YouVersion Logo
Search Icon

मरकुस 14

14
एक दिस हत्‍याक षड्‌यन्‍त्र—दोसर दिस अपूर्व प्रेम
(मत्ती 26:1-13; लूका 22:1-2; यूहन्‍ना 11:45-53; 12:1-8)
1फसह-पाबनि और “बिनु खमीरक रोटी वला पाबनि” होमऽ मे दू दिन बाँकी छल। मुख्‍यपुरोहित और धर्मशिक्षक सभ यीशु केँ कोन तरहेँ छल सँ पकड़ब और मारि देब, तकर उपाय तकैत छलाह। 2मुदा ओ सभ कहलनि जे, “पाबनिक समय मे नहि। एना नहि होअय जे जनता उपद्रव करय।”
3यीशु बेतनिया गाम मे सिमोन नामक एक आदमी, जिनका पहिने कुष्‍ठ-रोग भेल छलनि, तिनका घर मे भोजन करैत छलाह। तखने एकटा स्‍त्रीगण संगमरमरक बर्तन मे जटामासी नामक बहुत दामी तेल अनलनि। बर्तन फोड़ि कऽ तेल हुनका माथ पर ढारि देलथिन। 4लेकिन ओहिठाम बैसल किछु लोक खिसिआ कऽ एक-दोसर केँ कहऽ लागल जे, “ई दामी तेल किएक बरबाद कयल गेल? 5ई तँ एक वर्षक मजदूरी सँ बेसी मे बेचि कऽ गरीब सभ मे बाँटल जा सकैत छल!” और ओहि स्‍त्री केँ डाँटऽ लागल।
6मुदा यीशु कहलथिन, “हिनका छोड़ि दिऔन! हिनका किएक तंग करैत छिऐन? हमरा लेल बहुत बढ़ियाँ काज कयलनि। 7गरीब सभ तँ अहाँ सभक संग सभ दिन रहत, और अहाँ सभ केँ जहिया मोन होयत तहिया ओकरा सभक सहायता कऽ सकब। मुदा हम अहाँ सभक संग सभ दिन नहि रहब। 8ई जे किछु कऽ सकैत छलीह से कयलनि। ई पहिनहि सँ हमरा देह मे तेल लगा कऽ हम जे कबर मे राखल जायब तकर तैयारी कयलनि। 9हम अहाँ सभ केँ सत्‍य कहैत छी जे, संसार भरि मे जतऽ कतौ हमर शुभ समाचारक प्रचार कयल जायत, ततऽ एहि स्‍त्रीगणक स्‍मरण मे हिनकर एहि काजक चर्चा सेहो कयल जायत।”
यहूदाक विश्‍वासघात वला योजना
(मत्ती 26:14-16; लूका 22:3-6)
10तखन यहूदा इस्‍करियोती, जे बारह शिष्‍य मे सँ एक छल, यीशु केँ मुख्‍यपुरोहित सभक हाथ मे पकड़यबाक योजना बनयबाक लेल हुनका सभक ओहिठाम गेल। 11यहूदाक बात सुनि कऽ मुख्‍यपुरोहित सभ बहुत खुश भऽ गेलाह और ओकरा ई काज करबाक लेल पैसा देबाक वचन देलथिन। तेँ ओ यीशु केँ पकड़बयबाक अनुकूल अवसरक ताक मे रहऽ लागल।
शिष्‍य सभक संग अन्‍तिम भोज
(मत्ती 26:17-25; लूका 22:7-14, 21-23; यूहन्‍ना 13:21-30)
12बिनु खमीरक रोटी वला पाबनिक पहिल दिन, जाहि दिन मे फसह-भोजक भेँड़ा बलिदान करबाक प्रथा छल, शिष्‍य सभ यीशु सँ पुछलथिन जे, “फसह-पाबनिक भोजक व्‍यवस्‍था अहाँक लेल हम सभ कतऽ ठीक करू?”
