइले जाइबलासब ओकरा एथेन्स तक पुगादेल्कै। ओते पुइगके पावल ओइसबके हाथे सिलास आ तिमोथी सकभर जल्दीए आबे कैहके खबर पठाइल्कै।
एथेन्स सहरमे
16जब पावल एथेन्स सहरमे सिलास आ तिमोथीके लेल असियाल रहै तहै बखत सहर मुरतिये-मुरतिसे भरल देखके ओकर मनमे बहौत दुख लाग्लै। 17उ यहुदीसबके सभाघरमे ज्याके यहुदी आ परमेस्वरके डर मानैबला गिरिक जातीके लोकसबसे बात-चित करै। ओहिनङे सबदिन बजारमे आबैबला लोकोसबसङे उ खौम बात-चित करै। 18ओते इपिक्युरी आ स्तोइकी दारसनिकमेसे कुछ पावल सङे बाद-बिबाद करै। उसब कतहेक गोरा कहल्कै, “यि बर-बरहा कथी कहैछै?” औरोकोइ कहल्कै, “भैरसक यि कोनो लबका देबि-देउताके परचार करैछै!” कथिलेत पावल येसुके बारेमे आ उ मरके जि उठल छै तै बातके परचार करैछेलै। 19तब उसब पावलके अरियोपागसके सभामे लज्याके कहल्कै, “कि हमरासबके यि लया सिक्छाके बारेमे जाइन सकैचियै, जे अहाँ द्यारहलचियै। 20कथिलेकी अहाँके मुहसे हमरौरके नै बुझहैबला लबका बातसब सुनैचियै। तै खातिर यि बातसबके मतलब कथी चियै से हमरासबके बताबु।” 21कथिलेत एथेन्सके लोकसब आ ओतै रहैबला आ दोसर देससे आबैबला लोकसब लबका-लबका बातसब कहैके आ सुनैके अलाबा दिनभैर औरो कोनो काम नै करै।
22पावल अरियोपागस सभाके बिचमे ठार भ्याके कहल्कै, “हे एथेन्समे रहैबला लोकसब, अहाँसबके सब चिजमे हम बहौत धरमी देखैचियै, 23कथिलेत यि सहरमे घुमफिर करैत अहाँसबके पुजो करैबला ठामसब देखलियै। हम अहिनो एकटा बेदी देखलियै जैमे, ‘अनजान भगबान खातिर’ खोइधके लिखल देखलियै। अहैले अहाँसब अकरा अनजानमे पुजा करैचियै, ओह्या परमेस्वरके हम अखुन अहाँसबके बिचमे सुनाइ चियै। 24परमेस्वर, जे सन्सार आ ओइमे भेल सबचिजके बनाइल्कै, ओह्या स्वरग आ पिरथिबीके मालिक चियै। उ लोकसबके बन्याल मन्दिरमे बास नै करैछै। 25ओकरा लोकके कोनो चरहौवा चिजके जरुरत नै परैछै, महज ओह्या लोकसबके जिबन, परान आ सब चिज दैछै। 26ओह्या परमेस्वर जे एक गोरासे पुरे सन्सारमे लोकसब रहे कैहके सब जातीसबके सिरिस्टी करल्कै। ओइसबके औरदा आ रहैबला ठाम पैहनैयेसे तोइकदेने छै। 27लोकसब परमेस्वरके खोजैले आ छुइब-छाइबके भेटाबे सके कैहके अहै आसमे अनङ करल्कै। महज तैयो परमेस्वर अपनासबसे दुर नै छै। 28कथिलेत अपनासब ओकरे नामसे जियैचियै, ओकरे नाममे आनन्द करैचियै आ ओकरेमे अपनासबके जिबन छै। अहै बारेमे अहाँसबके एकटा कबियो कहनेछै, ‘साँचोके अपनासब ओकरे धियापुता चियै।’ 29अहिनङे अपनासब परमेस्वरके धियापुता भेलाके कारन, परमेस्वरके लोकसबके आपन बुधि आ कलासे बन्याल पथल, सोना आ चानीके मुरती जखा नै सम्झु। 30अहैले पहिने अनजानमे करल कामके परमेस्वर धियान नै दैछै। महज आब परमेस्वर सब ठामके लोकसबके ‘आपन-आपन पाप माइनके पस्चाताव करै’ कैहके आग्या देने छै। 31कथिलेत सन्सारके सब लोकसबके नियाइ करैके दिन उ तोइकदेने छै। ओइ दिन परमेस्वर आपनेसे छानल लोकसे सन्सारके उचित नियाय करतौ। ओइ लोकके नियाइ करैके अधिकार छै से परमान लोकसबके देबेखातिर परमेस्वर ओकरा मरलसे जियाइल्कै।”
32लोकसब मैरके जि उठैछै से बात सुइनके ओतेका कतहेक लोक पावलके मजाक उराइल्कै। महज कोइ-कोइ कहल्कै, “यि बात फेनो हमसब सुनैले चाहैचियै।” 33तकरबाद पावल ओकरासबके लगसे चैलगेलै। 34कुछ लोकसब पावल सङे लाइगके परभुमे बिस्बास करल्कै। ओइसबमेसे अरियोपागस सभाके डियनुसियस नामके सदस आ दामारिस नामके जनी रहै। अकरौरके अलाबा औरो कुछ लोक परभुमे बिस्बास करल्कै।
Currently Selected:
परेरित 17: MTH
Highlight
Share
Copy

Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in
© 2024 (Active), Wycliffe Bible Translators, Inc. All rights reserved.