YouVersion Logo
Search Icon

लूका 13

13
अपना पापक लेल पश्‍चात्ताप कऽ कऽ हृदय-परिवर्तन करू, नहि तँ...
1तखने किछु लोक यीशु लग आबि कऽ हुनका किछु गलीली सभक बारे मे सुनौलकनि जे, कोना ओ सभ जखन बलि चढ़ा रहल छल तँ राज्‍यपाल पिलातुस ओकर सभक हत्‍या करबा देलथिन। 2यीशु उत्तर देलथिन, “की अहाँ सभ बुझैत छी जे ई गलील निवासी सभ आओर सभ गलील निवासी सँ अधिक पापी छल जे ओकरा सभ पर ई विपत्ति अयलैक? 3हम अहाँ सभ केँ कहैत छी जे, नहि! मुदा अहाँ सभ जँ अपना पापक लेल पश्‍चात्ताप कऽ हृदय-परिवर्तन नहि करब, तँ अहूँ सभ एहिना नाश होयब। 4वा ओ अठारह गोटे जकरा सभ पर शिलोहक मिनार खसि पड़ल आ पिचा कऽ मरि गेल, की अहाँ सभ बुझैत छी जे ओ सभ यरूशलेमक आओर सभ निवासी सँ बेसी दोषी छल? 5हम अहाँ सभ केँ कहैत छी जे, नहि! मुदा अहाँ सभ जँ अपना पापक लेल पश्‍चात्ताप कऽ हृदय-परिवर्तन नहि करब, तँ अहूँ सभ एहिना नाश होयब।”
6यीशु ओकरा सभ केँ ई दृष्‍टान्‍त दऽ कऽ कहलथिन, “एक आदमीक अंगूर-उद्यान मे एक अंजीरक गाछ छल। ओ ओहि सँ फल तोड़बाक लेल गेल, मुदा ओकरा किछुओ नहि भेटलैक। 7तखन ओ माली केँ कहलकैक, ‘देखह! हम तीन वर्ष सँ एहि गाछ सँ अंजीर तोड़ऽ अबैत छी, मुदा ई कोनो फले नहि दैत अछि। एकरा काटि दैह। ई बेकार जगहो छेकने अछि।’ 8माली उत्तर देलकैक, ‘सरकार, एकरा एक वर्ष आओर रहऽ देल जाओ। हम एकरा चारू कात कोड़ि कऽ गोबर पटा देबैक। 9तखन अगिला वर्ष जँ फड़त, तँ ठीक, नहि तँ अपने एकरा कटबा देबैक।’ ”
विश्राम-दिन और अठारह वर्ष सँ दुखिताहि स्‍त्री
10एक विश्राम-दिन मे यीशु एकटा सभाघर मे उपदेश दऽ रहल छलाह। 11ओहिठाम एक स्‍त्री छलि जकरा अठारह वर्ष सँ दुष्‍टात्‍मा लगबाक कारणेँ डाँड़ टुटल छलैक। ओ एकदम झुकल रहैत छलि और कनेको सोझ नहि भऽ सकैत छलि। 12यीशु ओकरा देखि बजा कऽ कहलथिन, “बहिन, अहाँ अपना कष्‍ट सँ मुक्‍त भऽ गेलहुँ।” 13तखन ओ ओकरा पर हाथ रखलनि, और ओ तुरत्ते सोझ भऽ गेलि आ परमेश्‍वरक स्‍तुति करऽ लागलि।
14एहि पर सभाघरक अधिकारी तमसा गेलाह जे यीशु किएक विश्राम-दिन मे ककरो ठीक कयलनि, और ओ लोक सभ केँ कहलथिन, “छओ दिन अछि जाहि मे काज करबाक चाही। ओहि छओ दिन मे आउ और स्‍वस्‍थ कऽ देबाक लेल कहू, नहि कि विश्राम-दिन मे।”
15प्रभु हुनका उत्तर देलथिन, “हे पाखण्‍डी सभ! की अहाँ सभ मे सँ प्रत्‍येक आदमी विश्राम-दिन मे अपन बड़द वा गदहा केँ थरि सँ खोलि कऽ पानि पिअयबाक लेल नहि लऽ जाइत छी? 16तँ ई स्‍त्री जे अब्राहमक वंशज अछि, और जे अठारह वर्ष सँ शैतानक बन्‍हन मे छलि, की एकरा विश्राम-दिन मे एहि बन्‍हन सँ मुक्‍त नहि करबाक चाही?”
17यीशु जखन ई बात कहलनि तँ हुनकर सभ विरोधी लज्‍जित भऽ गेल। मुदा लोक सभ हुनकर नीक-नीक काज सभ देखि अति आनन्‍दित भेल।
सरिसोक दानाक दृष्‍टान्‍त
(मत्ती 13:31-32; मरकुस 4:30-32)
18तखन यीशु कहलनि, “परमेश्‍वरक राज्‍य केहन अछि? ओकर तुलना हम कोन चीज सँ करू? 19ओ सरिसोक दाना जकाँ अछि जकरा किसान अपना बाड़ी मे बाउग कयलक। ओ बढ़ि कऽ नमहर गाछ बनि गेल, और ओकर ठाढ़ि मे आकाशक चिड़ै सभ आबि कऽ अपन खोंता बना लेलक।”
रोटी फुलाबऽ वला खमीरक दृष्‍टान्‍त
(मत्ती 13:33)