13यीशु दूटा शिष्‍य सभ केँ ई कहि कऽ पठौलनि जे, “शहर मे जाउ। ओतऽ घैल मे पानि लऽ जाइत एक पुरुष अहाँ सभ केँ भेटत, ओकरा पाछाँ-पाछाँ जाउ। 14जाहि घर मे ओ प्रवेश करत ओहि घरक मालिक केँ कहबनि जे, ‘गुरुजी पुछैत छथि जे हमर अतिथि-घर कतऽ अछि जतऽ हम अपना शिष्‍य सभक संग फसह-भोज खायब?’ 15ओ अहाँ सभ केँ उपरका तल्‍ला पर एक नमहर कोठली देखौताह जाहि मे सभ किछु तैयार रहत। ओतहि अहाँ सभ अपना सभक भोजक तैयारी करू।”
16दूनू शिष्‍य विदा भऽ कऽ शहर मे पहुँचलाह, और जहिना यीशु हुनका सभ केँ कहने छलथिन, ठीक ओहिना सभ किछु भेटलनि, और ओ सभ ओतऽ फसह-भोजक तैयारी कयलनि।
17ओहि साँझ मे यीशु अपन बारहो शिष्‍यक संग ओतऽ पहुँचलाह। 18भोजन करैत काल यीशु कहऽ लगलाह जे, “हम अहाँ सभ केँ सत्‍य कहैत छी जे, अहाँ सभ मे सँ एक गोटे हमरा पकड़बा देत, एक गोटे जे हमरा संग भोजन सेहो कऽ रहल अछि।”
19शिष्‍य सभ दुखी भऽ कऽ एक-एक कऽ हुनका सँ पुछऽ लगलनि जे, “ओ हम तँ नहि छी?!” 20यीशु हुनका सभ केँ कहलथिन, “ओ अहाँ बारहो मे सँ एक अछि जे हमरा संग बट्टा मे रोटी केँ बोड़ैत अछि। 21मनुष्‍य-पुत्रक सम्‍बन्‍ध मे जहिना धर्मशास्‍त्र मे लिखल गेल अछि तहिना तँ ओ चलिए जायत, मुदा धिक्‍कार अछि ओहि मनुष्‍य केँ जे मनुष्‍य-पुत्र केँ पकड़बा रहल अछि। ओकरा लेल तँ नीक ई रहितैक जे ओ जन्‍मे नहि लेने रहैत।”
“प्रभु-भोज”क शुरुआत
(मत्ती 26:26-30; लूका 22:14-20; 1 कोरिन्‍थी 11:23-25)
22ओ सभ जखन भोजन कऽ रहल छलाह तँ यीशु रोटी लेलनि आ परमेश्‍वर केँ धन्‍यवाद देलनि। ओ रोटी केँ तोड़ि कऽ शिष्‍य सभ केँ देलथिन आ कहलथिन, “लिअ, ई हमर देह अछि।” 23तखन बाटी हाथ मे लेलनि, और परमेश्‍वर केँ धन्‍यवाद दऽ कऽ हुनका सभ केँ देलथिन। ओ सभ गोटे ओहि मे सँ पिलनि। 24ओ हुनका सभ केँ कहलथिन, “ई परमेश्‍वर आ मनुष्‍यक बीच विशेष सम्‍बन्‍ध#14:24 किछु हस्‍तलेख सभ मे “विशेष नव सम्‍बन्‍ध” लिखल अछि। स्‍थापित करऽ वला हमर खून अछि, जे बहुत लोकक लेल बहाओल जा रहल अछि। 25हम अहाँ सभ केँ सत्‍य कहैत छी जे, जाबत तक परमेश्‍वरक राज्‍य मे हम नवका अंगूरक रस नहि पीब, ताबत तक अंगूरक रस फेर नहि पीब।” 26तकरबाद एक भजन गाबि कऽ ओ सभ जैतून पहाड़ पर चल गेलाह।
शिष्‍य सभक पतनक सम्‍बन्‍ध मे भविष्‍यवाणी
(मत्ती 26:31-35; लूका 22:31-34; यूहन्‍ना 13:36-38)
27तखन यीशु हुनका सभ केँ कहलथिन, “अहाँ सभ गोटे अपना विश्‍वास मे डगमगायब, किएक तँ धर्मशास्‍त्र मे लिखल अछि जे परमेश्‍वर कहने छथि,
