YouVersion Logo
Search Icon

लूका 3

3
यूहन्‍ना द्वारा यीशुक अयबाक लेल तैयारी
(मत्ती 3:1-12; मरकुस 1:1-8; यूहन्‍ना 1:19-28)
1-2कैसर तिबिरियुसक शासन-कालक पन्‍द्रहम वर्ष मे जकरयाहक पुत्र यूहन्‍ना लग निर्जन क्षेत्र मे परमेश्‍वरक दिस सँ सम्‍बाद अयलनि। ओहि समय मे पुन्‍तियुस पिलातुस यहूदिया प्रदेशक राज्‍यपाल छलाह, गलील प्रदेशक शासक हेरोद छलाह, इतूरिया आ त्रखोनीतिस क्षेत्रक शासक हुनकर भाय फिलिपुस और अबिलेन क्षेत्रक शासक लुसानियास छलाह। महापुरोहितक पद पर छलाह हन्‍ना और काइफा। यूहन्‍ना लग परमेश्‍वरक सम्‍बाद एही समय मे अयलनि। 3ओ यरदन नदीक लग-पासक पूरा इलाका मे घूमि-घूमि कऽ प्रचार करऽ लगलाह जे, “पापक क्षमा पयबाक लेल पश्‍चात्ताप कऽ हृदय-परिवर्तन करू और बपतिस्‍मा लिअ,” 4जेना परमेश्‍वरक प्रवक्‍ता यशायाहक पुस्‍तक मे लिखल अछि जे,
“निर्जन क्षेत्र मे केओ जोर सँ आवाज दऽ रहल अछि—
‘प्रभुक लेल मार्ग तैयार करू,
हुनका लेल सोझ बाट बनाउ।
5प्रत्‍येक गहींर भाग भरि देल जायत,
प्रत्‍येक ऊँच भाग आ पहाड़ नीच कयल जायत,
घुमान बाट सोझ,
और उबर-खाबड़ बाट समतल कयल जायत।
6सभ मनुष्‍य परमेश्‍वर द्वारा प्रदान कयल उद्धार केँ देखत।’ ”#3:6 यशा 40:3-5
7लोकक भीड़ सभ यूहन्‍ना सँ बपतिस्‍मा लेबऽ अबैत रहैत छल आ ओ ओकरा सभ केँ कहैत छलथिन, “है साँपक सन्‍तान सभ! परमेश्‍वरक आबऽ वला क्रोध सँ बचबाक लेल तोरा सभ केँ के सिखौलकह? 8तोँ सभ जँ अपना पापक लेल पश्‍चात्ताप कऽ कऽ हृदय-परिवर्तन कयने छह, तँ तकर प्रमाण अपना व्‍यवहार द्वारा देखाबह। और अपना मोन मे एना सोचि निश्‍चिन्‍त नहि रहह जे, हमर सभक कुल-पिता अब्राहम छथि, कारण, हम तोरा सभ केँ कहैत छिअह जे परमेश्‍वर एहि पाथर सभ सँ अब्राहमक लेल सन्‍तान उत्‍पन्‍न कऽ सकैत छथि। 9गाछक जड़ि मे कुड़हरि रखा गेल अछि। जे गाछ नीक फल नहि दैत अछि से काटल आ आगि मे फेकल जायत।”
10एहि पर लोक सभ यूहन्‍ना सँ पुछऽ लागल, “तँ हम सभ की करू?” 11ओ उत्तर देलथिन, “जकरा दूटा कुर्ता होइक से एकटा तकरा देअओ जकरा नहि छैक, और जकरा लग भोजनक वस्‍तु होइक सेहो एहिना करओ।”
12कर असूल करऽ वला सभ सेहो बपतिस्‍मा लेबऽ आयल आ यूहन्‍ना सँ पुछलकनि, “यौ गुरुजी, हम सभ की करू?” 13ओ उत्तर देलथिन, “जतबा कर निश्‍चित कयल गेल अछि ताहि सँ बेसी नहि लैह।”
14एहि पर सैनिक सभ पुछलकनि, “आ हम सभ की करू?” ओ कहलथिन, “ककरो सँ बलजोरी पाइ नहि लैह, आ ने ककरो पर झुट्ठे दोष लगाबह। अपना दरमाहा सँ सन्‍तुष्‍ट रहह।”
15जनता मे एकटा बड़का उत्‍सुकता आबि गेल छलैक, आ सभ मोने-मोन यूहन्‍नाक बारे मे सोचि रहल छल जे, कहीं ई उद्धारकर्ता-मसीह तँ नहि छथि? 16यूहन्‍ना सभ केँ उत्तर दैत छलथिन, “हम तोरा सभ केँ पानि सँ बपतिस्‍मा दैत छिअह। मुदा हमरा सँ शक्‍तिशाली एक गोटे आबि रहल छथि, जिनकर जुत्तो खोलऽ जोगरक हम नहि छी। ओ तोरा सभ केँ पवित्र आत्‍मा और आगि सँ बपतिस्‍मा देथुन। 17ओ अपन खरिहानक अन्‍न साफ करबाक लेल हाथ मे सूप लेने छथि। ओ गहुम केँ बखारी मे राखि लेताह, मुदा भुस्‍सा केँ ओहि आगि मे जरौताह जे कहियो नहि मिझायत।” 18ई बात और आरो अन्‍य तरहक बहुत बातक द्वारा यूहन्‍ना लोक सभ केँ बुझा-सुझा कऽ शुभ समाचार सुनबैत रहलथिन।
