Лого на YouVersion
Иконка за търсене

मती 28

28
येसु मरलसे जिके उठलै
(मरकुस १६:१-११, लुका २४:१-१२, युहन्‍ना २०:१-१८)
1बिसराम दिनके बिहान अरथात हप्‍ताके पहिन्‍का दिन, एकदम भिनसरमे मरियम मग्‍दलिनी आ दोसर मरियम चिहान देखैले गेलै। 2अचानक भुम्‍कौन भेलै कथिलेकी परमपरभुके एकटा स्‍वरगदुत स्‍वरगसे निचा उतरलै आ चिहानके मुहमे राखल पथल गुरकाके हटाइल्‍कै आ ओहिउपरमे बैठलै। 3ओकर चेहरा बिजलीके चमक जखा आ ओकर बस्‍तर हेम जखा उजर छेलै। 4पहरा दैबला सिपाहीसब ओकरा देखके डरेसे थरथर कापैत भुइयामे खैसके मुरदा जखा भेलै।
5तब स्‍वरगदुत ओइ जनिसबके कहल्‍कै, “नै डरा, हमरा मालुम छै कि तुसब कुरूसमे टाइङके मारल येसुके खोजै चिही। 6उ अते नै छौ महज जनङ कहने छेलै तहिनङ उ जिके उठल छौ। अते या, ओकरा राखलहा ठामके देख। 7झटसिना ज्‍याके ओकर चेलासबके यि समाचार सुना दहै जे, ‘उ मुरदासे जिके उठल छै आ उ तोरासबसे अगा अगा गालिलमे ज्‍यारहल छौ। ओतै तोरासबके भेट हेतौ।’ से बात तोरासबके कैहैचियौ।”
8उ जनिसबमे डर भेलै तैयो खुसीसे यि समाचार चेलासबके सुनाबैके लेल चिहानसे दौरते गेलै।
9अचानक येसु ओइसबके अगा देखा परलै आ कहल्‍कै, “तोरासबके सान्‍ती!” उसब लगमे जाके गोरलागल्‍कै। 10येसु ओकरासबके कहल्‍कै, “नै डराइ जाइजो, ज्‍याके हमर भाइसबके गालिलमे जाइले कैहदहै। ओतै उसब हमरा देखतै।”
सिपाहीसबके आनल समाध
11जब उ जनिसब रस्‍तामे जाइते रहै, ओहै समयमे कुछ सिपाहीसब सहरमे ज्‍याके मुख पुजारीसबके चिहानमे घटल सब घटनाके बारेमे सुनेल्‍कै। 12तब मुख पुजारीसब अगुवासबके जमा कैरके बिचार करल्‍कै आ उसब सिपाहीसबके बहौत घुस दैत कहल्‍कै, 13“तुसब लोकसबके यि कहिहे कि ‘रातमे जब हमसब सुतल छेलियै तखैन ओकर चेलासब आइबके ओकर लहासके चोराके ल्‍यागेलै।’ 14यदी यि बात पिलातसके कानमे पुग्‍तै त हमसब ओकरासे यि बात मिलाके तोरासबके खतरासे बचालेबौ।” 15उ सिपाहीसब पैसा-कौरी ल्‍याके मुख पुजारीके कहल बमौजी करल्‍कै। यि बात यहुदीसबमे फैलगेलै आ अखुन्‍तो तक ओकरासबमे यि बातके चरचा हैत रहैछै।
महान आग्‍या
(मरकुस १६:१४-१८, लुका २४:३६-४९, युहन्‍ना २०:१९-२३, परेरित १:६-८)
16एगारहो चेलासब गालिलके ओइ पहाड़मे गेलै जते येसु ओइसबके जाइले कहने छेलै।#मती २६:३२, मरकुस १४:२८ 17जब उसब येसुके देखल्‍कै तब ओकरा गोरलागल्‍कै, महज ककरो-ककरो मनमे संखा भेलै। 18तखने येसु ओइसबलग आइबके कहल्‍कै, “स्‍वरगके आ पिरथिबीके सब अधिकार हमरा देल गेल छै। 19तहैलेल जो आ सब देसके लोकसबके चेला बना, पिता, पुतर आ पबितर आत्‍माके नाममे बप्‍तिस्‍मा दहै।#परेरित १:८ 20हम तोरासबके आग्‍या करल सब बात मानैले ओकरासबके सिखा। देख, हम युगके अन्‍ततक सबदिन तोरासबके सङे चियौ।”

Избрани в момента:

मती 28: MTH

Маркирай стих

Споделяне

Копиране

None

Искате ли вашите акценти да бъдат запазени на всички ваши устройства? Регистрирайте се или влезте