‘हम चरबाह केँ मारि देबैक,
और भेँड़ा सभ छिड़िया जायत।’#14:27 जक 13:7
28मुदा मृत्‍यु सँ फेर जीवित भऽ गेलाक बाद हम अहाँ सभ सँ पहिने गलील प्रदेश जायब।” 29एहि पर पत्रुस हुनका कहलथिन, “चाहे सभ केओ विश्‍वास मे डगमगायत, मुदा हम नहि डगमगायब!” 30यीशु हुनका कहलथिन, “हम अहाँ केँ सत्‍य कहैत छी जे, आइए राति मे, अहाँ हमरा अस्‍वीकार करब। मुर्गा केँ दू बेर बाजऽ सँ पहिने अहाँ तीन बेर लोक केँ कहबैक जे, हम ओकरा चिन्‍हबो नहि करैत छिऐक।” 31मुदा पत्रुस आरो जोर सँ कहलथिन जे, “हमरा जँ अहाँक संग मरहो पड़त तैयो हम किन्‍नहुँ नहि अहाँ केँ अस्‍वीकार करब।” आरो सभ शिष्‍य सेहो यैह बात कहलथिन।
गतसमनी मे यीशुक प्रार्थना
(मत्ती 26:36-46; लूका 22:39-46)
32ओ सभ गतसमनी नामक एक जगह पर गेलाह। यीशु अपना शिष्‍य सभ केँ कहलथिन, “जाबत हम प्रार्थना करैत छी, ताबत अहाँ सभ एहिठाम बैसल रहू।” 33ओ पत्रुस, याकूब और यूहन्‍ना केँ अपना संग लऽ गेलाह। ओ मानसिक वेदना सँ व्‍याकुल होमऽ लगलाह, 34आ हुनका सभ केँ कहलथिन, “हमर मोन व्‍यथा सँ एतेक व्‍याकुल अछि—मानू जे हम दुःख सँ मरऽ पर छी। अहाँ सभ एहिठाम रहि कऽ जागल रहू।” 35एतेक कहि ओ कनेक आगाँ जा मुँह भरे खसि कऽ प्रार्थना कयलनि जे, सम्‍भव होअय तँ ई दुःखक समय हमरा लग सँ दूर भऽ जाय। 36ओ प्रार्थना करैत कहलनि जे, “हे बाबूजी!#14:36 मूल मे, “हे ‘अब्‍बा’ ”, जे इब्रानी भाषी बच्‍चा और नमहरो लोक अपना पिताक सम्‍बोधन मे प्रयोग करैत अछि। हे पिता! अहाँ तँ सभ किछु कऽ सकैत छी—ई दुःखक बाटी हमरा सँ हटा लिअ, मुदा तैयो हमर इच्‍छा नहि, अहींक इच्‍छा पूरा होअय।”
37तकरबाद अपन शिष्‍य सभ लग आबि कऽ हुनका सभ केँ सुतल देखलथिन। ओ पत्रुस केँ कहलथिन, “सिमोन! सुतल छी की? की एको घण्‍टा जागल रहितहुँ से अहाँ केँ पार नहि लागल? 38परीक्षा मे नहि पड़ि जाउ ताहि लेल अहाँ सभ जागल रहू आ प्रार्थना करैत रहू। आत्‍मा तँ तैयार अछि मुदा शरीर कमजोर।”
39यीशु फेर जा कऽ पहिने जकाँ प्रार्थना कयलनि। 40ओ जखन प्रार्थना कऽ कऽ शिष्‍य सभ लग अयलाह तँ ओ सभ फेर सुतल छलाह। हुनकर सभक आँखि नीन सँ भारी भऽ गेल छलनि। आब यीशु केँ की जबाब दिऔन से हिनका सभ केँ किछु नहि फुरयलनि।
41यीशु फेर तेसर बेर हुनका सभ लग अयलाह और कहलथिन, “एखनो तक सुतिए रहल छी आ आरामे कऽ रहल छी? आब भऽ गेल! समय आबि गेल—देखू आब मनुष्‍य-पुत्र पापी सभक हाथ मे पकड़बाओल जा रहल अछि। 42उठू-उठू! चलू! देखू, हमरा पकड़बाबऽ वला आबि गेल अछि!”
