तब येसु पाँच रोटी आ दुइ माछ लके स्वरगदिसन ताकैत परमेस्वरसे आसिरबाद माङल्कै आ रोटीके टुकरा टुकरा करल्कै। लोकसबके बाइट दहै कैहके चेलासबके देल्कै। तहिनङे माछोसब बाइट देल्कै। तब सबकोइ पेट भरके खेल्कै। उबरल रोटी आ माछके टुकरा चेलासब बिछल्कै त बारह चङेरा भेलै।