1
लूका 13:24
केवट नया कारार
मगर येशू ओकरासिके जबाब देल्कै, “परमेश्वरके राज्यमे साँक्ड केबाड द्याके प्रवेश करना मुश्किल छै, कहिनेकी हमे तोरासिके कहैछियौ कि बहुते आदमीसब प्रवेश करैके कोशिश कर्तै, मगर प्रवेश करैले नैसक्तै।
Муқоиса
Explore लूका 13:24
2
लूका 13:11-12
ओथै एकटा जनानी रहै जे अठार सालसे अपांग रहै, ऊ कुब्डी भेल रहै, आर आपनहैंसे सिधा हुऐले नैसकै। येशू ओकरा देखल्कै आर आपन लगत बोल्याके कहैल्कै, “हे नारी, तोरा यी बेमारीसे छुटकारा मिली गेलौ।”
Explore लूका 13:11-12
3
लूका 13:13
तब ऊ ओकरापर आपन हात राखल्कै, आर ऊ जनानी तुरन्ते सिधा भ्याके खडा भेलै आर परमेश्वरके जय-जयकार करे लाग्लै।
Explore लूका 13:13
4
लूका 13:30
देख, बहुते आदमीसब जे एखनी महान छै ओकरासिके तखनी विनम्र बनैल जैतै, आर बहुते आदमी जे एखनी विनम्र छै, ऊसब उटा समयमे महान बनी जैतै।”
Explore लूका 13:30
5
लूका 13:25
जब परमेश्वर, जे घरके मालिक छै, उठिके केबाड बन्द कैलके बाद तुहेंसब बाहार खडा भ्याके एरं कहिके केबाड खटखटैभैं आर बिन्ती कर्भैं, ‘प्रभु, हमरसिके लिए केबाड खोल।’ मगर ऊ जबाब द्याके कहतै, ‘तुहेंसब के छैं आर कतेसे ऐल्हैं छे? हमे तोरासिके नैचिन्हैछियौ!’
Explore लूका 13:25
6
लूका 13:5
हमे तोरासिके कहैछियौ, एरं नैछै मगर यदि तुहेंसब पाप करैले छोडिके परमेश्वरके तरफ मन नैलगैभैं ते तुहेंसब सभेकोय ओहिने करिके नाश हैभैं।”
Explore लूका 13:5
7
लूका 13:27
ऊ कहतै, हमे तोरासिके कहैछियौ, तुहेंसब कतेसे ऐल्हैं छे, हमे नैजानैछियौ। दुष्ट काम करेवालासब हमर लगतसे दूर भ्याजो।
Explore लूका 13:27
8
लूका 13:18-19
तब येशू कहैल्कै, “परमेश्वरके राज्यके हमे कोन चीजसे तुलना करियै? परमेश्वरके राज्य धर्तीमे भेल सभे बिहनसिमेसे सभैसे छोटका बिहन रायके दानाके जुगुर छै। मगर जब ओकरा रोपैछै, तब उटा बढैछै, आर उटा सभे साग सब्जीमेसे बडका हैछै आर उटा गाछ बनी जैछै, आर आकाशके चिडियासब ओकर ठ्यारीके छायामे खोय्ता लगाबैछै।”
Explore लूका 13:18-19
Асосӣ
Китоби Муқаддас
Нақшаҳо
Видео