यीशु बन्‍दी बनाओल गेलाह
(मत्ती 26:47-56; लूका 22:47-53; यूहन्‍ना 18:3-12)
43यीशु ई कहिए रहल छलाह कि यहूदा, जे बारह शिष्‍य मे सँ एक छल, पहुँचि गेल। ओकरा संग लोकक भीड़ छलैक, और सभक हाथ मे तरुआरि और लाठी छल। ओकरा सभ केँ मुख्‍यपुरोहित, धर्मशिक्षक, और बूढ़-प्रतिष्‍ठित लोकनि पठौने छलाह। 44यीशु केँ पकड़बाबऽ वला ओकरा सभ केँ ई संकेत देने छलैक जे, “हम जकरा चुम्‍मा लेब, वैह होयत—अहाँ सभ ओकरे पकड़ू आ घेरि कऽ पहरा मे लऽ जायब।” 45यहूदा तुरत यीशुक लग मे जा कऽ कहलकनि, “गुरुजी!” आ हुनका चुम्‍मा लेलकनि।
46ओ सभ हुनका तुरत पकड़ि कऽ बन्‍दी बना लेलकनि। 47ओहि ठाम ठाढ़ एक आदमी तरुआरि निकालि कऽ महापुरोहितक टहलू पर चला कऽ ओकर एकटा कान उड़ा देलनि।
48यीशु ओकरा सभ केँ कहलथिन, “की अहाँ सभ हमरा विद्रोह मचाबऽ वला बुझि कऽ, लाठी और तरुआरि लऽ कऽ पकड़ऽ अयलहुँ? 49सभ दिन हम मन्‍दिर मे शिक्षा दैत अहाँ सभक संग छलहुँ, ततऽ अहाँ सभ हमरा नहि पकड़लहुँ। मुदा ई सभ एना एहि लेल भेल जे धर्मशास्‍त्र मे लिखल बात पूरा होअय।” 50तखन सभ शिष्‍य हुनका छोड़ि कऽ भागि गेलनि। 51ओहिठाम एक नवयुवक सेहो छल जे यीशुक पाछाँ-पाछाँ चलैत छल। ओ अपना देह पर मात्र चद्दरि लपेटने रहय। लोक सभ ओकरो पकड़ऽ लागल 52लेकिन ओ चद्दरि ओकरा सभक हाथ मे छोड़ि कऽ नंगटे दौड़ैत भागल।
धर्म-महासभाक सामने यीशु
(मत्ती 26:57-68; लूका 22:54-55, 63-71; यूहन्‍ना 18:13-14, 19-24)
53तखन यीशु केँ महापुरोहितक ओहिठाम लऽ गेलनि, जाहिठाम सभ मुख्‍यपुरोहित, बूढ़-प्रतिष्‍ठित लोक और धर्मशिक्षक सभ जमा भेल छलाह। 54पत्रुस सेहो किछु दूरे रहि कऽ यीशुक पाछाँ-पाछाँ महापुरोहितक अङने मे पैसि गेलाह। ओ सिपाही सभक संग घूर लग बैसि कऽ आगि तापऽ लगलाह। 55मुख्‍यपुरोहित सभ और पूरा धर्म-महासभाक सदस्‍य सभ यीशु केँ मृत्‍युदण्‍डक जोगरक बनयबाक लेल हुनका विरोध मे प्रमाण सभ तकैत छलाह, मुदा किछु नहि भेटलनि। 56कारण बहुत लोक हुनका विरोध मे झूठ गवाही देलक लेकिन ओकरा सभक बात एक-दोसर सँ नहि मिललैक।
57तखन किछु लोक उठि कऽ हुनका विरोध मे झूठ गवाही दैत कहलक जे, 58“हम सभ ओकरा ई कहैत सुनलहुँ अछि जे, ‘ई हाथ सँ बनाओल मन्‍दिर केँ हम तोड़ि देब और तीन दिनक बाद हम दोसर बनायब जे मनुष्‍यक हाथ सँ बनाओल नहि होयत।’ ” 59मुदा तैयो ओकरा सभक बात एक-दोसर सँ नहि मिलैत छल।
