परेरित 15
15
यरुसलेमके महासभा
1जब कुछ लोकसब यहुदिया परदेससे एन्टिओखियामे आइबके बिस्बासीसबके अनङ सिक्छा देबे लाग्लै, “जाबेतक तुसब मोसाके नियम जखा खतना नै करबिही ताबे तक तुसब मुक्ती नै पाबबिही।” 2तब पावल आ बरनाबासके ओइसबसङे बहौत कहा-कही आ झगरा भेलाके बाद ओतेका बिस्बासीसब यि सबालके खातिर सरसल्लाह करैले पावल आ बरनाबास आ औरो लोकसबके परेरितसब आ मन्डलीके रेखदेख करैबलासब लग यरुसलेम पठाइले निरनय करल्कै। 3एन्टिओखिया मन्डलीके सब बिस्बासीसबके ओतेसे जाइले छुट्टी देल्कै। उसब फोनिके आ सामरिया परदेस हैतगेलै आ ओतेका बिस्बासीसब कनङके गैर-यहुदीसब परभुके बिस्बास करल्कै से बातसब बिस्तारमे सुनाइल्कै। यि बात सुइनके ओतेका बिस्बासीसब बहुते खुसी भेलै।
4जब उसब यरुसलेममे पहुचलै तब ओइसबके ओतेका मन्डली, परेरितसब आ मन्डलीके रेखदेख करैबलासब स्वागत करल्कै। तब बरनाबास आ पावल ओइसबके सुनाबे लाग्लै जे परमेस्वर ओकरासबसे केहन-केहन कामसब करने छै। 5महज परभुमे बिस्बास करैबला फरिसी दलके कुछ लोक ठार भ्याके कहेलाग्लै, “गैर-यहुदीसबके यहुदी चलन अनुसार खतना करनाइ जरुरी छै आ ओइसबके आग्या देल जाय कि मोसाके नियम पालन करे।”
6अहै बातमे सोच बिचार करैले परेरितसब आ मन्डलीके रेखदेख करैबलासब बैठकी करल्कै। 7बहौत देर तक बात-बिचार करलाके बाद, पतरुस उइठके ओइसबके कहल्कै, “हमर भाइ-भैयारीसब, तोरासबके थाहे हेतौ कि बहौत दिन पैहने परमेस्वर तोरासबके बिचसे हमरा अहै खातिर छानल्कै जे गैर-यहुदीके लोकसब हमर मुहसे परभुके सुसमाचार सुने आ बिस्बास करे। 8मनके बात जानैबला परमेस्वर ओकरोसबके आपनेसब जखा पबितर आत्मा द्याके अहै बातके परमान देल्कै कि उ ओकरोसबके सुइकार करल्कै। 9परमेस्वर ओकरासबमे आ अपनासबमे कोनो भेदभाव नै करल्कै, महज ओइसबके मन सुध करल्कै कथिलेत उसब परभुमे बिस्बास करल्कै। 10तहै खातिर बिस्बासीके कन्हामे यि जुवा राइखके कथिले परमेस्वरके परिक्छा करैचिही? यि जुवा नै त अपनासबके पिता-पुरखा नै त आपनेसब बोके सक्लियै। 11महज हमसब बिस्बास करैचियै कि परभु येसुके किरपासे अपनासबके मुक्ती मिलल छै, जनङ उसबके मिलल छै।”
12सभाके सबलोक चुप भेलै जब बरनाबास आ पावल ओइसबके परमेस्वर केहन-केहन आस्चरजके चेन्हा आ कामसब गैर-यहुदीसबके बिचमे ओइसबसे करने छै कहल्कै।
13उसब बोइललेलाके बाद याकुब ठार भ्याके पुछल्कै, “हौ भैयारीसब, अहाँसब हमर बात सुनु। 14परमेस्वर कनङके गैर-यहुदीके दया कैरके ओकरासबके आपन लोक बनाइल्कै, से बात सिमोन अखुन्ते कहलक, 15आ अकर यि बात अगमबक्ताके बातसे मिलैछै, जनङ धरमसास्तरमे लिखल छै,
16‘तकरबाद हम घुइमके एबै
आ दाउदके उजरल घर बन्यादेबै
आ ओकरा फेनोसे ठार करबै।
17बाकी लोकसब हमरा खोजौक अरथात आनोजातके लोकसब परमपरभुके खोजौक, जेकरासबके हम अहिलेल बोलेलियै जे उसब हमर लोकसब बने।’
18“यि बात परमपरभु कहैछै, जे सिरिस्टीके सुरुवेसे यि बातसबके जानकारी कराइत एलछै।
19“अहै खातिर हमर बिचार छै कि परमेस्वर दिसन घुइमके आबैबला आनजातसबके अपनासब दुख नै दहै, 20महज उसब यि बात लिखके पठेल्कै, कि उसब ‘मुरुतके चरह्याल चिजसबसे, बेबिचारसे, कन्ठ दाइबके अरथात लहु नै बह्याके मारल पसुके मौस आ लहुसे अलग रहे।’ 21कथिलेत मोसाके देल्हा नियम त पैहनैयेसे सहर-सहर आ गाम-गाम परचार करल जाइछै, ओकर लिखल हरेक सभाघरमे परहल जाइछै।”