20यीशु फेर कहलनि, “परमेश्‍वरक राज्‍यक हम कोन चीज सँ तुलना करू? 21ओ ओहि खमीर जकाँ अछि जकरा एक स्‍त्री तीन पसेरी आँटा मे मिला कऽ सनलक। बाद मे खमीरक शक्‍ति सँ पूरा आँटा फुलि गेलैक।”
एखने प्रवेश करबाक कोशिश करू!
(मत्ती 7:13-14, 21-23)
22तखन यीशु नगर-नगर और गाम-गाम घूमि कऽ लोक सभ केँ उपदेश दैत यरूशलेम दिस बढ़ऽ लगलाह। 23केओ हुनका सँ पुछलकनि, “प्रभु, की उद्धार पौनिहार किछुए लोक मात्र होयत?”
24ओ उत्तर देलथिन, “द्वारिक चौराइ कम अछि तेँ पूरा शक्‍ति सँ प्रवेश करबाक कोशिश करू। कारण, हम अहाँ सभ केँ कहैत छी जे, एहन बहुतो लोक होयत जे प्रवेश करऽ चाहत मुदा कऽ नहि सकत। 25जखन घरक मालिक उठि कऽ केबाड़ बन्‍द कऽ लेताह तँ अहाँ सभ बाहर ठाढ़ भऽ कऽ केबाड़ केँ ढकढका कऽ कहऽ लागब जे, ‘प्रभु, हमरा सभक लेल खोलि दिअ।’ ओ उत्तर देताह, ‘हम तोरा सभ केँ नहि चिन्‍हैत छिअह आ नहि जनैत छिअह जे कतऽ सँ आयल छह।’ 26तखन अहाँ सभ कहऽ लागब जे, ‘हम सभ तँ अहाँक संग खयलहुँ-पिलहुँ, और अहाँ हमरा सभक गाम-घर मे उपदेश देलहुँ।’ 27मुदा ओ कहताह, ‘हम तोरा सभ केँ नहि चिन्‍हैत छिअह, आ नहि जनैत छिअह जे कतऽ सँ आयल छह। है कुकर्मी सभ, तोँ सभ गोटे हमरा लग सँ भाग!’ 28अहाँ सभ जखन अब्राहम, इसहाक, याकूब आ परमेश्‍वरक प्रवक्‍ता सभ केँ परमेश्‍वरक राज्‍य मे देखबनि और अपना केँ बाहर निकालल पायब तखन अहाँ सभ कानब और दाँत कटकटायब। 29लोक पूब आ पश्‍चिम, उत्तर आ दक्षिण सँ आबि कऽ परमेश्‍वरक राज्‍य मे भोज खयबाक लेल बैसत। 30हँ, कतेक लोक जे एखन पाछाँ अछि से तखन आगाँ रहत, आ कतेक लोक जे एखन आगाँ अछि से तखन पाछाँ रहत।”
“हम अपन लक्ष्‍य पूरा करब”
31तखने किछु फरिसी सभ आबि कऽ यीशु केँ कहलथिन, “अहाँ एहिठाम सँ चल जाउ, कारण हेरोद अहाँ केँ मारि देबऽ चाहैत अछि।”
32ओ उत्तर देलथिन, “जा कऽ ओहि नढ़िया केँ कहि दिऔक जे, हम आइ और काल्‍हि दुष्‍टात्‍मा निकालबाक और बिमार लोक सभ केँ नीक करबाक अपन काज करैत रहब, और परसू हम अपन लक्ष्‍य पूरा करब। 33हमरा आइ, काल्‍हि और परसू आगाँ बढ़ैत रहबाक अछि, किएक तँ ई कोना होयत जे परमेश्‍वरक कोनो प्रवक्‍ता यरूशलेम छोड़ि कोनो दोसर ठाम मारल जाय?
यरूशलेमक लेल विलाप
(मत्ती 23:37-39)
34“हे यरूशलेम! हे यरूशलेम! तोँ प्रभुक प्रवक्‍ता सभक हत्‍या करैत छह आ जिनका परमेश्‍वर तोरा लग पठबैत छथुन, तिनका सभ केँ तोँ पथरबाहि कऽ कऽ मारि दैत छहुन। हम कतेको बेर चाहलिअह जे जहिना मुर्गी अपना बच्‍चा सभ केँ अपन पाँखिक तर मे नुकबैत अछि, तहिना हमहूँ तोहर सन्‍तान सभ केँ जमा कऽ लिअह। मुदा तोँ ई नहि चाहलह! 35देखह, आब तोहर घर उजड़ल पड़ल छह। हम तोरा कहैत छिअह, तोँ हमरा फेर ताबत तक नहि देखबह जाबत तक ओ समय नहि आओत जहिया तोँ ई कहबह जे, ‘धन्‍य छथि ओ जे प्रभुक नाम सँ अबैत छथि!’#13:35 भजन 118:26

Currently Selected:

लूका 13: mai

Highlight

Share

Copy

None

Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in

YouVersion uses cookies to personalize your experience. By using our website, you accept our use of cookies as described in our Privacy Policy