60तखन महापुरोहित सभाक बीच मे ठाढ़ भऽ कऽ यीशु सँ पुछलथिन जे, “की अहाँ कोनो उत्तर नहि देब? ई गवाह सभ अहाँक विरोध मे केहन बात सभ कहि रहल अछि?” 61मुदा यीशु चुप रहि कऽ कोनो उत्तर नहि देलथिन। फेर महापुरोहित हुनका पुछलथिन जे, “की अहाँ उद्धारकर्ता-मसीह छी? परमधन्‍य परमेश्‍वरक पुत्र छी?”
62यीशु कहलथिन, “हँ, हम छी। और अहाँ सभ मनुष्‍य-पुत्र केँ सर्वशक्‍तिमान परमेश्‍वरक दहिना कात बैसल और आकाशक मेघ मे अबैत देखब।” 63ई सुनि महापुरोहित अपन वस्‍त्र फाड़ि कऽ कहलथिन, “आब आरो गवाह सभक की आवश्‍यकता? 64अहाँ सभ एकरा परमेश्‍वरक निन्‍दा करैत सुनबे कयलहुँ—आब अहाँ सभक की विचार?” सभ हुनका मृत्‍युदण्‍डक जोगरक ठहरौलकनि।
65किछु लोक हुनका पर थूक फेकऽ लगलनि, हुनका आँखि पर पट्टी बान्‍हि कऽ हुनका मुक्‍का मारऽ लगलनि और कहलकनि जे, “यौ अन्‍तर्यामी, कहल जाओ! अपने केँ के मारलक?” सिपाही सभ सेहो हुनका थप्‍पड़ मारलकनि।
पत्रुस द्वारा यीशु केँ अस्‍वीकार
(मत्ती 26:69-75; लूका 22:56-62; यूहन्‍ना 18:15-18, 25-27)
66एहि समय मे पत्रुस नीचाँ आङन मे छलाह। महापुरोहितक एक टहलनी आबि कऽ 67पत्रुस केँ आगि तपैत देखि हुनकर मुँह ठिकिअबैत कहलकनि जे, “अहूँ एहि नासरत-निवासी यीशुक संग छलहुँ!” 68मुदा पत्रुस अस्‍वीकार करैत कहलथिन, “तोँ की बाजि रहल छेँ से हमरा बुझहो मे नहि अबैत अछि आ ने ओहि बात केँ हम जनैत छी।” और ओहिठाम सँ हटि कऽ आङनक मुँह पर चल गेलाह, आ मुर्गा बाजल। 69फेर ओ टहलनी हुनका देखि कऽ ओहिठाम ठाढ़ लोक सभ केँ कहलकैक जे, “ई आदमी ओकरे सभ मे सँ केओ अछि!” 70मुदा पत्रुस फेर अस्‍वीकार कयलनि। किछु कालक बाद ओहिठाम ठाढ़ लोक सभ पत्रुस केँ कहलकनि जे, “निश्‍चय तोँ ओकरे सभ मे सँ छह! तोँहूँ तँ गलीले प्रदेशक छह!”
71एहि पर ओ सपत खा कऽ अपना केँ सरापऽ लगलाह और कहलथिन, “जाहि व्‍यक्‍तिक बारे मे अहाँ सभ बाजि रहल छी, तकरा हम नहि चिन्‍हैत छी!”
72तखने मुर्गा दोसर बेर बाजि उठल। तखन पत्रुस केँ ओ बात मोन पड़ि गेलनि जे यीशु हुनका कहने छलथिन जे, “मुर्गा केँ दू बेर बाजऽ सँ पहिने अहाँ हमरा तीन बेर अस्‍वीकार करब।” और ओ भोकासी पाड़ि कऽ कानऽ लगलाह।

Currently Selected:

मरकुस 14: mai

Highlight

Share

Copy

None

Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in