बिस्बास करैबला आनजातके लोकसबके लेल लिखल चिठी
22तकरबाद परेरितसब आ मन्डलीके अगुवासब मन्डलीके पुरा लोकसबसङे मिलके दुइ गोराके छानल्कै। उसब ओइ दुनुगोराके बरनाबास आ पावलके सङ लग्याके एन्टिओखिया पठाइले उचित ठानल्कै। उ चुनलहा बरनाबास कहाइबला यहुदा आ सिलास रहै। उ दुनुगोरा परभुमे बिस्बास करैबलासबके अगुवा रहै। 23उ चारु गोराके हाथे एहे चिठी पठाइल्कै: एन्टिओखिया, सिरिया आ किलिकियामे रहैबला, परभुमे बिस्बास करैबला औरो जातके साथीसङिसब, यि चिठी दुवारा हमरासबके परेरितसब आ धरमगुरुसबसे अभिबादन छै। 24हमसब सुन्नेचियै कि, हमरासबके बिचसे कोइ-कोइ अहाँसब लग जाके हमरासबके आदेसे बेगर अहाँसबके मनमे तकलिफ कैरके कतहेक बातसे दुख देने छै। 25तै कारन हमसब बैठकी कैरके सल्लाह करलियै, तब एकमत कैरके हमरासबके बात अहाँसब लग पुगाइले हमरासबके बिचसे चुइनके हमरासबके पिरिय बरनाबास आ पावलके सङे पठाइले निरनय करलियौ। 26यि दुनुगोरा एहेन लोकसब चियै, जे परभु येसु खिरिस्टके सेबाके खातिर आपन जानो तकके परबाह नै करने छै। 27अहै खातिर हमसब यहुदा आ सिलासके पठाइने चियौ। ओहो दुनुगोरा एह्या लिखल बातसब आपने मुहसे अहाँसबके कहत। 28पबितर आत्मा आ हमरासबके यि उचित लाग्लै कि पालन करैबला मुख बातके अलाबा औरो कोनो बोझ नै हेबे। 29आब मुल बातसब एह्या चियै-
मुरुतके चरहौवा खाइबला कोनो चिज नै खो, कुछोके लहु,
कन्ठ किचके मारल पसुके मौस नै खो,
बेबिचारसे अलग भ्याके रह,
यि बातसबके पालन करबिही त
तोरासबके लेल असल हेतौ।
तोरासबके भलाइ हेबे। बिदा।
30तकरबाद उ चारु भाइ-भैयारीसब यि चिठी लके एन्टिओखिया सहरमे गेलै। ओते उसब मन्डलीके सब बिस्बासीके बोल्याके चिठी देल्कै। 31उसब चिठीमे उत्साहके बात पैढ़के सब बिस्बासीसब खुसी भेलै। 32यहुदा आ सिलास ओहोसब परमेस्वरके तरफसे बोलैबला अगमबक्तासब रहै। उसब परभुमे बिस्बास करैबला भाइ-भैयारीसबके बिस्बासमे मजगुत करैत उत्साह देल्कै। 33यहुदा आ सिलास कुछदिन तक एन्टिओखियेमे रहलै। तकरबाद बिस्बासी भाइ-भैयारीसब ओकरासबके आसिरबाद देल्कै जेसब ओकरासबके पठाइने छेलै ओकरेसबके लग बिदा कैरदेल्कै। 34[महज सिलास ओतै रहैके इक्छा करल्कै।]
35पावल आ बरनाबास कुछ समय तक एन्टिओखियामे औरो बहौतगोरा सङे मिलके परभुके सिक्छा दैत परचार करैत रहलै।
पावल आ बरनाबासमे मनमोटाब
36कुछ समय बितलाके बादमे पावल बरनाबासके कहल्कै, “आब अपनासब परमेस्वरके बचन परचार करलहा सहरसबमे फेनो चल आ ओतेका परभुमे बिस्बास करैबला सब भाइ-भैयारीसब केहन छै से जानकारी लेब।” 37बरनाबास मरकुस कहाइबला युहन्नाके ओइसबके सङे लजाइले इक्छा करल्कै, जकर नाम मरकुस रहै। 38महज पावल मरकुसके सङे लजाइले इन्कार करल्कै, कथिलेत उ आपन काम पुरा नै कैरके ओइसबके पामफिलियामे छोइरके गेल रहै। 39ओहै बातमे पावल आ बरनाबासके अतहेक मनमोटाब भेलै कि बादमे उसब अलग-अलग भ्यागेलै। बरनाबास मरकुसके साथमे ल्याके साइपरस टपु दिसन गेलै।
40तब पावल सिलासके छानल्कै। तकरबाद परभुमे बिस्बास करैबला भाइ-भैयारीसब ओइसबके परभुके किरपामे सौप देल्कै। 41उसब सिरिया आ किलिकिया परदेसमे घुइम-घुइमके ओतेका बिस्बासीसबके बिस्बासमे मजगुत बनाइत गेलै।
Currently Selected:
परेरित 15: MTH
Highlight
Share
Copy

Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in
© 2024 (Active), Wycliffe Bible Translators, Inc. All rights reserved.