19मुदा जखन यूहन्‍ना शासक हेरोद पर भायक घरवाली हेरोदियासक कारणेँ, तथा आरो कुकर्म सभक कारणेँ जे ओ कयने छलाह, दोष लगौलथिन, 20तँ हेरोद अपना कुकर्म मे एकटा इहो कुकर्म जोड़ि लेलनि जे, ओ यूहन्‍ना केँ जहल मे बन्‍द करबा देलथिन।
यीशुक बपतिस्‍मा
(मत्ती 3:13-17; मरकुस 1:9-11)
21सभ लोक केँ बपतिस्‍मा लेलाक बाद यीशुओ बपतिस्‍मा लेलनि। बपतिस्‍माक बाद जखन ओ प्रार्थना कऽ रहल छलाह तँ स्‍वर्ग खुजल 22आ पवित्र आत्‍मा परबाक रूप मे हुनका ऊपर उतरि अयलाह, और स्‍वर्ग सँ आवाज आयल जे, “अहाँ हमर प्रिय पुत्र छी। अहाँ सँ हम बहुत प्रसन्‍न छी।”
यीशुक पूर्वज लोकनि
(मत्ती 1:1-17)
23यीशु जखन अपन काज शुरू कयलनि तँ लगभग तीस वर्षक छलाह। एना मानल जाइत छल जे ओ यूसुफक पुत्र छलाह।
यूसुफ एलीक पुत्र छलाह,
24एली मतातक पुत्र छलाह,
मतात लेवीक पुत्र छलाह,
लेवी मलकीक पुत्र छलाह,
मलकी यन्‍नाक पुत्र छलाह,
यन्‍ना यूसुफक पुत्र छलाह,
25यूसुफ मततियाक पुत्र छलाह,
मततिया आमोसक पुत्र छलाह,
आमोस नहूमक पुत्र छलाह,
नहूम एसलीक पुत्र छलाह,
एसली नागैक पुत्र छलाह,
26नागै मातक पुत्र छलाह,
मात मततियाक पुत्र छलाह,
मततिया शिमीक पुत्र छलाह,
शिमी योसेखक पुत्र छलाह,
योसेख योदाहक पुत्र छलाह,
27योदाह योहनानक पुत्र छलाह,
योहनान रेसाक पुत्र छलाह,
रेसा जरुब्‍बाबेलक पुत्र छलाह,
जरुब्‍बाबेल शालतिएलक पुत्र छलाह,
शालतिएल नेरीक पुत्र छलाह,
28नेरी मलकीक पुत्र छलाह,
मलकी अद्दीक पुत्र छलाह,
अद्दी कोसामक पुत्र छलाह,
कोसाम इलमोदामक पुत्र छलाह,
इलमोदाम एरक पुत्र छलाह,
29एर यहोशूक पुत्र छलाह,
यहोशू एलिएजरक पुत्र छलाह,
एलिएजर योरीमक पुत्र छलाह,
योरीम मतातक पुत्र छलाह,
मतात लेवीक पुत्र छलाह,
30लेवी सिमियोनक पुत्र छलाह,
सिमियोन यहूदाक पुत्र छलाह,
यहूदा यूसुफक पुत्र छलाह,
यूसुफ योनामक पुत्र छलाह,
योनाम एलयाकीमक पुत्र छलाह,
31एलयाकीम मलेआहक पुत्र छलाह,
मलेआह मिन्‍नाहक पुत्र छलाह,
मिन्‍नाह मताताक पुत्र छलाह,
मताता नातानक पुत्र छलाह,
नातान दाऊदक पुत्र छलाह,
32दाऊद यिशयक पुत्र छलाह,
यिशय ओबेदक पुत्र छलाह,
ओबेद बोअजक पुत्र छलाह,
बोअज सलमोनक पुत्र छलाह,
सलमोन नाशोनक पुत्र छलाह#3:32 किछु अति प्राचीन हस्‍तलेख सभ मे एहि तरहेँ पाओल जाइत अछि, “बोअज शेलहक पुत्र छलाह, शेलह नाशोनक पुत्र छलाह,” ,
33नाशोन अमीनादाबक पुत्र छलाह,
अमीनादाब अदमीनक पुत्र छलाह,
अदमीन अरनीक पुत्र छलाह,
अरनी हेस्रोनक पुत्र छलाह,
हेस्रोन पेरसक पुत्र छलाह,
पेरस यहूदाक पुत्र छलाह,
34यहूदा याकूबक पुत्र छलाह,
याकूब इसहाकक पुत्र छलाह,
इसहाक अब्राहमक पुत्र छलाह,
अब्राहम तेरहक पुत्र छलाह,
तेरह नाहोरक पुत्र छलाह,
35नाहोर सरूगक पुत्र छलाह,
सरूग रऊक पुत्र छलाह,
रऊ पेलेगक पुत्र छलाह,
पेलेग एबेरक पुत्र छलाह,
एबेर शेलहक पुत्र छलाह,
36शेलह केनानक पुत्र छलाह,
केनान अर्पक्षदक पुत्र छलाह,
अर्पक्षद शेमक पुत्र छलाह,
शेम नूहक पुत्र छलाह,
नूह लामेकक पुत्र छलाह,
37लामेक मथूशेलहक पुत्र छलाह,
मथूशेलह हनोकक पुत्र छलाह,
हनोक यारेदक पुत्र छलाह,
यारेद महलालेलक पुत्र छलाह,
महलालेल केनानक पुत्र छलाह,
38केनान एनोशक पुत्र छलाह,
एनोश शेतक पुत्र छलाह,
शेत आदमक पुत्र छलाह,
और आदम परमेश्‍वरक पुत्र छलाह।

Currently Selected:

लूका 3: mai

Highlight

Share

Copy

None

Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in